Sunday, September 04, 2011

दुर्घटनामे ४ गोटेके घटनास्थलेमे मृत्यु


धादिङ, भादव १८ । धादिङके कल्लेरी गाविस वाड नम्बर १ रामकुवास्थित ग्रामीण सडकमे मिनिट्रक उनटलासँ ४ गोटेके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि ।

कल्लेरीसँ खाल्टे गाविस दिस जाऽरहल ना १ ग ३३८ नम्बरक मिनिट्रक एकाएक अनियन्त्रित भऽ सडकसँ एक सय मिटर निचा खसि कऽ दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि । दुर्घटनामे परि तीन महिला आ एक बालक सहित ४ गोटेके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल इलाका प्रहरी कार्यालय गजुरीके प्रहरी निरीक्षक बलबहादुर बोगटी जानकारी देलनि । दुर्घटनामे परि करिब १ दर्जन ब्यक्ति घाइल सेहो भेल बताओल गेल अछि ।


माओवादी आ मोर्चाक १३ मन्त्री शपथ लेलक, भण्डारी सहित ४ गोटे अनुपस्थित


काठमाडौं, भादव १८ । माओवादी आ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाके १३ मन्त्री आइ साँझ शपथ लेलनि अछि । जाहि मेसँ माओवादीक ६ आ मोर्चाक ७ मन्त्री शपथ लेलनि अछि ।

राष्ट्रपति रामवरण यादवक उपस्थितिमे प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई शीतल निवासमे नयाँ मन्त्रीके पद तथा गोपनियताके शपथ ग्रहण करौलनि अछि । भादव ११ गते मधेसी मोर्चाके समर्थनमे प्रधानमन्त्रीमे निर्वाचित भेल  भट्टराई दोसर दिन अपनाबाद मोर्चाके दिससँ विजयकुमार गच्छदारके उपप्रधान एवं गृहमन्त्रीके शपथ खुवौने छलथि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठके उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्रीमे शपथ करौलनि अछि  । बरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य समूह चाबी प्रकरण समाधान नहि होबयधरि सरकारमे सहभागी नहि होबयके अडान लेलाबाद श्रेष्ठ प्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्रीमे नियुक्त भेल छथि । अइ मन्त्रालयके लेल वैद्य निकट सीपी गजुरेलक नाम अहिस आगु  तय कएल गेल छल ।

अहिना ऊर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी, स्थानीय विकाश मन्त्रीमे टोपबहादुर रायमाझी, अर्थमन्त्रीमे वर्षमान पुन, भूमिसुधार मन्त्रीमे प्रभू शाह आ युवा तथा खेलकुद मन्त्रीमे कमला रोका शपथ लेलनि अछि ।

तहिना मधेसी मोर्चाके दिससँ सूचना तथा सञ्चार मन्त्रीमे जयप्रकाश प्रसाद गुप्ता, भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रीमे हृदयेष त्रिपाठी, सिँचाइ मन्त्रीमे महेन्द्र राय यादव शपथ लेलनि अछि । अहिना वन मन्त्रीमे मो. वकील मुसलमान, कृषिमे नन्दन कुमार दत्त, स्वास्थ्य मन्त्रीमे राजेन्द्र महतो आ विना विभागीय मन्त्रीमे राजलाल यादव शपथ लेलनि अछि ।

एम्हर फोरम लोकतान्त्रिकसँ रक्षा मन्त्रीमे सिफारिस कएलगेल शरतसिंह भण्डारी आ वातावरण मन्त्रीमे सिफारिस निलम बर्मा शपथ नहि लेलिह अछि ।

तहिना कानुन मन्त्रीमे सिफारिस तमलोपा नेपालक जितेन्द्र सोनल आ महिला तथा बालबालिका मन्त्रीमे सिफारिस तमलोपा नेपालक दानबहादुर चौधरी शपथ नहि लेलनि अछि ।

आब विस्तारित मन्त्रिमण्डल १५ सदस्यीय भेल अछि ।


मंहगाई पऽ इसराइलमें भारी विरोध प्रदर्शन


इसराइल, भादव १८ । बढ़ैत मंहगाईके लऽ पूरा इसराइलके अलग-अलग शहरमें आइ बिरोध प्रदर्शन कएल गेल अछि । करिब ४ लाख जनता एकेठाम सहभागी भऽ व्यापक विरोध प्रदर्शन केलक अछि ।

 तेल अवीवमें सबसँ पैघ रैली निकालल गेल छल जतय २ महीना पहिने विरोध प्रदर्शनके शुरुवात कएल गेल छल । अवीवके अलावा येरूशलम आ आरो कतेकौ शहरमें सेहो प्रदर्शन कएल गेल अछि ।

प्रदर्शनकारीसब सस्ता दाममे घर, करमें कटौती, स्वास्थ्य सुविधा आ आम जनताके निःशुल्क शिक्षा देबयके  माँग कऽ रहल अछि ।

गद्दाफ़ीके गढ़में पैसल सैन्य दल


लिबिया, भादव १८ । लीबियामें राष्ट्रीय अंतरिम परिषदके सैयो सैनिक कर्नल गद्दाफ़ीके गढ़ वाला इलाका दिस आगु बढ़ि रहल अछि ।

गद्दाफ़ीके समर्थकके गढ़ मानल जाएबला बानी वालिद शहरमें ३ दिससँ लड़ाकु प्रबेश केने अछि आ समर्थकसबसँ कहल गेल अछि जे कि त ओ आत्मसमर्पण करें या हमलाके लेल तैयार रहें ।

बिषेश सुत्रके अनुसार गद्दाफ़ीके परिवारक सदस्य अखनो अइ शहरमें भऽ सकैत अछि । मुदा गद्दाफ़ीके बारेमें अखनधरि कोनो जानकारी नहि भेटय सकल अछि ।

अहिबिच अंतरिम परिषदक प्रमुख मुस्तफ़ा अब्दल जलील बतौलनि जे अइ शहरमे मानवीय सहयोग देल जाऽ रहल अछि आ लीबियामें पुनर्स्थापन तथा सुरक्षा प्रदान करयके प्रक्रिया शुरु भऽ चुकल अछि ।

यात्रुबाहक बस नदीमें खसलासँ ४० सँ बेसीके मृत्यु


देहरादुन, भादव १८ । देहरादूनसँ क़रीब डेढ़ सय किलोमीटर दूर त्यूणी तहसील लग भेल बस दुर्घटनामें ४० गोटेसँ बेसीके मृत्यु भेल अछि ।

आइ सबेरे १० बजे बस त्यूणीसँ देहरादून जाऽरहल समय ओ दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।

पुलिसक अनुसार १८ गोटेके लाश बरामद भेल अछि तऽ १९ गोटेके घाइल अबस्थामे सुरक्षित बचाओल गेल अछि । जाहि मेसँ बहुतोके अबस्था चिन्ता जनक अछि तऽ २३ गोटे अखनो बेपता अछि । मरयबलाके सँख्या आओर बढय सकयके अनुमान कएल गेल अछि ।

प्रत्यक्षदर्शियोंके अनुसार यात्रुबाहक बस एकटा मोड पर घुमाबय काल असंतुलन भऽ १५० फीट नीचा बहैत नदीमें खसल छल ।
मुख्यमंत्री रमेश पोखरियाल निशंक  मरयबला परिवारके 1-1 लाख रूपया देबयके घोषणा केलनि अछि ।


सुरक्षामे अन्ना


दिल्ली, भादव १८ । दिल्लीके रामलीला मैंदान पर अनशन कऽ  अपन गाँव रालेगण सिद्धि घुरल अन्ना हज़ारेके जेड श्रेणीके सुरक्षा ब्यबस्था देल गेल अछि ।

मुदा अन्ना जेड श्रेणीके सुरक्षा लेबयसँ पहिने किछ शर्त रखने छलथि । हुनकर शर्तमे सुरक्षाकर्मीके बिना हथियार रहयके आ लगातार सँगे नहि रहयके छल ।

अन्‍नाके सुरक्षामें ४ टा सशस्त्र सुरक्षाकर्मी आ २ टा निजी सुरक्षा अधिकारी चौबीसो घंटा खटल रहत ।

अहिसँ पहिने अन्नाके सुरक्षाक लेल सादा पोशाकमे २ गोटे सशस्त्र पुलिसकर्मीके लगाओलगेल छल ।


नमुना गृहमन्त्री भऽक देखादेबः गृहमन्त्री गच्छदार


१८ भादव, काठमाडौं । उपप्रधान एवं गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार अपने देशके नमुना गृहमन्त्री भऽक देखाबयके दावी कएलनि अछि ।

आइ मन्त्रालयमे सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत गच्छदार गृह प्रशासनके चुस्त, दुरुस्त आ भ्रष्टाचार मुक्त बनाबयके प्रतिबद्धता जनौलनि ।

पुलिस प्रशासनभितर भऽरहल कोनो हस्तक्षेप अपनाके सहन नहि हाएत कहैत ओ गृह प्रशासनके राजनीतिक हस्तक्षेपसँ पूर्ण रुपमे मुक्त बनाएब बतौलनि । अपने कहियो राजनीतिक हस्तक्षेप नहि करबा आ अन्य करयबला  हस्तक्षेप सेहो मान्य नहि हाएत हुनक कहब छलनि ।

शान्ति सुरक्षा कायम करय पुलिसके चौबिसो घण्टा परिचालन कएल जाएत कहैत गृहमन्त्री गच्छदार जल्दिए देशके शान्ति सुरक्षा सम्बन्धी कार्ययोजना सार्वजनिक करयके जानकारी देलनि । ओ पुलिस सेवाके निष्पक्ष बनाबय प्रहरी सेवा आयोगके निष्पक्ष बनाएब बतौलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन