Sunday, December 11, 2011

सिरहामे महिलाके अपहरण करबाक प्रयास असफल


सिरहा, अगहन २५ । सिरहाक सारस्वरके एक युवक बनैनीयासँ एक महिलाके अपहरण कऽ क आनि रहल  अबस्थामे पुलिस सिरहाक बेल्हास्थित कमला नदीके कातसँ शनिके राति  मुक्त करौलक अछि ।

सारस्वर नहिरा भऽ बनैनीयामे रहैत आएल १६ बर्षक विनिता देवी मण्डलके सारस्वरके अखतर मियाँ आ बेल्हाके सदरे आलम गाउँघरमे दिसापिसाव करय निकलल समयमे राति ८ वजेदिस अपहरण कऽ क लऽगेल छल ।

विनिता अपन नन्दि रुन्ची आ अपने घर घुरबाक क्रममे घर आगुके सडकमे आबिरहल समय पाछुसँ आएल जीपके केबार खोलि कऽ एकाएक  जर्बजस्ती पकरि कऽ मुहँ दबैत गाडीमे बैसा कऽ लऽगेल बताओल गेल अछि ।

अपहरणके क्रममे बाटमे सदरे जीप चलौने आ अखतर अपनाके हल्ला करब तऽ ज्यानसँ मारयके धम्की दैत कन्पटिमे पेस्तोल रखने बतदलनि । बेल्हामे औलाबाद जीपसँ उतारि कऽ पेस्तोल देखबैत अपनाके कमला नदीदिस लऽ जाएके क्रममे पुलिस औलाबाद अख्तर भागल ओ बतौलिह ।  

अपहरण करय प्रयोग केने नम्बर प्लेट नहि रहल भारतीय मार्सल जीप आ जीप चालक सदरे आलमके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि । आलमके जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहामे अनुसन्धानक लेल राखल आ अखतरके खोजी कार्य भऽ रहल  प्रहरी नायव उपरीक्षक जय सापकोटा बतौलनि ।
अहिबिच, बनैनीयाबासी आ सारस्वरबासी बेटीके अपहरण करयके आ बदनाम करावयके अपराधी दुनु  गोटेके तत्काल पकरि कऽ कारबाही करय माँग केलक अछि ।

पैघ सञ्चारगृह श्रमजीवी ऐन लागू नहि केलकः गुप्ता


२५ अगहन, धुलिखुल । सूचना तथा संञ्चारमन्त्री जयप्रकाशप्रसाद गुप्ता पैघ सञ्चारगहृके कारण श्रमजीवी पत्रकार ऐन लागू करय कठिनाई भऽ रहल बतौलनि अछि ।

काभ्रेके धुलिखेलमे आइ सञ्चारकर्मीसँग बातचित करैत मन्त्री गुप्ता पैघ मिडिया ऐन कार्यान्वनयन करय आनाकानी कऽ रहल बतौलनि । ऐन कार्यन्वयनमे अटेरी कऽ रहल सञ्चारगृहके सञ्चलकसँग बिमर्श कऽ समस्या समाधानमे मन्त्रायलय प्रयासरत रहल हुनक कहब छलनि ।  मन्त्री गुप्ता द्वन्द्व पीडित पत्रकारक लेल लक्षित कऽ क सरकार पत्रकार महासंघ सँगके समन्वयमे विशेष कार्यक्रम लावय लागल सेहो जानकारी देलनि ।

एकटा दोसर प्रसंगमे ओ कानुनी त्रुटीके कारण एफएम रेडियोसबहक रोयल्टीके विषयमे विवाद भेल बतौलनि । मन्त्री गुप्ता रेडियोसबहक लेल अखनो समानुपातिक ढंगसँ लोककल्याणकारी विज्ञापन उपलब्ध करावय नहि सकल बतबैत सरकार जल्दिए ओइके सेहो व्यवस्था करत आश्वासन देलनि ।

अहिबीच नेपाल पत्रकार महासंघ काभ्रे शाखा अन्तिम बेर बढाओलगेल ६ महिनाभितर संविधान निर्माणक काम सम्पन्न करयके, नयाँ संविधानमे प्रेस स्वतन्त्रताके ग्यारेन्टी करय सहितक माँग समेटलगेल ज्ञापनपत्र बुझौने अछि । मन्त्री गुप्ता अपने अध्यक्ष रहल फोरम गणतान्त्रिकके शनिदिनसँ जारी केन्द्रीय प्रशिक्षण शिविरमे सहभागी होवय धुलिखेल पहुँचल छथि ।


आचरण विपरीत काज कएनिहार पुलिस कारबाहीमे


काठमाडौ, अगहन २५ ।  आचरण विरुद्ध काज करयबला हवल्दार सहित सात गोटेके पुलिस कारबाही केलक अछि । चेक जाँचमे भेटल सामान कार्यालयमे नहि बुझा कऽ अपने रखने आरोपमे ओकरासब उपर कारबाही कएल गेल अछि ।

महानगरीय प्रहरी परिसर काठमाडौंके एसपी राजेन्द्र श्रेष्ठक अनुसार कारवाही होबयबलासबमे प्रहरी हवल्दार तुलबहादुर थापा, जवान विशाल खड्का, डोलप्रसाद ओली, राजकुमार, महेश खडका, शालिकराज जोशी आ नरेन्द्र थापा अछि ।

हवल्दार थापाके नसिहत देने परिसर जनौलक अछि । अहिना दु गोट जवानके एक वर्ष पदोन्नति रोक्का आ ४ गोटेके पुलिस सेवासँ निलम्बन कएलगेल अछि ।

महानगरीय प्रहरी बिट शोभा भगवतीमे खटल पुलिस चामती चोकमे चेकजाँच करयके क्रममे सोह्रखुट्टेके समीर श्रेष्ठ आ बालाजुके नीरज श्रेष्ठके गिरफ्तार करैत काल ओकरसबहक सँगसँ बरामद भेल ३९ डलर आ समान कार्यालयमे नहि बुझा कऽ अपने रखने आरोपमे कारबाही केने अछि ।

आइ अन्तर्राष्ट्रिय पर्वतीय दिवस मनाओल जाऽ रहल


२५ अगहन, काठमाडौँ । आइ डिसेम्बर ११ अर्थात अन्तर्राष्ट्रिय पर्वतीय दिवस । नेपालमे सेहो इ दिवस बिभिन्न  कार्यक्रम कऽ मनाओल जाऽ रहल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रसंघक आहृवानमे हरेक वर्ष अजुके दिन ओकर सदस्य राष्ट्रसबमे इ दिवस मनाओल जाइत अछि । अहि बेरक दिवसक नारा वन आ पर्वतीय क्षेत्रतय कएल गेल अछि । दिवसक अवसरमे विश्वव्यापी रुपमे जलवायु परिवर्तन तथा जनसंख्या वृद्धिके जोखिमसँ पर्वतीय क्षेत्रके वनपैदावारमे परल असर न्युनीकरण तथा जलवायु परिवर्तन अनुकुलमे वन पैदावारक भूमिकाक विषयमे जनचेतना मुलक विविध कार्यक्रमसब भऽ रहल अछि ।

पृथ्वीके कूल भु भागके पाँच भागमे एक भाग पर्वतीय क्षेत्र अछि तऽ पिवय योग्य पानि मेसँ ८० प्रतिशत पर्वतीय क्षेत्रसँ उपलब्ध होइत आएल अछि । विभिन्न अध्ययनसँ वन जंगल बिनासक कारणसँ हिमालय क्षेत्रके जलवायु परिवर्तनके असर परल जनाओलगेल अछि ।

नेपालमे इन्टरनेट प्रयोगकर्ता ५४ प्रतिशतसँ बढल


नेपालमे इन्टरनेट प्रयोगकर्ताके संख्या एक बर्षके अबधीमे करिव ५४ प्रतिशतसँ बढल अछि । वाएरलेस, एडीएसएल, जीपीआरएस सहितक सेवाके विस्तारसँ इन्टरनेट प्रयोगकर्ता बढल अछि ।

नेपालमे अधिकांश इन्टरनेट प्रयोकर्ता फेसबुक आ ट्वीटर सहितक सामाजिक संजाल साइट आ इमेल खोलैत आएल नेपाल इन्टरनेट प्रोभाइडर एसोसिएसन जनौलक अछि । संघक अध्यक्ष बिनय बोहोरा डायलअप सहितक पुरान प्रबिधि घटैत गेल आ नयाँ प्रबिधिके प्रयोग बढिरहल बतौलनि ।

नेपाल दुरसंचार प्राधिकरणके तथ्याङ्क अनुसार बितल बर्ष करिव २४ लाख ५० हजार रहल इन्टरनेट प्रयोगकर्ताके संख्या अहि बर्ष ३५ लाख नब्बे हजार पहुँचल अछि । एक बर्षक अबधिमे वायरलेस तथा जीपीआरएस प्रबिधिके इन्टरनेट प्रयोगकर्ताके संख्या बहुत बढल तथ्याङ्क देखौलक अछि । अहि अबधिमे वायरलेस प्रयोगकर्ताके संख्या १३ हजार सँ २८ हजार, जीपीआरएसके प्रयोगकर्ता २२ लाखसँ ३२ लाख पहुँचल अछि तऽ  एडीएसएल प्रयोगकर्ताके संख्या करिव ७८ हजार पहुँचल अछि । एडीएसएल एके बर्षमे ५५ प्रतिशतधरि ग्राहक संख्या बढौलक अछि । जीपीआरएस सेवा देवयमे एनसेल आगु देखलगेल अछि तऽ नेपाल टेलिकम किछ पाछु परल अछि ।

अभिनेत्री एंजेलिना जोली

अन्ना निकोल

अपहरित बालकके रिहाइके लेल पहल कऽ देबय आग्रह


२५ अगहन, सिरहा । सिरहाके मल्हनिया गम्हारिया गाविस-१ के राम प्रयाग यादव अपन अपहरित नाबालक बेटाके रिहाइके लेल पहल कऽ देबय लेल सम्बद्ध पक्षसबसँग माँग केलक अछि ।

आइ भिन्सर स्थानीय सञ्चारकर्मीसँग भेट कऽ ओ अपन  ५ वर्षक बेटा शिवशंकरके शुक्रके राति अज्ञात समूह अपहरण कऽ लऽ गेल जानकारी दैत रिहाइके लेल पहल कऽ देबय माँग केलक अछि । ओ अपन बेटाके निशर्त रिहाइके लेल पहल कऽ देबय प्रहरी-प्रशासन, राजनीतिक दल, अधिकारवादी आ सञ्चारकर्मीसबसँ आग्रह केलक अछि ।

बेटाके  मुण्डन कार्यक्रमके भोज चलि रहल समय ओकर अहपरण कएल गेल यादव बतौलनि । अपहरणकारी टेलिफोन कऽ फिरौती रकम माँग कऽ रहल  यादव बतौलनि ।


कार्यतालिका अनुसारे काज करय नेतासब सहमत


२५ अगहन, काठमाडौँ । संविधानसभामे प्रतिनिधत्व कएनिहार दलक नेतासब संविधान लेखनके कार्यतालिका प्रभावित नहि होबय जका काज आगु  बढाबय दलसब सहमत भेल अछि ।

संवैधानिक समितिके आजुक बैसारमे दलसब कार्यतालिका अनुसारे काज सम्पन्न करय तयार रहल  नेतासब बतौलक अछि । सिंहदरबारस्थित समितिक कार्यालयमे भिन्सर किछकाल बैसल बैसारमे मौलिक अधिकार तथा राज्यके निर्देशक सिद्धान्त समितिक प्रतिवेदनमे संविधानसभासँ आएल सुझावके बारेमे बिमर्श भेल सदस्य लक्ष्मणलाल कर्ण जानकारी देलनि । कर्णके अनुसार प्रतिवेदन उपर सामान्य बिमर्श कऽ एकीकृत मस्यौदा तयार करय लेल सचिवालयके जिम्मा देलगेल अछि ।

बैसारमे संधिवान निर्माणक क्रममे हालधरि भेल प्रगतिके समिक्षा आ भावी कामके विषयमे समेत सामान्य बिमर्श होइतो निष्कर्ष आबय नहि सकल कर्ण बतौलनि । बैसारसँ विवाद समाधान उपसमिति संयोजक माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डक दिससँ आगामी २८ गते बैसयबला अगिला बैसारमे विवादित विषयमे जुटल सहमतिके विवरण समेटल प्रतिवेदन प्रस्तुत करयके निर्णय समेत केलक अछि । संविधानसभाक कार्यकाल चारिम बेर बढबितो दलसबबीच अखनो राज्यपुनसंरचनाके २५ आ शासकीय स्वरुप तथा निर्वाचन प्रणालीमे २२ टा विषयमे अखनो  विवाद अछि ।

राज्यपुनर्संरचना सम्बन्धी विवादके हल करय दु महिनामे प्रतिवेदन देबय जका आयोग गठन कएलगेल अछि तऽ शासकीय रुवरुप आ निर्वाचन प्रणालीमे रहल विवाद आगामी पुस १५ गते आगुए समाधान करयके प्रयासमे दलसबबीच नियमति बिमर्श होइत आएल अछि । समिति प्रतिवेदन बुझौलाबाद माँग १५ गते धरिमे राज्यपुनर्संरचना सहितक भावी संविधानके पहिल एकीकृत मस्यौदा जारी करयके कार्यतालिका संविधानसभासँ पारित कऽ चुकल अछि ।

अनिश्चितकालीन बन्दसँ पूर्वके जनजीवन प्रभावित


२५ अगहन, काठमाडौँ । संजुहाङ पालु्ङ्वा नेतृत्वक संघीय लिम्बुवान राज्य परिषद आहृवान केने अनिश्चितकालीन बन्दक पहिल दिन आइ भिन्सरेसँ अरुण पूर्वक जिल्लाक जनजीवन प्रभावित भेल अछि

बन्दकर्तासब सुनसरीक इटहरी धरान तथा झापाक दमक सहितक  स्थानम भिन्सरेसँ विरोध प्रर्दशन करयके सँगहि सडकक चोकचोकम जम्मा भ यातायात सञ्चालनम रोक लगौने अछि । बन्दसँ पूर्वपश्चिम महेन्द्र राजमार्गक काँकडभिट्टा-इनरुवा खण्डम यातायातक साधनसब चलय नहि सकल अछि ओइके अलावा मोरङ, सुनसरी, झापा, इलाम, धनकुटा, ताप्लेजुङ संखुवासभा सहितक जिल्लामे सेहो यातायात, बजार-दोकान, शिक्षणसंस्था कलकारखाना ठप्प ि

यातायात नहि ललासँ सर्वसाधारणसबके दिक्कतके सामना करय परि रहल अछि अत्यावश्यक सेवाक एम्बुलेन्स, बारुणयन्त्र, प्रेस, परीक्षाक विद्यार्थी तथा वियाहके बरियाती सवार गाडी  निर्वाध रुपम सञ्चालनमे रहल अछि । सरकारसँग अहिसँ आगु भेल सहमित अनुसार राज्यपुनर्संरचना आयोगमे अपन प्रतिनिधि नहि रखने कहैत परिषद ओइके विरुध स्वरुप अनिश्चितकालीन बन्द आहवान केने अछि

अहिसँ आगु सरकार परिषदबीच बितल २०६४ चैतम ेल सहमति अनुसार राज्यपुनर्संचना आयोगम प्रतिनिधित्व नहि कराओलगेल विरोधम आम हड्ताल आहृवान कएलगेल परिषद्क सुनरी अध्यक्ष भुपेन्द्र सुन्दर लावती जानकारी देलनि

पुनम पाण्डे क जलवा

facebook Page Like

  • मनोरँजन