Friday, March 11, 2011

रक्षा आ गृहमन्त्री विष्णु पौडेल : ओली


पोखरा, फागुन २७ । नेकपा एमालेक नेता केपी शर्मा ओली रक्षामन्त्री विष्णु पौडेलके गृहमन्त्रालय सेहो देल जाएत बतौलनि । रक्षा आ गृह मन्त्रालय ओहने ओहने भेलास नेता ओली पौडेलके जल्दिए दुनु मन्त्रालयके जिम्मेवारी देल जाएत बतौलनि ।
पोखरा विमानस्थलमे आइ पत्रकारसबसँग बातचित करैत नेता ओली शान्तिसुरक्षा मजबूत बनाबय प्रधानमन्त्री गृहमन्त्रालयके जिम्मा तोकय अबेर करय नै चाही बतौलनि । गृहमन्त्रालय तोकय अबेर भेलास देशके शान्तिसुरक्षाके स्थिति बिगडय लागल हुनक कहब छलनि । ओ कहलनि जे-’काठमाडौँके केन्द्रीय कारागारमे युनुस अन्सारी उपर गोली प्रहार भेनाइ नेपालक शान्तिसुरक्षाके स्थिति बिगरल सङ्केत केनाइ अछि ।’
अखुनक सरकारके कियो खसाब नै सकत बतबैत नेता ओली एमाले नेतृत्वक सरकार लडाकू समायोजन आ संविधान निर्माण करत दाबी कएलनि ।

अफ़्रीकी संघ सैन्य हस्तक्षेपके बिरुध्द


एजेन्सी, फागुन २७ । कर्नल गद्दाफ़ीके सैनिक लीबियामें विद्रोहिके बिरुध्द कतेकौ ठाममे जीत हासिल कएलक अछि ।
अफ़्रीकी संघमें शांति आ सुरक्षा सम्बन्धि आयुक्त कहलनि जे सैन्य कार्रवाहीके बजाए दुनु पक्ष बीच बातचीतक माहौल तैयार करयके कोशिश करके चाहि । अफ़्रीकी देशके दिसस आओर ठोस क़दमके ज़रूरत रहल हुनक कहब छलनि ।
ओम्हर त्रिपोलीके ज़ावियामे कतेकौ दिनस भेल बमबारीके बाद ज़ाविया गद्दाफ़ीके नियंत्रणमें चलि गेल अछि आ विद्रोही रास लानुफ़स सेहो भागय मजबुर भगेल अछि ।
रिपोर्टके अनुसार ट्रक आ कारमें सवार हज़ारों विद्रोही पूर्वदिस भागिरहल अछि आ अहिमे गद्दाफ़ीके सैनिकके बडका सफलता भेटल बताओल जा रहल अछि ।
स्थितिके देखैत अमरीकाके सबस वरिष्ठ ख़ुफ़िया अधिकारी लीबियामें विद्रोहीके जीतनाइ मुश्किल हाएत बतौलक अछि ।
राष्ट्रपति बराक ओबामाके ख़ुफ़िया सलाहकार जनरल जेम्स क्लैपर कहलनि जे अन्तमे कर्नल मुअम्मार ग़द्दाफ़ीए जीतत कियाक त हुनका लग सैनिक निक स प्रशिक्षित अछि आ हुनका आधुनिक हथियार अछि ।

खेलकुद समाचार

I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत भारतक चन्डीगढ स्थित मोहालीमे भ रहल वेस्ट इन्डिज आ आयरलैण्ड बिचक खेलमे वेस्ट इन्डिज आयरलैण्ड समक्ष जितयके लेल २७६ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
आयरलैण्ड टस जित कऽ फिल्डिङ करके निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल वेस्ट इन्डिज १० बिकेटक क्षतिमे २७५ रन बनौलक अछि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल आयरलैण्ड टिम समाचार तयार करयधरि,,,,,,,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर
I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत एखनि भ रहल ईँगलैण्ड आ बँगलादेस बिचक खेलमे बँगलादेस टस जित कऽ फिल्डिङ करके निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल ईँगलैण्ड समाचार तयार करयधरि,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।

जापानमे भूकम्पके बाद सुनामी, आपतकालके घोषणा


टोक्यो, फागुन २७ । जापानके मियागी क्षेत्रमे आई बेरियामे आएल ८ दशमलब ४ रिक्टरके भूकम्पके बाद उत्तरपूर्वी प्यासिफिक क्षेत्रमे सुनामी आएल अछि ।

मियागीके तटीय क्षेत्रमे करिव ७ मिटर ऊँच सुनामी आएल अछि । जापानके एनएचके टेलिभिजन घरसब दहारहल आ मियागी क्षेत्रके घरके बासीसब उजर कपडा देखबैत उद्दारके लेल आह्वान क रहल दृष्य देखौलक अछि । बिभिन्न स्थानमे अगिलगि भरहल अछि त घरसब दहारहल अछि ।
रेल, बिमानस्थल, संचार उपकरण अबरुद्ध भेल अछि त बिभिन्न ठाममे ल्याण्डलाइन आ मोवाइल समेत अबरुद्ध भेल अछि । आइ बेरियाके २ बाजिक ४६ मिनेटके समयमे बडका भूकम्पके धक्का महसुस कएलगेल अछि । फुकुसिमा क्षेत्र पुरे तहसनहस भेल देखाओलगेल अछि ।
जापानसँगै फिलिपिन्समे सेहो सुनामीके चेतावनी देलगेल अछि । चीनके बेइजिङ सहितक क्षेत्रमे सेहो भूकम्पके धक्का महसुस कएलगेल छल ।
अहिवीच जापानके प्रधानमन्त्री आपतकालीन अबस्थाके घोषणा केलनि अछि । प्रधानमन्त्री नायाटो कान क्षति न्यूनिकरण आ उद्धारमे सरकार लागल कहैत एक दोसरके सहयोग करय आहृवान कएलनि ।

सरकार असफल भेल पुष्टि : पौडेल


काठमाडौं, फागुन २७ । नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल केन्द्रीय कारागार भितर देखलगेल सुरक्षा कमजोरीस वर्तमान सरकार असफल भचुकल पुष्टि भेल दावी कएलनि अछि ।
सिंहदरबारमे आइ भिन्सर संचारकर्मीसबसँग बातचित करैत नेता पौडेल कारागार गोलीकाण्डस विश्वमै नेपालके छवि खराब भेल बतौलनि ।
अहिना, भरतपुरस्थित वीपी कोइराला मेमोरियल क्यान्सर अस्पतालक कार्यकारी निर्देशक विवादबारे सेहो पौडेल चाँखि रखने छलथि । नवनियुक्त कार्यकारी अध्यक्ष लक्ष्मीनारायण सिंहके माओवादी समर्थित स्वास्थ्यकर्मी काम करय अवरोध पहुँचौनेप्रति गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल पौडेल बतौलनि । ओ माओवादीके ओ कृयाकलापस सहमतीय राजनीतिमे समेत असर परय सकत कहैत ओइप्रति सचेत होबय माओवादीस आग्रह कएलनि ।

खेलकुद समाचार

फागुन २७ ।I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत भारतक चन्डीगढ स्थित मोहालीमे भ रहल वेस्ट इन्डिज आ आयरलैण्ड बिचक खेलमे वेस्ट इन्डिज आयरलैण्ड समक्ष जितयके लेल २७६ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
आयरलैण्ड टस जित कऽ फिल्डिङ करके निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल वेस्ट इन्डिज १० बिकेटक क्षतिमे २७५ रन बनौलक अछि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल आयरलैण्ड टिम समाचार तयार करयधरि,,,,,,,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।

सुशील केलनि कार्टरसँग उपराग : माओवादी-एमाले इमान्दार नै भेल


काठमाडौं, फागुन २७ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेकपा एमाले शान्ति आ संविधानमे प्रतिवद्धता जनबितो ओकर कार्यान्वयनमे अबेर केने कहैत असन्तुष्टि जनौलनि अछि ।
कार्टर सेन्टरके संस्थापक तथा अमेरिकी पूर्वराष्ट्रपति जिम्मी कार्टरसँग आइ भिन्सर भेल टेलिफोन बार्तामे सभापति कोइराला सत्तारुढ दु दल माओवादी आ एमाले शान्ति आ संविधानमे व्यवहारीक रुपमे इमान्दार नै देखयमे आएल आरोप लगौलनि । ओ शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचाब कांग्रेस हदैधरि सहयोग करहल दावीसमेत कएलनि ।
‘माओवादी आ एमालेके बोली एकटा आ व्यवहार दोसरे अछि । ओकरसबहक पछिला गतिविधिस शान्ति आ संविधानप्रतिके प्रतिबद्धतामे विश्वस्त होबय नै सकिरहल छी,’ सभापति कोइराला भिन्सर कार्टरसँग केने बातचितमे कहलनि ।
ओ शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबय दु सत्तारुढ दल माओवादी आ एमालेके दवाव देबय सेहो कार्टरस आग्रह कएलनि । कांग्रेस सभापति कोइराला लोकतन्त्रके आधारभुत मान्यतासँग कोनो हालतमे सम्झौता नै करब बतबैत प्रजातन्त्रके बचाबय लेल लडैत रहब बतौलनि ।

बालु खानीके कारबाहीके चेतावनी

भक्तपुर, फागुन २७ । जिल्ला विकास समिति भक्तपुर भक्तपुरमे सञ्चालित ४ टा बालु खानिके कारबाही करय खानि विभागके सिफारिस केलक अछि । खानी सञ्चालन करैत काल लागू करयके सर्त पालना नै केने कहैत ओकरासबके कारबाही करय लागल स्थानीय विकास अधिकारी प्रभा पाण्डे बतौलिह ।
जिविसके अनुसार दुवाकोटके निलबाराही सप्लायर्स, जिवनकुमार मल्लके खानि, एसएस इन्टरप्राइजेज आ चाँगुके मिठुराम गेलालके खानिके कारबाही करय सिफारिस केलक अछि ।
नियमविपरीत सञ्चालित खानि विरुद्ध खनिज पदार्थ ऐन २०४२ के दफा २५ अनुसार कारबाही हाएत खानी विभाग जनौलक अछि । इ दफाके दण्ड सजायमे कियो अइ ऐनबमोजिम खनिज कार्य करयबला अनुमति नै ल उत्खनन् केने भेटला पर बन्द क प्रयोग केने यन्त्र, उपकरण, औजार आ मालसामान तथा अनधिकृत तरिकास उत्खनन् केने खनिज पदार्थ समेत जफ्त करयके सँगहि ओहन व्यक्तिके एक लाख रुपैयाँधरि जरिवाना करय सकयके व्यवस्था अछि ।
जिविस फागुन मसान्तधरि खानि व्यवस्थापन करय समय देलक अछि । नहि त खानि रद्द करयके जिविस चेतावनी देलक अछि ।

खेलकुद समाचार

फागुन २७ । I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत एखनि भ रहल वेस्ट इन्डिज आ आयरलैण्ड बिचक खेलमे आयरलैण्ड टस जित कऽ फिल्डिङ करके निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल वेस्ट इन्डिज समाचार तयार करयधरि,,,,,,,,,,४३,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,५,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,२२२,,,,,,,,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।

मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ कंचनबनमे

जनकपुर, फागुन २७ । फागुन २० गतेसँ शुरू भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ कंचनबन पहुँचल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक अमाबस्या तिथिसँ प्रारम्भ भेल ई माध्यमिक परिक्रमाके शुरूवात श्री मिथिला बिहारी जीके डोला कचुरीसँ प्रस्थान कऽ जनकपुर आनि कऽ शुरू कएलगेल छल । जनकपुरक हनुमान गढीमे एकत्रित भेल बिभिन्न मठ मन्दिर तथा कुटीसँ निकलल राम जानकीक डोलासभ भारतक कल्णा, फुलहर, मटिहानी, जलेश्वर, मडैई, ध्रुबकुण्ड होइत आइ हरिणमरि स्थित कंचनबन पहुँचल अछि। जाहीठामसँ बिधिबत रूपमे रामजी खेल्ने रङ, अबिरक कारण होलीक बिधिबत रुपमे शुरूवात भेल मानल जाइत अछि आ आजुके दिन कँचनबनमे रङ अबिर लगाक परिक्रमाबासीसब होलिके शुरुवात करत ।
आइ रातिमे ओइठाम बिश्राम केलाबाद परिक्रमा फेउर काँल्हि पर्वताके लेल प्रस्थान करत । तहिना २९ गते धनुषाधाम , ३० गते सतोषरमे डोलाके परिक्रमा करबैत बिश्राम कराओल जाएत । अहिना, चैत १ गते औरही, २ गते करूणा, ३ गते फेउर कल्णा होइत बिसौलमे बिश्राम करत । ओकरबाद ४ गते जनकपुर पहुचलाक बाद ५ गते भिन्सरमे जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा कऽ परिक्रमाके समापन कएल जाएत।
अहि परिक्रमामे नेपाल भारतक दुर दुरसँ आएल साधु सन्त तथा श्रद्बालु भक्तजनसभहक पैंग सँख्यामे सहभागीता रहैत अछि तऽ ठाम ठाममे बिभिन्न क्लब सभ निशुल्क भोजन तथा आबासके ब्यबस्था सेहो कएने अछि । बिश्राम स्थल प मेला सेहो लगैत अछि जतय दुर दुरस गामक लोकसब मेला देखय अबैत अछि ।

महोतरीमे बस दुर्घटना, ३ के मृत्य, ३ दर्जनस बेसी गोटे घाइल

महोतरी, फागुन २७ । जलेश्वर बर्दिबास सडक खण्ड अन्तर्गत महोतरीक सरपल्लोस्थित बस दुर्घटना भेलास ३ गोटेके मृत्यु भेल अछि त ३ दर्जनस बेसी गोटे घाइल भेल अछि ।
जलेश्वरस बर्दिबासदिस जा रहल ज १ ख ५८९ नम्बरक यात्रुबाहक बस सरपल्लो स्थित आइ दुर्घटना भेलास ओइमे सवार ३ गोटेके मृत्यु भेल अछि त ३ दर्जनस बेसी गोटे घाइल भेल अछि । जाहिमेस ७ गोटेके अबस्था चिन्ताजनक रहल अस्पाल श्रोत जनौलक अछि ।
मृत्यु होबयबलामे डाम्ही मडै ९ रानी रतबाराके ४० बर्षक लक्ष्मेश्वर पाण्डे, खैरबन्नी ९ के २७ बर्षक देबेन्द्र यादब आ हलखोरी ८ चकबाके कमलेश यादब रहल अछि ।
तहिना, घाइल भेलसबमे सरपल्लोके चौधरी मण्डल, कोल्हुवा बहेडाके अमलेश कुमारी यादब, कौल्हुवाके मैनुध्दिन खातुन आ महादेबपटटिके शान्ति देबीके अबस्था गँभीर रहल जिल्ला अस्पताल जलेश्वर जनौलक अछि ।
घाइलसबके इलाजक लेल जलेश्वर, जनकपुर आ बर्दिबास अस्पतालमे भर्ना कराओल गेल पुलिस जनौलक अछि ।
दुर्घटनामे परि घाइल होबयबलामे महोत्तरी पिपरा- ९ के विन्दा मण्डल, जलेश्वर नगरपालिका-३ के देवतारा देवी, जलेश्वरनगर पालिका - ५ के सुनिता श्रेष्ठ, जलेश्वर-३ के सुनिता देवी, पिपरा- ८ के सन्तोष खत्वे, बारा कलैया-४ के महम्मद आसीन, जलेश्वर-६ के ववुनी देवी रहल अछि । अहिना, रामगोपालपुर-९ के सराफुल धोवी, वायह ठमक मैमुन खातुन, सरपल्लो के सिसावती देवी, भारत सुरसण्ड के शान्ति देवी पासमान सहितक रहल अछि । ओकरसबहक इलाज जिल्ला अस्पताल जलेश्वरमे भरहल अछि ।
घाइलसबके जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी आ सिमा सशस्त्र प्रहरी बल जलेश्वरस गेल संयुक्त टोली उद्धार केने छल ।
दोसर बसके साइड देबयकाल सडकस निचा खसिक दुर्घटना भेल बताओलगेल अछि । बस ३ पल्टा खेने कारण बसक छत प चढलमेस ३ के मृत्यु भेल अछि । बसके चालक फरार अछि त बस पुलिसक नियन्त्रणमे रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन