Tuesday, November 08, 2011

लुम्बिनीमे भारतक चाँखि रहैत अछिः करण सिंह


२२ कात्तिक, काठमाडौँ । सत्तारुढ भारतीय कांग्रेस आईके विदेश विभाग प्रमुख डा. करण सिंह गौतम बुद्धके जन्मस्थल लुम्बिनीमे भारतक चाँखि रहैत आएल बतौलनि अछि ।

राजधानीमे आइ आयोजित एक कार्यक्रममे सिंह भारतीय सीमा क्षेत्रसँ  ८ किलोमिटरके दुरीमे रहल लुम्बिनीमे अन्य देश लगानी करैत काल भारतके सेहो ओइमे उत्सुकता रहैत आएल बतौलनि अछि । ओ गौतम बुद्ध नेपालमे जन्मितो भारतेमे ज्ञान आर्जन केने आ भारतमे देह त्याग केलासँ लुम्बिनीमे भारतक उत्सुकता रहनाइ स्वभाविक रहल तर्क कएलनि । लुम्बिनीके विकासमे भारतके सेहो लगानी करय परत कहैत सिंह ओइके लेल पने प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंहसँग बात करब बतौलनि ।

लुम्बिनीके बृहत्तर विकासक लेल अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग जुटाबयके सिलसिलामे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड अमेरिकामे रहल समय सिंह लुम्बिनीमे होबयबला विदेशी लगानी प्रति अपनासबहक चाँखि रहल बतौलनि अछि । शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय दलसबवीच भेल सातबुँदे सहमति प्रति भारत सकारात्मक रहल कहैत ओ भारतक नेपाल नीति सबदिन सकारात्मक आ सहयोगी रहत दाबी कएलनि ।

मन्त्रीमण्डल विस्तारसँ शान्ति प्रकृया भँडाएतः कोइराला


तेह्रथुम, कार्तिक २२ । कांग्रेसक नेतृ सुजाता काइराला माओवादी नेतृत्वक सरकार मन्त्रीमण्डल विस्तार कऽ क शान्ति प्रकृया भाँडय खोज्ने आरोप लगौलिह अछि ।

अपनासब कांग्रेसक नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकारक बात उठा रहल  समय प्रधानमन्त्री बाबुराम भटराई एकलौटी रुपमे मन्त्री मण्डल विस्तार करयसँ शान्ति प्रकृयाके असर पहुँचौने ओ बतौलिह ।

नेपाल प्रेस युनीयन जिल्ला शाखा सदरमुकाम म्याङलुङमे आइ आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत कोइराला नेतासब शान्ति प्रकृयाके लत्या कऽ विदेश भ्रमणमे  गेल प्रति आक्रोस ब्यक्त केलिह ।

अपने पार्टीक नेतासब रामशरण महत आ मिनेन्द्र रिजाल शान्ति प्रकृया पुरा करयके समयमे विदेश भ्रमणमे  गेल प्रति आक्रोस ब्यक्त करैत कोइराला अपने काठमाडौं घुरिते पार्टी नेतृत्वसंग बात उठाओल जाएत बतौलिह अछि ।

सारा काम छोडि कऽ शान्ति प्रकृया पुरा करयमे धमाधम नेतासब विदश भ्रमण केनाइसँ जनताके निरास बनौने कोइरालाक कहब छलनि ।

सरकारक नेतृत्व कऽ रहल  माओवादीक अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति प्रकृया पुरा करयके समयमे लुम्बीनीके विकास कहैत अमेरिका गेल प्रति ओ आक्रोस देखौलिह । शान्ति प्रकृया पुरा करयके पैघ बात कि ? लुम्वीनीके विकास पैघ बात ? हुनक प्रश्न छल ।

अहिसँ आगु बेर बेर केने सम्झौता माओवादी व्यवहारमे कार्यान्वयन नहि केने स्मरण करैत कोइराला माओवादी कव्जा केने व्यक्तिके घर जमिन फिर्ता करयके कहबी नाटक मात्रे रहल  बतौलिह ।

हरिद्वारमें भागम भाग ६ गोटेके मृत्यु


२२ कातिक भारत । उत्तराखंडके हरिद्वारमें शांतिकुंजके समारोहमें भेल भागमभागके क्रममे ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ५० सँ बेसी गोटे घाइल भेल अछि ।

भागमभागके क्रममे बहुत गोटेके गँभिर चोट लगलाक कारण मृत्यु होबयबलाके सँख्या बढय सकबाक अनुमान कएल गेल अछि ।

शांतिकुंजमें ओइके संस्थापक श्रीराम शर्मा आचार्यके 100 अम् जयंती मनाओल जाऽ रहल अछि आ अहि अवसर पर ओइठाम पैघ सँख्यामे समारोह आ यज्ञ आयोजित कएल जाऽ रहल अछि । जाहि कारणसँ ओतय एतेक बेसी भिड छल ।

हत्या अभियोग लागल सभासद ढुंगेलके मुद्दा फिर्ता कएल जाएत


काठमाडौ, कार्तिक २२ । हत्या अभियोग लागल माओवादी सभासद बालकृष्ण ढुंगेलके मुद्दा राष्ट्रिपतिके सिफारिमे फिर्ता करयके आइ बैसल मन्त्रीपरिषदक बैसारसँ निर्णय कएल गेल अछि ।

अहिना बैसारसँ भारतक लेल राजदुत  राम कार्की -सुरेन्द्र, चीनके लेल महेशकुमार मास्के आ युनाइटेड अरब इमरेटसके लेल धनन्जय झा के नियुक्त करयके निर्णय केलक अछि ।

अहिना मन्त्री परिषदक बैसारसँ  थाइल्याण्डमे भेल बाढि पीडितके लेल सेहो २५ हजार डलर सहयोग करयके निर्णय केलक अछि । बैसारसँ नेपाल-भारतक दोहोरा कर प्रणाली अन्त्य करयके सैद्धान्तिक सहमति सेहो केलक अछि ।

 भारतसँ आयात कएलगेल १ हजार रकम बराबरके सामानमे भन्सार नहि लागयके सेहो निर्णय केलक अछि । अहिस आगु १ सय रुपैयाँधरिके सामानमे भन्सार नहि लगैत छल ।

तहिना परिषद्क बैसारसँ राष्ट्रपतिके अवास गृह निर्माण करयके सेहो निर्णय केने माओवादी नेता तथा उपप्रधान नारयणकाजी श्रेष्ठ बतौलनि 

नेपालगञ्जमे बम विस्फोट, ५ गम्भिर घाइल


२२ कातिक नेपालगञ्जनेपालगञ्जम भिन्सर बम बिस्फोट भेलाबाद तीन गोटे गम्भिर घाइ ेल ि

नेपालगञ्ज नगरपालिका वड नम्बर १२ जिल्ला हुलाक कार्यालय आगु रह शितल नगरम रह महाकाली मिल नजदिक रह राजु अग्रवालक घरम सकेट बम विष्फोट भेल छल । घरम बम बनबैत काल बम बिस्फोट भेलासँ शालिकराम कायस्थ, बाबुराम कायस्थ डब्लु कायस्थ गम्भिर घाइल भेल अछि

हुनकासबहक भेरी अञ्चल अस्पतालम इलाज ऽ रहल आ अवस्था गम्भिर रह बाँके पुलिस जनौलक अछि । घटनाबारे अनुसन्धान भऽ रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय बाँकेक डिएसपी उदय तामाङ बतौलनि । बम आज भिन्सर साढे ९ बजे बिस्फोट भेल छल

फोटो सँसार








facebook Page Like

  • मनोरँजन