Friday, October 07, 2011

जनकपुरक राबण बध २०६८


बिजया दशमीक दिन जनकपुरमे राबण बध भेल अछि । राबण बधक कार्यक्रम जनकपुरमे २०६७ सालसँ शुरु भेल अछि ।

होटल में माछी


गोलू: हम इ बर्दाश्त नहि कऽ सकब । आँहाके होटलमें बहुते माछी अछि।
वेटर: हुक्म करु सर। आँहा कतेक बर्दाश्त कऽ  सकब ? बाँकी माछीके हम बाहर निकालि देब ।

२ किलो चरस आ साढे २ किलो गाँजा सहित २ गोटे गिरफ्तार


२० आसिन, वीरगञ्ज । बाराके अलगे अलग ठामसँ ३२ किलो अवैध चरस आ साढे २ किलो गाँजा सहित दु गोटेके बितलराति पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय बारासँ खटल पुलिसक गस्ती टोली फेटा लगसँ एक भारतीय नागरिकके गिरफ्तार केलक अछि । बीआर टीओ-३ ओ ८९८९ नम्बरक भारतीय नम्बरके टाटा सुमोमे नुका कऽ रखने ३२ किलो चरेशसहित ओइके चालक भारतक रामगढवाके पारस प्रसाद साहके गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी नायव उपरीक्षक अनुराग द्धिवेदी बतौलनि । टाटा सुमोमे रहल तस्कर समुह पुलिसक गस्ती टोलीके लक्षित करैत एक राउण्ड गोली सेहो चलौने छल ।

अन्य दु गोटे तस्कर भागय सफल भेल प्रहरी उपरीक्षक द्धिवेदी बतौलनि । अहिना बाराके मटिअर्वास्थित सशस्त्र प्रहरी बेसक्याम्पसँ गेल गस्ती टोली साढे २ किलो गाँजा सहित एक गोटेके गिरफ्तार केलक अछि । सशस्त्र प्रहरी निरीक्षक सबुरलाल चौधरी कलैया नगरपालिका-७ के कैलाश दास तत्माके गाँजासहित गिरफ्तार कएलगेल जानकारी देलनि ।

धनुषामे पुलिस आ अपराधिक समूहक गोलीसँ दु गोटेके मृत्यु


२० आसिन, काठमाडौँ । धनुषाक दु अलग अलग स्थानमे पुलिस आ अपराधिक समूहक गोली प्रहारसँ बितलराति दु गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मुखियापट्टीस्थित पुलिस चौकीमे हल्ला करैत प्रवेश केने स्थानीय कुलधारी मुखिया पुलिसक प्रतिकारमे मारलगेल अछि । ओ चौकीमे प्रवेश कऽ ड्युटिमे रहल पुलिस जवान उपेन्द्र यादव उपर छुरा प्रहार केलाबाद जवाफी कारबाहीमे मारलगेल धनुषा प्रहरीक प्रमुख उपरीक्षक हरिबहादुर पाल जानकारी देलनि । पेटमे छुरा लागि गम्भीर घाइल भेल जवान यादवके वीरगञ्जस्थित नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

अहिना अज्ञात हतियारधारीके गोली प्रहारसँ जनकपुरमे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

स्थानीय तरकारी तथा घरजग्गा व्यवसायी जैतुन खातुनके जनकपुरक पेठिया बजारस्थित अज्ञात समूह गोली मारि कऽ हत्या केलक अछि । छातीमे गोली लागल खातुनके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल बताओलगेल अछि । प्रहरी उपरीक्षक पाल खातुनके किछ दिन एम्हर अपरिचिच व्यक्ति टेलिफोन कऽ जान मारयके धम्की दैत आएल जानकारी देलनि । दुनु घटनाबारे छानविन भऽरहल पाल बतौलनि अछि ।

छत्तीसगढ़मे भेल बारूदी विस्फोटमें परि चारि सुरक्षाकर्मीके मृत्यु


२० आसिन छत्तीसगढ़ । छत्तीसगढ़के बस्तर संभागमें एकटा बारूदी सुरंगमे भेल विस्फोटमें परि सशस्त्र सीमा बलके ४ सुरक्षाकर्मीके मृत्यु भेल अछि तऽ पांच गोटे घाइल भेल अछि ।

दंतेवाड़ाके  गीदम इलाकासँ जगदलपुर जा रहल समय बिष्फोटक धरापमे पारि बिष्फोट कराओल गेल छल ।

जगदलपुर और दंतेवाड़ाके बीचमे परयबला राष्ट्रीय उच्च मार्ग पर भेल बिष्फोटमे माओवादी सड़कके बीचों बीच बिष्फोटक समान लगौने बताओल जाऽ रहल अछि ।

पुलिसके कहब अछि जे विस्फोटक आवाज बहुत दुर तक सुनाएल छल । जाहि कारण इ उच्चशक्तिके बिष्फोटक रहल पुष्टि होइत अछि ।

मैक्सिकोमें ३२ शव भेटल


मैक्सिको २० आसिन । मैक्सिकोके  पूर्वी प्रांत वेराक्रूज़में आरो ३२ गोटेके शव बरामद भेल अछि ।

इ शव तीन अलग-अलग घरमें भेटल अछि । २ हफ़्ता पहिने पुलिसके राज्यमें एक शॉपिंग सेंटर लग एकटा ट्रकमें एतेक शव भेटल छल ।

नशीला पदार्थके व्यापारके कारण हिंसा बढ़लाबाद वेराक्रूज़में सरकारी अधिकारी अतिरिक्त पुलिस आ सैनिक पठाबयके फ़ैसला केने छल ।

माओवादी विवादसँ शान्तिप्रक्रियामे असर नहि पहुँचतः श्रेष्ठ


२० आसिन, चितवन । उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ माओवादीभितर जारी विवदसँ शान्तिप्रक्रियामे कोनो असर नहि पहुँचत दाबी कएलनि अछि ।

चितवनके माढीमे कार्यकर्ता भेटघाटक क्रममे माओवादी उपाध्यक्षसमेत रहल श्रेष्ठ चारि बुँदे सहमति राष्ट्रघाती नहि रहल तर्क करैत ओइप्रति अनावश्यक शंका नहि करय आग्रह कएलनि । चारिबुँदे सहमतिमे तत्काल १० हजार मधेसीके राष्ट्रिय सेनामे प्रवेश कराबयके उल्लेल नहि कएलगेल स्पष्ट करैत मन्त्री श्रेष्ठ सहमतिके घुमा कऽ प्रचार नहि करय सेहो सब सँ आग्रह कएलनि ।

करेण्ट लागि कऽ दु गोटेके मृत्यु, तीन घाईल


२० आसिन, बारा । बाराके डुमरवाना गाविस-६ मे आइ भिन्सर ११ हजार भोल्टके विद्युतीय तार टुटि कऽ वस्तीमे खस्लाबाद करेन्ट लागि कऽ दु गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ  अन्य ३ गोटे घाइल भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे स्थानीय २९ वर्षक जानुका खडका आ २५ वर्षक गोपी लामिछाने रहल पुलिस जनौलक अछि । करेन्ट लागि कऽ गम्भीर घाइल भेल दुनुके वीरगञ्जस्थित नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पतालमे पहुँचैबते चिकित्सक मृत घोषणा केने छल । करेन्ट लागि कऽ घाइल भेल स्थानीय कृष्णबहादुर बल , कमला बल आ ११ वर्षक बालक गणेश चौधरीके स्थानीय क्लिनिकमे इलाज भऽ रहल अछि ।

भिद्दसर पौने ९ बजे दिस ११ हजार भोल्टके तार टुटि कऽ घर आ बाटमे खस्लाबाद स्थानीयवासीके घरमे चलिरहल टि.भि., मोटर, पंखा सहितक विद्युतीय सामग्री जरि कऽ नष्ट भेल अछि । क्षतिके यकिन विवरण आबय बाँकी रहल बारा पुलिस जनौलक अछि ।

फरार अभियुक्त गिरफ्तार


२० आसिन, नारायणढ । चितवनक भरतपुर नगरपालिका-१० सँ हत्याम संलग्न रहि फरार रह एक गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि

साढे दु वर्ष आगु स्थानीय गोविन्द पौडेलक हत्याम संलग्न भ फरार रह सुरज श्रेष्ठके बितलराति गिरफ्तार कएलगेल चितवन पुलिस जनौलक अछि ओकर सँगसँ एक थान इटालियन पेस्तोल, ओइमे लागयबला सात राउण्ड गोली म्याग्जिन बरामद कएलगेल पुलिस बतौलक अछि पुलिस ओकरा हिरासतम राखि कऽ हत्या अभियोगम मुद्धा चलाबयके तयारी कऽ रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन