Wednesday, October 12, 2011

प्रधानमन्त्री ४ दिना भारत भ्रमण करताह


काठमाडौ, आश्विन २५ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई कात्तिक ३ सँ ६ गतेधरि भारतक औपचारिक भ्रमण करयके तय भेल अछि । परराष्ट्र मन्त्रालय तयार केने प्रारम्भिक कार्य सूचीमे प्रधानमन्त्रीके सुरुमे प्रस्तावित सात दिना भ्रमण छोट कऽ ४ दिनमा कएल गेल अछि ।

पहिल ३ दिन  प्रधानमन्त्रीके भारतीय राष्ट्रपति, प्रधानमन्त्री, अर्थमन्त्री, विदेशमन्त्री सहितक विशिष्ट पदाधिकारीसबसँग औपचारिक भेटवार्ता करयके कार्यक्रम रहल अछि । वायह बीचमे भारतस्थित फ्रेन्ड्स अफ नेपालके पदाधिकारी तथा जवाहरलाल नेहरू युनिभर्सिटीमे आयोजना होबयबला समारोहमे भट्टराई सहभागी हेताह ।

भ्रमणक क्रममे नेपालभारत संयुक्त आर्थिक विकास परियोजना अन्तर्गतके साझा भन्सार बिन्दु, सुख्खा बन्दरगाह, तराई सडक आदिबारे बातचित हाएत ।

महत्वपुर्ण समाचारसब

२०६८  


बैशाख


१९ गते - ( २ मई २०११ ) । अल क़ायदा प्रमुख़ ओसामा बिन लादेनके अमरीकी सैनिक  पाकिस्तानके ऐबटाबादमें गोली मारि कऽ हत्या केलक ।

आसिन


८ गते -  माउन्टेन फ्लाइटसँ घुरि रहल बुद्ध एयरके बीचक्राफ्ट विमान ललितपुरके विशंखुनारायण आ लामाटार गाविसके बीचमे परयबला कोटडाँडामे दुर्घटनाग्रस्त भेलाबाद १९ गोटेके मृत्यु ।

२३ गते - भारतिय चर्चित गजल के गायक जगजित सिँहक ७० बर्षक उमेरमे निधन ।

२६ गते - सिन्धुलीसँ काठमाडौं जाऽ रहल एकटा यात्रुबाहक बस सुनकोसी नदीमे खस्लाबाद कमसँ कम ४६ गोटेके मृत्यु ।

कातिक 

१ गते -  नेपालगञ्जसँ रोगसबके लऽ काठमाडौं जाऽ रहल नेपाली सेनाक आर.ए.एन ४९ आईलेण्डर बिमान दुर्घटनाम विमानम सवार सम्पुर्ण गोटेके मृत्यु ।  

३ गते - 2011 October 20 ।. लीबियामें पूर्व शासक कर्नल मुअम्मर गद्दाफ़ीके सिर्तमें हुनक वफ़ादार अंतरिम सरकारके सैनिके बीच भेल  दुतर्फी भिडन्तमे मृत्यु । 


४ गते - नेपालक प्रधानमन्त्री बाबुराम भटराइ आ भारतक प्रधानमन्त्री मनमोहन सिँहबिच बिपा सम्झौता । सम्झौतामे भारत उद्योगीके नेपालमे लगानी करय आग्रह । उद्योगमे घाटा भेला पर ओकर सम्पुर्ण क्षतिपुर्ति नेपालके ब्योहरयके सहमति ।


१० गते - राष्ट्रिय विभुति शंखधर साँख्वा प्रचलनमे लौने नेपाल सम्बत आईसँ शुरु । सन् १९०३ मे तत्कालीन प्रधानमन्त्री चन्द्र शमशेर नेपाल सम्बत् प्रयोगमे रोक लगबैत विक्रम सम्बत् लागू केने छलथि । साँख्वाके सरकार २०५६ साल अगहन २३ गते राष्ट्रिय विभुति घोषणा केने छल ।


१४ गते - ( 31 october 2011 ) विश्वके जनसंख्या सात अर्ब पार कऽ चुकल अछि सात अरबवाँ बच्चाक जन्म फिलिपींसके राजधानी मनिलामे भेल अछि फिलीपिंसक एकटा अस्पतालमे जन्म लेने ओ बच्चाक नाम डैनिका रहल अछि । डैनिकाके जन्म राति करिब १२ बजे भेल छल यूनाइटेड नेशनके वेवसाइट पर एहि विषयमे तथ्यांक दर्ज भऽचुकल अछि एहिके सँग दुनियाके जनसंख्या सात अर्ब पार कऽचुकल अछि


२४ गते - २०६८ कातिक २४ आ २५ गते माल्दिभ्समे १७ हम् सार्क सम्मेलन सम्पन्न भेल अछि ।


अगहन


१२ गते - देशभरि अखनो ५२ लाख निरक्षर  । अनौपचारिक शिक्षा केन्द्र सानोठिमी पचहतरो जिल्ला शिक्षा कार्यालयसँ सङ्कलित १५ वर्षसँ उपरके समूहक निरक्षरताके सङ्ख्या सार्वजनिक केलक  ।  देशभरि हाल १५ वर्षसँ उपरके १७ लाख ३८ हजार ६४३ पुरुष आ ३४ लाख ३५ हजार ३३६ महिला निरक्षर । देशके पचहतरो जिल्ला मेसँ सबसँ बेसी निरक्षर रहल जिल्ला सर्लाही आ सबसँ कम रहल जिला मनाङ  । सर्लाहीमे एकलाख ३२ हजार ७९८ महिला आ ८८ हजार ८९७ पुरुष निरक्षर तथा मनाङमे ९०७ महिला आ ४९९ पुरुष निरक्षर ।




 १५ गते -  नेपाल भ्रष्ट्रचार करयके देशके १ सय ५४ हम् नम्बरमे  । ट्रान्सपरेन्सी इन्टरन्यानशलके प्रतिवेदन अनुसार भ्रष्टचारीके नम्वरमे बितल  वर्ष १ सय ४६ हम् स्थानमे छल । १ सय ८३ देश मेसँ नेपाल १ सय ५४ हम् स्थानमे अछि तऽ सबसँ बेसी भ्रष्टमे सोमालिया, उत्तर कोरिया आ म्यानमार रहल अछि । अहिना सबसँ कम भ्रष्टमे न्यूजिल्याण्ड रहल अछि ।



१८ गते - ( 04 Dec. 2011 ) - भारतीय सिनेमाके सदाबहार अभिनेता देवानंदके लंदनमें हृदयघातक कारण ८८ बर्षक उमेरमे निधन । 


पुष



पुष ३ गते ( रविवार, 18 दिसंबर, 2011 ) । इराक़में रहल अमरीकी सैनिकसब आइ भिन्सर इराक़ छोड़ि कऽ कुवेतके तरफ प्रस्थान , जाहिके साथ  करीब ९ साल पुरान अमरीकी सैन्य अभियान ख़त्म भऽ गेल  । इराक़में अमरीकी सेनाके अभियान 2003 में अमरीका द्धारा कएलगेल हमलासँ शुरु भेल छल । जाहिके बाद सद्दाम हुसैनके शासनके अंत भऽ गेल छल । सद्दामके सत्ता सँ हटाओल गेलाक बाद इराक़में विद्रोहीके सँग भेल संघर्षमे करिब 4500 अमरीकी सैनिके मृत्यु भेल तऽ करिब 32000 गोटे घाइल भेल आ सैकड़ों अरब डॉलर अहि सैन्य अभियान पर खर्चा कएल गेल । एक समय इराक़में एक लाख ७० हज़ार अमरीकी सैनिक छल आ ओ सब करिब ५०० सँ बेसी क्याम्प बनौने छल ।



१० गते -  ( 25 Dec. 2011 ) - 
अमेरिकाके १५ वर्षक उमेरमे जर्डन रोमेरो विश्वके सातो महादेशके उँच शिखर आरोहण कऽ किर्तीमान कायम केलनि अछि । १३ वर्षके उमेरमे सगरमाथाके आरोहण करय सफल ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

उत्तरी मेक्सिकोके पहाडी क्षेत्रमे बनल विश्वके सबसँ उँच पुलके उद्घाटन भेल अछि । मेक्सिकोके कठिन रास्तामे बनल बुलआर्ट पुल ४ सय ३ मिटर अर्थात १३२२ फुट उँच अछि । ११२४ मिटर लम्बा पुल ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।






धस्नामे परि एक महिलाके मृत्यु तीन घाइल


सर्लाही, आश्विन २५ । घर निपय लेल माटि लेबय गेल १ गोटेके सर्लाहीमे माटिके धस्नामे परि मृत्यु भेल अछि तऽ ३ गोटे घाइल भेल अछि ।

सर्लाहीके अत्रौली गाविसमे  पटौना नदी लग आइ  माटि खनय काल अत्रौली गाविस-१ के ३५ बर्षक कुमारीदेवी यादवके धस्नामे पिचा कऽ मृत्यु भेल अछि । उद्धार कऽ हुनक अस्पताल पहुँचैबतो मृत्यु भेल पुलिस  जनौलक अछि ।

वायह ठामक १३ बर्षक ममता कुमारी यादव, ३० बर्षक गंगा देवी महतो आ ३५ बर्षक चन्द्रकला यादव गंम्भीर घाइल भेल अछि । प्रहरी नायव उपरीक्षक कृष्ण प्रसाईं घाइल तीनु गोटेके इलाजक लेल अस्पताल पठाओल गेल जानकारी देलनि ।

माओवादीके दुनु पक्षक राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला स्थगित


२५ आसिन, काठमाण्डौ । एकीकृत माओवादीक संस्थापन बैद्य पक्ष बजौने राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला स्थगित भेल अछि

माओवादी पदाधिकारीसबहक भिन्सर बैसल बैसारसँ संस्थापन पक्ष २९ गते बजौने वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण पक्ष २८ गते बजौने कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला स्थगित करयके निर्णय केलक अछि

संस्थापन पक्षले पार्टीक आधिकारिक लाइनबारे जानकारी देबय कहैत आसिन २९ गते प्रशिक्षण भेला बजैबते बैद्य पक्ष २८ गते समानान्तर भेला बजौने छल । प्रचण्ड निवास नयाँबजारम ैसल पदाधिकारीसबहक बैसारसँ कार्तिक १७ गते केन्द्रीय समितिक बैसार बजौने अछि । बैसारसँ केन्द्रीय समितिके निर्णय नहि करयधरि विवादास्पद अभिव्यक्ति हि  देबय आ बिमर्श भेला जेहन कार्यक्रम नहि करयके सेहो निर्देशन देलगेल अछि

माओवादी पदाधिकारीसबहक बैसारसँ भूमिसुभार मन्त्री एवं पार्टी केन्द्रीय सदस्य प्रभु साहविरुद्ध लगाओलगेल हत्या आरोपक मुद्धा निराधार रहल कहैत सरकारक ध्यानाकर्षण करौने अछि । बैसारमे सातपदाधिकारीक सहभागिता छल अहिसँ आगु बैद्य पक्ष पदाधिकारी  स्थायी समितिक बैसार बहिस्कार करैत आएल छल

facebook Page Like

  • मनोरँजन