Sunday, December 18, 2011

बालविवाहमुक्त क्षेत्र घोषणा करयके प्रविद्धता




नागेन्द्र कर्ण
महोत्तरी, पुस ३ गते । मानवअधिकार संरक्षण केन्द्र महोत्तरी जिल्लाक धिरापुरमे शनिदिन एक संवाद कार्यक्रमके आयोजना कयलक अछि । ओ कार्यक्रममे ओ सभ अपन गाउँके बालविवाहमुक्त क्षेत्र घोषणा करयके प्रविद्धता सेहो व्यक्त कयलक अछि ।

मानवअधिकार हननमे दहेज प्रथा आ महिला हिंसाक प्रभाव तथा समाधान विषयक ओ संवाद कार्यक्रममे अधिकाँश वक्ता लोकैन्ह सभ दहेज प्रथा आ महिला हिंसा हटेबाक लेल महिला सभके शिक्षा देवयमे जोड देने छलथि ।

केन्द्रक अध्यक्ष मदनकुमार झाके अध्यक्षता आ भ्रष्टाचार विरुद्ध अभियानके प्रमुख शारदा भुषाल झाके प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न ओ कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि झा मानवअधिकार हननमे सब सँ वेशी भूमिका राज्यके रहलाक कारण राज्यके एहिप्रति सचेत होबय चाही बतौलनि ।  ओ अहिके लेल अपन अधिकारक बिषयमे जानकारी रखनाई  जरुरी रहल कहैत सब सँ पहिने महिलाके शिक्षित होबऽ परत स्पष्ट कयलनि । 

कार्यक्रममे धिरापुर निमाविके प्रधानाध्यापक सुरेश झा, प्रहरी चौंकी धिरापुरके प्रमुख विरेन्द्रकुमार खड्का, स्थानीय महिला नितु मिश्र, चिम्पा कुमारी साह, शिक्षक लक्ष्मण मण्डल, रामदिनेश झा, मानवअधिकार संरक्षण केन्द्रके परियोजना प्रमुख धर्मेन्द्रकुमार झा सहितक वक्ता सभ अपन अपन मन्तव्य रखने छलथि ।



एहिबीच मानवअधिकार संरक्षण केन्द्र महोत्तरी परिकौली बजारमे शनिदिन सडक नाटक आयोजना कएने केन्द्रक संचार अधिकृत नागेन्द्रकुमार कर्ण जानकारी करौलनि अछि । ओ एहि सडक नाटकमे बालविवाह, दहेजप्रथा, महिला हिंसा आ डायनजोगिन सँ होबयबला समस्या सभ देखाओल गेल जानकारी देलनि ।

अमिषा पटेलक जलवा



अमरीकी सैनिक इराक़ स लेलक विदा


पुष ३ इराक ( रविवार, 18 दिसंबर, 2011 ) इराक़में रहल अमरीकी सैनिकसब आइ भिन्सर  इराक़ छोड़ि कऽ कुवेतके तरफ प्रस्थान कएलक अछि, जाहिके साथ ओतय  करीब ९ साल पुरान अमरीकी सैन्य अभियान ख़त्म भऽ गेल अछि ।

इराक़में अमरीकी सेनाके अभियान 2003 में अमरीका द्धारा कएलगेल हमलासँ शुरु भेल छल । जाहिके बाद सद्दाम हुसैनके  शासनके अंत भऽ गेल छल ।

सद्दामके सत्ता सँ हटाओल गेलाक बाद इराक़में विद्रोहीके सँग संघर्ष जारी छल । जाहि सँघर्षक क्रममे करिब 4500 अमरीकी सैनिके मृत्यु भेल तऽ करिब  32000 गोटे घाइल भेल आ सैकड़ों अरब डॉलर अहि सैन्य अभियान पर खर्चा कएल गेल ।

एक  समय इराक़में एक लाख ७० हज़ार अमरीकी सैनिक छल आ  ओ सब करिब  ५०० सँ बेसी क्याम्प बनौने छल ।

आब इराक़में १५७ टा मात्रे अमरीकी सैनिक बचल अछि जे ओतयके दूतावासमें प्रशिक्षणके कामकाज देखत । अहिके अलावा कूटनीतिक मिशनके रक्षाके लेल किछ मरीन अछि ।

राष्ट्रपति ओबामा अक्तूबरमें घोषणा केने रहथि जे सभ अमरीकी सैनिक 2011 के अंतधरि इराक़ छोड़ि देत । आ इ तारीख़ पूर्व राष्ट्रपति जॉर्ज बुश 2008 में तय केने छलाह ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन