Saturday, March 19, 2011

खेल समाचार

एजेन्सी, चैत ५ - I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत आइ बँगलादेशक मिरपुरमे सम्पन्न साउथ अफ्रिका आ बँगलादेश बिचक खेलमे साउथ अफ्रिका बँगलादेशके २०६ रनक बिशाल अन्तरस पराजित केलक अछि ।
८ बिकेटक क्षतिमे २८४ रन बनौने साउथ अफ्रिका टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत बँगलादेश समक्ष जितयके लेल २८५ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केने छल ।
साउथ अफ्रिकाके क्यालिस ६९, प्लेसिज ५२, अमला ५१ आ स्मिथ ४५ रनक योगदान देने छलथि त बँगलादेशक रुबेल हुसैन सर्बाधिक ३ बिकेट लेने छलथि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल बँगलादेश २८ ओभर खेलैत सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे ७८ रन मात्र बनाब सकल ।
बँगलादेशक साकिब अल हसन सर्बाधिक ३० रन बनौने छल त आरो कोनो ब्याट्सम्यान दोहरा अँकधरि नै छुबय सकलथि । साउथ अफ्रिकाक लेल पिटरसन ४ बिकेट लेने छलथि ।
अहिके सँग बंगलादेश विश्वकप क्रिकेटके समुह चरणस बहराएल अछि । बंगलदेश बहरएलाबाद इग्ल्याण्ड आ वेष्टइण्डिज अन्तिम आठमे पहुँचय सफल भेल अछि । समुह बी स भारत आ दक्षिण अफ्रिका अहिस आगुए क्वाटर फाइलनमे पहुँच चुकल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर कोलोम्बोमे भ रहल अष्ट्रेलिया आ पाकिस्तान बिचक खेलमे अष्ट्रेलिया टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत समाचार तयार करयधरि ,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत ,,,,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे ,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।

अपने वार्ता टोलीमे छी से नहि वुझलः उपाध्यक्ष राइ

काठमाण्डू, चैत ५ । नेकपा एमालेक उपाध्यक्ष अशोक राई अपने सेहो वार्ता टोलीमे रहल अपनाके जानकारी नहि रहल बतौलन्हि अछि ।
पार्टी लिखित या मौखिक रुपमे सेहो अपने वार्ता टोलीमे रहल बात नहि जनौने कहि दुःख व्यक्त कएलन्हि अछि । वितल बृहष्पतिदिन एमाले स्थायी समितिक बैसार सरकार बाहर रहल दलसभके सेहो सरकारमे लाबयके उद्येश्य सँ पुर्वप्रधानमन्त्री माधबकुमार नेपालके संयोजकत्वमे राई सेहो रहय जँका पाँच सदस्यिय वार्ता टोली गठन कएने छल । पत्रपत्रिका आ रेडियो सँ अपने सेहो बार्ता टोलीमे छि जानकारी भेल मुदा अखनधरि पार्टी सँ आधिकारीक जानकारी नहि कराओल गेल उपाध्यक्ष राई सञ्चारकर्मीसभ सँग बातचित करैत कहलन्हि ।
महासचिव ईश्वर पोखरेल सदस्यसभके जानकारी कराबयके जिम्मा वार्ता टोलीक संयोजकके रहल बतौलन्हि । वार्ता टोलीमे उपाध्यक्ष वामदेव गौतम, महासचिव ईश्वर पोखरेल आ स्थायी समिति सदस्य केपी शर्मा ओली सेहो सदस्य छथि ।

टोकियोस नेपाली दूतावास घुसकाबयके निर्णयके विरोध

जनकपुर, चैत ५ । जापानमे भुकम्प तथा सुनामीके प्राकृतिक बिपत्तिके बाद फैलल आणविक त्रासके कारण राजधानी टोकियोस नेपाली दूतावास घुसकाबयके निर्णयके विरोध भेल अछि ।
टोकियोस्थित नेपाली दूतावास अवस्था देख कय आगामी मंगलस ओसाकास काम सुरु केने जनौलक अछि । दूतावास घुसकाबयके तयारी सुरु भेलाबाद कांग्रेस निकट जनसम्पर्क समिति आ एमाले निकट नेपाली लोकतान्त्रिक मञ्च विरोध केलक अछि ।
नेपालीसबके जानकारी नै द एकाएक दूतावास ओसाका घुसकौला पर त्रास फैलल कहैत लोकतान्त्रिक मञ्च निर्णय सच्याबऽ माँग केलक अछि । 'दूतावासक एहन निर्णयस सव नेपालीके आतंकित आ आरो त्रसित बनाबयके काम केने अछि,' मञ्चक विज्ञप्तीमे जनाओलगेल अछि ।

लीबियाः गद्दाफी झुकल, युद्ध विरामक घोषणा


लिबिया, चैत ५ । संयुक्त राष्ट्रके दिसस लीबियामें नो फ्लाई जोनके मंजूरी दैते लीबिया युद्धविरामके घोषणा केलक अछि ।
अहिस पहिने फ्रांस दावा केने छल जे अमेरिका तथा ओकर सहयोगी देशके दिसस लिबियाके खिलाफ किछुए घंटाके भितर सैन्य कार्रवाही कएल जाएत । युद्धविराम आ फ्रांसके दावाके बाद लीबियाई राष्ट्रपति वैश्विक दबावके आगु झुकैत काल्हि युद्धविराम घोषित करयके सँगही विद्रोहीके खिलाफ सम्पुर्ण सैन्य अभियान रोकि देने अछि ।
लीबियाके विदेश मंत्री मूसा कौसा सरकारी टेलीविजन चैनल प प्रसारित अपन संबोधनमें कहलनि जे हमसब युद्धविरामके घोषणा क देने छी आ संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद के प्रस्तावके अनुसार सम्पुर्ण नागरिकके सुरक्षा सुनिश्चित करय लेल सभ किसिमक सैन्य अभियानके रोकि देने छी ।
कौसा कहलनि जे युद्धविराम लागू भेलास देश एक बेर फेउर सुरक्षित स्थितिमें आबि जाएत

खेल समाचार


एजेन्सी, चैत ५ - I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत आइ बँगलादेशक मिरपुरमे भ रहल साउथ अफ्रिका आ बँगलादेश बिचक खेलमे साउथ अफ्रिका बँगलादेश समक्ष जितयके लेल २८५ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
साउथ अफ्रिका टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत पुरा ओभर खेलैत ८ बिकेटक क्षतिमे २८४ रन बनौलक अछि ।
साउथ अफ्रिकाके क्यालिस ६९, प्लेसिज ५२, अमला ५१ आ स्मिथ ४५ रनक योगदान देलनि त बँगलादेशक रुबेल हुसैन सर्बाधिक ३ बिकेट लेलनि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल बँगलादेश टिम समाचार तयार करयधरि ,,,,,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे ,,,,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर कोलोम्बोमे भ रहल अष्ट्रेलिया आ पाकिस्तान बिचक खेल भारतिय समय अनुसार बेरियाके साढे २ बजे शुरु हाएत ।

भग्नाबशेषस ८ दिनक बाद युवकके जीविते उद्धार


टोक्यो, चैत ५ । जापानमे भुकम्प आ सुनामीके ८ दिन बाद एक व्यक्तिके जिविते उद्धार कएलगेल अछि । जापानी रेडियोके अनुसार मोरिया नामक एक युवकके ध्वंस भ चुकल भवनके दोसर तल्ला उद्धार कएलगेल अछि ।
हुनका इलाजक लेल नजदिकक एक अस्पतालमे भर्ना कएलगेल अछि । बाजय नै सकयके अवस्थामे रहल हुनक स्वास्थ्य अवस्था स्थीर रहल इलाजमे संलग्न चिकित्सकसब बतौलनि अछि ।
एक राहतकर्मी समाचार एजेन्सी एपीके कहलनि जे, ‘हुनका हम कम्बलमे लपटाएल अबस्थामे देखने रही आ ऊ एकदमे थाकल जका लगैत छल ।’

मधेशक किछ ठाममे अहिबेर सोमदिन होरि

जनकपुर, चैत ५ । मधेशक किछ ठाममे अहिबेर होरि पर्व एकदिन बाद हाएत जनाओलगेल अछि ।
धनुषा, महोत्तरी सहितक मिथिला क्षेत्रक किछ ठाममे फागुन शुक्ल पूणिर्माके दिन होलिका चिर दहन कक प्रातभिने होरि खेलयके प्रचलन रहितो अहिबेर ओ दिन रबि परलास सोमदिन होरि पर्व मनाबयके तयारी कएलगेल बताओलगेल अछि ।
होरिमे काटमार आ माउसके अत्यधिक प्रयोग भेलास रबिदिन मिथिलामे काटमार आ माउस नै खाएके चलनस होरि पाबनि एक दिन पाछु घुसकल बृद्धसब बतौलनि अछि ।

सावधान ! होलीमे प्रयोग होबयबला रंगस क्यान्सर भ सकैत अछि


काठमाडौं, चैत ५ । होलीमे प्रयोग होबयबला कतेकौ रंग स्वास्थ्यके दृष्टिस बहुत हानिकारक भेलास रंगके प्रयोग करैत काल सचेत रहय चिकित्सकसब सुझाव देलक अछि । चिकित्सकके अनुसार रसायनयुक्त रंगक प्रयोगस छला सहित शरीरक अन्य अंगमे क्यान्सर सेहो भ सकैत अछि ।
छालारोग विशेषज्ञ डा. सुरेन्द्रलाल राजभण्डारी होलीमे प्रयोग होबयबला रंगस बहुत समस्या भेलास जेना तेना ईनामेल, रंग या अविर नै लगाबय आग्रह कएलनि । होलीमे बेसी मात्रामे खुरदुरा, हरियर आ रंगमे ‘लिड अक्साइड’ नामक रसायनयुक्त तत्व मिलाएल रहल बतौलक अछि । एहन रंग बेसी मात्रामे प्रयोग भेल त मिर्गौला, आँखि, कान जेहन संवेदनशिल अंगमे असर करत चिकित्सकके कहब अछि ।

मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा आइ जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा कऽ सम्पन्न

जनकपुर, चैत ५ । फागुन २० गतेसँ शुरू भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा आइ जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा कऽ सम्पन्न भेल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक अमाबस्या तिथिसँ प्रारम्भ भेल ई माध्यमिकी परिक्रमा जनकपुरक हनुमान गढीमे एकत्रित भेल बिभिन्न मठ मन्दिर तथा कुटीसँ निकलल राम जानकीक डोलासभ भारत नेपालक बिभिन्न भागक परिक्रमा करैत काल्हि जनकपुरक बारह बिग्हा स्थित झुला घरमे आएल छल ।
अहि परिक्रमामे सहभागी होबय नेपाल भारतक दुर दुरसँ साधु सन्त तथा श्रद्बालु भक्तजनसभहक पैंग सँख्यामे आएल छल त ठाम ठाममे बिभिन्न क्लब सभ निशुल्क चुरा मिठाके ब्यबस्था सेहो कएने छल । वितल रातिए सँ अन्तरगृह परीक्रमामे सहभागी होयवाकलेल जनकपुरमे श्रद्धालु भक्तजनसभकेँ भीड लागल छल । १५ दिनक मिथिला माध्यमिकी परीक्रमाक बराबर अन्तरगृह परीक्रमामे पुण्य फल भेटयके बिश्वास रहलाक कारणसँ सेहो अन्तरगृह परीक्रमामे बेसी भीड रहैत अछि ।
अन्तरगृह परीक्रमा करयवला सभकेँ जनकपुरवासी रंग अविर लगावि स्वागत कएलन्हि अछि तऽ परिक्रमा घुमयवलाकेँ ठाम ठाममे पानि सभकेँ व्यवस्था सेहो कएलगेल छल ।
अहिबिच , होरिक अवसरमे मिथिला नाट्यकला परिषद आइ जनकपुरक जानकी मंदिरक प्राङणमे महामुर्ख सम्मेलनके आयोजन कएने अछि।
परिषद होरीक अवसरमे काँल्हि होरीया गीत प्रतियोगिता सम्पन्न कएने छल । एहि प्रतियोगितामे प्रथम, द्धितीय, तृतीय आ सान्तवना पुरस्कार सेहो देलगेल छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन