Monday, April 11, 2011

कुशियार किसान फेउर आन्दोलन करत


सर्लाही, चैत २८ । सर्लाहीके कुशियार किसानसब तोकल मुल्य प्राप्त करय फेउर आन्दोलन करयके निर्णय केलक अछि ।
 आइ हरिवन गाविसमे वैसल कुशियार किसान संयुक्त संघर्ष समिती एहन निर्णय केलक अछि । लम्बा आन्दोलनके बाद कुशियारक मोल प्रति क्वीन्टल चारि सय १ कायम करय सफल भेल कुशियार किसान तोकने अनुसारक भुक्तानी नहि पौलाबाद फेउर आन्दोलन शुरु करयबला अछि । बैसारसँ नेपाल कुशियार उत्पादक महासंघक  अध्यक्ष कपिल मुनि मैनालीके अध्यक्षतामे   सात सदस्यीय संघर्ष समिति गठन केलक अछि । समितिमे मिलगेट उखु उत्पादक संघक अध्यक्ष वेद वहादुर वुढाथोकी ,नेपाल उखु उत्पादक किसान संघक अध्यक्ष राजकुमार उप्रेती, किसान हकहित संरक्षण समितिक कोकिलानन्द उप्रेती, उखु उत्पादक संघक कृष्ण बहादुर खड्का, अगुवा किसानक डिल्ली प्रसाद उप्रेती एवं कमल बुढाथोकी छथि ।
किछ समय आगु सरकार चिनी उद्योगी आ कुशियार किसानक प्रतिनिधीबीच भेल वार्तामे सरकार चिनीमे उद्योगीसभबे ७० प्रतिशत भ्याट छुट करयके शर्तमे प्रतिक्वीन्टल कुशियारक मोल ४०१ रुपैयाँ देबयके सहमती होइतो कार्यान्वयन होबय नहि सकल अछि 

मोरङ आ सुनसरीमे बम विष्फोट


सुनसरी, चैत २८ । सुनसरीके इटहरी स्थित कोशी अँचल यातायात कार्यालय आ मोरङके बेलबारी स्थित मालपोत कार्यालयमे आइ भिन्सर बम विष्फोट भेल अछि ।
 इटहरीस्थित यातायात कार्यालयमे कार्यालयके महत्वपूर्ण कागजपत्र राखल १० नम्बर कोठलीके बाहरमे राखल प्रेसर कुकर बम भिन्सर करिब ३ बजेदिस विष्फोट भेल छल । बम विष्फोट कएलगेल स्थानमे खम्बुवान मुक्ति मोर्चाके पर्चा भेटलासँ वायह विष्फोट करौने आशंका कएलगेल अछि ।
 खम्बुवान राज्य प्राप्तिके लेल भूमिगत संघर्षत संगठन सरकारके चेतावनी देबय सरकारी कार्यालयमे बम विष्फोट केने जनाओलगेल अछि । अहिना, मोरङके बेलवारीस्थित मालपोत कार्यलयमे सेहो बम विस्फोट भेल अछि । कार्यलयके गेटमे राखल कुकुर बम भिन्सरमे विस्फोट भेल पुलिस जनौलक अछि । बम विस्फोट भेल स्थानमे खुम्बूवान मुक्ति मोर्चाके नामके पर्चा भेटलासँ इ दुनु विष्फोट एकेटा समुह करौने अनुमान अछि ।

ट्यांकर चालकके आन्दोलन स्थगित


विराटनगर , चैत २८ । इन्धन ढुवानीमे सिण्डिकेट लागू करय परत कहैत ट्यांकर चालकसभ सुरु केने आन्दोलन आइ बेरियासँ स्थगित भेल अछि ।
 नेपाल आयल निगम विराटनगरके क्षेत्रीय प्रमुख  नहि भेलाबाद आन्दोलन स्थगित कएलगेल अछि । निगमक क्षेत्रीय प्रमुख कार्यालयमे औलाबाद वार्ता करयके सर्तमे ढुवानी खुजल आ चालक गाडी चलौने जिल्ला प्रशासन कार्यालय मोरङ जानकारी देलक अछि ।
बितल ४  दिनसँ चालकसभ एकाएक ट्यांकर नहि चलाबयके घोषणा केलाबाद विराटनगर सहितक क्षेत्रमे पेट्रोलियम पदार्थक अभाब भेल छल ।

सर्लाहीमे दुर्घटना, ६ गोटे घाइल


सर्लाही, चैत २८ । सर्लाहीके नयाँयारोड बरहथवा सडक खण्डअन्तरगत आँप खोल्ची जंगल क्षेत्रमे आइ बेरियामे  मिनिबस दुर्घटना भेलासँ ६ गोटे घाइल भेल अछि ।
 सर्लाहीके भक्तिपुरसँ यात्रु लऽ बरहथवा जा रहल ज १ ख ६३८ नंम्वरक मिनीबस एकाएक दुर्घट्ना भेलाबाद घाइल  भेलसबके नमुना अस्पताल हरिवनमे प्राथमिक इलाजक बाद किछके बिरगंज आ आरोके भरतपुर रेफर कएलगेल अछि ।

अन्तिम युद्ध लडय कार्यकर्ताके निर्देशनः प्रचण्ड


२८ चैत, काभ्रे । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड शान्ति आ संविधानक लेल अन्तिम युद्ध लडय कार्यकर्ताके निर्देशन देलनि अछि ।
शान्ति आ संविधान नहि चाहयबला शक्ति षडयन्त्र कऽरहल कहैत प्रचण्ड अन्तिम युद्ध लडय कार्यकर्ताके निर्देशन देलनि । काभ्रेके पोखरीचौरीमे रहल जागृत उच्च मावि केने कार्यक्रममे प्रचण्ड अपने शान्ति आ संविधानक लेल अन्तिमधरि लडैत रहब बतौलनि ।

प्रजनन अधिकार संरक्षण करय सरकारके निर्देशन


२८ चैत, काठमाडौं । सर्वोच्च अदालत बन्दी जीवन वितारहल पति पत्निके प्रजनन अधिकार सुरक्षित करय सरकारके निर्देशन देलक अछि ।
सप्तरी कारागारमे बन्दी जीवन बितारहल सुरजा मरिक आ हुनक कनिया छोटनी देवी मरिकके तर्फसँ सेतु सामुदायिक विकास संस्था दायर केने रिटमे आइ न्यायाधीशद्धय बलराम केसी आ गिरिसचन्द्र लालके संयुक्त इजलाससँ जेलमे हुनकासभहक प्रजनन अधिकार सुरक्षित करय निर्देशन देलक अछि ।
इजलाससँ प्रजजन अधिकार सुरक्षित करय जेलमे रहल पति पत्निके संगै बैसय देबय एखुनक जेलके भौतिक अवस्था पर्याप्त नहि रहल कहैत सुधार करय निर्देशन देलक अछि ।
ओइके लेल कारागार शाखाक महानिर्देशनके संयोजकत्वमे नेपाल पुलिस आ कारागार विभागक अधिकृत रहल तीन सदस्यीय समिति गठन क ६ महिनाभितर प्रतिवेदन पेश करय सेहो निर्देशन देलगेल सर्वोच्चके सहप्रवत्ता हेमन्त रावल जानकारी देलनि ।
क्यानडा आ ब्राजिलमे जेलमे रहल पति पत्निके संगै बैसय देबयके व्यवस्था रहितो नेपालमे तत्काल सम्भव नहि रहल अदालतके ठहर अछि ।

समयमै संविधान नहि आओत त गम्भीर संकटः राष्ट्रपति


२८ चैत, तनहूँ । राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव राजनीतिक दलसभहक खिचातानीसँ शान्ति संविधान निमार्ण प्रक्रिया बीचेमे रुकय सकयके चिन्ता व्यक्त कएलनि अछि
दलसभ एक नहि हाएत त जनआन्दोलनक उपलब्धि संस्थागत नहि काएल जा सकैय ओ कहलनि जे-संविधान निमार्ण शान्ति प्रक्रियाके निश्कर्षमेहुँचाबय दलसभ सहमतिक विन्दुम पहँचयके विकल्प नहि अछितोक समयम संविधान जारी नहि होबय सकल त देशमे गम्भीर संकट आबयके चेतावनी ओ देलनि
तनहुँक चुदीरम्घाम आयोजना कएलगेल प्रथम भानु महोत्सवक आइ उद्घाटन करैत यादव दलसभके सत्तासँ सेहो संविधान निर्माण शान्ति प्रक्रियाप्रति गम्भीर होबय आग्रह कएलनि । दलसभहक कार्यशैलीप्रति असन्तुष्ट रहल राष्ट्रपति डा. यादव एखुनक अवस्था लम्बा समयधरि रहत त देशके अस्तित्व संकटमे परय सकयके चेतावनी देलनि
कार्यक्रमम कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल जनताक वलिदानीसँ स्थापित लोकतन्त्रके मजबुत बनाबय जेठ १४ भित संविधान निर्माण करयके धारणा रखने छलथि । सँगहि लोकतन्त्रक खिलाफम जाएबला कोनो  राजनीतिक दलके जनता साथ नहि देत ताहि लेल माओवादी लोकतान्त्रिक शासन पद्वतिके स्वीकार करय परत बतौलनि

शल्यकृया करैत काल एक महिलाके पेसाब नली कटाएल


जनकपुर, चैत २८ । रुमाल पेटभितर छुटल घटना सेराए नहि पबिते जनकपुर अंचल अस्पतालमे शल्यकृयाके क्रममे पेसाबनली कटएलाबाद एक महिलाके अवस्था गंभिर भेल अछि ।
 जनकपुर अंचल अस्पताल विकास समितिके मातहतमे कार्यरत डा सुरेन्द्रलाल कर्ण महोत्तरीके बेला एकडारा-८ के सरितादेवी यादवके शल्यकृया करैत काल पेसाबनली कटलनि अछि । अहिसँ आगु पत्रकार विकास शाहके कनियाके शल्यकि्रयाके क्रममे डा कर्ण पेटभितर रुमाल छोडने छलथि । चैत १२ गते प्रसुतीके लेल पहुँचल यादवके शल्यकृया कऽकऽ बच्चा निकालयके क्रममे पेसाबनली कटाएल अछि ।
शल्यकृयाके बाद पेसाब ३;४ दिनमे बन्द भेल बतैबतो १३ दिन बितलाक बादो आराम नहि भेलाबाद अस्पताल आएल यादव बतौलनि । मुदा इलाजमे संलग्न चिकित्सकसभ दरभंगा पटना लऽकऽ जाएब कहैत अस्पतालमे भर्ना करय  नहि मानलाबाद शुक्रदिन सांझमे थप इलाजक लेल भारतक दरभंगा पठाओलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन