Tuesday, July 26, 2011

माओवादी आ एमालेबीच उच्चस्तरीय वार्ता भ रहल



१० साउन, काठमाडौं । दु प्रमुख सत्तारुढ दल एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेकपा एमालेक शीर्ष नेतासबबीच उच्चस्तरिय वार्ता भ रहल अछि ।

प्रधानमन्त्री कार्यालय सिंहदरबारमे भ रहल वार्तामे पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन तथा मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनबारे बिमर्श भ रहल अछि । पाँचबुँदे सहमतिके मर्म आ भावना अनुसार राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनाबयके एमाले स्थायी समितिके निर्णय अनुसार वार्ता होबय लागल प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि ।

बैसारमे माओवादी प्रस्ताव केने नयाँ मन्त्रीके नाम आ एमाले स्थायी समिति बैसारके निर्णयबारे बातचित हाएत थापा बतौलनि ।
आइ भिन्सर बैसल एमाले स्थायी समितिक बैसारसँ मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन करयके माओवादी प्रस्ताव पाँचबुँदे सहमति विपरित भेल कहैत अस्वीकार केने छल ।

पाँचबुँदे सहमति अनुसार राष्ट्रिय सहमतिके सरकार गठन करय लेल एमालेके जोड अछि ।

काँग्रेस आइयो संसद अवरुद्ध करत


१० साउन, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस प्रधानमन्त्रीके राजीनामा नहि देबयधरि सदन चलय नहि देत जनौलक अछि ।

पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल कांग्रेस केन्द्रीय समितिके बैसारसँ पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि होबयधरि सदन चलय नहि देबयके निर्णय केलक अछि ।

बैसारसँ सदन अवरुद्ध सहितक केहनो तरिका अपनाइयो क प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबय बाध्य पारय संसदीय दलके निर्देशन देलगेल  अछि । बैसारकबाद केन्द्रीय सदस्य आनन्दप्रसाद ढुङ्गाना कहलनि जे-पाँचबुँदे सहमति अनुसार प्रधानमन्त्रीके राजीनामा आ शान्ति प्रक्रिया आगु नहि बढयधरि सदन अवरुद्ध करयके निर्णय भेल अछि ।

कांग्रेस मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन करयके माओवादी प्रस्ताव पाँचबुँदे सहमति विपरित आ शान्ति प्रक्रियाके अलमलमे पारयके षड्यन्त्र भेल ठहर केलक अछि ।

बैसारमे सभापति सुशील कोइराला, वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा, संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल सहितक नेतासब पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनके लेल प्रधानमन्त्री स्वयंम गम्भीर नहि भेल आरोप लगौने छलथि ।

केन्द्रीय समितिक बैसारमे सभापति कोइराला हालेमे भेल अपन अमेरिका, युरोप, भारत सहितक देशके भ्रमणबारे जानकारी करौने छलथि ।

चरेश सहित गिरफ्तार


धादिङ, श्रावण १० । बिक्रिके लेल चरश ल जारहल  अवस्थामे नौविसे पुलिस धादिङके नौविसे ८ सँ एक गोटेके चरश सहित गिरफ्तार केलक अछि ।

मकवानपुरसँ त्रिभुवन राजपथके रास्ता भ काठमाडांदिस चरश ल क जारहल अवस्थामे मकवानपुर जिल्ला आग्रा - २ महादेवखर्कके २५ बर्षक थि्रजन थिङ तामाङके ८ किलो चरश सहित गिरफ्तार कएलगेल पुलिस जनौलक अछि । गिरफ्तार भेल थिङके जिल्ला प्रहरी कार्यालय धादिङ आवश्यक अनुसन्धानक लेल रखने धादिङके प्रहरी निरीक्षक प्रेमसागर केसी बतौलनि ।

बिरोधक केहन केहन तरिका ?


रेलवे कार्ययोजना पेश करय लेखा समितिके निर्देशन


काठमाडौ, श्रावण १० । संसदके सार्वजनिक लेखा समिति रेलवे कर्पोरेसनके संचालन आ मर्मत संभार सम्बन्धी कार्ययोजना बना क १५ दिन भितर पेश करय श्रम तथा यातायात, भौतिक योजना तथा निर्माण आ अर्थ मन्त्रालयके निर्देशन देलक अछि ।

अहिसँ आगु श्रम मन्त्रालयके कर्पोरेशनके मर्मत संभार आ संचालनके लेल बेर बेर  देने निर्देशन कार्यान्यवन नहि भेलासँ प्रभावकारी सेवा संचालनके लेल ओ मन्त्रालयके फेउर निर्देशन देलगेल समिति सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि ।

आइ सिंहदरबारमे बैसल बैसारसँ आगामी २६ गते श्रम मन्त्री भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्री, अर्थ मन्त्री तथा सम्वद्ध मन्त्रालयके सचिवके समिति बजाबयके निर्णय समेत केलक अछि । आजुक बिमर्शमे श्रम तथा यातायात  मन्त्री महम्मद स्तियाक राई, श्रम सचिव दिनेशहरी अधिकारी आ कर्पोरेसनके महाप्रबन्धक अनिल गुरुङ सहभागी छलथि ।

अहिना, मन्त्री राईके कर्पोरेसनके मर्मत संभार आ संचारके लेल ४ बेरधरि निर्देशन दैतो कार्यान्यवन नहि भेलाबाद समिति रेलवेके संचालन, लगानी, खर्च, लेखापरिक्षण, वेरुजु सहितक पछिला समयमे देने कार्यान्यवनके विषयमे बिमर्श करय श्रम मन्त्रीके बजौने अछि ।

मंडल हत्यामे संलग्न १ गोटे आरोपीके जिप्रका धनुषा कएलक सार्बजनिक


साउन १०, जनकपुरधाम । धनुषाक झटियाहि ४ मे गोलि चला क हत्या केने आरोपमे आइ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा १ गोटेके सार्बजनिक कएलक अछि।

बिगत साउन ६ गते धनुषा जिल्लाक झटियाहि गाबिस वार्ड नम्बर -४ स्थित श्री मिथिला तिलक नन्द कुमारी कार्कि माबिमे ब्यबस्थापन समिति आ अभिभावक बिचक बैसारक क्रममे भेल बिबादमे गोलि चला क ४५ बर्षक राम ईकबाल मंडलके हत्या केने १ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

एहि घटनामे संलग्न रहल आरोपमे पुलिस धनुषाक मखनाहा वार्ड नम्बर -९ लबटोलि रहनिहार २२ बर्षक सुनिल कुमार यादबके गिरफ्तार कऽ आई पत्रकार सम्मेलन मार्फत सार्बजनिक कएलक अछि।  

गिरफ्तार अभियुक्त यादबक अनुसन्धानके क्रममे यादब १५ बर्षक उमेरमे- गोईत समुहमे प्रबेश कएने ,३-४ बर्ष पहिने खरियानी स्थित एकटा ईन्जिनियरके ८ लाख रुपैया फिरौति लऽ कऽ छोडने सहितक लुटपाट चन्दा असुलि , अपहरण जेहन काजसभमे संलग्न रहल जिप्रका धनुषा जनओलक अछि।

तहिना एहि घटनामे संलग्न रहल दोसर अभियुक्त सुशिल कुमार साह फरार रहल आ ओकर खोज तलास भऽ रहल पुलिस जनओलक अछि।

फरार अभियुक्त साहके घरसँ पुलिस बरामद कएने हाथ हथियार कटुवा पेस्तोल २ थान , १२ बोरके गोलि २४ राउन्ड, ३०३ राईफलके गोलि ३ राउन्ड , एसएलआरके गोलि ४ राउन्ड , ईन्सासके गोलि एक राउन्ड, छोटका पेस्तोलमे लागएबल म्याग्जिन १ थान आ ५ राउन्ड गोलि , खोका १ थान , बम २ थान, थ्रि फिफ्टिनके खोका १ थान आ दबिया २ थान पुलिस पत्रकार सम्मेलनमे सार्बजनिक कएलक अछि।

गिरफ्तार भेल यादबके जान मारक आरोपमे जन्म कैद आ हाथ हथियार खरखजाना अन्तर्गत ३ सँ ५ बर्षधरीके जेल सजाय आ ६० हजारसँ डेढ लाख धरि जरिबाना होबए सकबाक जिप्रका धनुषा जनओलक अछि।

एहिबिच बिद्यालय ब्यबस्थापन समितिक बैसारमे पुलिसके उपस्थितिमे ई घटना भेल कहि प्रहरी सहायक निरीक्षक कामेश्वर पाण्डे, प्रहरी जबान प्रमोद साह आ चन्द्र तमाङके निलम्बन कएलगेल अछि।

मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनके प्रस्ताव एमालेद्वारा अस्विकार


काठमाडौ, श्रावण १० । नेकपा एमाले मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनके माओवादीके प्रस्ताव अस्विकार केलक अछि । एमालेके ओ  निर्णयसँ माओवादी प्रस्ताव केने नयाँ मन्त्रीसबहक सपथ अनिश्चित बनल अछि ।

आइ बैसल स्थायी समितिक बैसारसँ पाँच बुँदे सहमतिके भावना अनुसार राजनीतिक सहमति क क आगु बढयके सहमति केलक अछि । किछुएकाल बैसल बैसारसँ औपचारिक निर्णय नहि केलाबादो मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन तत्काल उपयुक्त नहि हाएत निष्कर्ष निकाल्ने छल । वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनके बातसँ पाँच बुँदे सहमति गडबडाय सकयके भेलासँ ओइदिस थप बिमर्शके  आवश्यकता रहल बतौलनि । ओ सब बात राजनीतिक दलसबबीच सहमति क क प्याकेजमे सम्बोधन करय परत बैसारक जोड रहल संचारकर्मीके बतौलनि ।

माओवादी पार्टी भितरके विवाद मिलाबय किछ पूरानके यथावत रखैत १२ गोटे मन्त्री आ १२ गोटे राज्य मन्त्रीके नयाँ नाम प्रधानमन्त्रीके देलक अछि । संविधानसभाके म्याद बढाबयके समय बितल जेठ १४ गते प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल राजीनामा देबयके सहमति जना चुकलासँ राजीनामा देताह कि मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन करबमे अन्यौलता बढल अछि ।
माओवादीके प्रस्ताव उपर बिमर्श करय एमाले मुख्यालयमे बजाओलगेल स्थायी समितिक बैसारके ल कांग्रेस प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबयके बदला पुनर्गठनके बात एलासँ ओकर बिरोध सुरु केलक अछि । मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनके प्रस्तावके ल कांग्रेस काल्हि संसदक बैसार अवरुद्ध केने छल ।

जिल्ला न्यायाधीशसबहक सरुवा


काठमाडौ, श्रावण १० । प्रधानन्यायाधीश खिलराज रेग्मी न्यायपरिषद्क सिफारिसमे  १ सय २७ जिल्ला न्यायाधीशके सरुवा केलनि अछि ।
प्रधानन्यायाधीश रेग्मीके अध्यक्षतामे बैसल न्यायपरिषदक बैसारसँ न्यायाधीशसबहक सरुवा केलक अछि । परिषद्क सचिव जीवनहरि अधिकारीके अनुसार दुर्गममे कार्यरत न्यायाधीशके सुगम जिल्लामे अतिरिक्त जिल्ला न्यायाधीश बना क पठाओलगेल अछि । सुगममे कार्यरत अतिरिक्त न्यायाधीशके दुर्गममे जिल्ला न्यायाधीश बना क पठाओलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन