Thursday, March 10, 2011

अंतिम अभियान पूरा, डिस्कवरी रिटायर हाएत - बिज्ञान


अमरीकाके सबस पुरान आ अंतरिक्षमें सबस बेसी यात्रा करय वला अंतरिक्ष यान डिस्कवरी अपन अन्तिम यात्रा पूरा क फ़्लोरिडाके केनेडी स्पेस सेंटर सुरक्षित पहुँच गेल अछि ।
डिस्कवरीके पहिल बेर 1984 में लॉंच कएलगेल छल आ इ एकर अंतिम अभियान छल । आब एकरा रिटायर क देल जाएत आ वॉशिंगटनके स्मिथसोनियन अंतरिक्ष म्यूज़ियममें राखल जाएत । डिस्कवरी 39 अभियान केलक आ अहिबिच दुनियाके ६000 बेर चक्कर लगौलक । बितल तीस सालमें इ हबल टेलीस्कोपके स्थापित केलक अछि आ नासाके अंतरिक्ष कार्यक्रममें मुख्य भूमिका निभौने अछि ।
वर्ष 2005 में डिस्कवरीके कमांडर आ कोनो अंतरिक्ष यॉनके पहिल महिला कमंडर ईलीन कॉलिंस बतौलनि जे, "अइ अंतरिक्ष यानके सबस बड़का उपलब्धी अंतरराष्ट्रीय स्पेस, स्टेशन बनाबयके छल जे काम करिब 99 प्रतिशत पूरा भचुकल अछि आ अइमे डिस्कवरीके प्रमुख भूमिका छल ।."
हुनकर कहब छलनि जे अंतरिक्षमें हबल टेलीस्कोपके स्थापित केनाइ आ मीर अंतरिक्ष केंद्र तक जेनाइ एकर बड़का उपलब्धी छल ।
एंडेवर आ अटलांटिसके अभियान सेहो अगिला तीन महीनामें ख़त्म भ जाएत आ एकर बाद अमरीका अपन अंतरिक्ष यात्रीके रूसके सोयुज़ रॉकेट प अंतरिक्षमें ल क जाएत ।

राजनीतिक ज़िम्मेदारी छोड़ि रहल छी: दलाई लामा


एजेन्सी, फागुन २६ । तिब्बतिके धर्मगुरू दलाई लामा जल्दीए अपन राजनीतिक ज़िम्मेदारी कोनो चुनल नेताके सौंपब घोषणा केलनि अछि ।
धर्मशालामें दलाई लामा एक बयान जारी क कहलनि जे 14 मार्चके निर्वासित तिब्बतीके संसदके बैसारमें ओ औपचारिक प्रक्रिया शुरु करताह । अइ बैसारमे दलाई लामा संशोधनके प्रस्ताव रखताह ताकि हुनका एहन मंज़ूरी भेट सकेय ।
नौ मार्च 1959 के तिब्बती चीनके बिरुध्दमे विद्रोह केने छल । मार्च 2008 में तिब्बतमें चीन विरोधी हिंसक प्रदर्शन सेहो भेल छल । दलाई लामा तिब्बती लोकके निर्सावित सरकारके मुखिया छथि । 1959 में चीनके बिरुध्द विफल विदोहके बाद कतेकौ तिब्बती भारत गेल छल । दलाई लामा समेत हज़ारों तिब्बती तहियास भारतके धर्मशालामें रहैत अछि ।

भारतमे लिट्टेके तीनटा शिविर चलिरहल


एजेन्सी, फागुन २६ । श्रीलंकाके प्रधानमंत्री डीएम जयरत्ने भारतके दक्षिणी राज्य तमिलनाडुमें तमिल छापामार संगठन लिट्टेके तीनटा शिविर चलिरहल दाबा कएलनि अछि ।
भारतस प्रकाशित २ टा अंग्रेज़ी पत्रिका 'द हिंदू' आ 'द हिंदुस्तान टाइम्स' के अनुसार श्रीलंकाई प्रधानमंत्री इ बातें श्रीलंकाई संस में कहलक अछि । पत्रिकास प्रधानमंत्रीके लेल कहल गेल अछि जे अइ शिविरमें तमिल छापामारके प्रशिक्षण देल जाइत अछि आ अइमे स एक में सिर्फ़ महत्वपूर्ण लोकके हत्या करयके ट्रेनिंग देल जाइत अछि ।
2009 में लिट्टेके बिरुध्द श्रीलंकाई सेनाके ऑपरेशनके अंतिम चरणमें विनयगम भारत भागल छल । प्रधानमंत्रीके अनुसार अइ शिविरके मुख्य उद्देश्य श्रीलंकामें हिंसा फैलाबयके रहल अछि । प्रधानमंत्री जयरत्ने इहो कहलनि जे भारतीय राजनेताके हत्या आ श्रीलंकामें गृह युद्द कराबयके षडयन्त्र रचल जा रहल अछि ।

पर्सामे अगिलगि, लाखौके क्षति

पर्सा, फागुन २६ । पर्साके पोखरीया गाविस वाड नम्बर ७ सतवरिया स्थित आलम मियाँके घरमे आई भिन्सर अगिलगि भेलासँ १० लाख मोल बराबरके धनमाल जरि कऽ नष्ट भेल अछि। भिन्सर साढे १ बजे भेल अगिलगिमे घरमे रहल अन्नपानि, लत्ताकपडा, फर्निचर, नगद आ गरगहना जरि कऽ नष्ट भेल पुलिस जनओलक अछि।
अगिलगिमे १० लाख मोल बराबरके धनमाल क्षति भेल पुलिसक अनुमान अछि।
अहिबिच, वन गस्ती टोली पर्साके सुपौलीसँ आइ भिन्सर ५० घन फिट सालके काठ सहित दु टा टायर गाडी बरामद केलक अछि। रंगपुर रेन्जपोष्टके वन गस्ती टोली सुपौली गाविस वाड नम्बर ३ सँ भिन्सर साढे ४ बजे ई काठ बरामद केलक अछि।
दु टा टायर गाडीमे लोड कऽकऽ जर्गनाथपुरदिस लऽ जाईत काल अवस्थामे वन गस्ती टोली काठ अपन नियन्त्रणमे लेलक अछि। वन गस्ती टोलीके देखिते काठ तस्करसभ काठ आ गाडी छोडि फरार भेल वन गस्ती टोली जनओलक अछि। बरामद काएलगेल काठ आ टायरगाडि आवश्यक कारवाहीके लेल बसन्तपुर रेन्जपोष्टमे बुझाओलगेल वनगस्ती टोली जनओलक अछि।

मकवानपुरक उद्योगके चाभी प्रजिअके

काठमाडौं, फागुन २६ । मकवानपुरक सब उद्योगीसब अपन अपन चाभी प्रमुख जिल्ला अधिकारी दिनेश भट्टराईके बुझौलक अछि ।
न्यूनतम तलव १० हजार होबयके माँग रखैत माओवादीसम्वद्ध मजदुरसब मंगलदिनस उद्योगसब बन्द करौलाबाद उद्योगीसब अपन अपन उद्योगके चाभी प्रजिअके बुझौलक अछि । उद्योगके चाभी बुझाबयबलामे हेटौडा औद्योगिक क्षेत्रक ५७ आ अन्य क्षेत्रके किछ उद्योगके सञ्चालकसब अछि ।
ओसब औद्योगिक शान्ति कायम करयके, मजदुरके तलव वृद्धिके माँग राज्यके सम्वोधन करय सहितक माँग रखने अछि । उद्योगके चाभी बुझलाबाद प्रजिअ भट्टराई केन्द्रमे बात राखब बतौलनि ।

बेलायती राज्यमन्त्री स्वदेश फिर्ता

काठमाण्डौ, फागुन २६ । ४ दिना नेपाल भ्रमण पूरा क बेलायतके अन्तर्राष्ट्रिय विकास सम्बन्धी राज्यमन्त्री एलन डङ्कन आइ भिन्सर स्वदेश घुरलनि अछि । स्वदेश घुरयस आगु ओ एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ आ नेपाली काङ्ग्रेसक सभापति सुशील कोइरालास अलगे अलग भेटवार्ता कएने छलथि ।
माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डके नयाँबजारमे भेट कऽ डङ्कन शान्ति प्रकृया आ संविधानक विषयमे जिज्ञासा रखने छलथि । भेटमे सहभागी माओवादी विदेश विभाग प्रमुख एवम् उपप्रधानमन्त्री कृष्णबहादुर महरा जानकारी देलनि । माओवादी जनसेनाके समायोजनके प्रकृया केहन आ माओवादी-एमालेबीच भेल सहमतिमे आएल विवादके विषयमे डनकन उत्सुकता रखने बताओलगेल अछि ।
नेपालमे जारी शान्ति प्रकृयाके प्रगति बुझय आ बेलायतके सहयोगमे संचालित विभिन्न परियोजना अवलोकन करय नेपाल आएल डनकन नेपालके आओर ४ चार बर्षके लेल ४ अर्ब बराबरके सहयोग घोषणा क कल छथि ।

जेल भितर अन्सारी उपर गोली प्रहार

काठमाण्डौ, फागुन २६ । नेशनल टेलिभिजनके कार्यकारी अध्यक्ष युनुस अन्सारी उपर जेल भितरे गोली प्रहार भेल अछि।
नक्कली भारतीय रुपैयाँके कारोवारमे संलग्न रहल अभियोगमे केन्द्रीय कारागार सुन्धारामे सजाए भोगि रहल अन्सारी उपर आई साढे ११ बजे हुनकासँ भेटयगेल अहमद खान भेटघाट कक्षमे गोली प्रहार केलक अछि। गोलि लागि घाइल भेल अन्सारीके इलाज नर्भिक अस्पतालमे भऽ रहल अछि । घाइल अन्सारी अखन खतरा मुक्त रहल अस्पाताल स्रोत जनओलक अछि। अन्सारीके कोखमे गोली लागल पुलिस जनओलक अछि।
गोली प्रहार कएनिहार खानके हतियार सहित गिरफ्तार काएलगेल महानगरी प्रहरी आयुक्त कार्यालयके प्रवक्ता एसएसपी माधव नेपाल बतओलन्हि अछि । खान १५ लाख रुपैयाँ दऽक़ अपनाके युनुसके मारए पठओने पुलिस समक्ष स्वीकार केलक अछि।
एहिसँपहिने सेहो बिभिन्न समयमे भारतीय अपराधीसभ अन्सारीके हत्याके प्रयास केने छल । जमिम शाहके हत्या करए आएल अपराधी अन्सारीके हत्याके लेल आएल मुदा ओ गिरफ्तार भेलासँ शाहके गोली मारने खुलासा भेल छल । अहिना अदालत लऽजएबाक क्रममे सेहो बेर बेर अन्सारीके हत्याके प्रयास भेल मुदार पुलिस बचओने बताओलगेल अछि।

‘शान्ति आ संविधानक लेल एकजुट होउ’


चितवन, फागुन २६ । राष्ट्रपति डा.रामवरण यादव शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निमार्णके निषकर्षमे पहुचाबय सम्पर्ण नेपालीके एकजुट होबऽ परत वतओलन्हि अछि। पैघ अठोट आ उत्साहके साथ लोकतान्त्रिक गणतन्त्र प्राप्त भेल आ अईके संस्थागत करय लेल शान्ति प्रक्रियाके निषकर्षमे पहुँचाबय परत हुनक कहब छलन्हि ।
देवघाट क्षेत्र विकास समितिके नवनिर्मित भवनक आइ चितवनके देवघाटमे उदघाटन करैत राष्ट्रपति यादव ६ सय १ गोटे सभासदसभ अपन दायीत्व पूरा करत विश्वास व्यक्त केलन्हि ।
कोनो क्षेत्रमे रहबाला, कोनो धर्म मानय बला होईतो शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचाबय लेल सब नेपालीके एकजुट होनाई जरुरी अछि राष्ट्रपति यादव बतओलन्हि।

facebook Page Like

  • मनोरँजन