Wednesday, September 28, 2011

माओवादीक केन्द्रिय समितिक बैसार स्थगित


११ आसिन, काठमाण्डौ । कन्टेनरके चाबी बुमmौलाबाद उत्पन्न बिबाद समाधानक लेल बजाओल गेल एकिकृत नेकपा माओवादीक बैसार फेउर स्थगित भेल अछि ।

दशमी , दियावाती सहितक पावनिसब परल आ शिर्ष नेतासबबिच ठोस सहमति नहि भेलासँ आसिन १३ गतेके लेल बजाओल गेल केन्द्रिय समितिक बैसार अनिश्चितकालके लेल स्थगित भेल अछि । माओवादी प्रवक्ता दिनानाथ शर्मा शिर्ष नेतासबके सहमतिमे बैसार स्थगित कएल गेल जानकारी देलनि । हुनका अनुसार दियाबातीके बाद कहलगेल बैसारके मिति शिर्ष नेतासबबिच बिमर्श क पाछु तय कएल जाएत । अहिस आगु आसिन १ गतेके लेल बजाओल गेल बैसार प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भटराइके अमेरिका भ्रमणके कारण १३ गतेके लेल घुसकाओल गेल छल ।

माटि के धस्नामे परि १ महिलाके मृत्यु


११ आसिन, उदयपुर । उदयपुरके त्रियुगा नगरपालिका १३ के एक महिलाके माटिके धस्नामे परि आइ भिन्सर मृत्यु भेल अछि ।
घर निपय लेल माटि लेबय गेल समय स्थानिय ४५ बर्षक शारदा भटराइके धस्नामे परि मृत्यु भेल उदयपुर पुलिस जनौलक अछि । हुनकासँगे ३ गोटे दशैमे घर निपय लेल माटि लेबय गेल समय एकाएक माटिके धस्नामे परि मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय उदयपुरके डिएसपी नरेन्द्र उप्रेती जानकारी देलनि ।हुनकासँगे गेल आरो दु गोटे सामान्य घाइल भेल अछि । दुनुके स्थानिय स्वास्थ्य सँस्थामे इलाज भ रहल अछि ।

रक्षामन्त्री भण्डारी कहने कहबके गैर जिम्मेवार पुर्ण अभिब्यक्तिके सँज्ञा ः कोइराला


११ आसिन, काठमाण्डौ । नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशिल कोइराला मधेशक  जिल्ला अलग होबय सकत कहि रक्षामन्त्री शरतसिँह भण्डारी कहने कहबके गैर जिम्मेवार पुर्ण अभिब्यक्तिके सँज्ञा देलनि अछि ।
आई अपने निवासमे पत्रकारसबसँ सँक्षिप्त बातचित करैत कोइराला देशके राजनितिक सँक्रमणकाल रहल अवस्थामे जिम्मेवारीके साथ नहि बजलासँ अनेक अर्थ लागत कहैत रक्षामन्त्रीके कहब गैर जिम्मेवार भेल बतौलनि ।

हिन्दुसबहक महान पावनि दशमी आईसँ शुरु


११ आसिन , जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आईसँ बिधिबत रुपमे शुरुवात भेल अछि ।
दशमीक आइ पहिल दिन कलस्थापना अर्थात कलशके स्थापना कएल गेल अछि । कलश स्थापनाके लेल आई भिन्सर १० बाजि क सताईस मिनेट शुभ रहल नेपाल पञ्चाड निर्णायक समिति जनौलक अछि । दशमीक आइ पहिल दिन माता शैलपुत्रीके पुजा कएल गेल अछि । पर्वतके राजा हिमालयके पुत्रीक रुपमे उत्पन्न भेलासँ शैलपुत्रीक नामसँ चिन्हल जाति अछि । राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

आजुक दिन उच्चपिठ, शक्तिपिठ तथा दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो बालु पर जौ छिट क कलश स्थापना केलनि अछि । आइ छिटल जौ सँ जन्मल जयन्तीके बिजया दशमी दिन आशिर्बाद स्वरुप माथ पर लगाओल जाति अछि ।

अहि अवसरमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कउल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 

अहि अबसरके प्रत्येक साल जका अहुबेर जनकपुरक गोपाल धर्मशालामे सस्ता बजार लागल अछि । कुल ७३ टा स्टल राखलगेल सस्ता बजारमे दैनिक उपभोग्यके समानसब सस्ता दर रेटमे उपलब्ध हाएत आयोजक जनौलक अछि ।

बैध समुह रक्षामन्त्रीक राजीनामा मँगैत सडकमे उतरत


११ आसिन , काठमाण्डौ । एकिकृत नेकपा माओवादीक मोहन बैध समुह रक्षा मन्त्री शरतसिँह भण्डारीके राजीनामाके माँग करैत सडक आन्दोलनमे उतरय लागल अछि ।
ओ समुह निकट भातृ तथा भगिनी सँगठनसबहक आइ भिन्सर ललितपुरक कुपण्डोलमे बैसल सँयुक्त बैसारसँ एहन निर्णय केलक अछि । बैध निकट दलित सँगठनके अध्यक्ष तिलक परियार देशके तोरयके रक्षामन्त्रीक अभिब्यक्ति बिरुद्ध आइ बेरियामे ४ बजे जावलाखेलमे जम्मा भ जुलुस सहित शान्ति बाटिकामे पहुँच क कोणसभा करयके निर्णय भेल बतौलनि । परियार रक्षामन्त्रीक अभिब्यक्ति राष्ट्रघाती भेल निष्कर्ष निकालैत बैसारसँ तत्काल हुनका बर्खास्त करय प्रधानमन्त्री बाबुराम भटराई समक्ष माँग करयके निर्णय सेहो भेल बतौलनि । परियार मन्त्री भण्डारीक अभिब्यक्ति कोनो नयाँ नहि भ ४ बुन्दे सहमति अनुसारे आएल दाबी कएलनि ।

राजधानीमे सोमदिन आयोजित एक कार्यक्रममे मन्त्री भण्डारी काँग्रेस एमाले आ माओवादीके बैध समुह ४ बुन्देके राष्ट्रघाती कहलासँ ओकर खण्डन करैत मधेशक २२ जिल्ला अलग होबयके निर्णय करत त कुन ऐन आ कुन कानुन देशके बचाएत कहि बिबादस्पद अभिब्यक्ति देने छलथि ।
‘‘‘‘

facebook Page Like

  • मनोरँजन