Monday, October 03, 2011

बहुमतीय सरकारसँ काम नहि हाएतः खनाल


चितवन, आश्विन १६ । पूर्व प्रधानमन्त्री तथा एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल बहुमतीय सरकारसँ शान्ति आ संबिधानक बिषयमे काम होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।

 'जनआन्दोलनके बाद ४ टा बहुमतीय सरकार बनितो कोनो सरकार ठोस उपलब्धी हासिल करय नहि सकल' प्रेस चौतारी चितवन भरतपुरमे आइ आयोजित पत्रकार भेटमे ओ कहलनि,'सार्थक परिणामके लेल आब सहमतीय सरकारक बिकल्प नहि अछि ।' खनाल बर्तमान सरकार बहुमतीय अन्तर्गत निर्माण भेलासँ एमालेके काम करय सकयमे बिश्वास नहि लागल बतौलनि । मुदा ओ कहिया आ ककर नेतृत्वमे नयां सरकार बनयके चाही से बिषयमे किछ कहय नहि चाहलथि ।

माओवादी अध्यक्ष दाहाल आ बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वमे निर्माण भेल ४ टा सरकारधरि एलाक बादो आन्दोलनके म्याण्डेट बमोजिम काज होबय नहि सकल कहैत ओ आब सहमतिय सरकार निर्माण कऽ क शान्ति, संबिधान आ जनताके यावत सवाल सम्बोधन होबय जका बास्तविक ढंगसँ काम होनाइ जरुरी अछि कहलनि ।' बर्तमान सरकार बहुमतिय भेलासँ बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकार असफल भऽ गेल ओ आरोप लगौलनि । ४५ दिन भितर काज करय नहि सकब त राजिनामा देब कहने प्रधानमन्त्री भट्टराई राष्ट्रसंघक भ्रमणके बाद बोली बदैल कऽ जनताके ठकने हुनक कहब छलनि ।

अध्यक्ष खनाल चितवनके एमाले कार्यकर्ताके पार्टीके समसामयिक बिषय, बर्तमान राजनीतिक अबस्थाके बारेमे प्रशिक्षण देने छलथि ।


डा. भक्तमान सात महिनाक हाजिर एके दिन केलनि


चितवन, आश्विन १६ । भरतपुर स्थित विपी कोईराला मेमोरियल क्यान्सर अस्पतालक पुर्व कार्यकारी निर्देशक डा. भक्तमान श्रेष्ठ बितल सात महिनाक हाजिर एके दिन कऽक तलब लेलनि अछि ।  

बितल फागुन १५ गते कार्यकारी निर्देशकके पदावधि समाप्त भेलाक कारण हुनाक हटौलाबाद बिबाद करैत आएल श्रेष्ठ ओकरबादसँ अस्पतालमे हाजिर नहि केने छलथि ।

ओ अस्पतालमे कार्यरत रहलो आ नहि रहलो दिनके सेहो हाजिर एके दिन आइ केलनि अछि । ओ सरकारी आ क्यान्सर अस्पतालके नियमानुसारके सार्वजनिक बिदा बाहेकके दिनके सब हाजिर एकेबेर केलनि अछि । कतेकौ दिन कतेकौ बेर काठमाण्डौ , स्वास्थ्य मन्त्रालय आ ब्यक्तिगत कामसँ अस्पताल बाहर रहितो सबदिनके  हाजिर कऽ क ओइ वापतके तलब लेलनि अछि । एना कऽ हाजिर केलाबाद हुनकर तलब करिब ६ लाख रुपैया चेकमार्फत भुक्तनी देने क्यान्सर प्रशासन जनौलक अछि ।

 ओ अपने कार्यकारी निर्देशक रहल समय अस्पतालके सुबिधा अन्तरगत चढैत आएल बा ३ च १४५५ नम्बरक प्राडो गाडी सेहो फिर्ता नहि केने अछि ।

नाइजीरिया में हत्याके आरोपमे सात गोटे गिरफ़्तार


१६ आसिन ऽ एजेन्सी । उत्तरी नाइजीरियामें  एकटा गाँवमें १९ गोटेके हत्या केने आशँकामे  सात गोटेके पुलिस गिरफ़्तार केलक अछि ।

पुलिसके एक प्रवक्ता बतौलनि जे ज़ामफ़ारा प्रांत के लिंग्यादो गाँवमें भेल हमला सशस्त्र डाकुसब बदला लेबयके नियतसँ केने कारबाही लगैत अछि ।

प्रत्यक्षदर्शीके अनुसार करिब डेढ़ सय गोटे ओ गाँव पर हमला केने अछि । ज़ामफ़ारा राज्यके पुलिस आयुक्त तांबारी याबो मोहम्मदके कहब अछि जे एहन हमला फेउरसँ नहि होबय देबय सतर्कता अपनाओल गेल अछि ।

शान्ति सुरक्षामे विशेष सतर्कता: आईजीपी


विराटनगर, आश्विन १६ । प्रहरी महानिरीक्षक रविन्द्रप्रताप शाह दशैंमे जनताके शान्ति सुरक्षाके थप अनुभुति देबय दोसर समयसँ बेसी सुरक्षा सतर्कता अपनाओल गेल बतौलनि अछि ।

पूर्वाञ्चलके छोट भ्रमणमे पहुँचल महानिरीक्षक शाह विराटनगर विमानस्थलमे सँचारकर्मीसबसँ बात करैत 'पावनि तिहारक समयमे सुरक्षा व्यवस्था 'चुस्त आ स्फूर्त' राखल गेल जानकारी देलनि । घट्ना होबय सकयके संवेदनशील क्षेत्रसबमे पुलिसक विशेष निगरानी बढाओल गेल बतबैत शाह दशैंमे होबयबला अपराधिक क्रियाकलापके न्यूनिकरण करय पूर्व क्षेत्रके प्रहरी प्रमुखसबके समेत निर्देशन द देने बतौलनि ।

चारि बुँदेके राष्ट्रघाती कहयबलाके प्रतिवाद कएल जाएत


१६ आसिन, काठमाडौँ । प्रमुख सत्तारुढघटक एकीकृत नेकपा माओवादीके संस्थापन पक्ष आ सत्तागठबन्धनमे आबद्ध मधेसी मोर्चाबीच चारिबुँदे सहमतिके राष्ट्रघाती आरोप लगाबयबलाके प्रतिवाद करयके सहमति भेल अछि ।

प्रधानमन्त्रीक सरकारी निवास बालुवाटरामे आइ भेल माओवादी आ मोर्चा घटकसबबीचक बैसारसँ ओहन निर्णय केलक अछि । चारि बुँदेके जेना राष्ट्रघाती कहि कऽ प्रचारवाजी कएल गेल अछि, ओइप्रति आपत्ति जनबैत प्रतिवाद करयके बात भेल अछिप्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार रामिरझन यादव बतौलनि ।

बैसारसँ सहमति विरुद्ध उठल आवाजके जवाफ दैत ओइके पालनाके लेल दृढतापूर्वक आगु बढ्यके निर्णय भेल अछि । बिमशृमे कांग्रेस-एमाले सहितक विपक्षीके अहसयोगके बावजुद शान्ति प्रक्रियाके केना कऽ आगु बढाओल जाए विषयमे समेत बिमर्श भेल बताओल गेल अछि ।

प्रधानमन्त्रीक प्रमुख स्वकीय सचिव गंगा श्रेष्ठ बैसारमे शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणक बिषयमे सत्तागठबन्धनमे रहल दलसबबीच न्यूनतम सहमति कायम करयके विषयमे बिमर्श भेल बतौलनि ।

बिमर्शमे माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड’, उपाध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आ मधेसी मोर्चाक फोरम लोकतान्त्रिक, फोरम गणतान्त्रिक, तमलोपा, तमलोपा नेपाल, सदभावना पार्टी आ संघीय सदभावनाक शीर्ष नेतासब सहभागी छलथि ।

अहिबीच प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई दशमीक अवसरमे आइ साँझ बालुवाटारमे चायपान कार्यक्रमक आयोजना कएने छथि । चायपानमे संधिवानसभामे प्रतिनिधित्व कएनिहार सब दलक प्रमुख नेता, संधिवानसभाक अध्यक्ष सहितकके बजाओल गेल प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि ।

दुर्गा माताक नवो स्वरुप


तुवालू में पानिके कमीके बाद आपात काल


१६ आसिन एजेन्सी । प्रशांत महासागर स्थित एकटा छोट द्वीपीय देश तुवालू में स्वच्छ पानिके कमीके कारण आपात काल लगा देल गेल अछि ।

न्यूज़ीलैंड सँ ओतय पानि पहुँचाओल जाऽ रहल अछि । अधिकारीसबहक अनुसार राजधानीमें पानिके बहुत कमी अछि आ किछ ठाममे बँचल पानि सेहो किछुए दिनमे खत्तम भऽ जाएत ।

प्रशांतमें लानीना प्रभावके कारण मौसममें आएल  बदलावसँ तुवालू आ कतेकौ आरो द्वीपमें बर्षा बहुत कम भेल अछि ।

वादी जातीके दशैंखर्च देबय प्रधानमन्त्रीक निर्देशन


१६ आसिन, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई बझाङ सदरमुकाम चैनपुरमे रहल वादी समूदायके प्रतिपरिवार १० हजारके दरसँ दशैं खर्च उपलव्ध कराबय निर्देशन देलनि अछि ।

मुख्य सचिव माधव घिमिरेके आइ बालुवाटारमे बजा कऽ भट्टराइ चैनपुरक २२ बादी परिवारके दशैँखर्च बापत १०-१० हजार आइए उपलव्ध कराबय निर्देशन देने प्रधानमन्त्रीक स्वकीय सचिव गंगा श्रेष्ठ जानकारी देलनि । वादी समुदायके दशैंमे समेत समस्या भेल समाचार अएलाबाद प्रधानमन्त्री खर्च देबय घिमिरेके निर्देशन देलनि । तत्काल प्रधानमन्त्री राहतकोषसँ रकम देबय निर्देशन देलनि अछि। श्रेष्ठ बतौलनि।

तत्कालके लेल वादी परिवारके १०-१० हजार रातहस्वरुप दैतो भविष्यमे एहन समस्या समाधानक लेल सरकार निश्चित निती बनाबयके तयारी केने श्रेष्ठ बतौलनि ।

मुबारक प्रदर्शकारी उपर फायरिगँके लेल सेनाके आदेश नहि देने छल


१६ आसिन, मिश्र । मिस्रके अन्तिरिम सैन्य सरकारक प्रमुख फिल्ड मार्शल तँताबी, पुर्व राष्ट्रपति हुस्नी मुबारक अहि सालके शुरुमे भेल बिरोध प्रदर्शनमे सेनाके प्रदर्शनकारी उपर फायरिगँ करयके आदेश नै देने बतौलनि अछि ।
फिल्ड मार्शल तँतावी राजधानी काहिराके दक्षिणी क्षेत्रमे भेल एक कार्यक्रममे इ बयान देलनि अछि । अहिसँ ठिक एक सप्ताह पहिने ओ हुस्नी मुबारकके बिरुद्ध चलि रहल मुकदमामे अदालतके सामने एकटा गोप्य बयान देने छलथि ।
हुस्नी मुबारक प अहि सालके शुरुमे १८ दिनधरि भेल सरकार बिरोधी प्रदर्शनके समय निहत्था प्रदर्शनकारी उपर सेनाके गोली चलाबय लेल आदेश देने आरोप लागल अछि ।
अहि प्रदर्शनके क्रममे करिब ८ सय ५० गोटेके मृत्यु भेल छल । मुदा १८ दिन बाद राष्ट्रपति हुस्नी मुबारकके अपन गद्यी छोडय परल छल ।
हुस्नी मुबारकके कार्यकालके समय तँताव ि२० बर्षधरि रक्षा मन्त्री छलथि ।

दशमीक आइ सप्तमी दिन बेलतोडी भ रहल


१६ आसिन, जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आइ सप्तमी दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ बेलतोडी भ रहल अछि ।
दशमीक आइ सप्तमी दिन माता कालरात्रीक पुजा कएल जा रहल अछि । पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा माता कालरात्रीके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता कालरात्रीके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।
अहिबिच काल्हि बेलनौती भेल छल आ काल्हि नौतल गेल बेलके आइ तोरि क लाओल जा रहल अछि । जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसँ पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब बाजागाजाके साथ बेलतोरी कार्यक्रममे सहभागी भ रहल अछि । काल्हि नौतलगेल बेलके आइ तोरिक आनि प्राण प्रतिष्ठा कराबयके जनबिश्वास रहल अछि । अहिके सँग आजुक दिन दुर्गा माताके दुर्गा मन्दिरमे प्रतिष्ठा कराओल गेल कहैत जाइत अछि त माटिक प्रतिमा बनाओल गेल सबमे माताक आँखिके पुर्ण रुपसँ तयार कएल जाति अछि । एम्हर जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे आइ माताक भब्य श्रृगाँर कएल जाएत । 
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 
राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

गिनिज बुक रेकर्डके लेल


पाराडाइज बीचमे बिकनी लगा क मार्च करैत । गिनिज बुक अफ वर्ड रेकर्डक लेल ३ सय ५७ महिला मार्चमे सहभागी भेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन