Saturday, August 27, 2011

जनआन्दोलनसँ राजतन्त्र समाप्त नहि भेल कमल थापाके दाबी


कास्की, भादव १० । राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपालक अध्यक्ष कमल  थापा जनआन्दोलनसँ राजतन्त्र समाप्त नहि भेल दाबी केलनि अछि । जनआन्दोलन एकटा बहाना मात्रे भेलासँ आ षड्यन्त्रपूर्वक राजतन्त्र समाप्त करयके माज मात्र भेल ओ बतौलनि ।

पोखरामे आइ  आयोजित आमसभामे शाहीकालीन गृहमन्त्री थापा 'आन्दोलनसँ राजतन्त्रक अन्त्य भेल कहनाइ पैघ झूठ भेल  दाबी केलनि । ओ  राजतन्त्र आन्दोलनसँ नहि भऽ दलसब एम्बुसमे पारि कात लगौने आरोप लगौलनि ।

'४ वर्षधरि बाजयके अवस्था नहि छल मुदा आब हम बजलौ कहैत थापा 'राजतन्त्रक अन्त्य केना कऽ भेल से प्रमाण अपनासँग रहल बतौलनि । ओ  विना कोनो अपराध बेइमानी पूर्ण तरिकासँ राजतन्त्रके कात लगाबयके काज केने बतौलनि ।

दलसबहक सत्ता खिचातानीप्रति बहुते आक्रोसित भेल थापा राजतन्त्रके अन्त्य कऽ गणतन्त्र लाबयबलासबके जनताके स्पष्ट जवाफ देबय परत स्पष्ट केलनि । ओ एखुनक अवस्थामे  संविधान सभाके म्याद बढाबऽ नहि चाही कहैत नयाँ जनदेशके रुपमे नयाँ निर्वाचनमे जाएके चाही बतौलनि । 

दलसब गलत रास्तामे चललासँ देश इ  अवस्थामे पहुँचल थापा आरोप लगौलनि ।

झडपमे एकके मृत्यु भेलाबाद चितवनमे तनाव


भरतपुर, भादव १० । चितवनके कविलास ५ मे घुमाउने घाटमे आइ बेरियामे दु समूह बीच भेल झडपमे गोली चललाबाद एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । गोली लागि कऽ घाइल भेल भरतपुर नगरपालिका १ के संजय लामाके इलाजक क्रममे चितवन मेडिकल कलेजमे मृत्यु भेल अछि ।  अखन मेडिकल कलेज आगु तनाव भेल अछि 

पीडित प्रदर्शन कऽरहल अछि । पुलिस घटनास्थलसँ गोलीके खोका बरामद केने जनाओलगेल अछि । इलाका प्रहरी कार्यालय मुग्लिनके प्रहरी नायव निरीक्षक हरि अधिकारीके अनुसार गोली चलाबयबलाके पहिचान होबय नहि सकल अछि  । चितवनके दु समूह बीच झडप भेल पुलिसक कहब अछि ।

अन्नाके तीन शर्त प भाजपा सहमत


नयी दिल्ली, भादव १० । भाजपा आ एनडीए के दिससँ बजैत भारतक लोकसभामे सुषमा स्वराज कहली जे अन्ना हज़ारेके शर्तके  समर्थन कएल जाए  जाहि पऽ ओ संसदके सहमति चाहैत छथि ।

अहिके अलावा ओ प्रधानमंत्रीके लोकपालके दायरामे लाबय आ केंद्रीय जाँच ब्यूरो सीबीआई के स्वायत्त संस्था बनाबयके मांग केलिह ।

सुषमा स्वराज  लोकसभाके  याद दियबैत कहलि जे पहिल लोकपाल विधेयक 1968 में आएल छल आ ओ बिल ९ अम् बेरमे लाओल गेल अछि ।

विपक्षी नेता कहलनि जे २ सालसँ लगातार सामने आबिरहल लाखों लाख करोड़के घोटालासँ लोग आक्रोशित अछि । ओ कहलनि जे सरकार लोकसभामें लौने लोकपाल बिल कमजोर छल आ ओ सरकारके भ्रष्टाचारस लड़यके प्रति प्रतिबद्धत नहि छल ।

माओवादी नेताके सुरक्षार्थमे खटल लडाकु शिविर घुरल


काठमाडौ, भादव १० । माओवादी नेतासँग बाँकी रहल लडाकुसबके शिविर पठाओलगेल अछि । आइ गंगबु स्थित बाँनियाटारमे माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य अपन निवासमे एक कार्यक्रमबीच लडाकुके बिदाई केलनि अछि ।

शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचाबय लेल लडाकु फिर्ता करयके कार्य उल्लेखनीय भेल उपाध्यक्ष बैद्य बतौलनि । ओ हालधरि अपनासबहक सुरक्षार्थमे खटल लडाकुसबके धन्यवाद सेहो देलनि ।  

बैद्य, देव गुरुङ, सीपी गजुरेल, नेत्र विक्रम चन्दसँग रहल ११ गोटे लडाकु आ हतियार शिविरमे पठाओलगेल अछि । गुरुङ, गजुरेल सहितक  माओवादी नेतासबके उपस्थितिमे बिदाई कएलगेल अछि । आब हुनकासबके नेपाल प्रहरी सुरक्षा देत ।

अहिसँ आगु माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल, उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई सहितकसँग रहल लडाकु आ हतियार शिविर घुरि चुकल अछि ।

कांग्रेसद्वारा ११ बुँदे अवधारणा सार्वजनिक


१० भादव, काठमाडौँ । सरकारक नेतृत्वमे दाबी प्रस्तुत केने नेपाली कांग्रेस आइ शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माण सहितक विषयमे ११ बुँदे अवधारणा सार्वजनिक केलक अछि ।

सिंहदरबारस्थित संसदीय दलक कार्यालयमे पत्रकार सम्मेलन कऽ कांग्रेस अवधारणा सार्वजनिक केलक अछि  । कांग्रेस अवधारणामे शान्ति आ संविधान लेखन, दण्डहीनताके अन्त्य आ विधिके शासन सहितक विषयके प्रखुमता देल गेल अछि ।

नेपाली कांग्रेसक नेतृत्वमे सरकार बनत तऽ सरकारक मुख्य प्राथमिकतासब शीर्षक देलगेल अवधारणाके पहिल नम्बर बुँदामे संवैधानिक व्यवस्था, विस्तृत शान्ति सम्झौता आ सेना तथा हतियार अनुमगन सहित विगतमे भेल सम्झौता आ सहमतिके कार्यन्वयन सरकारक मुख्य प्राथमिकता हाएत उल्लेख अछि । अहिना विगतमे1 भेल सहमतिके आधारमे कोनो अलगे अस्तित्व नहि रहय जका माओवादी लडाकूके व्यक्तिगत आधारमे समायोजन करयके आ ओइके लेल सत्तासाझेदार दलसबबीच संख्या, मोडालिटी, दर्जा मिलान तथा पुनस्थापनाबारे साझा सहमति कायम कऽ माओवादीसँग वार्ता करयके अवधारणामे उल्ल्ख अछि ।

संविधानसभासँ नयाँ संविधान जारी करयके विकल्प नहि भेलमे जोड दैत सरकार थपल समयमे संविधान जारी करय कोशिश करयके प्रतिबद्धता सेहो कांग्रेस जनौलक अछि । अहिना विगतमे भेल सहमतिअनुसार गठन करय बाँकी आयोगसबके गठन करयके सेहो अवधारणामे उल्लेख अछि । कांग्रेसके अवधारणामे भ्रष्टाचार आ राजश्व चुहावट जेहन आर्थिक अपराधके कडाइके साथ नियन्त्रण कएल जाएत सेहो जनाओलगेल अछि ।

माओवादी शान्ति, संविधान आ सरकार गठनक लेल प्रतिबद्धता आगु लबिते एमाले आ मधेसी मोर्चा स्पष्ट धारणा मँगलाबाद कांग्रेस अवधारणा सार्वजनिक केलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन