Monday, March 14, 2011

खुलि क हंसु, अल्सर भगाउ - बिज्ञान


जँ आँहाके अल्सरके बेमारी अछि त , ओइस बचय लेल खुलि कऽ हंसल करु । इ हम नै कहिरहल छी बल्कि इ कहैत अछि लीड्स यूनिवर्सिटीके एक टीम , जे आधुनिक प्रबिधिके बदला निक इलाज आ हंसी मिल कऽ पैरके अल्सरस मुक्ति दिया सकैत अछि ।
पैरके अल्सरके इलाजके लेल ज़्यादातर अस्पताल आ चिकित्सा सेवा अल्ट्रासाउंडक प्रयोग करैत अछि ।
मुदा बितल पांच वर्षमें ३३७ रोगी प कएलगेल अध्ययनस इ पता चलल जे इ तरीकाके साथ साथ रोगीके हँसनाइ सेहो आबश्यक अछि ।
लीड्सके शोधकर्ता प्रोफेसर आंद्रे नेल्सनके कहब छन्हि जे, “ऐहन रोगीके इलाजके लेल ओकर हृदयस पैरधरि खूनके प्रवाहके बढ़ाबयके ज़रुरत होइत अछि । ओइके निक तरीका अछि जे शरीरमें दबाव बढ़ाबयके लेल पट्टी बांन्हके, व्यायाम आ रोगीके निक खाएके सलाह देनाइ । केउ माने या नै मुदा खुलि क हंसनाइ सेहो अल्सरके रोगीके लेल बहुत मददगार साबित भ सकैत अछि कियाक त हंसलास डायफ्रॉम हरकतमें अबैत अछि जाहिस पूरा शरीरमें रक्तके प्रवाह बढ़ैत अछि ।”

आनन्दीदेवी सिंहक निधन


सप्तरी फागुन ३० । नेपाल सद्भावना पार्टीके नेतृ आनन्दीदेवी िसंहक आइ निधन भेल अछि । विभिन्न रोगस ग्रसित ८१ वर्षक िसंहके आइ सप्तरी सेवा आश्रममे निधन भेल छन्हि ।

२०६२ । ६३ के जनआन्दोलनमे नेतृत्व केने सिंह पछिला समयमे पार्टी्र विवादके कारण चर्चामे छलिह । आनन्दीदेवी नेपाल सद्भावना पार्टी्रक संस्थापक स्वर्गीय गजेन्द्रनारायण िसंहक धर्मपत्नी छलिह ।

बिहार: मुठभेड़में ६ नक्सलवादीके मृत्यु


एजेन्सी, फागुन ३० । बिहारके मोतिहारी ज़िलाके दरमाहा गाँवमें सुरक्षाकर्मीके सँग भेल मुठभेड़में ६ नक्सलवादीके मृत्यु भेल अछि ।
काल्हि साँझ ४ बजेस शुरू भेल इ भिडन्त आइ भिन्सर ४ बजेधरि चलल छल । भिडन्तक क्रममे ६ नक्सलवादीके शव बरामद भेल पुलिस जनोलक अछि । घटनास्थलस राइफल आ विस्फोटक सेहो बरामद भेल अछि। अहि भिडन्तमे बिहारक मिलिट्री पुलिस, सीआरपीएफ़ आ एसटीएफ़के जबानसब संयुक्त रूपस रातिभरि लडने छल ।
राज्य पुलिस मुख्यालयके प्रवक्ता राजवर्धन शर्मा बतौलनि जे शुरुआतमें नक्सलवादीके गाँउवलास भिड़ंत भेल छल ।
केंद्रीय गृह मंत्रालय संसदमें पेश केने रिपोर्टके अनुसार 2010 में माओवादी हिंसास संबंधित कुल एक हजार ९ सय १८ घटना भेल छल जाहिमे २६८ सुरक्षाकर्मीके मृत्यु भेल छल त ओइमे १७५ माओवादी छापामारके सेहो मृत्यु भेल छल ।
मंत्रालयके इ तथ्याङ सभ नक्सल प्रभावित राज्यके मिला कऽ अछि मुदा छत्तीसगढ़ राज्य, माओवादी आ सुरक्षाकर्मीके बीच संघर्षक केंद्रके रुपमे अछि ।

परराष्ट्रमार्फत मात्रे प्रधानमन्त्रीस भेटयके ब्यबस्था


काठमाडौ, फागुन ३० । विदेशी पदाधिकारीके प्रधानमन्त्रीसँग भेटघाट करयके रहत त परराष्ट्र मन्त्रालयके अनिवार्य जानकारी करा कऽ प्रोटोकल आ समय मिलाबयके नियमके कडाइके सँग लागु कएल जाएत ।
'अपन इच्छा अनुसार प्रधानमन्त्रीस भेट करय नै देबयके नियमके प्रभावकारी रूपमे लागू कएल जाएत,' प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सुर्य थापा कहलनि अछि, 'परराष्ट्रके प्रोटोकल मार्फत भेटघाटके स्वीकृति लेनाइ जरुरी अछि ओ बतौलनि ।' पहिनहु प्रोटोकल नियमके लागु करब कहितो विदेशी पाहुनसब सीधे प्रधानमन्त्री कार्यालय या निवास पहूँचैत छल ।

खेल समाचार

फागुन ३० - I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत एखन भ रहल नेदरल्याण्ड आ बँगलादेस बिचक खेलमे नेदरल्याण्ड बँगलादेस समक्ष जितयके लेल १६१ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
नेदरल्याण्ड टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत ४६ ओभर २ बलमे सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे १६० रन बनौलक अछि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल बँगलादेस टिम समाचार तयार करयधरि १४ ओभर खेलैत १ बिकेटक क्षतिमे ५६ रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर पाकिस्तान आ जिम्बाबे बिचक खेलमे जिम्बाबे टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत समाचार तयार करयधरि ,,,,,,,,,,,,,‍ ओभर खेलैत ,,,,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे ,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।

जिप दुर्घटनामे १८ गोटे घाइल

३० फागुन, घोराही । दाङ आ अर्घाखाँचीमे आइ भिन्सर भेल जिप दुर्घटनामे अठार गोटे घाइल भेल अछि । घाइल मेस ४ गोटेके अवस्था गम्भीर अछि ।
दाङके पि्रगाउँस तुलसीपुर जा रहल लु १ ज ७६० नम्बरक जिप टरीगाउँ ५ गौरीगाउँस्थित डिपबोरीङ लग दुर्घटना भेलास ९ गोटे घाइल भेल अछि ।
दुर्घटनामे उरहरी ६ चपुवा डाँडाके माया डाँगी आ लेखराज डाँगी, उरहरी ६ बेल टाकुराके सुगन्ध योगी, नेत्र नेपाली आ दिनेश परियार, उरहरी ७ कटाहाके रेश्मी वली, टरीगाउँ १ टरीगाउँके किरण परियार, फूलबारीके निमकान्त पौडेल सहितक घाइल भेल पुलिस जनोलक अछि ।
सुगन्ध योगी आ नाम नै खुजल दोसर एक गोटेके अवस्था गम्भीर रहल बताओलगेल अछि । घाईलसबके इलाजक लेल तुलसीपुर पठओलगेल अछि ।
अहिबिच, अर्घाखाँचीके खिल्जीस सन्धिखर्क जा रहल लु १ ज १९४५ नम्बरक जिप सन्धिखर्क ८ कुरमे आइ भिन्सर दुर्घटना भेलास ९ गोटे घाइल भेल अछि ।
क्षमतास बेसी यात्रु सबार रहलास जिप दुर्घटना भेल पुलिसक अनुमान अछि ।

जापानके परमाणु संयन्त्रमे एकटा आओर विष्फोट


एजेन्सी, फागुन ३० । जापानके फुकुशिमामे रहल परमाणु संयन्त्रके ३ नम्बर रियाक्टरमे आइ भिन्सर एकटा आओर विष्फोट भेल अछि । ओ विष्फोट होबय नै देबय जापानी अधिकारी तथा वैज्ञानिकसब बहुत कोशिस केने छल । इ विष्फोटस रेडियो एक्टिभिटी पसरयके सम्भावना बहुत कम रहल जापानक एक अधिकारी दावी केलक अछि ।
अहिस आगु परमाणु प्लान्ट लगके लोकसबके सुरक्षित स्थानमे घुसकाओल गेल छल । जापानक प्रधानमन्त्री नाओतो कान परमाणु केन्द्रमे इ विष्फोट होबयके खतरा रहल पहिनेही बतौने छलथि । ओ भुकम्प आ सुनामीके दोसर विश्ययुद्ध बादक पैघ संकट बतौने छलथि । अहिस आगु काल्हि परमाणु संयन्त्रमे विष्फोट भेल छल ।

'भीमसेन थापा जका मरय तयार छी'


गोरखा, फागुन ३० । माओवादी उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई निक काम केलास गल्ती होइत अछि त अपने भीमसेन थापा जका मरय तयार रहल बतौलनि अछि ।
गोरखा जिल्लाके कांग्रेस, एमाले कार्यकर्ता समेत अपन कामके प्रशंसा करय कन्जुस्याइँ नै केने उल्लेख करैत भट्टराई कहलनि जे, 'जनताके पक्षमे निक काम केनाइ अपराध अछि त बाबुराम दोसर भीमसेन थापा होबय तयार अछि मुदा निक काममे कखनो नै झुकत ।'
अपने गृहजिल्लाके संस्थापन पक्षीय कार्यकर्ता जिविस परिषद्के प्रमुख अतिथि बनयस रोकय खोजलाबाद आक्रोशित भट्टराई पार्टीमे 'नवमण्डल' प्रवृत्ति जन्म लेने धारणा रखलनि ।
भट्टराई जनताके नाममे किछ करय चाहला पर टाङ खिच कऽ अपनाके निचा तानयके काज भ रहल दाबी कएलनि ।
अपने देश आ जनताके नाममे किछ करय चाहला पर न्याय नै पौअने आ अपना उपर षड्यन्त्र भेल ओ बतौलनि ।
अपने जिल्लामे निक काज केने परिणामस्वरूप संस्थापन पक्षधर कार्यकर्ता आबयस रोकय चाहने हुनक कहब छलनि ।

विकासक लेल पूरक बजेट लाओल जाएत – अधिकारी


विराटनगर, फागुन ३० । उपप्रधानमन्त्री तथा अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारी देशके लोडसेडिङस मुक्त कराएब बतौलनि अछि । ओ पाँचवर्ष भितर देशस लोडसेडिङके अन्त्य करय लागल जानकारी करौलनि अछि ।
आइ भिन्सर विराटनगरमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे बजैत लोडसेडिङ मुक्त कराबय नयाँ विदेशी संस्थाके समेत विद्युत् उत्पादनके लेल लाबय लागल खुलासा सेहो कएलनि ।
ओ देशमे व्याप्त लोडसेडिङ न्यूनीकरण करय जका एक्सन प्लान लाबय लागल सेहो जानकारी करौलनि ।
अहिबिच, अर्थ आ ऊर्जा मन्त्रालयके अधिकारीसब विद्यमान ऊर्जा संकट समाधानक लेल तत्काल विद्युत महसुल बढाबय परत बतौलनि अछि । सँगहि ओसब अन्तरदेशीय प्रसारण लाइन विस्तार या कोइलास संचालन होबयबला थर्मल अल्पकालीन विकल्प हाएत बतौलनि अछि ।
व्यवस्थापिका संसदके प्राकृतिक स्रोत साधन समितिके आइ बैसल बैसारमे मन्त्रालयके सचिवसब विद्युत प्राधिकरणकेबर्बाद होबयस बचाबयके लेल सेहो विद्युत महसुल बृद्धि केनाइ आबश्यक रहल बतौनि ।
उपप्रधानमन्त्री अधिकारी वर्तमान सरकार वाम ध्रु्रुवीकरणके पक्षमे नै भ शान्ति प्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचाबय आ लोकतान्त्रिक संविधानक निर्माणके यात्रामे रहल बतौलनि अछि ।
अर्थमन्त्री अधिकारी गाउँके विकास तथा समग्र जनताके जीवनस्तरमे सुधार आ खुसियाली लाबय सरकार पूरक बजेट लाबय लागल बतौलनि ।
एक जिज्ञासामे उपप्रधानमन्त्री अधिकारी कारागारक कडा सुरक्षाबीच युनुस अन्सारी उपर भेल हत्या प्रयास गंम्भीर घटना अछि आ अहिके बहुते कारण अछि कहैत सब बात बुझि क सुरक्षा निकायके सुदृढ बनाबयके दृढता व्यक्त कएलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन