Thursday, March 31, 2011

टूटल दिल प्रभावित करैत अछि स्वास्थ्यके


कि आँहाके बुझल अछि जे जँ कियो आँहास रिश्ता तोड़ि लेने अछि त आँहाके  टूटल  दिल आँहाके नोक्सान पहुंचा सकैत अछि ।
नेशनल अकैडमी ऑफ साइंसेज़के एक ताज़ा शोधस इ पता चलल अछि जे कि शारीरिक पीड़ा आ भावनात्मक पीड़ा एक किसिम स  नोक्सान पहुंचबैत अछि ।
जँ आँहाके गर्लफ्रेंड या आँहाके ब्वॉयफ्रेंड स आँहाके रिश्ता टूटि  जाइत अछि या फेउर आँहाके पत्नी या आँहाके पति आँहाके साथ छोड़ि दैंत अछि आ आँहा परित्यक्त-जेहन महसूस करय  लगैंत छी त इ आँहाके लेल ख़तराके घंटी साबित भ सकैत अछि ।
एकटा नया शोधस पता चलल अछि जे कि छोडल गेल पर भेल गहन एहसास शारीरिक पीड़ाके तरह कष्टकारक भ सकैत अछि ।
शारीरिक चोट पहुंचला पर मस्तिष्कके सक्रिय होबयबला भाग कोनो सामाजिक तिरस्कार जेहन रुपमे समान रूपस सक्रिय होइत अछि ।

नवलपरासी आ चितवनमे सुरक्षा व्यबस्था मजवुत कएल जा रहल


नवलपरासी , चैत १७ । पछिला समयमे तराईमे बढैत गेल बम विस्फोटके घटना प्रति नवलपरासी आ चितवनके सुरक्षा निकायसभ सचेत रहल बताओलगेल अछि ।
 तराईके जिल्लासभमे बढैत गेल आपराधिक घटनासभके निरुत्साहित करयके उद्देश्यस सुक्ष्म रुपमे सुरक्षाकर्मीसभ परिचालन कएलगेल नवलपरासीक प्रहरी प्रमुख कृष्ण प्रसाद गौतम जानकारी देलनि ।
कोनो प्रकारक सँकास्पद गतिविधि तथा वस्तु भेटलापर तत्काल सुरक्षा निकायके खबर करय सेहो गौतम आग्रह कएलनि । एम्हर, जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन सेहो सुरक्षा व्यबस्थाके कडा करय लेल थप सुरक्षाकर्मी परिचालन केने अछि । पहिले स नियमित चेकजाँचमे सेहो बृद्धि कएलगेल चितवनके प्रहरी प्रमुख पुष्प रिजाल जानकारी देलनि अछि ।
नवलपरासी आ चितवन पुलिस सार्वजनिक यातायातके साधनके लक्षित कऽक कएलगेल बम विस्फोटके घटनाप्रति भत्सर्ना केने जनाओलगेल अछि ।


हात्तिपाईले रोगबिरुद्धक दबाइस मृत्यु, मन्त्रलायके टोली छानविन करत


बाँके, चैत १७ । हात्तिपाईले रोगबिरुद्धके दबाइ खएलास बाँकेमे दु गोटेके मृत्यु भेलाबाद छानविनक लेल विशेषज्ञटोली पठाबय जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालय बाँके स्वास्थ्य मन्त्रालयसँ आग्रह केलक अछि ।
 दबाइ खएने मे स अधिकाँशके स्वास्थ्य समस्या देखएमे औलाबाद आइ केन्द्रस बिशेषज्ञटोली माँग कएलगेल  जनस्वास्थ्य कार्यालय बाँकेके प्रमुख धिरजंग शाह जानकारी देलनि । स्वास्थ्य मन्त्रालय अन्तरगतके ईपिडिमियोलोजी तथा रोग नियन्त्रण महाशाखा नेपालगन्जमे तत्काले बिशेषज्ञटोली पठाबय लागल अछि ।
दबाइ सेवन केने व्यक्तिसभके अस्पतालमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेलाबाद दबाइएके  कारणस अछि या अन्य कारण स, ओइके बिशेषज्ञ टोली कारणपत्ता लगाओत चन्दक कहब अछि ।

ललितपुरमे मोटरसाइकल दुर्घटना,एक गोटेके मृत्यु


काठमाडौं, चैत १७ । ललितपुरके कुमारीपाटीमे बितलराति मोटरसाइकल दुर्घटना भेला स १ गोटेके मृत्यु भेल अछि त दोसर एक गोटे घाईल भेल अछि ।
 जावलाखेलस लगनखेल तर्फ जा रहल बा ४० प ६६७९ नम्बरक मोटरसाइकल राति पौने १२ बजे अनियन्त्रीत भ सडक कातमे रहल एक घरमे ठोकराएलास दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।
मृत्यु होबयबलामे मोटरसाइकल चालक ललितपुर १४ ताल्छिखेलके ३३ वर्षक ओमराज थापा रहल पुलिस जनौलक अछि ।  मोटरसाइकलमे सवार सातदोबाटोके अविनाशजंग आचार्य घाइल भेल आ  घाइल आचार्य इलाजक बाद भिन्सर घर घुरिगेल पुलिस जनौलक अछि ।

आइ सँ दुधके दाममे प्रतिलिटर ४ रुपैयासँ बुद्धि


काठमाडौं, चैत १७ । दुग्ध विकास सँस्थान आईसँ लागु होबय जका दुधके दाममे प्रतिलिटर ४ रुपैयाँस बृद्धि केलक अछि ।
 किसानस बेसी मोलमे दुध किनय परलास दुधके मोल बढाबय परल सँस्थान जनौलक अछि । नयाँ मोल अनुसार निला प्याकेटके दुधमे २ रुपैयाँ बृद्धि क २२ पहुँचाओलगेल अछि त हरियर प्याकेटके दुधके २३ स २५ रुपैयाँ कएलगेल अछि ।
 किसानके माँग अनुसार दुधके मोल बढाओलगेल जनाओलगेल अछि ।

नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय समितिमे आन्तरिक विवाद बारे बिमर्श हैत


काठमाडौं, चैत १७ । अन्तिम समयमे स्थगन कएलगेल नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार आइ बैसय जा रहल अछि ।
 पार्टी कार्यालय सानेपामे बेरियामे बैसय लागल बैसारमे सभापति पेश केने पदाधिकारी मनोयन आ भातृसंगठन विवादक विषयमे बिमर्श हाएत । सभापति सुशील कोइराला आ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षबीच धारणा नहि मिललाबाद कांग्रेस निर्णय करय नहि सकल अछि ।
 आजुक बैसारमे बाँकी रहल केन्द्रीय सदस्यसभके बाजयके आ  बाजयके क्रम समाप्त भेलाबाद निस्कर्षमे पहुँचल जाएत एक नेता जानकारी देलनि अछि । देउवा पक्ष  भ्रातृसंगठन विघठन कऽक महाधिवेसनमे जाए परत  तर्क रखैत आएल अछि ।

पार्टीभितरके विवाद समाधान करय माओवादी बिमर्शमे


काठमाण्डौ, चैत १७ । पार्टी भितरके आन्तरिक विवाद समाधान क मन्त्रीके नाम छनौट करय एकीकृत नेकपा माओवादी स्थायी समितिक बैसार बैसय जा रहल अछि ।
बेरियाक १ बजे पार्टी कार्यालय कोटेश्वरके पेरिसडाँडामे बैसय लागल बैसारमे अहिस आगु भँग करयके निर्णय भेल मजदुर संगठनके विकल्प जनस्वयंसेवी दस्ताके गठनक विषयमे बिमर्श हाएत । पार्टीभितरके गुटअनुसार मजदुर संगठनसभबीच ठाम ठममे झडप भेलाबाद माओवादी अहिस आगु मजदुर संगठन आ वाईसीएल भंग करयके निर्णय केने छल । आजुक बैसारमे पार्टीके आन्तरिक विवादसँगै सरकार विस्तार मन्त्रीसभहक नाम चयन आ शान्ति प्रकि्रयाके विषयमे सेहो बिमर्श  हाएत माओवादी सचिव सिपी गजुरेल जानकारी देलनि । माओवादीभितर अखन आन्तरिक विवाद बढलाबाद नेतासभ अलगे अलग बैसारमे व्यस्त रहल अछि ।
 स्थायी समिति बैसारमे संवैधानिक उपसमितिमे अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्डक विकल्पमे किनका पठाबयके बिषयमे सेहो बिमर्श हाएत ।

निक नींद स घटाउ वज़न


अमरीकी वैज्ञानिकके अनुसार पर्याप्त नींद आ तनावके सही तालमेल सँ मोटापा सँ मुक्ति भेट सकैत अछि ।
छह महीनाधरि 472 गोटे पर कएलगेल एक अनुसन्धान सँ पता लागल जे कि बहुत कम या बहुत बेसी नींद के कारण सँ वज़न कम होबयके सँभाबना घटि जाइत अछि । 'इंटरनेशनल जर्नल ऑफ़ ओबेसिटी' में छापल वैज्ञानिकके रिपोर्ट  अनुसार कम तनाव स सेहो वज़न घटाबयमे  सहयोग भेटैत अछि ।
एक ब्रिटेनी जानकारके कहब अछि जे "कम खाउ, बेसी घूमु आ निक नींद लिय." । ब्रिटेनमें एक चौथाई वयस्क मोटाएल अछि ।
अमरीकाके एक स्वास्थ्य शोध संस्थान  क़रीब 500 गोटे पर अईके रिसर्च केने छल ।
अनुसन्धानसँ पता लागल जे जँ कोनो वज़न कम करयसँ पहिने लोगके नींद आ तनावके अध्ययन कएल जाए त ओकर वज़न कम करयके मात्राके पूर्वानुमान लगाओल जा सकैय ।
ओई ५०० गोटेके ६ महीनाधरि हुनकर ज़रुरतस 500 कैलोरीज़  कम रहल खाना देल जाइत छल आ ओ  दिनमें बेसी समय व्यायाम करैत रहैत छल ।
रिपोर्ट लिखयबला  कहैत छथि जे नींदके मात्रा वज़न कम करयके कार्यक्रममें कामयाबीके पूर्वानुमान लगा सकैत अछि । अइके अलावा वज़न कम करयके कार्यक्रममें भाग लेबयसँ पहिने जे कम तनावमें छलथि हुनकर सभहक वजन सेहो दोसर गोटेके तुलनामे बेसी कम भेल ।

गृहमन्त्री नहि रहलके फाइदा उठौलनि सचिव


काठमाडौं, चैत १७ । गृहमन्त्री नियुक्त नहि भेलाक कारण गृह प्रशासन कमजोर भेल  शिकायत आबिरहल समय सचिव गोविन्द कुसुम  विदेश भ्रमणमे निकलल छथि । गृहमन्त्री नहि भेलास नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल आ राष्ट्रिय अनुसन्धान सहितक सुरक्षा निकाय देखयके मुख्य जिम्मेवारी सचिवेके जिम्मामे होइत अछि ।
तराई क्षेत्रमे  विस्फोट बढिरहल समय सचिव कुसुम इन्डोनेसियाके बाली पहुँचल छथि । ओ  शनिदिन  मात्रे घुरताह । स्रोतक अनुसार मानव आयात निर्यात सम्बन्धी अन्तर्राष्ट्रिय कार्यक्रममे सहभागी होबय आयोजक परराष्ट्र मन्त्रीके निमन्त्रणा देने छल । मन्त्री नहि रहल समय मन्त्रालय छोडय नहि मिलत कहि परराष्ट्र सचिव जाए नहि मानलाक बाद गृहसचिव कुसुम इन्डोनेसिया पहुँचल स्रोत जनौलक अछि ।

Wednesday, March 30, 2011

काभ्रेके पत्रकारसभद्धारा राज्यसँग सुरक्षाके माँग


काभ्रे, चैत १६ । देशमे कायम रहल संक्रमकालीन अवस्थास पत्रकारसभ दिनप्रतिदिन असुरक्षित होइत गेल कहैत काभ्रेके पत्रकारसभ राज्यसँग सुरक्षाक माँग केलक अछि ।
 आइ नेपाल पत्रकार महासंघ अपन स्थापना कालके ५६ हम् वर्ष पार केने अवसरमे बनेपामे आयोजना कएलगेल प्रभातफेरी कार्यक्रममे सहभागि पत्रकारसब सुरक्षाक माँग केलनि अछि । भिन्सर ८ बजे बनेपाके चार दोवाटोस सुरु भेल र्याली नगरक विभिन्न भागके परिक्रममा क कोण सभामे परिणत भेल छल ।

पुलिस दमनके विरोधमे टिकापुर बन्द


टिकापुर, चैत १६ । भारतीय राजदुत राकेश सुदके कारी झन्डा देखाबयके क्रममे भेल झडपमे पुलिस दमन केने कहैत एकिकृत नेकपा माओवादी आइ टीकापुर बन्द करौलक अछि ।
 शान्तिपूर्ण विरोध प्रर्दशनमे पुलिस अपन कार्यकर्ता उपर लाठी चार्ज क करिव १२ गोटे स बेसीके घाईल बनौने आ गिरफतार केने कहैत आइ कैलालीके टीकापुर क्षेत्र बन्द केने अछि ।
बन्दक कारण आइ टीकापुरसँ चलयबला लम्बा  तथा छोट दुरीके कोनो सवारी साधन चलय नहि सकल अछि त वजार, कलकारखाना समेत ठप्प रहल अछि ।
थारु उत्थान मँच टीकापुरके आयोजनामे भेल सांस्कृतिक कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि बनाओलगेल राकेश सुदके शान्तिपूर्ण विरोध प्रदर्शनमे सशस्त्र प्रहरी बल उग्रतारा गणके सशस्त्र प्रहरी उपरिक्षक हरिशचन्द्र अधिकारीके निर्देशनमे अनावस्यक दमन क एकीकृत माओवादीके विल्ला इन्चार्ज हरि ज्ञवाली अखण्ड सहित १५ गोटेके घाइल बनाबयबला पुलिसके कारवाहीके माँग करैत सुदके प्रमुख अतिथि बना दमन कराबयके कार्यमे संलग्न रेशमलाल चौधरीके सार्वजनिक माफी मँगैत घाइलके इलाज क्षतिपूर्ति देबय एकीकृत माओवादी विज्ञप्ती मार्फत जनौलक अछि ।
 एम्हर चलिरहल एसएलसी परिक्षाके कोनो  अवरोध नहि पहुँचौने माओवादी जनौलक अछि ।  

काठमाण्डु विश्वविद्यालयमे गोली चलल, ५ गोटे घाइल


काठमाण्डौ, चैत १६ । काँग्रेस निकट नेपाल विद्यार्थी संघ काभ्रेके धुलिखेलमे रहल काठमाण्डौ विश्वविद्यालय तोडफोड करय चाहला पर स्थिति नियन्त्रणमे लेबय बितल राति पुलिस एक राउण्ड गोली चलौलक अछि ।
 विद्यार्थीसँगके झडपके क्रममे २ गोटे विद्यार्थी आ ३ गोटे  प्रहरी जवान सामान्य घाइल भेल अछि । नेविसंघक विद्यार्थी संजय शाहक नेतृत्वमे रहल एक समूह विज्ञाप्ति साटय कहैत केयु भितर प्रवेश क भवनसभमे इटा , पाथर बर्षाबय लगलाबाद पुलिस अश्रुग्यास आ गोली चलौने प्रत्यक्षदर्शीसभ बतौलक अछि ।
 विद्यार्थीके लक्षित कऽक गोली नहि चलौने आ काठमाण्डौस  लाओलगेल भाडे युवासभ आक्रोसित होइत टेबुल कुर्सी जराबयके सँगहि मूलगेट तोडफोड कऽक सुरक्षामे खटल पुलिस उपर समेत आक्रमण करय लगलाबाद बाध्य भऽक अश्रुग्यास प्रहार कएलगेल काभ्रेके प्रहरी निरीक्षक महेशजंग कार्की जानकारी देलनि ।

अमेरीकी राजदुत प्रधानमन्त्री सँ भेटताह


काठमाण्डौ, चैत १६ । नेपालक लेल अमेरीकी राजदुत स्टक एच डेलिसी आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँग भेटवार्ता करय लागल छथि  
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयमे होबयबला भेटवार्तामे नेपालक शान्ति आ संविधान प्रकि्रयाक विषयमे बिमर्श हाएत । अहिना, नेपालक लेल अमेरीका करय सकयके  सहयोग आ समर्थनके विषयमे सेहो बिमर्श हाएत प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि । भेटवार्ता दुपहर साढे १२ बजे हाएत ।

लेबनानमे नेपाली महिलाके हत्या


काठमाण्डौ, चैत १६ । घरेलु कामदारके रुपमे लेबनानमे कार्यरत एक नेपाली महिलाके हत्या भेल अछि । दमक झापाके २२ बर्षक गीता श्रेष्ठके एक सिरियाली नागरिक हत्या केने  बताओलगेल अछि ।
अपनासभवीच शारिरिक सम्बन्ध रहल आ गीता गर्भवती भेल बतौलाक बाद हत्या केने ओ सिरियाली नागरिक बतौलक अछि ।
गर्दनमे डोरी लागल  अबस्थामे श्रेष्ठक शव रबिदिन साँझ ओ काज करयबला घरमे भेटल छल । लेबनानस्थित अबैतनिक दूतावासमे स्वयसेवकके रुपमे कार्यरत दीपेन्द्र उप्रेती कहलनि जे-हमरासभके चित्त नहि बुझला पर थप अनुसन्धानक लेल अडान लेलाबाद हत्याक पुष्टी भेल ।
पुलिसक पुछताछक क्रममे गीता आ एक सिरियाली नागरिकवीच सम्बन्ध रहल जानकारी पौलाबाद ओकर खोजी कएलगेल छल । सोमके साँझ गिरफ्तार भेल ओ हत्या केने  स्वीकारलक अछि ।
लेबनानमे हजारौं नेपाली महिला घरेलु कामदारके रुपमे कार्यरत अछि । महिलाके लेल सुरक्षाके प्रत्याभूति नहि भेल कहैत सरकार ओहिठम कामदार पठाबय  रोक लगौने अछि ।

संसद आ मन्त्रिपरिषदक बैसार बेरियामे बैसत


काठमाण्डौ, चैत १६ । ब्यावस्थापिका संसदक बैसार  आइ बैसय जा रहल अछि ।
बेरियाके ३ बजे संसद तथा संविधानसभा भवन नयाँ बानेश्वरमे बैसय लागल बैसारमे सरकार प्रस्तुत करयबला विधेयकके विषयमे बिमर्श हाएत । अहिना, दलक सभासदसभके विषेश समयमे बाजयके कार्यक्रम रहल अछि । नेपाली कांग्रेसक अर्थसचिव रामेश्वर खनाल देने राजीनामाक विषयमे बात उठाओल जाएत  बताओलगेल अछि । कांग्रेसक प्रमुख सचेतक लक्षण अर्याल मन्त्रीके दवावमे काम करयबला इमान्दार सचिवके राजनीनामा देनाइ दुःखदायी भेल कहैत कांग्रेस संसदमे बात  उठाएब बतौलनि । 
अहिबिच, आइ बैसयबला मन्त्रिपरिषदक बैसारमे सेहो अर्थसचिवके राजीनामाक विषयमे बिमर्श हाएत । साँझ पाँच बजे प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयमे बजाओलगेल  बैसारमे अर्थमन्त्रीके राजीनामा सहित विभिन्न मन्त्रालयके एजेण्डामे बिमर्श हाएत पर्यटनमन्त्री खड्ग विश्वकर्मा जानकारी देलनि अछि ।

एक गोटेके घरमे आगि लगा कऽ ७ गोटेके हत्या


डोटी, चैत १६ । बितल राति डोटिके नाना किटारासोर गाविसमे रामवहादुर वोहोराके घरमे एक गोटे आगि लगा देला पर  एके परिवारक ७ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
 मृत्यु होबयबलामे नेत्र वोहोरा, विमल वोहोरा, तुलसा वोहोरा ,जवन वोहोरा, काँसिराम वोहोरा, पुरन सिह वोहोरा आ टोप वहादुर वोहोरा रहल अछि । बितल साँझ ५ वाजि कऽ २५ मिनेटमे आगि लगादेने स्थानिय धनवहादुर वोहोरा जानकारी देलनि अछि ।
 जिल्ला प्रहरी कार्यालय डोटीके अनुसार पुलिसके  घटनास्थल पर पहुँचय ३ दिन लागत ।

अर्थमन्त्रीके दबाब सँ सचिवद्वारा राजीनामा


काठमाडौ, चैत १६ ।  नक्कली भ्याट बिल छानबिन, पूरक बजेट आ कर्मचारी सरुवाक विषयमे अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारीके 'अनुचित दबाब'के बाद अर्थसचिव रामेश्वर खनाल  राजीनामा देलनि अछि ।
ओ प्रशासन संयन्त्रमे क्षमतावान आ स्वच्छ छविमे गनल जाति छलथि । ओ मन्त्रीके गलत कदमविरुद्ध अडान राखय सकयके छवि बनौने छलथि ।
 खनाल मोल अभिवृद्धि कर (भ्याट) के नक्कली बिल प्रकरण अनुसन्धान आ ऊर्जा संकट समाधानक उपाय खोजय नेतृत्वदायी भूमिका निर्वाह केने छलथि । मुदा उपप्रधान तथा अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारीसँग याह मुद्दामे गम्भीर नीतिगत असहमति भेलाबाद राजीनामा देने अर्थसम्बद्ध स्रोत जनौलक अछि ।
 स्रोतक अनुसार अर्थमन्त्री अधिकारीसँग मुख्यतया ५ विषयमे गम्भीर मतभेद भेलाबाद खनाल राजीनामा देने मनस्थितिमे पहुँचल छलथि । नकली बिल छानबिनके क्रमके गति कम करयके सँगहि दोषी देखलगेल कम्पनीके सहुलियत देबयमे अर्थमन्त्रीसँग हुनकर मतभेद भेल छलनि ।  

पत्रकार महासंघक ५६ अम् स्थापना दिवस मनाओल जा रहल


काठमाण्डौ, चैत १६ । नेपाल पत्रकार महासंघ आइ अफन ५६ अम् स्थापाना दिवस विभिन्न कार्यक्रम क  मनाबि रहल अछि ।
 नेपालमे लोकतन्त्रके स्थापना, नागरिक स्वतन्त्रता तथा अभिब्यक्ति स्वतन्त्रताबारे लबिङ करैत आएल अपन स्थापना दिवसमे प्रभातफेरी, गोष्ठि, सेमिनार सहितक  कार्यक्रम क रहल अछि ।
अहि बर्षक पत्रकार महासंघ स्थापना दिवसक नारा शान्ती, सहमति आ संविधान, नेपाल पत्रकार महासंघक अभियान रहल अछि ।
अक्रममे महासंघ आइ भिन्सर काठमाडौँमे प्रभातफेरीके आयोजना केलक अछि । अहिना,  महासंघ नेपाल पत्रकार महासंघक संस्थापक सभापति कृष्णप्रसाद भट्टराईके नाममे स्थापित पुरस्कार पत्रकार किशोर नेपालके प्रदान करय लागल अछि । महासंघ बेरियाके ३ बजे नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानमे पुरस्कार वितरण तथा चायापान कार्यक्रमक आयोजना केने अछि ।

सरकारक मूल्यांकन/विस्फोट शृंखलामे राजनीतिक संरक्षण


काठमाडौ, चैत १६ । सरकार तराईमे भ रहल शृंखलाबद्घ विस्फोटके घटना आपराधिक समूह स मात्रे नहि भऽ राजनीतिक संरक्षणमे नियोजित रूपमे समेत भ रहल मूल्यांकन केलक अछि ।
इ गतिविधि नियन्त्रणके लेल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सुरक्षा निकायसभके विशेष अभियान सञ्चालन करय निर्देशन देलक अछि ।
ओ उच्च सतर्कता अपनाबय निर्देशन दैंत आवश्यक परत त सुरक्षासम्बन्धी नयाँ योजना आ रणनीति तय करय सुरक्षा प्रमुखसभके कहलनि अछि । ओ प्रहरी महानिरीक्षक रमेशचन्द ठकुरीसंग घटनासभहक बिषयमे थप जानकारी लैंत आवश्यक परत त सुरक्षासम्बन्धी थप योजना समेत लागु करय  निर्देशन देलनि अछि । ओ बितल शनिदिन सेहो तीनु सुरक्षा निकायमे प्रमुखसभसंग बैसार क घटनाक बिषयमे बिमर्श केने छलथि ।
तराईके विभिन्न जिल्लामे एक सप्ताह एम्हर शृंखलाबद्घ रूपमे बम विस्फोटके घटना भरहल अछि । बितल शुक्रदिन रौतहटमे, शनिदिन नेपालगन्जमे एक बसमे आ अन्य सात ठाममे विस्फोट भेल छल । रबिदिन बुटवलमे यात्रुवाहक माइक्रोबसमे विस्फोट भेल छल त काल्हि विराटनगरमे प्रहरी कार्यालय लग प्रेसर कुकर बम भेटल छल । एक सप्ताह एम्हर विस्फोटसभमे परि ४५ गोटे  घाइल भ चुकल अछि त एक गोटेके मृत्यु समेत भ गेल अछि ।
प्रधानमन्त्री खनाल तराईके शृंखलाबद्घ घटनासभहक बिषयमे प्रमुख सत्ता साझेदार दल माओवादीसँग सेहो बिमर्श केलनि अछि । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल सहितक नेतासभसंग बालुवाटारमे भेल बिमर्शमे घटनासभहक समीक्षा भेल छल । दुनु दलक नेतासभ घटनासभ नियोजित रूपमे भ रहल उल्लेख करैत स्थिति सुधारय विशेष सुरक्षा सक्रियता बढाबय परत निष्कर्ष निकाल्ने छलथि ।

बैद्य समूह उपसमितिक म्याद नहि थपयके पक्षमे


काठमाडौं, चैत १६ । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष मोहन वैद्य किरण पक्ष भावी संविधानक विवादित विषयसभमे सहमति खोजय संवैधानिक समिति गठन केने उपसमितिमे म्याद नहि थपयके पक्षमे छथि ।
उपसमितिक  बैसल बैसारमे बैद्य पक्षक नेता देव गुरुङ आब उपसमितिके म्याद थपैत रहय नहि परत बतौलनि ।
जनविद्रोहके लाइन लेने बैद्य पक्ष एखुनक प्रक्रिया स संविधान बनय नहि सकत पुष्टि करयके आ पार्टी स जानविद्रोहके निर्णय कराबयके रणनीति लेने बताओलगेल अछि ।
अहिस आगु माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डक संयोजकत्वमे बनल उच्चस्तरिय कार्यदल विवादित विषयसभमे सहमति क रहल समय बैद्य पक्षके दबावमे माओवदी म्याद नहि थपयके पक्षमे ठार भेल छल । माओवादीए म्याद थपयके विपक्षमे ठार भेला बाद प्रभावकारी काम करितो उच्चस्तरिय कार्यदल विघटन कएलगेल छल ।
उपसमितिके पछिला बेर थपल म्याद काल्हिए समाप्त भेल अछि । फेउर म्याद थपल जाए कि नहि बिषयमे  संवैधानिक समितिके आजुक बैसारस निर्णय कएल जाएत ।

अध्यक्षक नेतृत्वमे फोरम सरकारमे जाएत


काठमाडौं, चैत १६ । मधेसी जनअधिकार फोरम अध्यक्ष उपेन्द्र यादवक नेतृत्वमे सरकारमे सहभागी होबयबला अछि ।
पार्टी कार्यालय बालकुमारीमे  बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारस कम्तीमे ४ टा मन्त्रालय भेटत त अध्यक्षक नेतृत्वमे सरकारमे सहभागी होबयके  निर्णय केने प्रवत्ता रत्नेश्वरलाल कायश्थ जानकारी देलनि ।
बैसारस मन्त्रीसभ चयन करय संसदीय दल देने सुझाबके मापदण्डक आधारमे सरकारके पठाबयके मन्त्रीसभहक चयन करयके अधिकार अध्यक्ष यादवेके देलगेल अछि ।
माओवादी आ एमालेसँग भेल ४ सुत्रिय सहमतिके बाद फोरम सरकारमे जाएके तयारीमे अछि । मुदा मन्त्रालय बाँटफाँटमे सहमति होबय नहि सकल अछि । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल फोरमके उपप्रधान तथा परराष्ट्र सहितक ३ मन्त्रालयके प्रस्ताव करैत आएल छथि ।

भारत पाक सेमीफाइनल आ बर्षा





Tuesday, March 29, 2011

११ पाकिस्तानी सेनाके मृत्यु


एजेन्सी, चैत १५ । अफगानिस्तानके सीमा क्षेत्रमे भेल चरमपन्थी आक्रमणमे कम सँ कम ११ गोटे पाकिस्तानी सैनिकके मृत्यु भेल अछि ।
 आक्रमण पेशावर शहरके उत्तर पश्चिमके खैवर प्रान्तमे भेल अछि । आक्रमणमे एक कर्नेल आ एक क्याप्टेन सहित ११ गोटेके मृत्यु भेल बीबीसी जनौलक अछि । गस्ती स घुरबाक क्रममे चरमपन्थीसभ आक्रमण केने पुलिसक कहब अछि । अलकायदा तथा तालिवना अहि क्षेत्रमे आक्रमण करैत  आएल छल । पाकिस्तान सरकार ओ क्षेत्रके अपन नियन्त्रणमे लेबयके अभियान चलैबतो सफलता  हासिल करय नहि सकल अछि ।

रौतहटसँ १ सय २० गोटे गिरफ्तार


रौतहट, चैत १५ । एसएलसी परीक्षाके अमर्यादित बनौने आरोपमे आइधरिमे रौतहटके बिभिन्न परीक्षा केन्द्रसँ १ सय २० गोटे  परीक्षार्थी गिरफ्तार भेल अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय गौरके अनुसार जिल्लाके अधिकाँश परीक्षा केन्द्रसभमे परीक्षार्थी खुलेआम चिट चोरी क रहल अबस्थामे पाँच दिन भितरमे १ सय २० गोटे परिक्षार्थीके गिरफ्तार कएलगेल अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे आधा दर्जन शिक्षक समेत रहल अछि ।

क्षयरोगक निवारण एकटा पैग चुनौति


जनकपुर, चैत १५ । क्षयरोगक निवारण एकटा पैग चुनौतिके रुपमे रहल सरोकारबला व्यक्तिसभ बतओलन्हि अछि।
जिला जनस्वास्थ कार्यालय धनुषाक प्रमुख सचिदान्न्द देव क्षय रोग जनस्वास्थकेलेल एकटा समस्याके रुपमे रहल बतओलन्हि अछि।
जिला जनस्वास्थ कार्यालय,स्वास्थ अनुसन्धान तथा समाजिक विकास मंच(हर्ड) एवम जनकपुर नगरपालिकाक संयुक्त आयोजनमे आई सम्पन्न जनप्रतिनिधि तथा सरोकारबलाबीच क्षय रोग क्षय कार्यक्रमलेल निजी सचेतना गोष्टी कार्यक्रममे बजैत देव ई बात बतओलन्हि अछि।
समुदायमे रहल क्षय रोगीके पता लगाबएमे सरकारी तथा निजी स्तरके संयुक्त प्रयास पैग भूमिका निर्वाह कऽ सकैत अछि हुनकर कहब छलन्हि।
धनुषा जिलामे एखन ७० % धरि क्षय रोगिके पता लागि चुकल देव जानकारी देलन्हि अछि।
तहिना कार्यक्रमके सम्बोधित करैत हर्डक प्रतिनिधि श्याम कँडेल नियमित उपचारसँ ९० % क्षय रोगक निवारण भऽ चुकल जानकारि दैत एहिके ९८ % धरि पहुँचाबक लक्षय रहल उल्लेख कएलन्हि अछि।
नेपालक कुल जनसंख्याक ४० हजार व्यक्तिमे प्रत्येक वर्ष क्षय रोग विकास कऽ रहल कँडेल जानकरि देलन्हि अछि।
अपन संस्थाके तर्फसँ क्षय रोग निवारण कार्यक्रमकेलेल हरसंभव सहयोग करक कँडेल प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि।

सर्लाहीके हरिपुरमे दु सय लिटर घरेलु मदिरा नष्ट


सर्लाही, चैत १५ । सर्लाहीके हरिपुरस्थित ईलाका प्रहरी कार्यालय आइ दु सय लिटर घरेलु मदिरा नष्ट केलक अछि ।
 प्रहरी निरिक्षक नरेशराज सुवेदीके अनुसार चेक जाँचक क्रममे बरहथवासँ मलंगवादिस जाँ रहल ना २ ख ६१३० नम्बरक बसके सिट निचा बर्तनमे नुका क ऽ रखने  मदिरा भेटल छल । मदिरा लाबयबला व्यक्तिके पहिचान होबय नहि सकल आ बरामद मदिरा स्थानीय राजनीतिक दलक प्रतिनिधी तथा स्थानीयबासीके रोहवरमे नष्ट कएलगेल पुलिस जनौलक अछि ।

धनुषा आ सर्लाही सँ १६ गोटे पुलिसक नियन्त्रणमे


जनकपुर, चैत १५ । एसएलसीमे आइ  धनुषा आ सर्लाहीके बिभिन्न परिक्षा केन्द्र सँ १६ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
जाहि अन्तर्गत धनुषाके बहुर्वासँ १, बेल्हिसँ २, यदुकोहासँ २, खजुरीसँ २ गोटे क कुल ७ गोटे नकली परीक्षार्थीके  पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
अहिना, बिभिन्न परिक्षा केन्द्रमे अमर्यादित काज केने कहैत आइ ५ टा विधार्थीके  निष्कासित सेहो कएलगेल अछि । अहिना, न्यू आईडियल स्कुल जनकपुर केन्द्रसँ नकली निरीक्षक निर्मला देवीके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
एहन ब्यक्तिसभ उपर एखन धरि ३९ गोटे उपर सार्वजनिक अपराधक मुद्दा दर्ता कराओलगेल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा जानकारी देलक अछि ।
ओम्हर, प्रवेशिका एसएलसी परीक्षा  अन्तर्गत आइ भेल विज्ञान विषयक परीक्षाके क्रममे अमर्यादित एवं अनियमित काज केने आरोपमे सर्लाहीसँ सेहो ९ गोटेके गिरफ्तार कएलगेल अछि ।
 जिल्लाके विभिन्न ६ टा परीक्षा केन्द्रसँ ६ गोटे नक्कली विद्यार्थी २ गोटे  चिट चोराबयबला शिक्षक आ १ गोटे सुरक्षाकर्मी उपर अभद्र व्यवहार करयबला व्यक्तिके गिरफ्तार कएलगेल प्रहरी उपरीक्षक पूर्णचन्द्र जोशी बतौलनि ।
इ सहित सर्लाहीमे आइ पाँचम दिन धरिमे एसएलसी परीक्षामे अनियमित एवं अमर्यादित काज केने आरोपमे ९२ गोटे गिरफ्तार भेल अछि त सोमदिनधरिमे ५४ गोटे उपर सार्वजनिक अपराध ऐन अन्तर्गत म्याद थप कऽक कार्वाही प्रकृया आगु बढाओलगेल बताओलगेल अछि  

नव कार्यसमितिक पदाधिकारी चयन


जनकपुर, चैत १५ । श्री जानकी आँखा अस्पताल स्वतन्त्र कर्मचारी युनियन नव कार्यसमितिक पदाधिकारी चयन केलक अछि ।
जाहिके सँयोजकमे राजेन्द्र प्रसाद गोइत, अध्यक्षमे मनोज कुमार तिबारी, उपाध्यक्षमे मदन कुमार झा, सचिबमे सँतोष कुमार यादब आ कोषाध्यक्षमे सत्य नारायण साह रहल अछि ।
तहिना, कार्यकारिणी सदस्यसभमे शशिकान्त झा, सुभद्र मण्डल आ बैजु सुफल रहल युनियनद्धारा जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

महोत्तरीके सम्पुर्ण सरकारी कार्यालसभ बन्द


जलेश्वर, चैत १५   गाउँ विकास समिति महोत्तरीके एक सचिव उपर भेल साँधातिक हमलाक विरोधमे आइ महोत्तरीके सम्पुर्ण सरकारी कार्यालसभ बन्द कएलगेल छल ।
बन्द भेलास दुर दुर स काजक लेल आएल सेवाग्राहीसभ खाली हाथ घर घुरय  वाध्य भेल छल ।
अखिल तराई जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा गोइत समुह गाविस सचिव हकहित संरक्षण केन्द्र महोत्तरीके अध्यक्ष तथा दु गाविसके सचिव शिवराम पाण्डेके सोमदिन साँझ गोली मारि कऽ घाइल बनौने छल ।  वायह हमलाक विरोधमे कर्मचारी सम्बद्ध विभिन्न संगठन संघ युनियन मँचक आब्हानमे कार्यालयसभ बन्द कएने छल । कार्यालय खुलितो कर्मचारीसभ काम नहि केलाबाद सेवाग्राहीसभ खाली हाथ घुरय वाध्य भेल छलथि ।
सोमके साँझ जलेश्वर स काम क साइकल स अपन घर पिगौना जा रहल समय रास्तामे ढुका लागि कऽ  बैसल मोर्चाके दु गोट कार्यकर्ता गोली प्रहार केने छल । हुनकर पेटके बामा भागमे गोली लागि कऽ निकलल वताओलगेल अछि । हुनकर इलाज अखन जनकपुर अंचल अस्पतालमे भ रहल आ अवस्था खतरामुक्त रहल इलाजमे सँलग्न चिकित्सक बतौलक अछि।
वलवा पिपरा गाविसके सचिव पदक जिम्मेबारी सम्हारने पिगौना २ निवासी पाण्डेके गोईत निकट अखिल जन्तान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चाक पोलिट व्युरो सदस्य पृथ्वी कारवाही स्वरुप गोली प्रहार केने साचारकर्मीके टेलिफोन कऽक सोमके साँझे जिम्मा लेने छल । मोर्चा सचिव पाण्डे जिम्मेवारी सम्हारने गाविससभमे अनिमियतता केने आरोप लगौलक अछि ।
एम्हर, जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा राजन मुक्ति समुहक सदस्य भास्कर मुक्ति अपन पार्टी पाण्डेके कारबाही स्वरुप गोली प्रहार केने टेलिफोन क दाबी केलक अछि ।  

माओवादीक तीनु मजदुर संगठन बिघटन कएल जाएत


काठमाडौ, चैत्र १५ । माओवादी एकआपसमे पिटापिटके हदमे उतरल मजदूर भातृ संगठनके तीनु कमिटीके भंग क राष्ट्रिय सम्मेलन आयोजक समिति गठन करयके निर्णय केलक अछि ।
आइ बैसल माओवादी स्थायी समितिके बैसारस तीनु नेता अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल तथा उपाध्यक्षद्वय मोहन बैद्य आ डा‌. बाबुराम भट्टराई पक्षमे बनल तीनु समानान्तर संगठन भंग करयके निर्णय केलक अछि ।
 दाहाल समर्थित शालिकराम जमरकटेल, बैद्य पक्षक लालध्वज नेम्वाङ आ भट्टराई पक्षक बद्री बजगाई नेतृत्व केने मजदुर संगठनके समानान्तर संगठन खुललाबाद एक आपसमे पिटापिटके अबस्था श्रृजना भेल छल ।
 स्थायी समिति राष्ट्रिय सम्मेलन आयोजक समिति गठनके लेल तीनु संगठकनके नेतासभसंग बिमर्श  करत समेत उल्लेख केलक अछि ।
 प्रबक्ता दीननाथ शर्मा संवाददातासभके देने जानकारी अनुसार तराईमे हालेमे भेल श्रृंखलाबद्ध बम बिष्फोटके भर्त्सना करैत ओइके नियोजित बतौलक अछि । सँगहि विष्फोटन भेल स्थानसभमे माओवादी चैत २० गते बिरोध सभा करयके निर्णय समेत केलक अछि ।
 पार्टी भितरके विवाद बारे आगुके बैसारमे बिमर्श हाएत प्रबक्ता शर्मा बतौलनि । बैसार पुन बृहस्पतिदिन बैसत ।

पहिल सेमिफाइनल म्याचमे श्रीलंका आ न्युजिलैण्ड खेल रहल


कोलम्वो, चैत १५ । आइसीसी क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक पहिल सेमिफाइनल म्याचमे श्रीलंका आ न्युजिलैण्डबिच अखन खेल भ रहल अछि ।
कोलम्वोमे आइ नेपाली समय अनुसार पौने तीन बजे सँ शुरु भेल खेलमे न्युजिलैण्ड टँस जित कऽ पहिने ब्याटिङ केलक अछि ।
न्युजिलैण्ड टिम ४८ ओभर ५ बल खेलैत सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे २१७ रन बनाकऽ श्रीलँका समक्ष जितयके लेल २१८ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केने अछि ।
श्रीलँका टिमक मलिङा सर्बाधिक ३ बिकेट लेलनि अछि ।

अनुशासन आयोगद्धारा जानकारी माग


काठमाडौं, चैत १५ । नेकपा एमालेके अनुशासन आयोग पार्टी सभासद् किरणदेवी यादव अपन एसएलसी परीक्षामे बेटीके  सामेल करौने विषयमे यथार्थ जानकारी कराबय संसदीय दलके निर्देशन देलक अछि ।
आयोगके आइ बैसल बैसारमे संसदीय दलक प्रमुख सचेतक भिम आचार्यके पत्र पठाकऽ घटनाबारे यथार्थ जानकारी कराबय कहलगेल अछि ।
सभासद अपन बेटीके अपना बदला एसएलसी परीक्षामे सामेल करौने समाचार अएला स यथार्थ कि अछि से  जानकारी मँगने छी’-आयोगक अध्यक्ष अमृतकुमार बोहारा कहलनि ।
सभासद ओहन केने हाएत त  सामाजिक आचारण आ मर्यादा विपरित  तथा अत्यन्त दण्डनीय कार्य हाएत आयोग बतौलक अछि ।
एमालेके समानुपातिक कोटामे सभासद् बनल सर्लाहीके यादव बितल बृहस्पतिदिन स रबिधरि भेल तीन टा परीक्षामे अपन बेटीके सामेल करौने समाचासभ सार्वजनिक भेल छल । रबिदिन समाचार सार्वजनिक भेलाबाद सोमदिनक परीक्षामे सभासद यादव अपने उपस्थित छलथि ।

विवादित विषयके तीन खण्डमे वर्गिकरण


काठमाडौं, चैत १५ । संवैधानिक समिति राज्यके पुनःसंरचना तथा राज्य शक्तिके बाँटफाँट समितिमे रहल विवादित विषयके तीन खण्डमे वर्गिकरण केलक अछि ।
समितिके कार्यालय सिंहदरवारमे आइ बैसल बैसारस सामान्य, जटिल आ अति जटिल क विवादित बुँदाके तीन खण्डमे विभाजन केलक अछि । सामान्य विवादस बिमर्श सुरु कएल जाएत समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य जानकारी देलनि ।
समितिक प्रतिवेदनमे राज्यके सिमाङ्कन सहितक ७८ टा विषयमे विवाद रहल अछि । कांग्रेस सहितक दलसभ राज्यके सिमाङ्कनके लेल राज्यके पुनःसंरचना आयोग गठन करयके माँग करैत आएल अछि त माओवादी आ मधेसवादी दलसब समयके अभाव रहल कहैत आयोग गठन करय  नहि चाही बतबैत आएल अछि ।

शसस्त्र समूहसभसँग वार्ता करयके तयारी


काठमाडौं, चैत १५ । सरकार राजनीतिक आस्था राखयबला शसस्त्र समूहसभसँग वार्ता करयके तयारी केलक अछि ।
 शान्ति तथा पुर्ननिर्माण मन्त्री वर्षमान पुन अनन्त आइ मन्त्रालयमे पत्रकार सम्मेलन क वार्ताके तयारी भरहल जानकारी देलनि ।
अखन बहुतो शसस्त्र समूह वार्ताक लेल सम्पर्कमे आएल हुनक कहब छलनि । शान्तिमन्त्री अनन्त सरकार आपराधिक समूहसभसँग  वार्ता नहि करब प्रष्ट कएलनि ।
श्रोतक अनुसार मन्त्रालय एक-दु दिनमे  तराईमे रहल सशस्त्र समुहसभके वार्तामे आबय औपचारिक आहृवान करैत पत्रचार करयके तयारी क रहल अछि ।

परीक्षा दैते समय बच्चा जन्मल


काभ्रे, चैत १५ । काभ्रेके कोसी ओइपारस्थित प्रभा उच्च माविमे परीक्षा दैत समय एक परीक्षार्थी बच्चाके  जन्म देली अछि ।
आइ विज्ञान विषयक परीक्षा द ऽरहल अवस्थामे जागृति मावि केउरेनी विद्यालय सँ सहभागी नियमित तर्फके १८ वर्षक लोकमाया गौतम बेटाके जन्म देलीह अछि ।
नवजात शिशुके नाम विज्ञान राखलगेल जिल्ला शिक्षा अधिकारी रामशरण सापकोटा जानकारी देलनि अछि ।

Monday, March 28, 2011

प्रचण्ड निवासमे दाहाल-बैद्य पक्षक दिवा भोज


काठमाण्डौ, चैत १४ । पार्टी फुटके हल्लासंगै पार्टीभितरके तीनु पक्ष आरोप प्रत्यारोपमे उतैर रहल समय माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड अपना निकट आ वैद्य पक्षके नेतासभके आइ अपने निवासमे दिवा भोज देलनि अछि ।
नयाँबजारमे आयोजना भेल उच्चस्तरीय लन्च मिटिङमे उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण, महासचिव रामबहादुर थापा बादल, उपप्रधानमन्त्री कृष्णबहादुर महरा, नेत्रबिक्रम चन्द बिप्लव, बर्षमान पुन अनन्त, हरिबोल गजुरेल, शक्ति बस्नेत सहितक नेतासभ संलग्न अछि ।
दिवा भोजमे बाबुराम भट्टराई पक्षक कोनो नेतासभ सहभागी नहि छलथि । नेता आ हुनकर अंगरक्षक समेतके नयाँबजारमे भोज खाए लेल  बजाओलगेल छल ।
पछिला समयमे पार्टी संगठनमे सक्रिय रहल उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई पार्टी फुटाबय लागल कहि शसंकित भेल संस्थापन पक्ष पछिला समयमे पार्टीभितर देखलगेल परिस्थीतिबारे बिमर्श करत माओवादी उच्चस्रोत जनौलक अछि । पार्टी फुटके हल्ला चला कऽ बाबुरामके कारवाही करयके आधार तयार करय संस्थापन पक्ष लागिरहल आरोप बाबुराम पक्ष लगारहल समयमे भेल इ लन्च मिटिङके अर्थपूर्ण रुपमे लेलगेल अछि ।

सकारात्मक भूमिका निर्बाह करय सन्चारकर्मीसभ सँ राष्ट्रपतिक आग्रह


काठमाण्डौ, चैत १४ । राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव समयमे नयाँ संविधान जारी करय सकारात्मक भूमिका निर्बाहके लेल सन्चार माध्यमसभसँ आग्रह कएलनि अछि ।
फ्रिडम फोरम नेपालके राष्ट्रिय सम्मेलनके आइ भिन्सर काठमाडौंमे उदघाटन करैत राष्ट्रपति यादव जेठ १४ भितरे शान्तिप्रक्रिया आ नयाँ संविधान जारी करयके वातावरणके लेल राजनीतिक दलसबके दवाव देबय सब पक्षसँ आग्रह कएलनि । दलसभबीचक बेमेलसँ नयाँ संविधान समयमे जारी हाएतमे शंका बढल हुनक कहब छलनि ।
नागरिकके सूचना भेटयके हकके सहज बनाबय ओ सब सन्चारकर्मीके सुझाव देलनि । सब नागरिक राज्यद्वारा निर्देशित सूचना विना अवरोध पाबय उपर हुनक जोड छलनि ।
कार्यक्रममे उपप्रधान तथा सन्चारमन्त्री कृष्णबहादुर महरा अन्तरिम संविधानमे उल्लेख भेल सूचनाके हक सम्बन्धी ऐन कार्यान्वयन करयके प्रतिबद्धता जनौलनि ।
सम्मेलनमे दक्षिण एसियाके विभिन्न आठ देशक प्रतिनिधि सहभागी अछि । सम्मेलनके सहभागिसभ सूचनाके हकमे नागरिकके सहज पहुँच सम्बन्धि कार्यपत्र प्रस्तुत करत ।

दुर्गानन्द स्मारक निर्माणक सम्वन्धमे बिमर्श


जनकपुरधाम, चैत १४ । नेपालक पहिल गणतन्त्रवादी शहीद दुर्गानन्द झाकेँ जानकी मन्दिरक पार्कमे स्मारक निर्माण काज शुरु होइते विभिन्न अवरोध सभ अवि रहल समयमे स्मारक निर्माण समिति पार्केमे स्मारक निर्माण करव जनौलक अछि ।
जनकपुर नगरपालिकाक सभाकक्षमे आयोजित एक बिमर्श कार्यक्रममे निर्माण समिति सँ अवद्ध बक्तासभ स्मारक निर्माणकलेल जानकी मन्दिरक महन्थसँ सेहो समर्थन लेल गेल बतौलनि । तहिना, विभिन्न पार्टी एवं नागरिक समाजक सेहो समर्थन रहल अछि ।कार्यक्रममे अदालती प्रक्रिया सेहो आगा बढाएबके  जानकारी देलगेल ।

समारोहमे स्मारक निर्माण समितिक संयोजक राजेश्वर नेपाली, पूर्व सांसद शिवधारी यादव, पूर्व सांसद अरविन्द ठाकुर, नेपाली काँग्रेस नगर समितिक सभापति धीरेन्द्र मोहन झा, तरुण दलक केन्द्रीय सदस्य प्रफ्ल्ल राज घिमिरे सहितक बक्तासभ वाजल छलथि ।

छिनल मोवाइलक निर्णय परीक्षाक वाद करब: एसपी


जकपुरधाम, चैत १४ । एसएलसी परिक्षार्थीसभ सँ  करिब ४ सयके सँख्यामे नियन्त्रणमे लेल गेल मोवाइल फोनके  निर्णय परीक्षाक वाद करब धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक दिनेश आमात्य बतौलनि अछि ।
पुलिस नियन्त्रणमे लेने मोवाइलकेँ की कएल जायत चर्च चलिरहल समयमे धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक आमात्य परीक्षा समाप्तक बेलावाद मोवाइल सम्वन्धमे निर्णय करव जानकारी देलन्हि  
मोवाइल नियन्त्रण करयकेँ उद्देश्य परीक्षाकेँ मर्यादित बनायव मात्र रहल ताहिद्वारे नियन्त्रणमे लेल गेल प्रहरी उपरीक्षक बतौलनि ।
परीक्षा समितिमे प्रहरी उपरीक्षक अतिरिक्त प्रमुख जिल्ला अधिकारी आ जिल्ला शिक्षा अधिकारी रहल अछि । पुलिसद्वारा मोवाइल नियन्त्रणमे लेलाकवाद विद्यार्थीसभके दिक्कत महसुस भ रहल अछि । बहुतो गोटे परीक्षाकवाद मोवाइल फिर्ता करय परत मांग कऽ रहल अछि ।

प्रधानमन्त्री आ राष्ट्रसंघीय अधिकारी बीचक बिमर्श सम्पन्न


काठमाण्डौ, चैत १४ । नेपालक शान्ति प्रक्रियाक विषयमे राष्ट्रसंघीय अधिकारी आ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल बिच आइ बिमर्श भेल अछि ।
भिन्सर प्रधानमन्त्रीक सरकारी निवास बालुवाटारमे भेल बिमर्शमे अनमिनकेँ विदाइके वाद भऽ रहल शान्ति प्रक्रियाक काज आ राष्ट्र संघ कऽ सकयवला सहयोगक विषयमे बिमर्श  भेल जनाओल गेल अछि ।
राष्ट्रसंघक एशिया क्षेत्र देखयवला विकास प्रतिनिधि स्यामुएल ताम्राट आ राष्ट्रसंघक नेपाल स्थित आवासिय प्रतिनिधि रोवट पाइपर प्रधानमन्त्री खनाल सँ बिमर्श  कएने प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवलाय जनौलक अछि ।

प्रधानमन्त्री बनयकेँ हमर सपना नहि अछि: नीतीश


पटना, चैत १४ । विहारक विकास अपन जिम्मेदारी आ प्राथमिकतामे रहल कहैत मुख्य मन्त्री नीतीशकुमार अपनाके प्रधानमन्त्री बनयकेँ सपना नहि रहल बतौलन्हि अछि । ओ जनताकेँ सेवा करय चाहि रहल धारणा रखने  छलथि ।
नीतीश कहलन्हि जे अपने प्रधानमन्त्री बनयकेँ सपना नहि देख रहल छी । विहारक जनता अपनाके जिम्मेवारी दऽ रहल अछि आ ओहिके पूरा केनाइ हमर राजधर्म अछि ।
मुख्यमन्त्री नितिश रंगरेज आर्टिजन एवं अति पिछडा मुस्लिम बेदारी सम्मेलनकेँ सम्वोधन करैत कहलनि जे ओ मुख्य मन्त्री  प्रधानमन्त्री बनयकेँ सपना लम्वा समयधरि देखैत रहि जाइत अछि तऽ ओ नहिए पीएम बनय सकैत अछि आ नहिए सि एम   । ओ भविष्यमे की हैत से केउ नहि जनैत छैक कहैत आइकेँ समयमे हमरा जे काज भेटल अछि ओहिकेँ पूरा करवाक अछि । विहारक जनताकेँ सेवा करवाक अछि बतौलनि ।

माईक्रो बसमे बम बिस्फोट, एक गोटेके मृत्यु


नवलपरासी, चैत १४ । बुटवलमे बाट पर चलि रहल एकटा माईक्रो बसमे बम बिस्फोट भेलास घाइल भेल मे स एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु भेलके पहिचान होबय नहि सकल अछि ।
 २५-२६ वर्षक घाइल ओ पुरुषके इलाजक लेल काठमाण्डौं ल जएबाक क्रममे नवलपरासीके गैडाकोटमे पहुँचला पर हुनक मृत्यु भेल अछि । शवके अखन लुम्बिनी अँचल अस्पतालमे राखलगेल अछि । भैरहबा स बुटवल दिस जा रहल लु १ ख ३६६६ नम्बरक माईक्रोबसमे बुटवलके मिलनचोकमे विष्फोट भेल छल । विष्फोटमे परि २३ गोटे घाइल भेल अछि । घाइलसबहक बुटवल, काठमाण्डौं आ भरतपुरमे इलाज भ रहल अछि ।

एसएलसीके चारिम दिन समाजिक बिषयके परिक्षा भ रहल


काठमाण्डौ, चैत १४ । प्रवेशिका परिक्षा एसएलसी के आइ चारिम दिन विद्यार्थीसभ सामाजिक बिषयके परिक्षा द रहल अछि ।
भिन्सर ८ बजे स सुरु भेल१ परिक्षामे देशभरि स नियमित तथा एक्जाम्टेड क ४ लाख ९६ हजार  परीक्षार्थी सहभागी अछि ।  चारिम दिनके परिक्षा छिटफुट घटना बाहेक शान्तिपूर्ण रुपमे चलिरहल परिक्षा नियन्त्रण कार्यालय जनौलक अछि । याह चैत १० गते स शुरु भेल अहि बर्षक एस एल सी परिक्षा १८ गतेधरि चलत ।

भारतीय संसद टोली भेटवार्तामे


काठमाण्डौ, चैत १४ । नेपाल भ्रमणमे आएल भारतीय युवा सांसदसभहक टोली राजनीतिक भेटवार्ता जारी रखने अछि । संविधान निर्माण सङ्घीयता सहितक विषयमे अनुभव आदानप्रदान करय नेपाल आएल टोली आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँग भेटवार्ता क रहल अछि ।
बेरियामे प्रधानमन्त्री कार्यालय सिंहदरबारमे होबय लागल बिमर्शमे नेपालमे भ ऽरहल संविधान निर्माण आ शान्ति प्रकि्रयाके विषयमे बिमर्श हाएत । टोली काल्हि संविधानसभाक अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङसँग बिमर्श केने छल ।  भारतीय सांसदसभहक टोली विभिन्न राजनीतिक दलक नेतासभसँग सेहो बिमर्श करत ।

कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार आइ सेहो बैसत


काठमाण्डौ, चैत १४ । प्रमुख प्रतिपक्ष नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार आइ सेहो जारी रहयबला अछि ।
 बेरियाके एक बजेबाद पार्टी कार्यालय सानेपामे बैसय लागल बैसारमे पदाधिकारी मनोनयन भातृसंगठनके विवाद समाधानक विषयमे बिमर्श हाएत । कौल्हुका बैसारमे भ्रातृसंगठन नेपाल विद्यार्थीसंघ नेविसंघके विघठन करयके प्रस्ताव रखने छल । आइ वायह बिषय सभपर बिमर्शके आगु बढाओल जाएत कांग्रेसक नेता लक्ष्मण घिमिरि जानकारी देलनि ।
 भ्रातृसंगठनमे विवाद बढैर गेलाबाद कांग्रेस ओइके विघटनके तयारी सेहो केलक अछि । मुदा शेरबहादुर देउवा पक्ष ओइमे असन्तुष्टि जनबैत आएल अछि । केन्द्रीय सदस्यसभ ओइके धारणा रखलाबाद पारित कएल जाएत घिमिरे बतौलनि । बैसारमे आओर राजनीतिक विषयमे सेहो बिमर्श हाएत ।

राज्य पुनसँरचनाक विषयमे संवैधानिक समितिमे बिमर्श


काठमाण्डौ, चैत १४ । राज्य पुनसँरचरना सम्बन्धमे आओर बिमर्श करय संवैधानिक समितिक बैसार बैसय जा रहल अछि ।
राज्य पुनस्रंरचना आ राज्य शक्तिके बाँटफाँट समितिमे मात्रे ७८ टा विवादित विषय अछि । प्रमुख दलसभहक बीचमे प्रदेशके नामाकरण आधार आ अधिकारक विषयमे मतभेद रहल अछि ।  एकीकृत नेकपा माओवादी आ मधेसवादी दल संविधान लेखनके समय एकदमे कम भेला स राज्य पुनस्रंरचना आयोग गठन केला पर संविधान नहि बनत बतबैत आएल अछि त नेपाली काँग्रेस आयोग गठन करयके अडान रखैत आएल अछि ।
अखने किछकाल बादमे सिँहदरबारमे बैसय लागल बैसारमे आइ सेहो दलसभहक वायह अडानमे रहि क बिमर्श हाएत । बैसारमे प्रधानमन्त्री सहित सब दलक शीर्ष नेतासभहक सेहो सहभागिता रहत । सब सदस्यसभ अपन धारणा रखलाबाद निस्कर्ष निकालल जाएत । राज्य पुनसर्ंचना महत्वपूर्ण विषय भेलास बिमर्श किछदिन लम्बा हाएत बताओलगेल अछि ।

चीनके ल ऽक दुनियाभरिके देशमें बढल बेचैनी


एजेन्सी, चैत १४ । बीबीसी वर्ल्ड सर्विस दुनियाभरिमें केने  एक सर्वेक्षणके अनुसार चीनके बढ़ैत आर्थिक ताक़तके लऽ बहुतो देशके चिंता बढ़ि रहल अछि ।
सर्वेक्षणमें चीनके बढ़ैत आर्थिक ताक़तके ख़राब मानयबलाके संख्यामें बढ़ोत्तरी भेल अछि । ख़ास कऽ चीनस पैघ सँख्यामे कारोबार करयबला जी-7 देशमें ऐहन मानयबलाके संख्यामें बेसी वृद्धि भेल अछि ।
बीबीसीके लेल इ सर्वेक्षण ग्लोबस्कैन आ प्रोग्राम ऑन इंटरनेशनल पोलिसी एटीट्यूट   केने छल आ अइमे २७ देशके २८ हजार ६ सय १९ गोटे स २ दिसंबर, 2010 स ४ फ़रवरी, 2011 के बीच बातचीत भेल छल ।
इ सर्वेक्षण बतबैत अछि जे चीनके छवि अनुचित तरीका अपनाबय बलाके बनि रहल अछि । अहिस ओकरास कारोबार करयबला बड़का देश दूर भ सकैत अछि आ  सँगहि सैन्य क्षेत्रमें विस्तार पर पड़ोसी देश चौकन्ना नजर  राखिरहल अछि ।
पाकिस्तानक ६४ प्रतिशत लोग मानैत छथि जे चीनके ताक़त बढि रहल अछि । तहिना, भारतमें २००५ मे ६८ प्रतिशत मानने भारतियसभ आब ५३ प्रतिशत मात्रे मानैत छथि जे चीनके ताकत बढिरहल अछि ।
बीबीसी वर्ल्ड सर्विस  2005 में केने एक सर्वेक्षणके अनुसार चीनके आर्थिक ताक़त बढ़य पर  नहि निक मानयबलाके संख्या कनाडामे ५५, जर्मनीमे ५३ , ब्रिटेनमें ४१ , मैक्सिकोमें 43 प्रतिशत आ फ्रांसमें 31 स बढ़ि क़ऽ ५३ प्रतिशत भेल अछि ।

चीन रोकलक गूगलके जी मेल सर्विस- बिज्ञान


हॉन्गकॉन्ग, चैत १४ ।  इंटरनेट सर्च इंजिन गूगल चीन पर ओकर जी मेल सर्विसमें बाधा उत्पन्न केने  आरोप लगौलक अछि । मुदा चीन  इ आरोपके अस्विकार केलक अछि ।
चीन सरकार जी मेल सेवाके चलय नहि द रहलास बितल किछ हफ्ता स ओतय लोग जी मेल पर अपन संदेश नहि  देखय  पाबि रहल गूगलके कहब अछि । कंपनीके अनुसार चीन सरकार अहिके ऐना देखाबयके  कोशिस क रहल अछि, जेना कोनो प्रबिधिके गड़बड़ी होए , मुदा ओ ऐना  जानि बूझि क केने जनौलक अछि ।
चीनमें गूगलके जी मेल सेवाके प्रयोग करयबलासभ कंपनीसँ जीमेल में लगइन होइतो मेल देखय आ पठाबय नहि सकिरहल कहैत शिकायत केलक अछि ।
ओम्हर, चीन सरकार गूगलके अहि आरोपके अस्विकार केलक अछि । चीनके विदेश मंत्रालयके प्रवक्ता जियांग यू कहलनि जे इ आरोप सरासर गलत अछि । अहिके  कोनो हालतमें स्वीकार नहि काएल जा सकैय ।


Sunday, March 27, 2011

जनकपुरक थापा चौक पर स्थानिय युबासभ केलक सडक जाम


जनकपुर, चैत १३ । जनकपुरक थापा चौक पर स्थानिय युबासभ सडक जाम केने अछि ।
थापा चौक स्थित नाला आ सडक निर्माणमे स्थानिय निकाय कोनो उत्सुकता नहि देखौने कहैत स्थानिय युबासभ बाट जाम केने अछि । सडक आ नाला निर्माणक लेल रकम निकासा होइतो काज नहि भेल कहैत आक्रोशित युबासभ बाट अबरुद्ध केने अछि । बाट जामक कारण अखन ओइठाम दर्जनौ सबारी साधन जकथक परल अछि ।

लिबियामे आक्रमण


बाबुराम पार्टी फुटाबय लागल कहैत एसएमएस


काठमाण्डौ, चैत १३ । पार्टीभितरके तीन नेतावीच बैचारिक बिभेद बढिरहल समयमे माओवादी भितर पार्टी बिभाजनके त्रास फैलय लागल अछि ।
अध्यक्ष प्रचण्ड युवा नेतासभके बजाकऽ बाबुराम पार्टी फुटाबय लागल कहने किछुए दिनबाद पश्चिम क्षेत्रके कार्यकर्तासभ मोवाइलमे बाबुराम पार्टी बिभाजन क रहल अछि कहि कऽ एसएमएस एक देसरके पठाबय लागल अछि ।
बाबुराम पार्टी फुटाबय  लागल हल्ला फैललाबाद हुनका स भेटय आइ भट्टराई निवास सानेपा पहुँचल विभिन्न जिल्लास आएल एकीकृत नेकपा माओवादीक कार्यकर्तासभ उपाध्यक्ष भट्टराईसंग सामुहिक भेटघाट केलक अछि । जवाफमे भट्टराई निहित उदेश्यके साथ बाबुराम पार्टी फुटारहल अछि जेहन भ्रामक प्रचारबाजी सुरु भेल कहैत अपने अन्तिम समयधरि सेहो पार्टी एकताके लेल लडैत रहब बतौलनि ।
कार्यकर्तामे त्रास सिर्जना कऽक पार्टी कव्जा करयके अभियान अन्तर्गत इ दुष्प्रचार अभियान चलाओलगेल बतौलनि । विगतमे सेहो बेर बेर अन्यायपूर्ण तरिका स कार्वाही कऽक पार्टी फुटाबय वाध्य करितो अपमान सहियो क पार्टी एकताके लेल तिसौं वर्ष स संघर्ष करैत  आएल व्यक्तिके पार्टी फुटाओत कहनाई झुटके खेती बाहेक आरो किछ नहि अछि  भट्टराई कहलनि ।

बाँकेके सुकुम्वासीसभ आइ धर्ना द रहल


बाँके, चैत १३ । बाँकेके सुकुम्वासी भूमिहीन तथा अब्यबस्थित बसोवासीसभ आइ नेपालगँजमे र्याली सहित जिल्ला मालपोत कार्यालयमे धर्ना द ऽ रहल अछि ।
नेपाल सरकार भूमि सुधार मन्त्रालय अन्र्तगत गठन भेल सुकुम्वासी समस्या समाधान आयोग बाँके सुकुम्वासीके नाममे सुकुम्वासी आ भूमिहिनसभके जमिन देब कहि कऽ प्रलोभन देखा जमिन नाप जाँच करैत अखनधरि कोनो ठोस काज नहि केला सँ अपनेसभ आन्दोलनमे उतरय बाध्य भेल सुकुम्वासी भूमिहिन तथा अव्यबस्थित बसोवासीसभ बतौलनि अछि ।
किछदिन आगु आन्दोलनके कार्यक्रम घोषणा केने सुकुम्वासी तथा भूमिहिनसभ आइ र्याली सहित धर्ना दऽ रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन