Thursday, October 06, 2011

दशमीक बाद सेना समायोजन पुरा हाएतः अर्थमन्त्री पुन


१९ आसिन,रोल्पा । अर्थमन्त्री वर्षमान पुन अनन्त दशमीके बादे सेना समायोजन प्रक्रिया पुरा होबयके सम्भावना बढल बतौलनि अछि ।

दशमीक अवसरमे गृह जिल्ला रोल्पा पहुँचल मन्त्री पुन स्थानीय सञ्चारकर्मीसँगके बातचितमे काग्रेस, एमाले आ मधेवादी दलसबसँग नम्र्स, मोडालिटि, संख्या आ प्याकेजमे जाएबलासबहक बारेमे सहमति भऽ चुकल बतबैत दशमीके बादे रिगु्रपिङ करयके तयारी भेल जानकारी देलनि । ७ हजारसँ ८ हजार लडाकु नेपाली सेनामे समायोजन करयके सहमति भेल खुलासा करैत मन्त्री पुन पुनस्र्थापनामे जाएबला लडाकुसबके ७ सँ १० लाखधरि राहत देबयके तयारी भऽ रहल  जानकारी देलनि ।

माओवादी स्थायी समति सदस्यसमेत रहल मन्त्री पुन समायोजनमे जाएबला लडाकुसबहक वैवाहिक अवस्था, उमेर आ शैक्षिक अवस्था तथा स्वैच्छिक अवकाशके बारेमे सेहो दलसब सहमति नजदिक पहुँचल बतौलनि ।

एकटा दोसर प्रसङ्गमे मन्त्री पुन पार्टीभितर अन्तरविरोध बढल स्वीकार करैत बहससँ पार्टी नहि फुटत बतौलनि ।
वर्तमान सरकार संविधान निर्माण कऽ नयाँ निर्वाचन कराओत दाबी करैत मन्त्री पुन बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकार असफल हाएत तऽ आब बनयबला कोनो सरकार शान्ति आ संविधानके तार्किक निष्कर्षमे पहुँचाबय नहि सकत  ठोकुवा कएलनि ।

राष्ट्रपति, उपराष्ट्रपति, प्रधानमन्त्री आ दलक नेतासबसँ दशमीक शुभकामना


१९ आसिन, काठमाडौँ । हिन्दुसबहक पावनि दशमीक अवसरमे राष्ट्रपति डा.रामवरण यादव, उपराष्ट्रपति परमानन्द झा, प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आ माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड सहितक विभिन्न राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासब शुभकामना व्यक्त केलनि अछि ।

राष्ट्रपति यादव विजया दशमीक अवसरमे नवदुर्गा भवानी समयेमे शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणकार्यके पुरा कऽ देशमे स्थायित्व प्राप्त करयके शक्ति देओ से कामना केलनि अछि ।

अहिना उपराष्ट्रपति परमानन्द झा दशमीक अवसरमे स्वदेश तथा विदेशमे रहल नेपालीसबमे एकताबद्ध भऽ कऽ आगु बढयके प्रेरणा मिलेय से कामना कएलनि अछि । शान्ति संविधान आ समृद्धि आजुक आवश्यकता रहलमे जोड दैत सहमति, सहकार्य आ एकताक आधारमे आगु बढय दलसबसँ उपराष्ट्रपति आग्रह कएलनि अछि ।

तहिना प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आपसी झै-झगडा आ द्वैस अन्त्य कऽ शान्ति, समृद्धि आ सु-स्वास्थ्यके साथे सत्य आ कर्तव्यपथमे आगु बढय सबके प्रेरणा मिलेय से कामना कएलनि अछि । डा. भट्टराई दशमीक अइ अवसरसँ दलसबके शान्ति आ संविधानक मार्गमे एके ठाममे ठार रहय सहयोग पहुँचयके विश्वास समेत व्यक्त कएलनि अछि ।

अहिना एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष प्रचण्ड सम्पूर्ण नेपाली जनसमुदायमे सुख, शान्ति, समृद्धि आ प्रगतिके हार्दिक मंगलमय शुभकामना व्यक्त कएलनि अछि । प्रचण्ड वर्तमान राजनीतिक संक्रमण अन्त्य करय शान्ति, संविधान आ समाजक अग्रगामी विकासक लेल आगु बढय दशै पावनिसँ सबके प्रेरणा भेटेए से कामना कएलनि अछि ।

तहिना कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला आ वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा अलगे अलग शुभाकामना सन्देश जारी करैत दुर्गा भवानी सब नेपालीके एकताके सुत्रमे बाँन्हि कऽ राखेय से कामना कएलनि अछि  

बसक ठक्करसँ एक गोटेके मृत्यु


१९ आसिन, विर्तामोड । झापामे सवारी दुर्घटनामे परि आइ  एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । झापाके गौरादहमे आइ भिन्सर भेल सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे धनकुटा स्थायी घर रहल  हाल धरान रहैत आएल ३२ वर्षक गंगा गुरूङ रहल झापा पुलिस  जनौलक अछि । पैदलयात्री गुरूङके गौरादहसँ विराटनगर जाऽ रहल भे १ ख १४८७ नम्बरक यात्रुबस ठक्कर देने छल । गुरूङके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

दुर्गा माताक तस्वीर सब






दशमीक दशम दिन आइ बिजयादशमी


१९ आसिन, काठमाडौँ । बिजया दशमीक आइ दशम दिन अर्थात आइ नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिर सहित घर घरमे अपनासँ पैघ ब्यक्तिसँ जयन्ती बन्हाबयके सँगे आशिर्वाद लेल जाऽ रहल अछि ।

विजया दशमीक दिन आइ भिन्सर ९ बाजि कऽ ४५ मिनेटमे देवी विसर्जन आ भिन्सर १० बाजि कऽ ३५ मिनेटमे टीका तथा जयन्ती लगाबयके लेल शुभ समय रहल नेपाल पञ्चाङ्ग निर्णायक समितिक अध्यक्ष डा माधव भट्टराई बतौलनि अछि । मुदा आइ दिनभरि टीका लगाबयके लेल शुभ रहल ओ जानकारी देलनि ।

बिभिन्न दुर्गा मिन्दिर तथा घर घरमे कलस्थापना दिन छिटल गेल जौ के जयन्ती आजुक दिन माताक विसर्जनके बाद कलस्थापन दिनक कलशके जलसँ अभिषेक कऽ अपना सँ पैघ ब्यक्तिसँ दुर्गा माताक प्रसाद, टीका आ जयन्ती ग्रहण करैत आशिर्वाद सेहो लेल जाऽ रहल अछि ।

त्रेता युगमे भगवान् राम असत्य आसूरीशक्तिके प्रतीक रावण उपर सत्यके विजय प्राप्त केने दिनके रुपमे सेहो विजया दशमीके लेल जाइत अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन