Wednesday, September 21, 2011

‘भट्टराई सिंहदरवारमे फोटो लटकाबय बाहेक आरुो किछ नहि करय सकत


४ आसिन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक नेता प्रदिप ज्ञावली प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सिंहदरवारमे फोटो लटकाबय बाहेक आरो किछ काज करय नहि सकत ठोकुवा कएलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे ज्ञावली भट्टराई अपन पार्टीके अध्यक्ष झलनाथ खनाल जका सिंहदरवारमे फोटो लटकाबय बाहेक आरो किछ करय नहि सकत बतौलनि । भट्टराईके ब्यत्तिगत प्रयत्नमात्र शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय नहि सकत कहैत ओ समस्या समाधानसँ बेसी ब्यक्तिके नायक बनाबय दिश सरकार उन्मुख रहल  बतौलनि ।

ओ सरकार सस्ता लोपि्रयताके सस्ता प्रचारात्मक अभियानमे रहल कहैत सस्ता गाडि चढि कऽ शान्ति प्रक्रिया आगु बढ्य नहि सकत ठोकुवा कएलनि ।

सहमति नहि हाएत तऽ सरकार एकलौटी रुपमे संख्या तोकतः वोगटी


४ आसिन, काठमाडौं । उर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी काग्रेस आ एमाले सहमतिमे नहि आओत तऽ सरकार एकलौटी रुपमे संख्या तोकि कऽ लडाकू बर्गिकरण आगु बढाओत  बतौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे माओवादी सचिव समेत रहल उर्जामन्त्री बोगटी कहलनि जे-शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माण सहमतिमे होबयके चाही तैयो बाध्यतामे सरकारले एकतर्फी रुपमे संख्या तोकियो कऽ बर्गिकरण प्रक्रिया सुरु करत । अहिसँ समायोजनमे सबके दबाव सृजना करत ।

माओवादीके कारण शान्ति प्रक्रिया नहि रुकत दावी करैत ओ कांग्रेस आ एमाले अवरोध कऽ रहल आरोप लगौलनि । ओ कहलनि कांग्रेस आ एमाले शान्ति नहि चाहि रहल अछि । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वमे शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबय जका अपनासब सरकारमे आएल दावी करैत माओवादी ओइमे नरम रहल बतौलनि ।

४ बुँदे सहमतिके जगमे सरकार निर्माण भेल कहैत ओ प्रतिपक्षी दलसबहक अनुसार सम्झौता खारेज नहि हाएत बतौलनि । सहमति राष्ट्रघाती अछि या नहि इ भविष्यके परिणाम देखाओत हुनक कहब छलनि ।

कांग्रेस नेता एवम सेना समायोजन विशेष समितिक सदस्य डा. रामशरण महत शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्य सहमतिमे मात्र होबय सकत कहैत माओवादीके कहल जका एकतर्फी रुपमे शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय कहने आकासके फल खाए जेहन रहल टिप्पणी कएलनि ।

लडाकू बर्गिकरण सुरु करय आगु समायोजनके मापदण्ड, दर्जा निर्धारण, जिम्मेवारी आ पुनःस्थापना प्याकेजमे सहमति होबय परत कहैत ओ एकलौटी रुपमे रिगु्रपिङ करब कहनाइ जनताके ठकयके काज मात्रे भेल दावी कएलनि ।

महोतरीमे गाँजा खेती नष्ट


आसिन ४ , महोतरी । जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोतरी आइ कोल्हुवा बगेवामे गाँजा खेती नष्ट केलक अछि ।

गाँजाखेती नष्ट करयके अभियान अन्तर्गत कोल्हुवा बगेबा ९ मे रहल ५ कटठाक गाँजा खेती पुलिस आइ नष्ट केलक अछि । महोतरीक प्रहरी नायब उपरिक्षक केदार खनालक अनुसार २ कटठामे गाँजा खेती करय बनाओल गेल ब्याड समेत नष्ट कएल गेल अछि । अहिना अनकार ७ मे रहल १ कटठाके गाँजा सेहो नष्ट कएल गेल खनाल जानकारी देलनि अछि ।

महोतरीसँ बार्षिक २० करोडसँ बेसीके गाँजा भारत निर्यात होइत आबिरहल पुलिसक अनुमान अछि ।
गाँजा खेती आ किनबेच अपराध मानितो महोतरी जिल्लामे पुलिसक सहयोगमे प्रत्येक बर्ष गाँजा खेती भऽ रहल गाँजा ब्यबसायीसबहक आरोप लगैत आबिरहल अछि ।

भ्रातृ संगठन विघटनके देउवा पक्ष कडा प्रतिवाद करत


४ आसिन, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसक देउवा पक्ष भ्रातृ संगठन विघटन करयके निर्णयके कडा प्रतिवाद करय लागल अछि । वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधरके आइ बुढानिलकण्ठमे भेल जमघटसँ भ्रातृ संगठन विघटन करयके बहुमतके निर्णय अप्रजातान्त्रिक, पार्टी नीति आ दु पार्टी एकताके समयमे भेल सहमति विपरित भेल ठहर केलक अछि ।

जमघटसँ भ्रातृ संगठन विघटन करयके निर्णय फिर्ताके लेल नेतृत्वके दबाव देबयके निर्णय केने केन्द्रीय सदस्य मीन विश्वकर्मा जानकारी देलनि अछि ।

 केन्द्रीय समितिक बैसार बहिस्कार करयके कदम ठिक रहल कहैत जमघट बैसार बहिस्कारक बाद निर्णय कराबय पार्टी पद्धति विपरित रहल  ठहर केलक अछि । कौल्हुका केन्द्रीय समितिक बैसारमे सभापति सुशील कोइराला तरुण दल सहितक ४ टा भ्रातृ संगठन विघटनके निर्णय करयके तयारी केलाबाद देउवा पक्ष बैसार बहिस्कार केने छल । देउवा पक्षक बहिस्कारक बाद बहुमतसँ भ्रातृ संगठन विघटनके निर्णय केने छल ।

 देउवा पक्षक जमघट भ्रातृ संगठन विघटन विरुद्ध केन्द्रीय सदस्य एवं तरुण दलक निवर्तमान अध्यक्ष महेन्द्र यादव सहितक नेतासबहक आमरण अनसनप्रति ऐक्यवद्धता जनौलक अछि ।

जमघटमे सहभागी नेतासब पार्टी सभापति एकलौटी रुपमे आगु बढल कहैत सहि कऽ नहि रहब बतौलनि अछि । थप रणनीति तय करय काल्हि केन्द्रीय सदस्य आ सभासदके संयुक्त भेला बजाओल गेल अछि ।

प्रधानमन्त्रीसँ राष्ट्रसंघीय पोषणसम्बन्धी बैसारमे सम्बोधन


आसिन ४ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सयुक्त राष्ट्र संघक पोषण सम्बन्धी उच्चस्तरीय बैसारके सम्बोधन केलनि अछि । अपन पहिल उच्चस्तरीय सम्बोधनमे प्रधानमन्त्री भट्टराई नेपाल पछिला एक दशकमे उल्लेख्यरुपमे बाल मृत्युदर घटौने प्रसंग उल्लेख केने छलथि ।

राष्ट्र संघक महासचिव वान की मुन संचालन केने ओ उच्चस्तरीय बैसारमे प्रधानमन्त्री भट्टराई सरकार बालबालिका आ महिलाके पोषणके अवस्था सम्बन्धी संवेनशील रहल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री भट्टराई पोषण सम्बन्धी कार्यक्रमसबमे राष्ट्र संघीय निकाय लगायत अन्य दातासबहक निरन्तर सहयोगके प्रशंसा केने छलथि ।

वातावरणीय परिर्वतनके पक्षक प्रसंगके उल्लेख करैत नेपालक प्रचुर मात्राके पानि, दक्षिण एसिया क्षेत्रके महत्वपुर्ण रहल बतबैत ओइ के संरक्षणक लेल अन्तर्राष्ट्रियस्तरके आवश्यक पहलक कदमे जरुरी रहल प्रधानमन्त्रीके कहब छलन्हि ।
तहिना, राष्ट्र संघक महासचिव मुन संन्चालन कएने 'हरेक महिला, हरेक बच्चा' नामक एक उच्चस्तरीय बैसारके सेहो प्रधानमन्त्री सम्बोधन कएलन्हि ।

दसैं स पहिनेही विषेश राहतके कार्यक्रम आनल जाएतः प्रचण्ड


आसिन ४ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल द्वन्द्वकालमे राज्य आ गैर राज्यपक्षस मारलगेल परिवारक लेल दसैं स पहिनेही विषेश राहतके कार्यक्रम आनल जाएत बतौलन्हि अछि ।
 सरकारक नेतृत्वकर्तादल माओवादी अध्यक्ष दाहाल पार्टी सेहो अइबारे निर्णय कचुकल कहैत कहैत दसैं स पहिन्हि द्वन्द्वकालके पीडितसभके सम्बोधन करैत विशेष कार्यक्रम आनल जाएत बतौलन्हि अछि ।
 अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति दिवसके क्रममे ओरेक नेपाल आइ आयोजन कएने कार्यक्रममे दाहाल विशेष राहत कार्यक्रम प्याकेजके लेल सरकारके जल्दिए संयन्त्र निर्माण करय आग्रह कएल जाएत बतौलनि ।

 शान्ति सम्झौतामे उल्लेख भेल  बमोजिम  सत्य निरुपण तथा बेपता आयोग किछ दिनमे गठन हाएत बतौलनि । महिला उपर होइत आएल हिंसाके घटना नियन्त्रणके लेल स्थानीय स्तरमे समेत बढाबय सरकारके ओ आग्रह केलनि ।

 अध्यक्ष दाहाल आबके मन्त्री परिषद् विस्तारमे ३३ प्रतिशत महिला प्रतिनिधित्व पहुँचाबयके समेत प्रतिबद्धता जनौलनि । अहिना कार्यक्रममे एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल राज्यके हरेक अंगमे महिलाके  ५० प्रतिशत अवसर देबयके पक्षमे अपन पार्टी रहल दावी केलनि । मधेसी जनअधिकार फोरमक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव ३३ प्रतिशत महिला प्रतिनिधित्वके बात उठितो  १० प्रतिशत महिलाके अवसर भेटय नहि सकल बतौलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन