Saturday, November 05, 2011

पर्यटकके उद्धारमे सैनिक विमान प्रयोग कएल जाएत


काठमाडौ, कार्तिक १९ । खराब मौसमके कारण हवाई सेवा अवरुद्व भऽ क लुक्लामे रहय बाध्य विदेशी पर्यटकके उद्धार करय नेपाली सेनाके एम आई १७ हेलिकप्टर प्रयोग कएल जाएत ।

पर्यटन बोर्ड आ पर्यटन व्यवसायी सैनिक मुख्यालयमे अनुरोध कएलाबाद ओ हेलिकप्टर पर्यटकके उद्धारक लेल प्रयोग कएल जाएत बताओलगेल अछि ।

ट्रेकिङ एसोसिएसन अफ नेपालक कोषाध्यक्ष अञ्जान कुमार थापा आइ मौसममे सुधार अबिते ओ हेलिकप्टर लुक्ला जाऽ क रोगी तथा अन्तर्राष्ट्रिय उडानमे जाएबला पर्यटकके प्राथमिकता देख कऽ ओकरासबके काठमाडौँ लाओल जाएत बतौलनि ।

कोषाध्यक्ष थापा ओ हेलिकप्टर भाडामे लेने वापत आइ २० लाखके चेक सेनाके खातामे जम्मा केने जानकारी देलनि । 


प्रधानमन्त्री मुग्लिङके होटलके केलनि अनुगमन


गोरखा, कार्तिक १९ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ भिन्सर धादिङके राजमार्गके होटलको निरीक्षण कएलनि अछि ।

 गृहजिल्ला गोरखा जाएके क्रममे ओ मुग्लिनके होटल तथा रेष्टुरेण्टसबके आकस्मिक निरीक्षण कएलनि अछि । ओ मुग्लिनमे रहल रुप्सी रेष्टुरेण्ट एण्ड लज आ थकाली भान्साघरक निरीक्षण कएलनि ।

प्रधानमन्त्री होटलके भानस घर आ शौचालयके समेत निरीक्षण कएलनि तऽ होटलके ग्राहकसबसँग खाना आ सरसफाईबारे जानकारी लेलनि । निरीक्षणके बाद ओ होटल सञ्चालकसबके मूल्यसूची अनिवार्य राखय तथा होटलके सरसफाईमे ध्यान देबय निर्देशन देलनि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई आइ भिन्सरे चितवनके फिस्लिङमे किछदिन आगु टुटल झोलुङ्गे पुलक निरीक्षण कएलनि । वायह क्रममे हुनका स्थानीयवासीसब तीन बुँदे ज्ञापन पत्र सेहो बुझौने छल ।

पुल टुटलाबाद घाइल भेल दु गोटेके इलाज सरकार करत घोषणा करैत ओ पुल टुटि कऽ वेपत्ता भेलसबके खोजि सरकार कऽ रहल जानकारी देलनि ।

अहिबिच संविधानसभाक निर्वाचनमे बिजयी भेलाबाद मासिक गोरखा पहुँचयके बचन देने प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ ४६ हम् बेर गोरखा पहुँचल छथि ।

आइए काठमाडौं घुरबाक कार्यक्रम रहल प्रधानमन्त्री भट्टराईके जिल्लामे आधा दर्जन छोट छोट कार्यक्रममे सहभागी होबयके कार्यक्रम तय रहल स्वकीय सचिव फडिन्द्र देवकोटा बतौलनि । देवकोटाके अनुसार प्रधानमन्त्री कर्मचारी भेटघाट तथा निर्देशन, कार्यकर्ता भेटघाट, शहिद स्मृति सभामे सम्वोधन, विकास निर्माणके लेल डेलिकेशनके टोलीसँग भेटघाट सहितक कार्यक्रममे व्यस्त रहताह ।

माओवादी कब्जा केने सम्पत्ति फिर्ता करयके निर्देशन देत


१९ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी सशस्त्र द्वन्द्व कालमे कब्जा केने घरजमिन सम्बन्धित व्यक्ति तथा संस्थाके फिर्ता करय आन्तरिक सर्कुलर जारी करय लागल अछि ।

सिंहदरबारमे आइ भिन्सर बैसल प्रमुख तीन दलक बैसारमे माओवादीके आइए ओइबारे आन्तरिक पार्टी पंक्तिमे सर्कुलर करयके सहमति भेल अछि । बितल मंगलके राति भेल सातबँदे सहमतिके छठम् नम्बर बुँदामे आगामी ७ अगहनधरिमे कब्जा घरजमिन सम्बन्धित पक्षके हस्तान्तरण भऽ जाएके उल्लेख अछि । अहिना माओवादी पूर्वसहमति अनुसार सामूहिक रुपमे रहिरहल वाइसिएलके सदस्यसबके तत्काल क्याम्प खाली करयके सेहो निर्देशन देबयके निर्णय भेल एमाले नेता भीम रावल जानकारी देलनि । सहमतिमे उल्लेख भेल अनुसार उच्चस्तरीय राजनीतिक संयन्त्र तत्काल गठन नहि होबयबला अछि । बैसारसँ राजनीतिक सहमति नहि जुटाबयके काममे अहिसँ आगु बितल २ आसिनमे गठित तीन दलीय कार्यदलके सक्रिय बनाबयके निर्णय केने अछि । कार्यदलमे माओवादीसँ वर्षमान पुन, कांग्रेससँ रामशरण महत आ एमालेसँ भीम रावल अछि । बैसारमे सातबुँदे सहमति बाद विकसित पछिला राजनीतिक अवस्था, सहमति कार्यान्वनमे भेल प्रगति तथा माओवादीक मोहन बैद्य समूह केने विरोध सहितक विषयमे बिमर्श भऽ रहल एक नेता जानकारी देलनि ।

माओवादीभितर ‘पूर्वएमाले’के अलग भेला


१९ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादीभितरके अन्तरसंर्घष बढैत गेलाबाद शान्तिप्रक्रियाके बाद माओवादीमे प्रवेश केने नेता-कार्यकर्तासब सेहो अलग भेला करय लागल अछि ।

याह सिलसिलामे एमाले, माले होइत माओवादीमे प्रवेश केनेसब राजधानीमे अलगे भेला केलक अछि । स्रोतक अनुसार एमालेसँ माओवादीमे प्रवेश केने भीमबहादुर कडायत, डिल्लीराज खनाल, शिवराज गौतम सहितकसब एहन अलगे भेला केलनि अछि । अपनासबके जनयुद्धसँ आएलसब चैतेकहैत अपमानित केने आ पाछु पारयके प्रयत्न केने कहैत पूर्वएमाले कार्यकर्तासब माओवादीमे अलगे समूह बनाबयके आवश्यकतामे जोड देने स्रोतक कहब अछि । विशेष कऽ वैद्य पक्षक नेतासब अपनासबके बेसी इज्जत नहि केने हुनकासबहक उपराग छन्हि ।

सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन करयके तीन दलक प्रतिबद्धता


काठमाडौं, कार्तिक १९ प्रमुख तीन दल मंगलके राति केने शान्ति प्रक्रिया पुरा करयके सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन करयके प्रतिबद्धता दोहरौलक अछि

कांग्रेस संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमे आइ भिन्सर भेल बिमर्शमे माओवादी, कांग्रेस एमाले सहमति कार्यान्वयनम बाधा आबय हि देबयके निर्णय केलक अछि

तीन दलबीच माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल अमेरिकासँ घुरलाबाद मात्रे उच्चस्तरीय राजनीतिक संयन्त्र गठन करयके सहमति भेल अि

नायिका अनुश्का








सरिना मास्के









सरिना मास्के चाइनाके चेङदुमे आयोजना होबय लागल ५१ हम् मिस इन्टरनेशनल प्रतियोगितामे भाग लऽ रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन