Sunday, February 20, 2011

नेपालके लगातार तेसर जित

८ फागुन, काठमाडौं । कुबेतमे जारी एसीसी महिला ट्वान्टी-ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगितामे नेपाल लगातार तेशर बेर जितलक अछि । जितसँगै नेपाल सेमिफाइलनमे पहुँचयके प्रायः निश्तिच अछि ।
समुह चरणके तीनु खेल जित्ने नेपाल ६ अंक सहित समुह बी के शीर्ष स्थानमे अछि । समुह चरणके अपन तेशर जित हात पारयके क्रममे नेपाल आइ कुबेतके ४७ रनस पराजित केलक अछि ।
नेपाल प्रस्तुत केने १ सय ४ रनक लक्ष्य पुरा करय कुबेत निर्धारित २० ओभरमे ९ विकेटक क्षतिमे ५६ रन मात्रे बनाबय सकल । कुबेतके सस्तैमे समटयके क्रममे प्लेयर आफ दि म्याच करुणा भण्डारी १० रन दक ४ विकेट लेलनि ।
अहिस आगु टस हारिकऽ ब्याटिङ केने नेपाल २० ओभरमे ४ विकेटक नोक्सानमे १ सय ३ रन बनौने छल । नेपालक लेल सरिता मगर २२ आ रश्मी शर्मा २० रन बनौलिह । नेपाल समुह चरणके अपन अन्तिम खेल काल्हि मलेसियासँग खेलत ।

सरकार जल्दिए पुर्णता पाओत – प्रधानमन्त्री खनाल

८ फागुन, पोखरा । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सरकार जल्दिए पुर्णता पाओत विश्वास व्यक्त कएलनि अछि ।
कतेक दिन भितर सरकार पुर्णता पाओत बिषयमे खनाल बताब नै चाहलथि । पोखरा विश्वविद्यालयके आठम दीक्षान्त समारोहमे सहभागी होबय आइ पोखरा पहुँचल खनाल पत्रकारसबसँग बातचित करैत बैज्ञानिक ढंगस मन्त्रालय बाँटफाट कएल जाएत बताएलनि ।
गृह मन्त्रालय माओवादीके देब कि नै देब पत्रकारक जिज्ञासमे ओ अखन देबय आ लेबयके अवस्था नै रहल बतबैत ओइके सही समाधान ताकल जाएत बतोलनि । प्रधानमन्त्री खनाल एकटा मन्त्रालयमे ओझराएके अवस्था नै रहल बतबैत शान्ति आ संविधानप्रति सबके गम्भीर होबय परत बतोलनि ।
ओ शान्ति आ संविधानके लेल राष्ट्रिय सहमति अनिवार्य भेल बतोलनि । प्रधानमन्त्री खनाल शान्ति आ संविधानके प्राथमिकता द क काम करबाक प्रतिवद्धता समेत व्यक्त कएलनि ।

भट्टराई आश्रममे माटिके धस्नामे परि तीन मजदुरके मृत्यु

काठमाडौ, फागुन ८ - पूर्व प्रधानमन्त्री कृष्णप्रसाद भट्टराईके ललितपुर बाडेगाउँस्थित निवासमे मरम्मतके काम क रहल तीन गोटे मजदुरके माटिके धस्नामे परि मृत्यु भेल अछि त २ गोटे गम्भीर घाइल भेल अछि । ओकरसबहक पाटन अस्पतालमे इलाज भरहल अछि ।
ललितपुरके प्रहरी उपरीक्षक बिक्रमसिंह थापा देबाल ठार करयकाल मजदुरसब माटिके धस्नामे परल बतोलनि । दु गोटेके जिवितै उद्धार कएलगेल ओ बतोलनि । आठ फीट गहिरमे देबालके जग बैसाबय काल उपरस खसल धस्नास मजदुरसब पिचाएल छल । पुलिसक अनुसार सन्दिप घलाल, भालु लामा आ कान्छा तामाङके मृत्यु भेल अछि । घटनाबारे थप अनुसन्धान भरहल थापा बतोलनि ।

प्रतिपक्षमे बसितो सरकार खसय नै देब - दाहाल

विराटनगर, फागुन ८ - माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल अपनासब सरकारमे जाए नै जाएके एमालके हातमे रहल वतोलनि अछि । ओ प्रतिपक्षमे बसियोक सरकारके खसय नै देब बतोलनि ।
'जतेक जल्दी एमाले भितरके बात मिलत ओतबे जल्दी हमसब सरकारमे जाएब ओ कहलनि । आइ सञ्चारकर्मीसबसंग बातचित करैत दहाल जँ एमाले भितरके बात नै मिलत तैयो सरकारके कोनो हालतमे खसय नै देब वतोलनि । हमसब प्रतिपक्षमे वसियोक हाएत त अहि सरकारके टिकाएब ओ कहलथि ।
ओ सरकारमे जाहिके लेल सात बुँदे सहमति केलास ओहिके पालना तत्काल होबय लेल जोड देलनि । शान्ति नै चाहयबला आ जनताके पक्षमे संविधान नै लिखाए चाह बलासब सहमतिके विरोध केने हुनक कहब छलनि ।

कोचीला, किराँत आ लिम्बुवान राज्य समिति सचिवालय सदस्य कार्यकर्ता प्रशिक्षण कार्यक्रमक लेल अध्यक्ष दाहालसँगै उपाध्यक्षद्वय मोहन वैद्य आ बाबुराम भट्टराई समेत ओहिठाम पहुँचल छथि । पालुङटारमे प्रस्तुत अध्यक्ष दाहालक दस्तावेज आ उपाध्यक्ष भट्टराईके फरक मतके दस्तावेजके विषयमे प्रशिक्षण कार्यक्रममे बिमर्श नै काएल जाएत कहैत अध्यक्ष दाहाल पार्टीके केना क आगु बढाओल जाए विषयमे मात्र प्रशिक्षण देब बतोलनि ।

बस आ ट्रक ठोकराएलास ७ गोटे घाइल

८ फागुन, धादिङ । पृथ्वी राजमार्ग अन्तर्गत धादिङके पिडा गाविस वाड नम्बर २ घाट बेसीमे बस आ ट्रक एक आपसमे ठोकराएलास सात गोटे घाइल भेल अछि ।
वीरगन्जस काठमाडौं जाँरहल ना ३ ख ३३२७ नम्बरक बस वायह दिसस काठमाडौं जारहल ना ३ ख १८८४ नम्बरक ट्रकके बितलराती पाछुस ठक्कर देँलाबाद बसक यात्रु घाइल भेल अछि ।
घाइलसबके इलाजक लेल काठमाडौं पठाओलगेल इलाका प्रहरी कार्यालय गजुरीके निरीक्षक दलबहादुर बोगटी जानकारी देलनि अछि ।

'काँग्रेस जिम्मेवार प्रतिपक्षके भूमिका निर्वाह करत '

जनकपुर, फाल्गुन ८ - नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल सात बुँदे सहमति खारेज हाएत तैयो काँग्रेस खनाल नेतृत्वक सरकारमे नै जाएत बतोलनि अछि ।माओवादी आ एमाले बीच भेल सात बुँदे समझौताके कारण राजनीतिक दलसब बीचके दुरी आरो बढल दावी करैत ओ समझौता खारेज नै होबयधरि सरकारसंग सहकार्य सेहो काएल नै जा सकैय बतोलनि ।
प्रेस युनियन धनुषा आई भिन्सर जनकपुरमे आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत नेता पौडेल 'काँग्रेस सरकारमे नै जाएत मुदा संविधान आ शान्ति प्रकृयाके मामिलामे जिम्मेवार प्रतिपक्षके रुपमे रचनात्मक सहयोग करत बतोलनि ।'
'सात बुंदे समझौता कपटपूर्ण अछि । इ लोकतन्त्रवादी शक्तिसबके निषेध करबाक मनसायस प्रेरित अछि । एकर खारेजी नै होबयधरि सहकार्यके वातावरण सेहो बनय नै सकत ओ बतोलनि ।
अपन मन्त्व्यके अधिकांश समय माओवादी गतिविधी आ सात बुँदे समझौताके विरोधमै खर्चे केने पौडेल निर्धारित समयमे संविधान बनाबिही परत दावी केलनि ।

रजिष्ट्रारके पिटयबला जापानी नागरिक सहित ६ गोटे गिरफ्तार

८ फागुन, काठमाडौं । पुनरावेदन अदालत ललितपुरके रजिस्ट्रार कृष्ण गिरिके हातपात केने अभियोगमे छ गोटे गिरफ्तार भेल अछि । गिरफतार होबयबलामे तीन गोटे जापानी नागरिक सेहो अछि ।
काठमाडौँ महानगरपालिका-५ बालुवाटारमे नेपाली आ जापानी नागरिकके संयुक्त प्रयासमे स्थापना भेल नाइस्यु नामक कम्पनीके नाममे रहल जमिन जापानी नागरिक बेच क जापान जाए चाहने विषयमे नेपाली सदस्य पुनरावेदन अदालतमे रिट द बिक्री रोक्का करौने छल ।
रजिस्ट्रार गिरि नेपाली संस्थापकसँग मिल क अपनासबहक स्वामित्वमे रहल जमिन बेचय नै देने आरोप लगबैत किछ गैरसंस्थापक नेपालीके ल क जापानी नागरिक बितल शुक्रदिन पिटपाट केने छल ।

न्यूजीलैंड आ केन्याके १० बिकेटस हरौलक

८ फागुन, चेन्नई । भारतक चेन्नईमें विश्वकपके ग्रुप 'ए' में आइ न्यूजीलैंड आ केन्या बीच भेल दोसर खेलमे केन्या टॉस जीतकऽ पहिने ब्याटिड करैत 23.5 ओवरमें 69 रन मात्र बनाबऽ सकल । न्यूजीलैंड जीतयके लेल मात्र 7.1 ओवरमें बिना कोनो विकेटक नोक्सानमे जित हासिल केने अछि ।
केन्या टिमक आर. पटेल आ सेरेन वाटर्स 16-16 रनक योगदान देलनि त न्यूजीलैंड टिमक हमीश बेनेट 16 रन दकऽ 4 आ टिम साउदी 13 रन दकऽ 3 विकेट लेलनि । सबस बेसी जैकब ओरम 2.3 ओवरके गेंदमे 2 रन दकऽ तीन विकेट लेलनि ।
केन्याके पारीके शुरुआत अलेक्स ओबांडा आ सेरेन वाटर्स केने छलथि ।

लीबियामें प्रदर्शनकारि उपर भीषण फ़ाय़रिंग, बहराइनमें प्रदर्शन

८ फागुन, लीबिया । लीबियामें सैनासब बेनग़ाज़ी शहरमें सरकार विरोधी प्रदर्शनकारि उपर मशीन-गन आ अत्याधुनिक हथियारस फ़ायरिंग केलक अछि । अहि घटनामें बच्चा समेत बहुत गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
मिस्र आ ट्यूनिशियामें भीषण विरोध प्रदर्शन आ सत्ता परिवर्तनके बाद, बितल किछ दिनमे लीबिया, बहराइन आ यमनमें सेहो सरकार विरोधी प्रदर्शन भरहल अछि ।.
बहराइनमें हज़ारों प्रदर्शनकारी फेउरस राजधानी मानामाके पर्ल चौबटिया प कब्ज़ा केलक अछि.।
ब्रिटनी विदेश मंत्री विलियम हेग लीबियाके बेनग़ाज़ी शहरमें फ़ायरिंग आ हिंसाके सामान्य बतोलनि अछि आ टर्की लीबियामें भरहल घटनाके 'भयानक' बतोलक अछि ।.
लीबियामें बितल करिब 41 सालस कर्नल गद्दाफ़ी सत्तामें छथि ।. मिस्रमें ११ फ़रवरीके सत्ता परिवर्तनके बादस लीबियामें लोकतंत्रके समर्थनमें प्रदर्शन ज़ोर पकड़ने अछि ।
लीबियाके राजधानी त्रिपोलीस करिब 1000 किलोमीटर दूर स्थित बेनगाज़ीमें अफ़रा-तफ़री आ अराजकताके माहौल अछि ।
सैनासब घरक छतस प्रदर्शनकारी उपर गोली चलारहल बताओलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन