Tuesday, November 29, 2011

संविधानसभाक म्याद ६ महिना बढल


काठमाडौ, अगहन १३ । ब्यवस्थापिका संसदक बैसारमे ब्यवस्थापिका संसद आन्तरिम संविधानके संशोधन कऽ आइ संविधानसभाक म्याद ६  महिना बढौलक अछि । इ चारिम बेर म्याद बढाओल गेल अछि ।

ब्यस्थापिका संसदमे भेल मतदानमे उपस्थित ५०८ सभासद मेसँ ५०५ गोटे सरकार प्रस्तुत केने संविधानसभाक म्याद बढाबय  सम्बन्धि संविधान संशोधन प्रस्तावके पक्षमे मतदान कएने छलथि तऽ विपक्षमे तीन मत परल छल । ओ तीन मत राष्ट्रिय प्रजातान्त्र पार्टी नेपालक छल ।
अहिसँ आगु आइ भिन्सर मधेसी मोर्चा सहितक माओवादी, काँग्रेस आ एमालेक बैसारमे ६ बुँदे सहमति कऽ क संविधानसभाक म्याद ६ महिना बढाबयके सहमति केने छल । सर्वोच्च अदालत एक बेरसँ बेसी म्याद नहि बढाबय आदेश केलासँ याह समयसीमा भितर संविधान जारी केनाइ बाध्यात्मक परिस्थिति रहल अछि । 

अहिबिच सबदिन समएमे कार्यक्रमस्थल पहुँचयबला एमालेका बरिष्ठ नेता माधव नेपाल आजुक संसदक बैसारमे
मतदान करय नहि सकलथि ।

सबदिन अबेरसँ सुरु होबयबला संसदक बैसारमे नेता नेपाल अबेर भेलाक कारण मतदान प्रकृयामे भाग लेबय नहि सकलथि । ओ अबेर अएलाक कारण हुनका संसद भवन भितर पैसय नहि देलाबाद मतदान प्रकृयामे ओ भाग लेबय नहि पौअलथि ।   

देशभरि अखनो ५२ लाख निरक्षर


भक्तपुर, अगहन १३ । अनौपचारिक शिक्षा केन्द्र सानोठिमी  पचहतरो जिल्ला शिक्षा कार्यालयसँ सङ्कलित १५ वर्षसँ उपरके समूहक निरक्षरताके सङ्ख्या सार्वजनिक केलक अछि ।

केन्द्रक उपनिर्देशक केशवप्रसाद दाहाल काल्हि अहि बिषयमे जानकारी दैत देशभरि हाल १५ वर्षसँ उपरके १७ लाख ३८ हजार ६४३ पुरुष आ  ३४ लाख ३५ हजार ३३६ महिला निरक्षर रहल बतौलनि ।

देशके पचहतरो जिल्ला मेसँ सबसँ बेसी निरक्षर रहल जिल्ला सर्लाही आ सबसँ कम रहल जिला मनाङ अछि । सर्लाहीमे एकलाख ३२ हजार ७९८ महिला    ८८ हजार ८९७ पुरुष निरक्षर तथा मनाङमे ९०७  महिला आ ४९९  पुरुष निरक्षर अछि ।

केन्द्र बितल कात्तिकसँ सञ्चालन केने साक्षरता कक्षा निरक्षरके याह सङ्ख्याके आधार मानि कऽ प्रभावकारी रुपमे सञ्चालन करय आग्रह केलक अछि ।

अहिवर्ष केन्द्र देशके १५ सँ ६० वर्ष उमेर समूहक  करिब १० लाख ३५ हजार  निरक्षरके साक्षर बनाबयके लक्ष्य ल ऽ क बितल कात्तिक १ गतेसँ तीन चरणमे सम्पन्न करय जका देशभरि साक्षरता अभियान सञ्चालन केने केन्द्रक उपसचिव माधवप्रसाद दाहाल बतौलनि ।

पहिल चरणके तीन महिना कात्तिक, अगहन आ पुसमे तीन लाख ५० हजार निरक्षर नागरिकके साक्षर बनाओल जाएत जानकारी दैत ओ दोसर चरणमे माघसँ चैतधरिमे आ तेसर चरणमे वैशाखसँ अखारधरि लक्ष्य अनुसारक सङ्ख्यामे साक्षर बनाओल जाएत उल्लेख कएलनि ।

अहि अभियानके लेल करिब  ७० करोड रुपैयाक बजेट खर्च होयबाक अनुमान कएलगेल अछि ।

पर्सासँ पैघ परिमाणमे गाँजा बरामद


क्रान्ति शाह
१३ अगहन वीरगन्ज । पर्साके निर्मलबस्ती गाविससँ पुलिस आइ भिन्सर पैघ परिमाणमे अवैध गाँजा बरामद केलक अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सासँ खटल पुलिसक टोली निर्मलीवस्ती गाविस वाड नम्बर ८ के गोपीटोलक विभिन्न घरमे छापामारी कऽ क २० क्वीन्टल गाँजा बरामद केलक अछि । बरामद गाँजा जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सामे राखल अछि  । इ गाँजा अखनधरिके सबसँ पैघ परिमाणमे रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सा दाबी केलक अछि। छापामारीके क्रममे गाँजा बरामद भेल घरका मालिकसब नहि भेटल पुलिसक कहब अछि ।

अहिसँ आगु काल्हि भिन्सर सेहो पुलिस पर्साके निर्मलवस्तीसँ ६ क्वीन्टल गाजा बरामद केने छल ।

संविधानसभाक म्याद छ महिना बढाबयके सहमति


काठमाडौ, अगहन १३ । प्रमुख तीन दल आ मधेशी मोर्चाबीच संविधानसभाक म्याद छ महिनाक लेल बढाबयके सहमति भेल अछि । राष्ट्रिय सरकार अविलम्व गठन करयके मुख्य शर्तमे दलसबबीच सहमति भेलाबाद म्याद बढाबयके वातावरण बनल अछि ।

शान्ति मन्त्रालयमे भेल बिमर्शमे दलसबबीच फेउर ६ बुँदे सहमति भेल अछि । कात्तिक १५ गते भेल ७ बुँदेके पालना करयके, शान्ति प्रक्रिया सम्बन्धी कार्य अगहन मसान्त भितर सम्पन्न करयके सहमति भेल अछि । अहिसँ आगु अगहन ७ भितर शान्ति प्रक्रिया सम्बन्धी कार्य सम्पन्न करयके सहमति भेल छल ।

राज्य पुनर्संरचना आयोग पहिल बैसार बैसल २ महिना भितर अपन प्रतिवेदन देबयके, संवैधानिक समिति अगहन २० भितर संविधान निर्माणक कार्यतालिका सार्वजनिक करयके समेत सहमति भेल मोर्चाक नेता तथा सञ्चार मन्त्री जयप्रकाश गुप्ता बतौलनि । बैसारमे भेल सहमतिसबहक कार्यान्वयनके समिक्षा करय प्रत्येक सप्ताह शीर्ष नेतासबहक बैसार बैसयके तय भेल अछि ।

सहमति पत्रमे मओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल, कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला, एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल आ मोर्चासँ विजय गच्छदार हस्ताक्षर कएलनि अछि ।

एना कऽ मनाओल जाइत अछि बिबाह पंचमी


२०६८ साल अगहन १३ गते । मिथिलाक पवित्र भुमि जनकपुर धाममे बिभिन्न समयमे बिभिन्न किसिमक पावनिसब हर्षोउल्लासके सँग मनाओल जाइत अछि ।

जनकपुरमा मनाओल जाएबला बिभिन्न पावनिके अपने अपने बिशेषता आ महत्व रहल अछि । मुदा अगहन महिनामे परयबला पावनि राम जानकी बिबाह महोत्सवके बहुत पैघ महत्व रहल अछि । कारण इ पावनिमे भगवान श्रीराम आ माता जानकीक बिबाह सम्बन्धसँ जुडल अछि । अहि बर्षक बिबाह महोत्सव अगहन १३ गते भऽ रहल अछि । पँचमीक दिन बिबाह महोत्सव भेलासँ अहिके बिबाह पँचमी सेहो कहल जाइत अछि । अहि बिबाह पँचमीक अवसरमे अहि दिन राम आ सिताक रुप धारण केनेसबहक बिबाह करबाक चलन रहल अछि । माता जानकीके सिता बैदेही जेहन बिभिन्न नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । बिबाह पँचमीमे सिता आ रामके बिवाह भेलासँ अहि दृश्यबे  भक्तजनस कैद करय अपन  आ भगवानक बिबाहमे सहभागी होबय लेल नेपाल तथा भारतक बिभिन्न ठामसँ दुर दुरसँ बहुत पैघ सँख्यामे अबैत अछि । याह कारण जनकपुरधामके एक महिना पहिनेहीसँ सजाबयके काज शुरु भऽ जाइत अछि ।

जनकपुर नगरपालिका सरसफाईके तिब्रता दैत अछि तऽ जानकी मन्दिरक रङपोत सेहो तिब्र रुपमे कऽ जानकी मन्दिरके कनिया जका सजाओल जाइत अछि । अहि महोत्सवमे बिदेशी पर्यटकसबहक सेहो ओतबे उपस्थिति रहैत अछि ।  बिबाह पँचमी महोत्सवमे सहभागी होबय लेल पर्यटक तथा श्रद्धालु भक्तजनसब ५  दिन आगुए सँ जनकपुर आबय लगैत अछि । एम्हर भारतक अयोध्यासँ सेहो महोत्सवमे सहभागी होबय साधु सन्त सहितक बरियातीके टोली मटकोरे दिन जनकपुर आबि जाइत अछि । ओ बरियातीसबके  नेपाली भुमिमे प्रवेश करिते  बिभिन्न मठ मन्दिरक महन्थ तथा स्थानिय बासी आ स्थानिय प्रशासन भब्य स्वागत करैत अछि ।

अहिना भगवान रामको तिलकोत्सव समारोहमे जानकी मन्दिरसँ राम मन्दिरमे बिवाह पँचमीसँ २ दिन पहिने भार पठाबयके  परम्परा रहल अनुसार अहु बेर १ सय ५१ टा मिठाइसबहक भार राम मन्दिरमे पठाओल गेल छल । अहिना ओकरबाद बिबाह पन्चमीके दिन राम मन्दिरसँ डेढ सय सँ बेसी भार जानकी मन्दिरमे पठाबयके चलन रहल अछि ।

बिवाह पँचमीक दिन साँझमे जानकी मन्दिरक प्राङणमे भगवान राम आ सिताक बिवाह कार्यक्रम सम्पन्न होइत अछि । ओइसँ पहिने धनुषा तथा महोतरीक बिभिन्न गाम गाम तथा कुटीसबसँ बिभिन्न किसिमक नाच आ झाँकी प्रस्तुत करैत जानकी मन्दिरमे आबि जानकी माताक डोला पाछु पाछु स्थानिय बारह बिग्हा रँगभुमि मैदानमे पहुँचैत अछि । अहि क्रममे लाखौ श्रद्धालुसब सेहो डोलाके पाछु पाछु सहभागी होइत अछि ।

राम मन्दिरसँ श्री राम जीक डोला आ जानकी मन्दिरसँ माता जानकीक डोला निकैल कऽ स्थानिय बारह बिग्हा मैदान पहुँचैत अछि । ओइठाम श्रद्धालु आ श्रीरामचन्द्र तथा माता जानकीक डोला पहुँचलाबाद स्वँयबर कार्यक्रम सम्पन्न होइत अछि । ओकरबाद बारह बिग्हासँ पुनः डोला सहितक भीड रामानन्द चौक पिडारी चौक मिल्स एरिया जनक चौक हुँदै नगर परिक्रमा गर्दै शोभा यात्रा निकालैत जानकी मन्दिरमे आबि कऽ परिक्रमा सम्पन्न होइत अछि ।

जानकी मन्दिरक प्राङणमे सब जम्मा भेलाबाद करिब साँझ ६ बजेसँ राम आ सिताक बैबाहिक कार्यक्रम शुरु होइत अछि । जाहिमे दुल्हा पक्षके दिससँ राम मन्दिरक महन्थ दशरथ बनल रहैत छथि तऽ कनिया पक्षक दिससँ  जानकी मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास बैष्णब सिताक पिता जनकके रुपमे प्रतिनिधित्व करैत अछि । बिबाह समारोहमे जानकी मन्दिरक प्राङणमे लाखौके सँख्यामे भक्तजनसबहक भिड लागल रहैत अछि ।

ओकरबाद ओइके दोसर दिन राम कलेवा अर्थात बिदाइ कार्यक्रम होइत अछि । ओहिदिन माता जानकीके बिदाइ कएल जाइत अछि । एकर बाद बिवाह पँचमी महोत्सवक समापन होइत अछि ।

अहिबीच एम्हर भिडभाडके ध्यानमे रखैत स्थानिय प्रशासन ओ समयमे करिब १५ सयसँ अधिक सुरक्षाकर्मी परिचालन कएने रहैत अछि तऽ पाकेटमारसबहक गिरफ्तारीके लेल पुलिससबके सादा पोशाकमे सेहो परिचालन कएल गेल रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि ।

एम्हर बिवाह पँचमीक अवसरमे जनकपुरक बिभिन्न बिद्यालयसब जनकपुरमे आएल अतिथिसबहक लेल निःशुल्क आवास के ब्यब्स्था सेहो कएने रहैत अछि तऽ बिभिन्न क्लब तथा जिल्ला जनस्वास्थ्य आ रेडक्रस सोसाइटि निःशुल्क दबाइ बितरण तथा जाँचके ब्यब्स्था सेहो कएने रहैत अछि ।

बिवाह पँचमी महोत्सव सप्ताहब्यापी रुपमे मनाओल जाइत अछि जकर कार्यक्रम एना रहैत अछि ।

पहिल दिन जनकपुर नगर दर्शन
दोसर दिन फुलवारी लिला
तेसर दिन -  धनुष यज्ञ
चारिम दिन तिलकोत्सव
पाँचम दिन मटकोर
छठम दिन शुभ बिवाह अर्थात बिवाह पँचमी
सातम दिन -  राम कलेवा


फिस्टेल एयरके हेलिकोप्टर सोलुखुम्बुके लोबुचेमे दुर्घटना


१३ अगहन, काठमाडौं । फिस्टेल एयरके हेलिकोप्टर सोलुखुम्बुके लोबुचेमे दुर्घटना भेल अछि । अष्टे्रलियन नागरिकके उद्धारका लेल गेल हेलिकोप्टर दुर्घटनामे परल अछि ।

रोगी लऽ उडयके क्रममे दुर्घटनामे परल फिस्टेल एयर जनौलक अछि । विमानमे रहल चालक दिपक राणा, सहयोगी अनुषा गुरुङ आ रोगी सकुशल रहल अछि ।

दुर्घटनामे परि विमानके पछिला हिस्सा क्षतिग्रस्त भेल अछि ।

भूमिगत जनतान्त्रिक क्रान्तिकारी समूह वार्तामे आबय तयार


१३ अगहन, सप्तरी । तराईमे सशस्त्र भूमिगत गतिविधि करैत आएल मधेस राष्ट्र जनतान्त्रिक पार्टी (क्रान्तिकारी) समूह सरकारसँग वार्तामे आबय तयार भेल अछि ।

सप्तरीके राजविराजमे सञ्चारकर्मीसँग बात करैत प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार रामरिझन यादव मधेस राष्ट्र जनतान्त्रिक समूह सरकारसँग वार्तामे बैसय तयार रहल जानकारी देलनि । यावद अपने भारतीय भूमिमे ओ समूहक नेतासँग भेट कऽ वार्ताक वातावरण बना कऽ घुरल बतौलनि ।

मोर्चाक नेतासबमे हतियारक राजनीति त्यागि कऽ शान्तिपूर्ण राजनीतिमे आबय तयार रहल अपने पौअने सल्लाहकार यादवक कहब छलनि । जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा अग्नि समूह सहित तीन टा समूह एकीकरण कऽ किछ समय आगु जनतान्त्रिक क्रान्तिकारी पार्टी गठन केने छल ।

लेखासँ निगमक आर्थिक अपारदर्शीता सम्बन्धमे पुछताछ


१३ अगहन, काठमाडौँ । व्यवस्थापिका संसद अन्तर्गतके सार्वजनिक लेखा समिति नेपाल वायुसेवा निगममे भेल आर्थिक अपारदर्शीताक सम्बन्धमे बिमर्श करय सम्बद्ध पक्षके बजौलक अछि ।

लेखा पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालयके सचिव आ नेपाल वायुसेवा निगमक महाप्रबन्धकके निगम सञ्चालनके क्रममे भेल आर्थिक अनियमितताबारे पुछताछक लेल बजौलक अछि । सिंहदरबारस्थित कार्यालयमे जारी समितिक बैसारमे सभासदसब निगममे भेल भ्रष्टारचारबारे सम्वद्ध अधिकारीसँग जानकारी लऽ रहल  सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि । वायुसेवा निगम आन्तरिक व्यवस्थापनके कारण धारासायी बनैत गेल अछि ।

निगमसँग हाल रहल दु टा मात्र राष्ट्रिय ध्वजाबाहक विमानके कहियो गियर बक्स तऽ  कहियो पहिया गायव होइत अछि । अहिसँ अन्तर्राष्ट्रियस्तरमे नेपालबारे नकारात्मक सन्देश जाएके सँगे पर्यटन प्रवर्द्धनमे समेत समस्या उत्पन्न भेल अछि ।

लड़कीके ५ बात जे लड़कासब आइधरि समझय नहि सकल


लड़कीके ५ बात जे लड़कासब आइधरि समझय नहि सकल
(१) आहाँ बहुत उ छी........(पता नहि उ के मतलब कि छैक? लड़का सोच में पड़ि जाइत अछि)
(२) हमरा आँहासँ इ उम्मीद नहि छल......(तऽ फेउर केहन उम्मीद छल ?)
(३) आँहा पहिने जका नहि रहलौ...............( तऽ फेउर केहन रहलौ ?)
(४) सच बताउ हम केहन लागि रहल छी ... (बाप रे सच कि बाजब, पिटाइ  थोड़े ही न खाएके अछि)
(५) हम बहुत स्वार्थी छी ने...........( आब हां कहब तऽ समझु गेल भैंस पानी में)...

बिवाहपँचमी अन्तर्गत आइ राम आ सिताक बिवाह


१३ अगहन जनकपुरधाम । राम जानकी बिवाहपँचमी अन्तर्गत आइ राम आ सिताक बिवाह सम्पन्न हाएत । बिवाह पँचमी महोत्सवमे सहभागी होयबाक लेल श्रद्धालु भक्तजनसब ५ दिन पहिनेहीसँ जनकपुर आबय लागल छलथि ।

राम सिताक बिवाह कार्यक्रममे सहभागी होबय लेल नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानसँ दुर दुरसँ श्रद्धालु तथा  सन्त महात्मासबहक जनकपुर आएल छथि । अहिमे खास कऽ भारतक अयोध्यासँ सेहो पैघ सँख्यामे साधु महात्मासब जनकपुर पहुँचल छथि ।

आजुक दिन साँझमे जानकी मन्दिरक प्राङणमे भगवान राम आ सिताक बिवाह कार्यक्रम सम्पन्न हाएत । ओइसँ पहिने धनुषा तथा महोतरीक बिभिन्न गाम गाम तथा कुटीसबसँ बिभिन्न किसिमक नाच आ झाँकी प्रस्तुत करैत जानकी मन्दिरमे आबि जानकी माताक डोला पाछु पाछु स्थानिय बारह बिग्हा रँगभुमि मैदानमे पहुँचत । अहि क्रममे लाखौ श्रद्धालुसब सेहो डोलाके पाछु पाछु सहभागी हाएत ।

राम मन्दिरसँ श्री राम जीक डोला आ जानकी मन्दिरसँ माता जानकीक डोला निकैल कऽ स्थानिय बारह बिग्हा मैदान पहुँचत । ओइठाम श्रद्धालु आ श्रीरामचन्द्र तथा माता जानकीक डोला पहुँचलाबाद स्वँयबर कार्यक्रम सम्पन्न हाएत । ओकरबाद बारह बिग्हासँ पुनः डोला सहितक भीड रामानन्द चौक पिडारी चौक मिल्स एरिया जनक चौक होइत नगर परिक्रमा करैत शोभा यात्रा निकालैत जानकी मन्दिरमे आबि कऽ परिक्रमा सम्पन्न हाएत । 

जानकी मन्दिरक प्राङणमे सब जम्मा भेलाबाद करिब साँझ ६ बजेसँ राम आ सिताक बैबाहिक कार्यक्रम शुरु हाएत । जाहिमे दुल्हा पक्षके दिससँ राम मन्दिरक महन्थ दशरथ बनल रहैत छथि तऽ कनिया पक्षक दिससँ  जानकी मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास बैष्णब सिताक पिता जनकके रुपमे प्रतिनिधित्व करताह । बिबाह समारोहमे जानकी मन्दिरक प्राङणमे लाखौके सँख्यामे भक्तजनसबहक भिड लागल रहैत अछि ।

अहिबीच एम्हर भिडभाडके ध्यानमे रखैत स्थानिय प्रशासन करिब १५ सयसँ अधिक सुरक्षाकर्मी परिचालन कएने अछि तऽ पाकेटमारसबहक गिरफ्तारीके लेल पुलिससबके सादा पोशाकमे सेहो परिचालन कएल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि ।

एम्हर बिवाह पँचमीक अवसरमे जनकपुरक बिभिन्न बिद्यालयसब जनकपुरमे आएल अतिथिसबहक लेल निःशुल्क आवास के ब्यब्स्था सेहो कएने अछि तऽ बिभिन्न क्लब तथा जिल्ला जनस्वास्थ्य आ रेडक्रस सोसाइटि निःशुल्क दबाइ बितरण तथा जाँचके ब्यब्स्था सेहो कएने अछि ।

अहिना जनकपुर युथ क्लब जिरोमाइलमे निःशुल्क शिविरक आयोजना कएने अछि । जाहिमे निःशुल्क जाँच, दवाइ बितरण फलफुल बितरण सहित निःशुल्क आवासके सँगही खोज तलाश शिविरक सेहो आयोजना कएने क्लबक अध्यक्ष मनिष कुमार झा जानकारी देलनि अछि । ओ शिविरक आइ बृहत्तर जनकपुर क्षेत्र बिकाष परिषदक अध्यक्ष एवँ नेपाली काँग्रेस धनुषाक बरिष्ठ नेता दिगम्बर राय उदघाटन कएने छलथि ।

क्लबक सल्लाहकार नन्द कुमार झाक प्रमुख आतिथ्यमे उदघाटन भेल ओ शिविरमे प्रमुख अतिथिक आसनसँ बजैत राय स्थानिय रामेश्वरी देवी सरोवरके घाट तथा ओइठाम मन्दिर निर्माण कराबयके प्रतिबद्धता जाहेर कएलनि ।   

राजधानीके हाँस मुर्गामे बर्डफ्लु रहल पुष्टि


१३ अगहन, काठमाडौँ । राजधानीमे पंक्षीमे लागयबला संक्रमक रोग बर्डफ्लु रोगके किटाणु भेल पुष्टि भेल अछि ।

काठमाडौँके मनोहरा नदीक कातमे रहल सुकुम्बासी वस्तीमे पोसलगेल हाँस आ मुर्गामे इ जिवाणू भेटल अछि । पशु स्वास्थ्य निर्देशनालय केने नमुना परीक्षणमे बर्डफ्लु रोगके जिवाणु रहल पुष्टि भेल अछि । बडृफ्लु पुष्टि भेलाबाद विभाग करिब ५ सय हाँस-मुर्गा नष्ट केलक अछि ।

आइ विश्व क्षयरोग दिवस


१३ अगहन, काठमाडौँ । आइ विश्व क्षयरोग दिवस । दिवसक अवसरमे नेपाल सहित विश्वभरि विविध कार्यक्रम क इ दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि ।

दिवसक अवसरमे आइ भिन्सर राजधानीके काठमाडौँ आ ललितपुरमे प्रभातफेरिक आयोजना कएल गेल छल । स्वास्थ्य मन्त्रालय आ स्वास्थ्यसँग सम्बद्ध विभिन्न संघसंस्थासब अन्र्तक्रिया सहितक कार्यक्रम कऽ रहल अछि ।
विश्व स्वास्थ्य संगठनके अनुसार प्राणघातक मानल जाएबला क्षयरोगसँ विश्वभरि हरेक वर्ष १४ लाख ब्यक्तिके मृत्यु होइत आबिरहल अछि । नेपालमे हरेक वर्ष अहि रोगसँ ५ सँ ७ हजार गोटेके मृत्यु होइत अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन