Tuesday, July 19, 2011

मजदुरसबद्धारा उद्योग बन्दसहितक आन्दोलनके घोषणा

३ साउन, काठमाडौं ।
विभिन्न १० टा मजदुर संगठन राजपत्रमे प्रकाशित न्युनतम पारिश्रमिक तथा भत्ताके माँग करैत उद्योग प्रतिष्ठानसब अनिश्चितकालक लेल बन्द करयके कार्यक्रमसब  सार्वजनिक केलक अछि ।

माओवादी मजदुरके बद्री बजगाई आ लालध्वज नेम्वाङ् समूह, मधेशी टे्रड युनियन फोरम, नेपाल समावेशी टे्रड युनियन सहितक १० टा मजदूर समूह आन्दोलनके घोषणा केलक अछि ।

घोषित कार्यक्रममे साउन ५ गते उद्योग प्रतिष्ठानमे कारी झण्डा राखि हातमे कारी पट्टी बान्हयके, ६ गते प्रतिषठानक गेटमे सभा करयके, १० गते उद्योग वाणिज्य संघक कार्यालयसबमे १ बजेस २ बजेधरि १ घण्टा धर्ना देबयके आ ११ गते अपने कार्यरत प्रतिष्ठानमे धर्ना देबय सहितक रहल अछि । अहिना, ओसब साउन १५ गतेसँ अनिश्चितकालीन उद्योग प्रतिष्ठान बन्द करयके घोषणा केलक अछि ।

१० टा मजदूर समूह टे्रड युनियन, नेपाल उद्योग विणज्य महासंघ, नेपाल उद्योग परिसंघक प्रतिनिधि समेतके उपस्थितिमे न्युनतम वेतन निर्धारण करयके अधिकार श्रम तथा यातायात व्यवस्था मन्त्रालयके देबयके सहमतिके बाद सरकार राजपत्रमे प्रकाशित न्युनतम पारिश्रमिक तथा भत्ता नहि देबय आ नहि दियाबअ उद्योग वाणिज्य महासंघ केने परिपत्रके विरोध केने अछि ।

नायिका अपेक्षा सिग्देल

नायिका अपेक्षा सिग्देल

संसदीय दलक नेता परिवर्तन करयके माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल दावी

३ साउन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल जारी केन्द्रीय समितिक बैसारसँ संसदीय दलक नेता परिवर्तन करयके दावी कयलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सचिव गजुरेल अध्यक्ष बाहेकके ६ गोटे पदाधिकारीसँ संसदीय दलक नेता बनत बतौलनि ।

उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराईके सम्भावना प्रवल रहल कहैत ओ दलक नेता  प्रधानमन्त्री बनत स्पष्ट कयलनि । जारी केन्द्रीय समिति बैसारक मुख्य एजेण्डा  कार्यविभाजन भेल उल्लेख करैत गजुरेल बैसारसँ सरकार आ संसदके जिम्मेवारी पुरा केलाबादे बाँकी नेतासबके लेल संगठन, अन्तर्राष्ट्रिय आ लडाकूके जिम्मेवारी देल जाएत बतौलनि ।

अखन पार्टीभितर सब जिम्मेवारी अध्यक्षमे मात्रे निहीत रहलास निर्णयसब कार्यान्वयन होबय नहि सकल कहैत ओ मुख्य नेतासबके उचित जिम्मेवारी देल जाएत दावी केलनि ।

माओवादी आ एमालेबीच भेल सातबुँदे सहमतिमे फेराफेरी करयके उल्लेख रहल कहैत ओ भादव १४ गतेबाद प्रधानमन्त्री राजीनामा देत स्पष्ट केलनि ।

जेल तोडि क भागल पक्राउ

लहान, श्रावण ३ । ४ वर्ष आगु सिरहा जेल तोडि क भागल फरार अभियुक्तके पुलिस आइ सिरहाके धनगढी बजारसँ गिरफ्तार केलक अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक एसपी विकास श्रेष्ठक अनुसार सिरहा धनगढी-७ के ललिया रामके गिरफ्तार कयलगेल अछि । ललिया हातहतियार तथा खरखजाना ऐन अन्तर्गत सिरहा जेलमे छल । सुराकीके आधारमे गिरफ्तार करय सफल भेल सिरहाक एसपी विकास श्रेष्ठ जानकारी देलनि । २०६५ साउन २९ गते सिरहा जेल तोडि क  ५२ कैदी भागल छल ।

माओवादीक अध्यक्ष दाहाल आ कांग्रेस सभापति कोइरालावीच पाँच बुँदे सहमति

साउन ३ । एकीकृत माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालावीच पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयन क शान्ति आ संविधानक बिषयके निश्कर्षमे पहुँचाबयके सहमति भेल अछि ।


 कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालाके महाराजगञ्जस्थित निवासमे आइ भेल भेटबार्तामे पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयन करय एकीकृत माओवादी आ कांग्रेसवीच आन्तरिक परार्मशके तिव्र बनाबयके सहमति भेल अछि । दु पार्टीवीच शान्ति आ संविधान तथा पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे सहमति हाएत त अन्य दलसंग सेहो परार्मश क क आगु बढयके सहमति भेल अछि ।

 भेटबार्तामे सहभागी कांग्रेस उपसभापति रामचन्द्र पौडेल सभापति कोइराला पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालके आग्रह केने जानकारी देलनि । ओ ५ बँदे सहमति कार्यान्वयन हाएत त शान्ति आ संविधानके बिषय निष्कर्षमे पहुँचाबय सहज हाएत सभापति कोइराला बतौलनि ।

 अहिना, भेटमे सभापति कोइराला माओवादी भितरके अन्तरविरोधक कारण शान्ति आ संविधानके असर पहुँचल कहैत राजनीतिक निकासक लेल गम्भीर होबय अध्यक्ष दाहालसंग आग्रह केलनि अछि । जवाफमे अध्यक्ष दाहाल जल्दिए पार्टी भितरके आन्तरीक बिवाद समाधान करय अपने लागब बतौने उपसभापति पौडेल जानकारी करौलनि ।

 अध्यक्ष दाहाल आ सभापति कोइरालावीच सरकारक कामकारबाही, माओवादी मन्त्रीसब हेरफेर करय लागल बिषयमे समेत बिमर्श भेल अछि । भेटमे माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल, कांग्रेस सभपाति सुशील कोइराला, उपसभापति रामचन्द्र पौडेल आ महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौलाके सहभागीता रहल छल । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य आ डाक्टर बावुराम भट्टराईके आमन्त्रण करितो भेटमे अनुपस्थित छलथि । 

बर्तमान सरकार ल्यौने नीति तथा कार्यक्रम आ बजेटसँ देशके नयाँ दिशा देबय नहि सकत ....ओली

साउन ३ । 
एमाले नेता केपी शर्मा ओली बर्तमान सरकार ल्यौने नीति तथा कार्यक्रम आ बजेटसँ देशके नयाँ दिशा देबय नहि सकत बतौलनि अछि । सरकार अपने जेहन बजेट ल्यौने कहैत ओ बितरणमुखि बजेट सरकार टिकाबयलेल लाओलगेल बतौलनि ।

आइ भिन्सर नेपालगन्जके राँझा बिमानस्थलमे पत्रकारसबसँ बातचित करैत नेता ओली इ बतौलनि अछि  । जेहन सरकार तेहने निराशाजनक बजेट रहल टिप्पणी करैत  एमाले नेता ओली कहलनि- नीति आ कार्यक्रम सेहो तेहने अछि । 

 प्रधानमन्त्रि राजीनामा देब कहि क सदनमे प्रतिबद्धता जनौलाबादो राजीनामा नहि देबयके संसद प्रतिके अपमान भेल हुनक कहब छलनि ।

ओ राजनीतिक दलसबबीच भेल सहमति कार्यान्वयन नहि भेलाक कारण भादव १४ भितर शान्ति आ संविधान निर्माणक काजसब सम्पन्न होबय  नहि सकत बतौलनि अछि । 

 उनले बिगतमा भएका सहमति जस्तै जेठ १४ गते भएको ५ बुँदे सहमति कार्यान्वयन नगरिएका कारण शान्ति प्रक्रिया निष्कर्षमा पुग्न र संबिधान निमार्ण कार्यमा समस्या भएको बताए ।

 दक्षिणपन्थी अतिवादमा मुलुक कुनैपनि अवस्थामा नजाने भन्दै उनले उग्रबामपन्थले मुलुकलाई दुख दिएको बताए । तर, नेपालीहरु अतिवाद कुनै पनि हालतमा स्वीकार नगर्ने उनको भनाई थियो ।

पर्शुराम बस्नेतके पूर्वाग्रही ढंगसँ फेउर फसाँबयके षडयन्त्रमे

साउन ३ । नेकपा एमाले सम्वद्ध यूवा संघक अध्यक्ष महेश बस्नेत विराटगनगरके पत्रकार खिलानाथ ढकाल उपर आक्रमणके घटनाके मुख्य आरोपी पर्शुराम बस्नेतके पूर्वाग्रही ढंगसँ फेउर फसाँबयके षडयन्त्रमे गृहमन्त्रालय लगलासँ अदालतमे नहि बुझाओलगेल बतौलनि अछि ।


संघक स्थायी कमिटिके निर्णय सार्वजनिक करय आइ राजधानीमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे बजैत ओ मोरङ अदालतमे भेल घटनामे संलग्न २९ गोटे एमाले कार्यकर्ताविरुद्ध सार्वजनिक अपराधमे मुद्दा दायर भेलासँ ओइके उन्टा क ज्यान मार्ने उद्योगमे चलौलास गृहमन्त्रालय पर्शुरामके फँसाबयके योजनमे रहल पुष्टि भेल बतौलक अछि ।

अहिस आगु ओ पर्शुरामके पुलिसमे नहि भ अदालतमे बुझाबयके बतबैत आएल छल । मुदा, ओ अदालत देने ७० दिनक समय सीमा भितर पर्शुरामके अदालतमे हाजिर कराएब बतौलनि । ओ पर्शुराम बस्नेत अदालतमे भेल आक्रमण आ पत्रकार आक्रमण दुनु घटनामे संलग्न नहि रहल दावी सेहो केलक अछि ।

अर्थ मन्त्रालय घेरय पहुँचल १ सय ४ निजामती कर्मचारी पुलिसक नियन्त्रणमे

साउन ३ । कर्मचारीके तलव वृद्धिमे पक्षपात कयलगेल कहैत अर्थ मन्त्रालय घेरय पहुँचल १ सय ४  निजामती कर्मचारीके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

मुदा, कर्मचारी अपन ३ सयसँ बेसी सहकर्मीके गिरफ्तार कयलगेल दाबी केलक अछि ।

अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारीद्वारा ३१ असारमे व्यवथापिका संसदमे प्रस्तुत बजेटमे कर्मचारीके केने तवल वद्धिमे निचला आ उपरका कर्मचारीके फरक व्यवहार केने कहैत विरोधस्वरुप ओसब अर्थ मन्त्रालयमे धर्ना देलक अछि । अहिस आगु कर्मचारी रबिदिन दु आ सोमदिन तीन घण्टा घर्ना देने छल । सरकार बजेटमे उपरका तहके कमर्चारीके ३० आ निचला तहके तलब ४३.८६ प्रतिशत बढैबतो कर्मचारी तलब नहि पहुँचल कहैत अर्थ मन्त्रालयमे धर्ना देलक अछि ।

गिरफ्तार कयलगेल सबके महानगरीय प्रहरी सहायता कार्यदल प्रदर्शनी मार्गमे राखलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन