Wednesday, August 17, 2011

हज़ारों लोग सड़क पऽ उतरल , रिहाई पऽ अनिश्चितता


भारत साउन ३२ । सरकारके लोकपाल विधेयकके विरोध कऽरहल सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हज़ारेके समर्थकसब इंडिया गेटस जंतर-मंतरधरि जुलूस निकाललक अछि त हज़ारे तिहाड़ जेलस निकलता कि नहि बिषयमे अखनो निश्चित होबय नहि सकल अछि । एम्हर तिहाड जेलके बाहर हजारे समर्थकसबहक भिड लागल अछि ।

हज़ारेके रिहा करयके आदेश काल्हिए  रातिके देल गेल होइतो ओ जेलस बाहर आबयसँ मना कऽ देलथि आ ओ कहलनि जे जा धरि अनशन पऽ लागल शर्ते नहि  हटत ता धरि जेलस बाहर नहि निकलब ।

अहिके बाद सरकारके झुकैत अन्नाके बात मानैत दिल्ली पुलिस अपना दिससँ अनशनके लेल रामलीला मैदान देबयके लेल सहमत भेल अछि । मुदा इ विरोध प्रदर्शन कहियाधरि चलत आ अहि पऽ दुनु पक्ष कखनधरि सहमत हाएत से निशि्चित होबय नहि सकल अछि ।

अहि बीच हज़ारों लोग तिरंगा लऽ कऽ आइ साँझ ४  बजे इंडिया गेट पहुँचल आ ओहि ठामसँ ओ जंतर-मंतर दिस प्रस्थान केने छल ।

. मालपोत कार्यालय आइयो बन्द


जलेश्वर, साउन ३२ । कर्मचारीके पिटने कहैत काल्हिसँ बन्द रहल जिल्ला मालपोत कार्यालय महोत्तरी आइ सेहो खुजय नहि सकल ।
कर्मचारीसब  आइयो कार्यालय बन्द कऽ दिनभरि जिल्ला प्रशासन कार्यालय महोत्तरीमे धर्ना देलक अछि ।
तिन दिन आगु काम नहि केने कहैत खरिदार रामकृष्ण पण्डितके किछ युवासब पिटपाट केने कहैत कर्मचारीसब काल्हिए शान्ति सुरक्षाके ग्यारेण्टी नहि होबयधरि कार्यालय बन्द राखयके चेतावनी देने छल ।

मालपोत कार्यालयके कर्मचारी वैकुण्ठबिहारी लाल कर्ण दोषी उपर कारवाहीके माँग आ असुरक्षाके कारण मालपोत कार्यालय बन्द कऽ धर्ना देबय परल बतौलनि । ओ सुरक्षा प्रदान कऽ दोषीके कारवाही नहि होबयधरि मालपोत बन्द रहत कहैत कर्मचारी पिटपाटमे माओवादी कार्यकर्ताके हात रहल आरोप लगौने छलथि ।
वायह क्रममे सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी राजिव खनाल मालपोत कार्यालयके कर्मचारीसब तथा माओवादीके वार्तामे बजौने छलथि । एम्हर माओवादीके कार्यकर्तासब अपनेसब पिटपाट नहि केने आ अपन कार्यकर्ताके संलग्नता नहि रहल जनौलक अछि ।

सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी दोषी उपर कारवाही आ सुरक्षाके ग्यारेण्टी देबयके कहलाबाद काल्हिसँ कार्यालय खोलल जाएत एक कर्मचारी बतौलक अछि ।

जिल्ला मालपोत कार्यालय दु दिनसँ बन्द भेलाबाद कामके लेल दुर दुरसँ आएल सेवाग्राहीसब समस्यामे परल अछि ।

एम्हर मालपोतमे लेखनदासके काज करैत आएल लेखनदाससब कर्मचारीसबहक कार्यशैली प्रति विरोध जनबैत वितल एक हप्तासँ आन्दोलन करैत आएल अछि । लेखनदाससब एक संघर्ष समिति बनाकऽ विभिन्न आन्दोलनके कार्यक्रमसब करैत आएल अछि ।

दोहोरो नागरिकता लेबयबला एक गोटे पक्राउ



जलेश्वर, साउन ३२ । महोत्तरी जिल्ला प्रशासनमे  धोका दऽ दोहोरो नागरिकता लेबय चाहयबला एक गोटेके आइ पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे महोत्तरी सहोडवा५ के ज्ञानचन्द्र दास तत्माके बेटा जितेन्द्र दास तत्मा रहल जिल्ला प्रशासन कार्यालय नागरिकता फाँटक नायवसुब्बा रामचन्द्र साह जानकारी देलनि अछि ।

पहिनेके नागरिकतामे २०५१ अगहन १२ गतेके जन्म मिति रहितो फेउर जन्मदर्तामे २०४९ अगहन १२ बना कऽ नागरिकता लेबय चाहलास तत्माके तत्काले गिरफ्तार कऽ पुलिसक जिम्मा लगाओलगेल छल ।

तत्माके अनुसन्धानके दायरामे राखि कारवाहीके प्रक्रिया आगु बढाओलगेल प्रशासकिय अधिकृत राधेश्याम गिरी जानकारी देलनि ।

आइएस्सीके परीक्षाफल प्रकाशित


३२ साउन, काठमाडौं । त्रिभुवन विश्वविद्यालय परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय बल्खुद्वारा २०६८ साल जेठ महिनामे सञ्चालित विज्ञानतर्फ आइएस्सी दोसर वर्षक परीक्षाके परीक्षाफल प्रकाशित कएलगेल अछि ।

अहिना २०६८ सालमे सञ्चालित व्यवस्थापन सङ्कायतर्फ प्रविणता प्रमाणपत्र तह द्वितीय वर्षक परीक्षाके परीक्षाफल सेहो प्रकाशित भेल अछि ।

परीक्षाफल www.educationsansar.com, www. edusanjal.com, www.tu.ntc.net.np  मे सेहो देखल जा सकैय ।

प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवारद्धय भट्टराई आ देउवाबीच गोप्य भेटवार्ता


३२ साउन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्रीक दु उम्मेदवार एकीकृत नेकपा माओवादी उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई आ नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवाबीच गोप्य भेटवार्ता भेल अछि ।

आइ ललितपुरमे भेल भेटमे सहमतिके सरकार गठनबारे बिमर्श भेल श्रोत जनौलक अछि । भेटमे माओवादीके अध्यक्ष प्रचण्ड सेहो सहभागी छलथि ।

कांग्रेसके बहुमतीय उम्मेदवारमे पौडेलक दावी


३२ साउन, काठमाडौं । नेकपा कांग्रेसमे बहुमतीय सरकारक लेल प्रधानमन्त्रीके उम्मेदबारबारे विवाद भेल अछि ।

सहमतीय सरकारक लेल वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवाके प्रधानमन्त्रीके उम्मेदबार बनौने कांग्रेसमे बहुमतीय सरकारक प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवारमे संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल दावी कएलनि अछि । पौडेलके दावीबाद आइ बैसल कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिके बैसारमे सहमतीय सरकारक लेल वरिष्ठ नेता देउवाके प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवार बनाबयके निर्णय केलक अछि ।

विवाद मिलाबय केन्द्रीय समितिक बैसार रोकि कऽ सभापति सुशील कोइराला सहितक शीर्ष नेतासबबिच सहमतिके प्रयास होइतो देउवा आ पौडेल अपन जिद नहि छोडलाबाद कोनो सहमति होबय नहि सकल । ओकरबाद बैसल केन्द्रीय समितिके बैसारमे सभापति कोइराला सहमतीय सरकारक लेल वरिष्ठ नेता देउवाके प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवार बनाबयके प्रस्ताव पेश कएने छलथि । बैसारसँ सभापतिके प्रस्ताव पारित काएलगेल अछि ।

बैसारमे संसदीय दलक नेता पौडेल राष्ट्रपति देने समयसीमाभितर सहमतिके सरकारक लेल देउवाके प्रधानमन्त्री बनाबय सहयोगके लेल आग्रह कएलनि ।


सहमतिके सरकार गठन करय चीनके सुझाव


३२ साउन, काठमाडौं । चीन सहमतिके सरकार गठन कऽक शान्ति आ संविधान निर्माण करय सुझाव देलक अछि ।

नेपाल भ्रमणमे रहल चिनियाँ राष्ट्रपति हु जिन्ताओके विशेष दूत झोउ योङकाङ नेतृत्वक टोली आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँ भेट कऽ सहमतिके सरकार गठन कऽक शान्ति आ संविधान लेखनके कार्य जल्दी पूरा होए आ नेपालमे राजनीतिक स्थायित्व कायम होए से चीनक शुभेच्छा रहल बतौलनि अछि ।

चिनियाँ कम्युनिस्ट पार्टीक स्थायी समिति सदस्य समेत रहेका योङकाङ नेपालसँगके सम्बन्धके चीन बहुत महत्व देने बतौलनि । जनताके जीवनस्तर उठाबय शान्तिके आवश्यकता रहल चीनके बुझारहल कहैत नेता योङकाङ आगामी दिनमे नेपालके कोना कऽ आगु ल जाएके बिषयमे नेपाली जनताके इच्छाके चीनके सहयोग आ समर्थन रहत बतौलनि ।

जवाफमे प्रधानमन्त्री खनाल शान्ति प्रक्रिया, संविधान निर्माण आ सहमतिके सरकार गठनक लेल दलसबबीच भऽरहल सहमतिके पहलबारे जानकारी करौने प्रधानमन्त्री खनालक परराष्ट्र मामिलासम्बन्धी सल्लाहकार मिलन तुलाधर बतौलनि ।
चीनसँगके सम्बन्ध पञ्चशीलके आधारमे आधारित रहल, एक चीन नीतिप्रति नेपाल प्रतिबद्ध रहल आ नेपाली भूमिमे चीनविरोधी गतिविधि होबय नहि देबयके प्रधानमन्त्री खनाल प्रतिबद्धता जनौलनि ।

सिहदरवारमे भेल भेटमे दु देशबीचक सम्बन्ध आ आपसी हितके विषयमे बिमर्श भेल छल । भेटमे दु देशक प्रधानमन्त्रीके एक दोशर देश भ्रमणके नौता सेहो दिया दियौबल भेल छल ।

एम्हर नेपाल आ चीन सरकारबीच १ अर्ब ६७ लाख बराबरके द्विपक्षीय आर्थिक सम्झौतामे आइ हस्ताक्षर सेहो भेल अछि ।


संस्कृत विश्वविद्यालयके कुलसचिवमे उपाध्याय


३२ साउन, काठमाडौं । नेपाल संस्कृत विश्वविद्यालयके कुलसचिव पदमे जगतप्रसाद उपाध्यायके नियुक्त कएलगेल अछि ।

विश्वविद्यालयके कुलपति एवम् प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल विश्वविद्यालय ऐन २०४३ के दफा १८-१ अनुसार उपाध्यायके ४  वर्षके लेल कुलसचिव नियुक्त कएलगेल विश्वविद्यालय जनौलक अछि ।

दैलेख बडलम्जी गाविस वाड नं ६ निवासी उपाध्याय हाल वाल्मीकि विद्यापीठ काठमाडौंके प्राध्यापक छथि ।

कमला नदीमे नाव दुर्घटना एखनो आधा दर्जन ब्यक्ति बेपता


जनकपुर साउन ३२ । धनुषा आ सिरहाक सिमाना जोडएबला कमला नदीमे काल्हि सांझमे भेल नाव दुर्घटनामे परि बेपता भेल मध्ये एखनि धरिमे २ गोटेके शब मात्र भेटल अछि तऽ एखनो करीब आधा दर्जन ब्यक्ति बेपता अछि।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक अनुसार सिंग्याहि मरान आ लक्कडसँ १-१ टा सब बरामद भेल अछि। दुर्घटनाक बाद घटनास्थल पंहुचल सिरहा पुलिस -१३ गोटे आ धनुषा पुलिस ४ गोटे कऽ कऽ जम्मा १७ गोटेके उद्धार कएने छल। नावमे अन्दाजी २५-२६ आदमी सबार छल। जखनकी एखनो ६-७ आदमी बेपता अछि आ ओकरसभके खोजि कार्य जारी रहल पुलिस जनओलक अछि।
धनुषाक सिंगयाही मडान,लक्कड,खजुरी,इनर्वा एवम सिरहाक कल्याणपुर,माडर,मिर्चैया,भेडीया सहितक स्थान पर एखनो वेपत्तासभक खोजि काज जारी रहल पुलिस जनओलक अछि।पुलिसक अनुसार सिरहासँ धनुषा आएल नाव साँझमे घुरि रहल समयमे बीच नदीमे पहुँचलाक बाद नाव फाटि गेलाक कारणेँ दुर्घटना भेल छल।नावमे सवार व्यक्तिसभ खेतीके क्रममे सिरहासँ धनुषा आएल छल पुलिस जनओलक अछि। 
धनुषाक सिंग्याहि मरानके कोयलपुर घाटसँ २५ गोटे यात्रिके लऽ कऽ सिरहा तर्फ जा रहल समय नाव काल्हि साँझमे दुर्घटना भेल छल।

सिरहामे जिपक ठोक्करसँ एकटा छात्राके मृत्यू


सिरहा साउन ३२ । सिरहाक कसहामे जिपक ठोक्करसँ आई एकटा छात्राके मृत्यू भऽ गेल अछि।

पूर्वसँ पश्चिम जाऽरहल को १ च ५७५३ नम्बरक जिपक ठोकरसँ १६ वर्षक छात्रा कौशिल्या कुमारी महतोके मृत्यू भेल अछि।

चन्द्रअयोध्यापुर वार्ड नम्बर १ रहन्हिहार महतोके विधालय जा रहल समयमे जिप ठोकर देने छल । दुर्घटनामे गंभिर घायल महतोके इलाजकेलेल धरान लऽ जाति काल बाटेमे मृत्यू भेल इलाका प्रहरी कार्यालय गोलबजार जनौलक अछि।

जिपके अगिला चक्का पंचर भऽकऽ जिप अनियन्त्रित भेलाक कारणेँ दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि । जिप आ चालक इलाका प्रहरी कार्यालय गोलबजारक नियन्त्रणमे रहल  अछि ।

फोटो सँसार







facebook Page Like

  • मनोरँजन