Sunday, October 02, 2011

बैध पक्षद्धारा स्थायी समितिक बैसार बहिस्कार


१५ आसिन, काठमाण्डौ । पार्टी भितरके बिबादक बिषयमे बिमर्श करय बजाओल गेल एकिकृत नेकपा माओवादी स्थायी समितिक बैसार बरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैध किरण पक्ष बहिष्कार केलक अछि ।
बैध पक्ष बहिष्कार केलाबादो पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडाँ कोटेश्वरमे माओवादीक स्थायी समितिक बैसार बैसले छल । बैध पक्षमे रहल सचिव सिपी गजुरेल स्थायी समितिक बैसारसँ समस्या हल नहि होबय सकलासँ केन्द्रिय समितिक बैसार बजाओल गेल ओ केन्द्रिय समितिएसँ समस्या हल करय परत बतौलनि । १७ सदस्यीय माओवादी स्थायी समितिमे बैध पक्षक ५ गोटे अछि ।
मोहन बैध पक्ष सरकार गठनक क्रममे भेल ४ बुँदे सहमति राष्ट्रघाती भेल कहैत खारेजीके माँग केलक अछि त सँस्थापन पक्ष ओ सहमती राष्ट्रघाती नहि रहल कहैत पार्टी नेतृत्व बिरुद्ध सडक आन्दोलन करयबला बैध पक्ष उपर कारबाहीके माँग केलक अछि ।

माओवादी सेना भितर सेना बनाबय चाहने अछि ः पोखरेल


१५ आसिन, काठमाण्डौ । एमाले महासचिव ईश्वर पोखरेल लडाकु समायोजनके नाममे माओवादी सेना भितर सेना बनाबय चाहि रहल दाबी कएलनि अछि । माओवादीक एहन रणनितिके कारण समायोजन प्रकृयामे अबेर भ रहल ओ बतौलनि ।
अहिँसा दिवसक अवसरमे सेन्टर फर डेमोक्रेसी एण्ड डेभलपमेण्ट आ तक्षसिला एकेडेमी राजधानीमे आयोजना केने कार्यक्रममे महासचिव पोखरेल इ बात बतबैत कहलनि जे सँचार आ जनताके लेल माओवादी किछ करय चाहिरहल जेहन देखाबय चाहितो ठोस रुपमे अखनधरि किछ करय नहि सकल अछि ।
महासचिव पोखरेल पहिलबेर नेपालमे बृहत इतिहासक बहस भ रहल कहैत शान्ति प्रकृया आ सँबिधान निर्माणक बहस सार्थक निष्कर्षमे पहुँचत त नयाँ उचाइमे पहुँचय सकयके बतौलनि ।
महासचिव पोखरेल मिडिया सेहो सब दलके गोलमटोल बना क प्रस्तुत करहल कहैत चिन्ता ब्यक्त केलनि ।

माओवादी लडाकुके मासिक भत्ता १५ सय बढल


१५ आसिन, काठमाण्डौ । सरकार शिविरमे रहल माओवादी सेनाक लडाकुसबहक मासिक भत्ता १५ सय रुपैँया बढौलक अछि ।
मन्त्रिपरिषदक आइ बैसल बैसारसँ साउन १ गतेसँ लागु होबय जका लडाकुसबहक भत्ता प्रति महिना १५ सय रुपैया बढाबयके निर्णय केलक अछि । अहिके सँग शिबिरमे रहल १९ हजार लडाकुके आब मासिक भत्ता ६ हजार ५ सय भेटत । खाना खर्चके लेल अलगसँ दुर्गम क्षेत्रबलाके ज्ञ सय १२ रुपैया आ सुगम क्षेत्रके लडाकुके ७० रुपैया देल जाएत ।
माओवादीक १९ हजार ५ सय ७५ हजार लडाकु सात मुख्य आ २१ सहायक शिविरमे रहैत आएल अछि ।

स्वास्थ्यमन्त्री महतो शुभकामना कार्डके सँगे पैसा सेहो बँटलथि


१५ आसिन, काठमाण्डौ । स्वास्थ्य तथा जनसँख्या मन्त्री राजेन्द्र महतो पत्रकारसबके दशमीके शुभकामना कार्डसँगे  पैसा सेहो बटलनि अछि ।
ओ जरुरी काज अछि कहैत सहयोगी मार्फत टेलिफोन करा क पुल्चोक स्थित सरकारी निवासमे बजा क शुभकामना कार्ड सहित ५ हजारसँ ८ हजार रुपैयाधरि नगद बितरण केलनि अछि ।
स्रोतक अनुसार अपनाके सहयोग केने कहैत मन्त्री महतो किछ पत्रकारसबहक सुची अपनेसँ तयार केने छलथि । ओ अपन पार्टीक किछ शिर्ष नेतासब मार्फत टिपौने पत्रकारसबहक सुची तयार क सहयोगी मार्फत हरेक बर्ष मन्त्रि रहितो आ नहि रहलो समयमे पत्रकारसबके पैसा बँटैत अबैत छथि ।
स्वास्थ्यमन्त्रि शुभकामना कार्ड सँगे नगद बँटने कहैत नेपाल पत्रकार महासँघ आपति जनौलक अछि । कार्यवाहक महासचिव जगत नेपाल आइ एक बिज्ञप्ति जारी क कहलनि जे स्वास्थ्य मन्त्रिक इ काज पदीय मर्यादा बिपरित मात्रे नहि कि नेपालक अन्तरिम सँबिधान आ कानुनके प्रत्यक्ष उल्लँघन सेहो अछि ।
महाससँघ स्वास्थ्य मन्त्रीक काज अख्तियारके दुरुपयोग आ भ्रष्टाचार नियन्त्रण ऐनबिपरितके काज भेल, सत्ता आ शक्तिके आडमे सरकारी रकमके दुरुपयोग क पत्रकार आ सँचारमाध्यमके भ्रष्ट आ अपन प्रशँसक बनाबय चाहने कोशिसके रुपमे लेने जनौलक अछि । अहिदिस आबश्यक अनुसन्धान क कारबाही प्रकृया आगु बढाबय महासँघ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगके बिज्ञप्ति मार्फत ध्यानाकर्षण सेहो करौलक अछि ।

प्रचण्डके ५ टा काज करयके सल्लाह देने छीः सभापति कोइराला


काठमाण्डौ, आसिन १५ । काँग्रेस सभापति सुशिल कोइराला माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालके शान्ति पकृयाके ५ टा काज करय सलाह देलनि अछि ।
अहिँसा दिवसक अवसरमे सेन्टर फर डेमोक्रेसी एण्ड डेभलपमेण्ट आ तक्षसिला एकेडेमी आयोजना केने कार्यक्रममे सभापति कोइराला सरकारक सेहो नेतृत्व केने आ शान्ति प्रकृयाक एकटा पक्ष सेहो भेलासँ काम करय सहज भेल दाबी कएलनि ।
प्रचण्डसँ अबिलम्ब केन्द्रिय समितिक बैसार बजा क ओ ५ टा काज करयके निर्देशन देबयके सलाह देने कहैत ओ कन्टेनरके चाबी मात्रे नहि कि हतियार सेहो बुमmाबय, कब्जा घर जमिन फिर्ता करय, वाइसीएलके अर्धसैनिक सँरचना भँग, जनस्वयँसेवक दस्ता भँग करयके आ क्रान्तिकारी जनपरिषद भँग करय कहने बतौलनि ।
सभापति कोइराला शान्ति प्रकृया पुरा करय प्रधानमन्त्री भटराइ अलमला रहल आरोप लगौलनि ।

हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई पाँचम दिन


१५ आसिन , जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई पाँचम दिन जनकपुर सहितक नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे माता कात्यानीके पुजा कएल जा रहल अछि ।
पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा माता कात्यानीके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । अहिसँ आगु काल्हि चौथी आ पञ्चमी एके दिन परलासँ माता कुशमाण्डा आ दोसर माता स्कन्धाके एके दिन पुजा कएल गेल छल त आइ माता कात्यानीके पुजा कएल जा रहल अछि ।
आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता कात्यानीके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 
राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।
अहिबिच, आई जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसँ पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब बाजागाजाके साथ बेलनौती कार्यक्रममे सहभागी भेलनि अछि । आइ बेलके नौतल गेल अछि । आइ नौतल बेलके काल्हि तोरि क लाओल जाएत जकरा बेलतोडी सेहो कहल जाति अछि । एनाक बिधिपुर्वक बेल तोरि क अनलाक बाद काल्हि माताक श्र्रगाँर सेहो कएल जाएत ।

ट्युनिसियामे आमनिर्वाचनके प्रचार प्रसार


१५ आसिन, एजेन्सी । आगामी २३ अक्टोबरसँ होबयबला आम निर्वाचनके लेल ट्युनिसियामे प्रचारप्रसार शुरु भेल अछि । देशके नयाँ संविधानके मस्यौदा तयार करयके लक्ष्य सहित होबयबला चुनावमे ८१ राजनीतिक दल भाग लेबय लागल अन्तराष्ट्रिय संचारमाध्यमसब जनौलक अछि । बितल जनवरीमे भेल क्रान्तिके बाद ट्युनिसियामे इ पहिल निर्वाचन अछि । उत्तरी अफ्रिकी देशमे भेल इ क्रान्तिसँ अन्य अरब देशसबमे सेहो क्रान्तिके लहर फैलल विश्लेषकसबहक कहब अछि ।

भेदभाव विरुद्धक प्रदर्शनमे अमेरिकामे ५ सय सँ बेसी पुलिसक नियन्त्रणमे


१५ आसिन, एजेन्सी । आर्थिक भेदभाव विरुद्धक प्रदर्शनमे उतरल सैंयौ नागरिकके अमेरिकी पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
बोस्टन, शिकागो, सन फ्रान्सिस्को सहितक शहरमे प्रदर्शन भ रहल अछि । वित्तिय क्षेत्र वाल स्ट्रिटमे कब्जा करयके अभियान चलबैत प्रदर्शनमे उतरल ओकरासबके पुलिस गिरफतार केलक अछि । अमेरिकी समाजमे धनी आ गरिब बीचके दूरी बढैत गेलासँ बेरोजगारी हटाबयके माँग करैत ओसब दु हप्तासँ प्रदर्शन करैत आएल अछि । प्रदर्शनकारीसब सरकार पूँजीपतिसबके साथ देने आरोप लगौलम अछि त किछ ठाममे विरोधी गठबन्धन सेहो तयार कएल गेल अछि ।

माओवादी दक्षिण एसियाक सबसँ पैघ पार्टी


काठमाण्डौ, आसिन १५ । राप्रपा नेपालक अध्यक्ष कमल थापा नेपालक माओवादी दक्षिण एसियाक सबसँ पैघ पार्टी भेल दाबी कएलनि अछि ।
राजधानीमे आइ आयोजित एक अन्तरकृया कार्यक्रममे अध्यक्ष थापा इ दाबी कएलनि अछि । ओ माओवादी लडाकुसँग आ हतियार रहलासँ ओ अपन ताकत देखारहल बतौलनि ।
अध्यक्ष थापा माओवादी आब जँगल नहि जाएत ठोकुवा कएलनि । ओ कार्यक्रममे उपस्थित भारतिय कार्यवाहक राजदुत जयदिप मजुमदार प्रति लक्षित करैत भारतमे सेहो काँग्रेस आइ सँ भारतिय जन्ता पार्टी धनीक रहल बतौलनि ।
कार्यक्रममे काँग्रेस सभापति सुशिल कोइराला सेहो माओवादी जलबिद्युत, होटल, रेस्टुरेन्टमे लगानी क चुकलासँ जँगल नहि जाएत ठोकुवा कएलनि ।

खैरा हिरोइन सहित एक पक्राउ


जलेश्वर, आसिन १५ । महोत्तरी जिल्लाके महेन्द्रराजमार्गमे परयबला रातो पुल लगसँ पुलिसे चेकजाँचक क्रममे खैरा हिरोइन सहित एक गोटेके गिरफतार केलक अछि ।
            अहिना गिरफतार होबयबलामे  महोत्तरी सोनामाई२ के विश्वेश्वर यादव रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।
            इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवाससँ प्रहरी निरिक्षक सागर थापाके कमाण्डमे रहल टोली चेकजाँचक क्रममे बर्दिवाससँ पूर्वमे रहल धनुषा महोत्तरीके सिमामे अवस्थित रातो पुलसँ खैरा हिरोइन सहित यादवके गिरफतार केने छल । यादवके साथसँ पुलिस २ ग्राम ब्राउन सुगर बरामद केने छल ।

मन्त्रीपरिषद्क बैसारसँ लडाकुके भत्ता बढाबयके निर्णय


१५ आसिन, काठमाण्डौ । नेपाल सरकार मन्त्रीपरिषद्क बैसारसँ राष्ट्रपतिके आसन्न कतार भ्रमणके कार्यतालिका स्वीकृत केलक अछि ।
भिन्सर प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रपरिषद् कार्यालय सिंहदरवारमे बैसल बैसारसँ भ्रमणसम्बन्धी कार्यक्रम स्वीकृत केलक अछि । अहिना बैसारसँ शिविरमे रहल माओवादीक लडाकुके भत्तामे १५ सय रुपैंयाँ वृद्धि केलक अछि । तहिना लगानी बोर्डके कार्यकारी निर्देशक सिफारिस करय तीन सदस्यीय कार्यदल गठन केलक अछि । कार्यदलके संयोजकमे अर्थमन्त्रीके तोकलगेल अछि । अहिना, समाधि सम्बन्धी विवाद अन्त्यक लेल सात सदस्यीय समिति सेहो गठन केने अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन