Sunday, November 06, 2011

भगौडा लडाकूके सैनिक ऐन लागत


२० कात्तिक, काठमाडौँ । नेपाली सेनाक महानिर्देशनालय अन्तर्गत समायोजन हाएत कहलगेल माओवादी लडाकूसब तालिमके क्रममे बीचेमे भागत तऽ ओकरासब उपर सैनिक ऐन लागत नेपाली सेनाक अधिकारी बतौलक अछि ।

नेपाली सेनाक एक उच्च अधिकारी कहलनि जे- समायोजनके लेल तालिम आ ब्रिजिङ कोर्ष शुरु भऽ गेलाबाद तालिम छोडि कऽ भगला पर ओकरासब उपर भगौडा अन्तरगत सैनिक ऐन बमोजिम कारवाही हाएत ।मुदा, तालिम, कोर्ष पूरा कऽ क प्रक्रियामे आबिगेलाबाद लडाकूसब सेहो नेपालीके बेटाबेटी भेलासँ मोहन वैद्य पक्ष कहने जका वनपालेमे मात्रे सीमित नहि भऽ आरो सेनासरह वृत्ति विकास करय, प्रमोशन होबय आ सिंहदरबार या शान्ति सेनामे जाएके लेल ओकरासब उपर कोनो भेदभाव नहि हाएत ओ बतौलनि ।

तत्कालक लेल वन सुरक्षा, औद्योगिक सुरक्षा आ दैवीप्रकोपमे खटाओत कहलगेल होइतो भविश्यमे ओसब सिंहदरबार या हेडक्वाटरमे खटय नहि पाओत से अखने कहल नहि जा ऽ सकैय ओ बतौलनि ।

सेनामे १० हजार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ छोडबः गच्छदार


२० कात्तिक, राजविराज । उपप्रधानमन्त्री विजयकुमार गच्छदार नेपाली सेनामे १० हजार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ छोडब बतौलनि अछि ।

सप्तरीके बरमझियास्थित सशस्त्र प्रहरीके दन्तकाली गणके निरीक्षणके बाद सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत गच्छदार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ अलगे मधेसी रेजिमेन्ट कायम कएल जाएत बतौलनि ।

रक्षान्त्रीके हैसियतसँ नेपाली सेनामे १० हजार मधेसी युवाके समावेश हम कराएबरक्षामन्त्रीक समेत कार्यभार सम्हारैत आएल गच्छदार कहलनि-अहि सम्वन्धमे कांग्रेस-एमालेसँग अपिल कऽ चुकल छी, माओवादीसँ तऽ हमरासबहक सम्झौते भऽ गेल ।ओ सेनाके लोकतान्त्रीकीकरण करय लेल सब जातजातिके सेना बनेनाइ आवश्यक रहल सेहो बतौलनि ।

फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष समेत रहल उपप्रधानमन्त्री गच्छदार माओवादीसँग भेल ४ बुँदे सहमतिके राष्ट्रघाती कहयबलाके इटके जवाफ पत्थरसँ देबयकेचेतावनी देलनि ।

दलसबसँग शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण बाहेक कोनो विकल्प नहि रहल कहैत ओ संविधानसभाक म्याद अन्तिम बेरक लेल छ महिना म्याद थपब सेहो बतौलनि । ओ सातबुँदे सहमति कडाइके साथ कार्यान्वयन करय गृह प्रशासन लागि परत बतौलनि ।

राजनीतिक उद्देश्य लेने सशस्त्र समूहसँग वार्ता कऽ राष्ट्रिय राजनीतिके मूलधारमे लाबय सरकार प्रयासरत रहल बतबैत उपप्रधानमन्त्री गच्छदार कहलनि-राजनीतिक आवरणमे अपराध करयबला सशस्त्र समूहसँग कोनो वार्ता नहि हाएत, ओकरासब उपर कारबाही कएल जाएत।

बिभिन्न राजनैतिक दलसब भर्तस्ना केलक


२० कातिक जनकपुर । जनकपुरमे आइ होबयबला एक बैसारमे कार्यकारी अधिकृतक उपस्थिति नहि भेलासँ बैसार स्थगित करय परल कहैत बिभिन्न राजनैतिक दलसब भर्तस्ना केलक अछि ।

राजनैतिक दलक प्रतिनिधिसबहक माँग बमोजिम  सर्बदलिय सँयन्त्रके २ बुन्दे माँग राखि बुझाओलगेल ज्ञापन पत्र अनुसार आइ बैसल बैसारमे जनकपुर नगरपालिकाक कार्यकारी निर्देशक सुर्य कान्त झा के उपस्थित होबयके छल । मुदा झा अनुपस्थित भेलाबाद जनकपुर नगर पालिकाक इन्जिनियर बिरेन्द्र यादवक  अध्यक्षतामे बैसल बैसार का्र्यकारी अधिकृत झा के अनुपस्थिति रहल कहैत बैसार स्थगित भेल छल ।

सँगहि ओ बैसारमे झा उपस्थित नहि भऽ तुक्ष ब्यबहार देखौने आ दलिय प्रतिनिधिके अवहेलना केने कहैत घोर भर्तस्ना करैत बिज्ञप्ति जारी कएल गेल अछि । करिब डेढ दर्जन दलक प्रतिनिधिद्धारा हस्ताक्षरित बिज्ञप्तिमे हाल कर्मचारीसबहक मिलीभगतमे जनकपुर नगर पालिकामे भऽ रहल ब्यापक अनियमितता बिरुद्ध राजनैतिक दलक प्रतिनिधिसब भण्डाफोर, सँघर्ष आ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगमे बिमर्श कऽ कार्य योजना आगु बढाबय जाऽ रहल उल्लेख अछि । 

सदस्यसब विदेश गेलाबाद विशेष समितिक बैसार स्थगित


२० कात्तिक, काठमाडौं । सेना समायोजन विशेष समितिके आजुक बैसयबला बैसार स्थगित भेल अछि । विशेष समितिक अधिकांश सदस्यसब विदेश भ्रमणमे रहलासँ बैसार स्थगित कएलगेल अछि ।

विशेष समितिक सदस्यसब इश्वर पोखरेल, डा. रामशरण महत, जेपी गुप्ता आ जितेन्द्र देव देश वाहर छथि । आजुक बैसारमे सचिवालय माओवादी लडाकूसबहक पुनःस्थापना प्याजेकके विस्तृत कार्ययोजना पेश करयके कार्यसूची छल ।

शुक्रदिन बैसल विशेष समितिक बैसारसँ दु दिन भितर पुनःस्थापना प्याकेजके विस्तृत कार्ययोजना पेश करय सचिवालयके निर्देशन देने छल । दलसबबीच भेल सातबुँदे सहमतिमे पुनःस्थापनामे जाएबलासबके शिक्षा, तालिम तथा व्यवसायिक अवसरसबहक प्याकेजके विकल्प देबयके उल्लेख अछि । एहन प्याकेज ६ सँ ९ लाखधरिके हाएत ।

सेना समायोजन विशेष समिति कार्तिक ३० गतेसँ लडाकूसबहक पुनःवर्गिकरण करयके निर्णय अहिसँ आगुए कऽ चुकल अछि ।

विद्या वालन







‘देशेमे रहि कऽ काम करुः प्रधानमन्त्री


काभ्रे , कार्तिक २० । प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई प्रत्येक साल पैघ संख्यामे दक्ष जनशक्ति बिदेश पलायन भऽ रहल प्रति चिन्ता व्यक्त करैत देशेमे रहि कऽ काम करय आग्रह कएलनि अछि ।

काठमाडौं विश्वविद्यालयके सत्रहम् दीक्षान्त समारोहमे दीक्षित बिद्यार्थीके सम्बोधन करैत आइ ओ इ आग्रह कएलनि अछि ।

शान्ति प्रक्रिया तार्किक निष्कर्षमे पहुँचय लागल बतबैत भट्टराई शान्तिके बाद दक्ष जनशक्तिके आबश्यक्ता परलासँ अवसर आ कामके खोजीमे बिदेश पलायन नहि भऽ देशेमे रहि कऽ काज करय बिद्यार्थी बिच आग्रह कएलनि ।

चालक औँघेलासँ बस दुर्घटना, दु गोटेके मृत्यु


दाङ, कार्तिक २० । दाङमे आइ भेल बस दुर्घटनामे परि २ गोटेके मृत्यु भेल अछि । अन्य सात गोटे घाइल भेल अछि ।

मनकामना भ्रमणसँ दाङ घुरिरहल रा १ ख ५१८ नम्वरक वस पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत दाङके चैलाही-१ अर्नहवा पुलमे दुर्घटना भेलासँ दु यात्रुके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे बस चालक हलवार १ पर्सेनीके २८ वर्षक युवराज विक आ सहचालक मानपुर-१ के २४ वर्षक पर्वत रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय लमहीक प्रहरी निरीक्षक हरिदास श्रेष्ठ जानकारी देलनि ।

दुर्घटनामे नारायणपुरके सिता सिजवाल, सुवास खड्का, लक्षमण शाह, ढिकपुरके सुनिल विक, नारायणपुर-४ चाँगुके सिता केसी घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि ।

घाइलसबके प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र लमहीमे प्राथमिक इलाजक बाद थप इलाजक लेल नेपालगञ्ज रेफर कएल गेल अछि । बस चालक औघेलासँ दुर्घटना भेल यात्रुसब बतौलक अछि ।

बसमे २७ यात्रु सवार छल । बस सडकसँ ५० मिटर निचा  पुलके निचा खसल छल ।

छ महिनाभितर संविधान जारी हाएतः आचार्य


२० कात्तिक, काठमाडौं । संवैधानिक समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य ६ महिना भितरमे संविधान जारी हाएत दावी कएलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सभापति आर्चाय कार्तिक १५ गतेके सम्झौताबाद दलसब सहमतिके बाटमे आगु बढलासँ ६ महिनाभित्रेमे संविधान जारी हाएत दावी कएलनि ।

संविधान जारी करय ६ महिना संविधानसभाके म्याद थपय परत कहैत ओ कहलनि जे बाँकी छ महिनामे चुनाव कऽ क लोकतान्त्रिक ब्यवस्था संस्थागत हाएत ।राज्य पुर्नसंरचनाक लेल विज्ञसबहक समिति गठन करयके सहमति भऽ चुकल कहैत सभापति आचार्य निर्वाचन प्रणाली आ शासकीय प्रणालीमे समेत मिश्रित प्रणाली होबयके विषयमे दलसब सहमति नजदिक पहुँचगेलासँ आगामी ६ महिनामे संविधान जारी कएल जा सकैय हुनक तर्क छलनि ।


जनजाति महासंघक दोसर राष्ट्रिय भेला २४ गते


२० कात्तिक, काठमाडौं । नेपाल आदिवासी जनजाति महासंघक दोसर राष्ट्रिय भेला कार्तिक २४ गते सिन्धुपाल्चोकके चौतरामे होबय लागल  अछि ।

दु दिनधरि चलयबला राष्ट्रिय भेलासँ आदिवासी जनजातिके अधिकार सुनिश्चित भेल संविधान अगहन १४ गते जारी कराबय दबाव तथा परिणाममुखी आन्दोलन कार्यक्रमसब तय कएल जाएत ।

भेलामे आई एल ओ १६९ के कार्यन्वयन कराबय रणनीति तयार करयके सँगहि जनगणना २०६८ के परिणाम, निर्वाचन आयोगसँ वितरित मतदाता परिचयपत्र बारे समिक्षा हाएत । वर्तमान राजनीतिक अवस्थाबारे साझा अवधारणा तयार करैत आदिवासी जनजातिके अधिकार सम्बन्धि घोषणापत्र तयार कऽ क जारी कएल जाएत ।

विश्व साइकलयात्री दाहाल बेलायतमे भेटघाटमे व्यस्त


२० कातिक लण्डन । शान्तिके अग्रदुत गौतम बुद्ध नेपालमे जन्म भेल, विश्व शान्ति, सबके लेल समान शिक्षा आ वातारण प्रदुषण रोकयके नाराके साथ बिश्व साइकल यात्रामे निकलल सौरभ दाहाल हाल बेलायतमे भेटघाटमे व्यस्त छथि ।

बेलायत फोक्सटन क्षेत्र आ ब्रीटिश क्याम्पमे रहल नेपालीसबसंग अपन यात्राके मुख्य उद्धेश्यके वारेमे वतारहल दाहाल बेलायतके बि्रटिश बोर्डकाष्ट रेडियोमे तिन घण्टा अन्तरबार्ता दऽ क गौतम बुद्ध ,सगरमाथा आ विश्व शान्तिबारे अपन धारणा रखने छलथि ।

अष्ट्रलियासँ बेलायत पहुँचल दहालके बेलायतके लन्डन ,स्कटलेण्ड आयरलेण्ड होइत पाँच महिनाबाद फ्रान्स जएबाक कार्यक्रम अछि ।

नव निर्मित भवनक उद्घाटन


२० कातिक जनकपुरधाम । धनुषाक लक्ष्मीपुर बगेवा ९ स्थित  श्री राष्ट्रिय प्राथमिक बिद्यालय निकालमे आइ नव निर्मित भवनक उद्घाटन कएल गेल अछि ।

जापानक दाता मुनरो मासुदा आ रोजी कोभीके आर्थिक सहयोग तथा स्थानिय जगदेव यादवक जमिनक सहयोग पर नव निर्मित भवनक आइ उद्धघाटन कएल गेल अछि ।

उद्धघाटन कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि डा चन्द्र मोहन यादव आ दाता मुनरो मासुदाक उपस्थितिमे सम्पन्न भेल छल ।

प्रधानसेनापति चीन भ्रमण पूरा कऽ स्वदेश फिर्ता


२० कात्तिक, काठमाडौं । प्रधानसेनापति छत्रमान सिंह गुरुङ चीन भ्रमण पूरा कऽ आइ स्वदेश घुरल छथि । चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक प्रमुख चेन विङदेक निमन्त्रणम १३ गते ओइदिस प्रस्थान कएने छलथि

भ्रमणक क्रमम नेपाली सेनाक छाउनीस्थित वीरेन्द्र अस्पतालके आधुनिक उपकरणसबसँ सुसज्जित करय ४ करोड ९० लाख चिनियाँ युआन अर्थात करिब ६० करोड २७ लाख बराबरक सैनिक सहयोग उपलव्ध कराबयके प्रोटोकलम हस्ताक्षर भेल छल

प्रधानसेनापति गुरुङ चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक उच्च अधिकारीसबसँ भेटवार्ता कएने छलथि तऽ विभिन्न गणक अवलोकन भ्रमण कएने छलथि

facebook Page Like

  • मनोरँजन