Tuesday, March 22, 2011

खेल समाचार

आइ कोनो खेल नहि भेल 

मन्त्रीके एसएमएस कऽ जान मारकयकेँ धम्की

पटना, चैत ८ । विहारक एकटा मन्त्रीकेँ हुनक मोवाइल फोन पर एसएमएस पठा हुनका सँ पैसाकेँ मांग करैत नहि देला पर जान मारयकेँ धम्की देलगेल अछि ।
पुलिसक अनुसार राज्यकेँ स्वास्थ्य मन्त्री आश्विनीकुमार चौबेकेँ मोवाइल फोन पर दु टा अलग अलग नम्वरसँ सोमदिन रातिमे मैसेज पठाओलगेल जाहिमे २० लाख रुपैया दरभंगा पठावयकेँ कहल गेल अछि । मैसेजमे ४८ घण्टाकेँ भितर पैसा नहि पठाओल गेल तऽ जान सँ मारि देब लिखल अछि ।

मन्त्रीकेँ एक नजदीकी कुटुम्व आइ मंत्री चौबे अहिकेँ सूचना राज्यकेँ पुलिस महानिर्देशक तथा पटनाक वरिष्ठ पुलिस अधिक्षक केँ देलन्हि अछि । एम्हर पटनाकेँ एसएसपी आलोककुमार आइ पुलिस पूरा घटनाकेँ छानवीन कऽ रहल जानकारी देलन्हि अछि । जल्दीए नम्वरकेँ पता लगाओल जायत ओ कहलन्हि ।

भूमिहिनद्वारा मालपोत कार्यालय घेराउ

इनरुवा(सुनसरी), चैत्त ८ । सुनसरीक सदरमुकाम इनरुवा नगरपालिका ३ स्थित मालपोत कार्यालयमे जिल्लाक विभिन्न जगह सँ आएल भूमिहिनसभ आइ धेराउ कऽ धरना देलक अछि ।
भूमि अधिकार मञ्च सुनसरीक अगुवाईमे ग्रामीण क्षेत्र सँ आएल ५ सय स वेसी भूमिहिन सुकुम्बासीसभ भूमि अधिकार सँ बञ्चीत सभकेँ राज्यके जमिन उपलव्ध करावय परत, हलिया मजदुरसभकेँ जमिन धनी प्रमाणपत्र देवय परत, महिला पूरुष दुनुकेँ हक जमिनमे स्थापित होवय परत सहितक मांग राखि ओसभ मालपोत कार्यालयमे धरना देलक अछि ।
मालपोत कार्यालयमे भिन्सर १० बजे सँ ओसभ गेटमे तालावन्दी कऽ व्यानर लगबैत प्ले कार्ड लऽ प्रदर्शन कएने छल । अपनासभकेँ मांगकेँ सुनुवाइ नहि कएलगेल तऽ कडा आन्दोलन करव मञ्चक सुनसरी अध्यक्ष मनोज घोतराज जानकारी देलन्हि ।

प्रेस युनियनके सातम केन्द्रीय महाधिवेशन चलिरहल

इटहरी, चैत ८ । नेपाली काँग्रेस निकट पत्रकारसबहक छाता संगठन नेपाल प्रेस युनियनके सातम केन्द्रीय महाधिवेशन सुनसरीके इटहरीमे चलिरहल अछि ।

नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइराला महाधिवेशनके औपचारिक उद्घाटन केने छलथि । महाधिवेशन उद्घाटन समारोहमे सहभागी होबय नेपाली काँग्रेसक डा। प्रकाश शरण महत दिलेन्द्र बडु सहितक नेतासब सेहो इटहरी पहुँचल छथि । महाधिवेशनस तीन वर्षे कार्यकालके लेल नयाँ नेतृत्व चयन काएल जाएत ।

नयाँ नेतृत्वमे अध्यक्ष पदक लेल तीन गोटे दावी केने अछि । नयाँ कार्यसमिति चयनके लेल बन्द सत्र आइए सुरु होयबाक कार्यक्रम अछि । महाधिवेशनके लेल देशभरिस करिब एक हजार पत्रकार इटहरी पहुँचल अछि । नयाँ नेतृत्व चयन करैत महाधिवेशन काल्हि सम्पन्न हाएत ।

अहिबीच उदघाटन सत्रमे फुकना फोडने कहैत पुलिस पत्रकारसब खिला कार्की आ महेश्वर गौतमके गिरफ्तार केने छल ।

टाइगरटप्स गोलीकाण्ड मुद्दाके पेशी घुसकल


चितवन, चैत ८ । टाइगरटप्स गोलीकाण्डके मुद्दाके पेशी वैशाख १४ गते घुसकल अछि । गोलीकाण्डमे फँसल पूर्वयुवराज पारस शाह आ बंगलादेशी नागरिक रुबेल चौधरीसँग आइ बयान लेलाबाद प्रमुख जिल्ला अधिकारी बसन्तराज गौतम मुद्दाके दोसर पेशी तोकने छथि ।
पूर्वयुवराज पारस चौधरीके चितवनके मेघौलीस्थित टाईगरटप्स होटलमे बितल अगहन २५ गते गोली चलौने आ सार्बजनिक स्थलमे हो हल्ला केने अभियोगमे जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे सार्बजनिक अपराध ऐन अन्तर्गतके मुद्दा चलिरहल अछि ।
पूर्वयुवराज पारस दलबलके साथ जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँचल छलथि ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालय बाहर जम्मा भेल पारसके समर्थकसब ‘राजा आउ देश बचाउ’, ‘रुबेलके फाँसी दे,’ जेहन नारा लगौने छल ।
अहिबीच, टाईगरटप्स गोलीकाण्डमे फँसल बंगलादेशी नागरिक रुवेल चौधरी जिल्ला प्रसासन कार्यालय चितवनमे आइ बयान बदललनि अछि । भिन्सर साढे १० बजे दलबलके साथमे प्रशासन कार्यालय पहुँचल चौधरी चितवनके प्रमुख जिल्ला अधिकारी बसन्तराज गौतम समक्ष बयान दैत अपना उपर गोली चलाबयबलाके चिनह नै सकने बयान देने छलथि ।
‘पारसके हातमे बन्दुक त छल मुदा हमरा उपर गोली के चलौलक बुझय नै सकलौ,’ घटनाक मुख्य साक्षीके रुपमे वादीके दिसस बयान दैत चौधरी बतौलनि ।

एमाले आ फोरमकेँ निर्णायक वैसार स्थगित

काठमाण्डू, चैत ८ । नेकपा एमाले आ मधेशी जनअधिकार फोरम वीच आइ हाएत कहलगेल निर्णायक वैसार स्थगित भेल अछि ।
फोरमकेँ देवयवला मन्त्रालय सम्वन्धमे एमाले आ माओवादीवीच सहमति होवय वाँकी रहलाक कारण बैसार स्थगित कएलगेल एमालेक प्रमुख सचेतक भिम आचार्य जानकारी देलन्हि अछि । मन्त्रालय वाँटफाँट आ फोरम आगु वढौने अवधारणा पत्रकेँ अन्तिम रुप देवय एमाले अध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आ फोरम अध्यक्ष उपेन्द्र यादववीच आइ निर्णायक बार्ता काएल जाएत बताओलगेल छल ।
एमाले आ माओवादी उपप्रधान सहित परराष्ट« आ आपूर्ति मन्त्रालय लेवय प्रस्ताव कएला वाद फोरम उपप्रधान सहितकेँ चारिटा मन्त्रालयकेँ दावी कऽ रहल अछि । सरकारमे सहभागिताकलेल फोरम आगु वढौने अवधारणा एमाले आ फोरमवीच सहमति भऽ चुकल अछि । मन्त्रालय वाँटफाँट सहमति भेलाकवाद ओहिमे हस्ताक्षर काएल जाएत बताओल गेल अछि ।
एमाले आ फोरमवीच पछिला समयमे भेल सहमति कार्यान्वयन करय तथा स्वायत मधेश प्रदेशकेँ विषय संविधानसभा सँ अन्त करयके सहमति भेल अछि ।

इन्धन आपूर्तिमे ३० प्रतिशतस कटौती


काठमाडौ, चैत्र ८ । आर्थिक अभाव आ भारतीय आयल निगम उधारी देबय नै मानला बाद काल्हिस नेपाल आयल निगम इन्धन आपूर्तिमे ३० प्रतिशतस कटौती केलक अछि ।
आइओसीस दैनिक ४ हजार किलोलिटरस ४ हजार ४ सय किलोलिटर पेट्रोलियम पदार्थ आपूर्ति क रहल निगम ३ हजार किलोलिटर पेट्रोलियम पदार्थ मात्रे नेपाल लौलक अछि । इ कुल आपूर्तिमे ३३ प्रतिशत बेसी कटौती अछि ।
लागत महँग परितो सस्तामे बेचय परलास भेल रकम अभाव आ आइ ओसी उधारी देबय नै मानलास निगमक आपूर्ति घटल अछि । 'हमसब माँग अनुसार आपूर्ति करयके लेल पर्याप्त पैसा पठाबय नै सकलौ आ आइ ओसी उधारी देबय नै मानलक,' जाहि कारण आपूर्ति घटल निगमक प्रवक्ता माधवप्रसाद ढुंगेल बतौलनि ।
कार्यकारी निर्देशक झा के अनुसार मार्च महिना भारतीय आर्थिक वर्षके अन्तिम महिना परलास हिसाब किताब मिलानके लेल आइओसी पेट्रोलियम पदार्थ उधारी देबय नै मानलक अछि ।

त्रिपोली आ पूर्वी लीबिया प हमला जारी


एजेन्सी, चैत ८ । हवाई हमलाके तेसर राति बहुत गोटेके मृत्यु भेल लीबिया सरकार जनौलक अछि । लीबिया प 'नो-फ़्लाई ज़ोन' लागू क रहल गठबंधनके सेना त्रिपोली प मिसाइल आ हवाई जहाज़स हमला केलक अछि ।
त्रिपोलीमें कर्नल गद्दाफ़ीके दिसस सेहो बिष्फोट आ विमानभेदी गोलीबारी काएल गेल अछि ।
लीबियामें सरकारक प्रवक्ता सिर्ते हवाई अड्डा पर भेल हमलामें कतेकौ गोटेके मृत्यु भेल जानकारी देलनि अछि ।
सरकारक युद्धविरामके घोषणाके बावजूद गद्दाफ़ी समर्थक सेना आ विद्रोही बीचक सँघर्ष जारी अछि । लीबियाके पूर्वमें गद्दाफ़ीके सेना विद्रोहीकेको एक बेर फेउर अजदाबिया शहरस बाहर जाए मजबुर क देलक अछि ।
त्रिपोलीस 200 किलोमीटर पूर्वमें स्थित मिस्राता शहरमें भीषण लड़ाई जारी अछि । ओइठामक विद्रोहीके कहब अछि जे बितल ४ दिनस गद्दाफ़ी सर्मथक सेना ओकरासब उपर हवाई हमला क रहल अछि ।
चिलीके भ्रमणमे गेल ओबामा कहलनि जे अमेरीका लीबियामें एक सहयोगीके भूमिका निभाओत ।

समाचार वाचक कर्णके अन्तिम सँस्कार भऽ रहल

जनकपुर, चैत ८ । जनकपुर एफ एम १०१ प्वाईन्ट ८ मेगाहर्जक समाचार वाचक बसन्त कर्णके अखन अन्तिम सँस्कार भऽ रहल अछि ।
जनकपुरक स्वर्गद्धारीमे कर्णके अन्तिम सँस्कार कएल जा रहल अछि । कर्णके हुनक छोट बेटा अजित कर्ण मुखाअग्नि देलनि अछि । ३५ बर्षक कर्णके हृदयघातसँ आई भिन्सर निधन भेल हुनक पारिवारिक स्रोत जनओलक अछि । हुनका कनिया, २ टा बेटा आ १ टा बेटी छन्हि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन