Thursday, December 08, 2011

जनकपुर बन्दक कार्यक्रम फिर्ता


२२ अगहन जनकपुरधाम । आन्दोलनरत बिद्यार्थी आ स्थानिय प्रशासन बिच आइ भेल वार्ताक बाद बिद्यार्थिसबद्धारा कएल गेल जनकपुर बन्दक कार्यक्रम फिर्ता लेलक अछि ।

जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे बिद्यार्थी आ प्रशासन बिच भेल सहमतिसँ आन्दोलनक कार्यक्रमसब फिर्ता लेल गेल जनाओलगेल अछि ।

वार्तामे सवारी चालकसब बिबशता पुर्वक पिचैत आएल ऐनके सँशोधन करय लेल सम्बन्धित निकायमे पहल करयके, घटनाक बिषयमे छानबिन समिति गठन कऽ १५ दिन भितर प्रतिवेदन सार्वजनिक कऽ दोषी उपर कारवाही करयके आ मृतक तथा घाइलके बिमा कम्पनीसँ क्षतिपुर्ति उपलब्ध कराबयके सहितक बिभिन्न माँगसब पर सहमति भेलाबाद आन्दोलनक कार्यक्रमसब फिर्ता लेल गेल आन्दोलनक बिद्यार्थी नेता ज्ञानेन्द्र झा जानकारी देलनि अछि ।

छानबिन समितिमे जिल्ला प्रशासन कार्यालयके हरि प्रसाद चन्द्रबँशी, प्रहरी निरिक्षक रमेश देब, नारायण चिमोरिया, स्वबियुके प्रतिनिधि , जानकी मेडिकलके प्रतिनिधि सहितक ९ सदस्यीय रहल नेता झा जानकारी देलनि ।

अहिबिच अखने किछकाल बाद स्थानिय प्रशासन आ बस ब्यबसायी बिच वार्ता होबय जा ऽ रहल बताओलगेल अछि । एम्हर बसमे आगि लगा कऽ क्षति पहुँचौने कहैत बस ब्यबसायी यातायात बन्दक कार्यक्रम यथावत रखने अछि ।


एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटमे नेपाल सेमिफाइनलमे


काठमाडौ, अगहन २२ । नेपाल एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटके सेमिफाइनलमे आइ  प्रवेश केलक अछि । जितसँगै नेपाल सन् २०१२ के मार्चमे होबयबला ट्वान्टी-ट्वान्टी विश्वकप २०१२ के छनोटमे सहभागी होबय सकत ।

भाग्य आ साउदी अरेवियाके उत्कृष्ठ प्रदर्शन नेपालक अन्तिम ४ के यात्रामे महत्वपुर्ण रहल । किर्तिपुर मैदानमे भेल खेलमे साउदी अरेविया युनाइटेड अरव इमिरेट्स विरुद्ध उत्कृष्ट प्रदर्शन कएलाबाद नेपालक अन्तिम ४ के यात्रा संभव भेल अछि । कठिन मानल गेल समूह 'बी' मे  हङकङ आ नेपाल ४ खेलमेसँ तीन टा जितय सकितो हङ्कङ नेटरन रेटके आधारमे शीर्ष स्थानमे रहल अछि तऽ नेपाल दोसर स्थानमे अछि ।

आइ युएई साउदी अरवके ५३ रनसँ पराजित कऽ क हङकङ आ नेपालसँग समान ६ अंक जोडितो नेटरन रेटके आधारमे तेसर स्थानमे रहल । युएई साउदी अरवके ९७ रनसँ कममे समेटने रहैत तऽ नेपाल नेटरन रेटके आधारमे तेसर होइत प्रतियोगितासँ बाहर भऽ जाइत ।

मुदा, युएई देने १७९ रनक लक्ष्य पुरा करय लागल साउदी अरेविया उत्कृष्ठ प्रदर्शन करैत १९ ओभर २ बलमे अलआउट होइत १ सय १५ रन बनौलक । नेटरन रेटमे आगु रहय युएई साउदीविरुद्ध ६५ सँ ७५ रनक अन्तरसँ जितयके छल ।

साउदीके लेल हमाद साहिद महत्वपुर्ण ६३ रनक योगदान देलनि । आव हङकङ आ नेपाल अन्तिम ४ मे अछि । युएई, कुवेत आ साउदी अरेविया प्रतियोगितासँ बहराएल अछि । दोसर खेलमे ओमान माल्दिभ्स उपर ५४ रनसँ जितैत अन्तिम ४ के स्थान पक्का केने अछि ।

अहि जितके सँगै नेपाल सन् २०१२ के मार्चमे होबयबला ट्वान्टी-ट्वान्टी विश्वकप २०१२ के छनोटमे सहभागिता जनाबय पाओत । एसीयाली क्षेत्रक एसोसिएटस राष्ट्रमेसँ अफगानिस्तान बाहेक अन्य तिन राष्ट्र छनोट खेलय पाओत । आव फाइनल प्रवेशके लेल नेपाल समूह '' विजेता अफगानिस्तानके सामना करत । साप  च्याम्पियनसिप फुटबलमे सेहो फाइनल प्रवेशके लेल नेपाल बिरुद्ध अफगानिस्ताने अछि ।

समूह ए मे अफगानिस्तान पहिल आ ओमान दोसर स्थानमे रहल तऽ मलेसया, माल्दिभ्स आ भुटान प्रतियोगितासँ बाहर भऽ गेल ।

हरिप्रिया

जातिय आधारमे संघियता नहि हाएत: सुजता


इलाम, अगहन २२ । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य सुजता कोइराला जातियताके आधारमे संघियता बनाओत तऽ देश टुक्री भऽ जाएत वतौलिह अछि ।
कायकर्ता प्रशिक्षणके लेल सदरमुकाम पहुँचल कोइराला आइ भिन्सर  पत्रकार भेटघाटमे बजैत एखुनक बिकास क्षेत्रके आधारमे प्रान्त निर्धारण करयमे जोड देलिह ।

संघियता निर्धारण केलासँ परिपक्व आ जिम्मेवार ढंगसँ होबयके अडान रखैत नेतृ कोइराला दलगत स्वार्थसँ संघियता निर्धारण करय नहि चाही तर्क रखलिह । नेपाली कांग्रेसक नेतृत्वमे राष्ट्रिय सरकार बनाबयके  धारणा रखैत देशमे कांग्रेसक नेतृत्व आवश्यक रहल कांग्रेस नेतृ कोइरालाक दावी छलनि ।  वर्तमान बावुराम भट्टराई सरकारमे सहभागी नहि हाएब बतबैत कोइराला शान्ति प्रकृयामे सहयोग करय लेल कांग्रेस सरकारमे नहि गेल वतौलिह ।

कांग्रेसक दोसर केन्द्रीय सदस्य रामकुमार चौधरी मधेशवादी दल सत्ता आ पैसाके लेल मरिरहल आरोप लगबैत लोकतान्त्रिक आन्दोलन पाछुके उपलब्धिसबहक विरोधी रहल बतौलनि ।

हम छी पुनम पाण्डे

हम छी पुनम पाण्डे

सभापतिएके कारण विवाद समाधान नहि भेल देउवाक कहब


टीआर शर्मा
२२ अगहन वुटवल । नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पार्टी भितरके विवाद सभापति सुशील कोइरालाके कारण मिलय नहि सकल बतौलनि अछि ।

आइ बुटवलमे प्रेस युनियन केने पत्रकार भेटघाटमे नेता देउवा विवाद मिलाबयके मुख्य दायित्व आ जिम्मेवारी सभापति कोइरालाके होइतो ओ एकलौटी ढंगसँ आगु बढल आरोप लगौलनि । निर्वाचित भातृ संस्थाक नेतृत्वके अधिवेशन करय नहि दऽ विघटन केनाइसँ पार्टीभितर विवाद बढल दोहरबैत अपने हदेधरि नरम होइतो सभापति सहमतिमे आबय नहि चाहने देउवा बतौलनि ।

अपने  फोन नहि उठौने आ बिमर्शमे नहि आएल सभापति कोइरालाक कहब बेकारके आ गलतरहल दावी करैत देउवा सभापति कोइराला अपन १५ महिने कार्यकालमे पार्टीक मुख्य शक्ति रहल ४ टा भातृ संस्था विघटन करय वाहेक आरो किछ काम करय नहि सकल आरोप लगौलनि । सभापति कोइरालाप्रति आक्रोशित रुपमे प्रस्तुत भेल देउवा अपन कार्यकाल ३ बेर बढिबतो लाज नहि मानयके व्यक्ति भातृ संस्थाके म्याद पुरा भेल कहैत विघटन केनाइ तानाशाही चरित्र भेल टिप्पणी कएलनि ।

 सहमतीय सरकारक नेतृत्व अपने करयके बात पार्टीमे निर्णय भऽ चुकल समेत देउवा उल्लेख कएलनि ।

'नहि रहल लडाकुके पैसा लेनाइ अनियमितता अछिः गजुरेल'


काठमाडौ, अगहन २२ माओवादी सचिव सीपी गजुरेल शिविरेमे हि रहल लडाकुक नामसँ तलबभत्ता लेनाइ अनियमितता भेल बतौलनि अछि ओ अहि विषयम तथ्यगत छानबिन करयके माकएलनि

पुनर्वर्गीकरणम २ हजार ६ सय ७१ लडाकु अनुपस्थित भेलाबाद प्रतिपक्षी समेत अहि प्रकरणके कडा रुपम उठबैत आएल अछि । गजुरेल माओवादी उपर रबौ भ्रष्टाचारक आरोप लगबितो अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल कोनो प्रतिक्रिया नहि जनौने कहैत चिन्ता व्यक्त कएलनि

गजुरेल शिविरम रह लडाकुसँ प्रतिव्यक्ति एक हजार रुपैयाँ पार्टी उठौने अपना जानकारी नहि रहल बतौलनि
सचिव गजुरेल बहुपद सिर्जना कऽ क सेहो अध्यक्ष असगरे पार्टी चलौने आरोप लगौने शिविरक चाबी बुझाबयके, कब्जा सम्पत्ति फिर्ता, लडाकु पुनर्वर्गीकरण जेहन बिषयमे हमरासबसँग सल्लाह भेले नहि अछि ओ कहलनि, ‘सव कियो देखनही अछि, पार्टी  अध्यक्ष असगरे चलाबि रहल छथि ।

बिद्यार्थी मृत्युके बिरोधमे आइ दोसर दिन सेहो जनकपुरक जनजिवन प्रभावित


२२ अगहन जनकपुरधाम । बसक ठोक्करसँ विद्यार्थीके मृत्यु भेल घटनाके विरोधमे आइ दोसर दिन सेहो विद्यार्थीसभ जनकपुर बजार बन्द करौने  अछि । आक्रोशित विद्यार्थीसभ आइ भिन्सरे सँ जनकपुरक विभिन्न चौकमे अलगे अलगे रुपमे समुह बनाऽ कऽ प्रदर्शन करके संगहि शिक्षण संस्था , कलकारखना , दोकान   बन्द करौने अछि ।

ट्राफिक चेकपोष्ट मुजेलियास्थित पुलिस चेकजाँच करावय लेल रोक्ने समय बस पाछुसँ ठोक्कर देलाबाद मेडिकलमे अध्ययनरत विद्यार्थी सर्वेशलाभ कर्णके घटनेस्थले पर मृत्यु होवयके संगहि दु गोटे विद्यार्थी घाइल भेल विरोधमे विद्यार्थीसब आन्दोलित भेल अछि ।

घटनाके विरोधमे मेडिकलके विद्यार्थीसभ आइ जनकपुरमे शान्ति जुलुस निकालैत नगरक परिक्रमा करैत बिभिन्न चौक सब पर टायर बारने छल । आन्दोलनरत विद्यार्थीसभ ६ सुत्रिय माग राखि कँ काल्हिये भिन्सर सँ प्रदर्शन कँ रहल अछि । विद्यार्थीसभ हत्याराके उन्मुक्ति देवयबला कानुनके खारेजी , रोकलगेल मोटरसाइकलमे ठोक्कर देवयबला चालकके कडा कारवाही , शान्तिपूर्ण जुलुस उपर पुलिसद्धारा काएलगेल लाठठीचार्ज तथा अश्रु ग्याँस प्रहार करयबला सुरक्षाकर्मी उपर कारवाही , कलेजके विद्यार्थीके बाहर निकालि कऽ मरयजकाँ पिटपाट करयवबला पुलिस उपर कारवाही तथा मृतक छात्र सर्वेशलाभ कर्णके परिवारके क्षतिपूर्ति एवम घाइल छात्रके इलाज सरकारके करयके माँग रखने अछि ।

अहिविच, सुरक्षाक माँग करैत जराओलगेल बसके क्षतिपूर्ति आ पुलिसके विरोधमे जनकपुर अंचल बस व्यवसायी संघ जनकपुर सेहो अनिश्चितकालिन यातायात बन्दक आह्वान केने अछि । जनकपुरक मुजेलियास्थित इलाका प्रहरी कार्यालयके आगुमे विद्यार्थीके ठोक्कर देवयबला ना २ ख ३४०७  आ ज १ ख ६०५ नम्बरक बसके विद्यार्थीसभ आगि लगबैत तोडफोड करितो पुलिस प्रशासन मौन बैसल बस व्यवसायीसभहक आरोप अछि ।

इलाका प्रहरी कार्यालयके आगु विद्यार्थीसभ बसमे आगि लगबितो सुरक्षा देवय नइ सकल आरोप लगवैत बस व्यवसायीसभ ११ सदस्यीय सदस्यीय संघर्ष समिती सेहो गठन केने अछि ।

तहिना बस व्यवसायीसभ जराओलगेल बसके क्षतिपूर्ति , पुलिसके नियन्त्रणमे गाडी जराओलगेलासँ प्रहरी उपरिक्षक हरिबहादुर पाल , जिल्ला प्रहरी कार्याल मुददा शाखाके प्रहरी निरिक्षक अभय जोशी , जिल्ला ट्रफिक कार्यालयके निरिक्षक नारायण चिमोरिया तथा मुजेलिया ईलाका प्रहरीके स.इ इन्चार्ज सुरेश ठाकुरके निलम्बन करके माँग करैत गृह मन्त्रालयमे पत्र सेहो पठौने जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

अपनासभके माँग पुरा नइ भेला पर जनकपुर अंचल भरि बस सेवा अनिश्चितकालधरि बन्द करयके आ बादमे  देशभरिके बससभ बन्द करयके निर्णय केने विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।


अहिबिच अखन बिद्यार्थी आ स्थानिय प्रशासन बिच वार्ता होबय जाऽ रहल अछि आ अहि वार्ताक बाद प्रशासन आ बस ब्यबसायी सँघ बिच वार्ता हाएत बताओल गेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन