Friday, August 26, 2011

माओवादीके सहयोग करय नहि सकब एमालेद्धारा प्रष्ट


९ भादव, काठमाडौं । नेकपा एमाले माओवादीक प्रस्ताव ढँगर नहि भेल कहैत सरकार गठनमे सहयोग करय नहि सकब प्रष्ट केलक अछि ।

प्रधानमन्त्री कार्यालय सिंहदरबारमे आइ भेल बिमर्शमे एमाले शान्ति आ संविधान निर्माणक लेल प्रस्ताव ढँगर नहि भेल तथा विगतमे भेल सहमतिसँ सेहो कमजोर प्रस्ताव आएल बतौलनि ।

एमाले शान्ति प्रक्रियाके विषयमे आएल प्रस्तावमे परिमार्जन हाएत त सहयोग करयके या नहि करयके बिषयबारे  थप बिमर्श कएल जा सकैय प्रस्ट केलक अछि ।

बैसारमे माओवादी अपन प्रस्तावबारे जानकारी करबैत सरकार गठनमे सहयोग करय आग्रह केलक अछि ।

माओवादी डेढ महिनाभितर लडाकू समायोजन आ पुनःस्थापनाके काम सम्पन्न होबय जका शान्ति, संविधान आ सरकारक नेतृत्वबारे प्रस्ताव रखने  अछि । माओवादीके प्रस्तावमे ८ हजारके समायोजन करयके, पुनःस्थपनामे जाएबलाके ७ सँ १० लाख रुपैयाँ देबय सहितक उल्लेख अछि । एमाले ४/५ हजार लडाकूके मात्रे समायोजन करय सकयके आ पुनःस्थपनामे जाएबलाके ३ सँ ४ लाख रुपैयाँ मात्र देल जा सकैय बतौलक अछि ।

बस दुर्घटनामे एक गोटेके मूत्यु,१५ घाइल


जनकपुरधाम, भादव ९ । सिरहा आ धनुषाके सिमनामे परयबला पोर्ताहामे एकटा यात्रुबाहक बस दुर्घटना भेलासँ एक गोटेके घटनास्थलेमे मूत्यु भेल अछि तऽ १५ गोटे गम्भीर घाईल भेल अछि ।

काठमाडौंसँ उदयपुरके कटारी दिस जारहल यात्रुवाहक वस पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्र्तर्गत पोर्ताहामे  दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि । मूत्यू होबयबलामे नाम खुजय नहि सकल ओहि बसके खलासी रहल अछि । काठमाडौंसँ कटारी जाऽरहल ना ३ ख २५९९ नम्बरक यात्रुवाहक वस तिव्र गतिके कारण भिन्सर ६ बजे दुर्घटना भेल पुलिस चौकी बन्दिपुर जनौलक अछि ।

दुर्घटनामे परि गम्भीर घाईल भेल वसके कन्डक्टरके अवस्था गम्भीर रहल आ इलाजक लेल जनकपुर अंचल अस्पताल लाओल गेल अछि ।

बहुमतीयके दौडसँ शान्ति आ संविधान असम्भवः खनाल


९ भादव, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल बहुमतीय सरकारके  दौडसँ शान्ति आ संविधानके कार्यभार पूरा होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।

शैक्षिक सुधारके लेल आयोजित सर्वपक्षीय सम्मेलनके आई राजधानीमे सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री विगतके तीन टा बहुमतीय सरकार शान्ति आ संविधान निर्माण निश्कर्षमे पहुँचाबय असफल रहल बतौलनि । बेर बेर असफल भऽ गेल प्रक्रियाके अभ्यासमे नहि लागय प्रधानमन्त्री दलसबसँ आग्रह कएलनि ।

सहमतिके लेल अखनो समय बाँकी रहल कहैत खनाल सब गोटे प्रयत्न करत तऽ बहुमतीय प्रक्रियाभितर सेहो सहमतीय सरकार गठन करयसँ कियो रोकय नहि सकत दाबा कएलनि 

दौरा सुरुवालके राष्ट्रिय पोसाक सरकार तोक्ने अछिः सर्वोच्च


९ भादव, काठमाडौं । सर्वोच्च अदालत दौरा सुरुवालके राष्ट्रिय पोसाक अपने नहि तोक्ने प्रष्ट केलक अछि ।

अदालत आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ दौरा सुरुवालके राष्ट्रिय पोसाकके रुपमे अदालत नहि कि सरकार तोक्ने आ अदालत ओइ विरुद्ध दायर भेल रिट मात्र खारेज केने प्रष्ट केलक अछि ।

पत्रकार सम्मेलनमे सर्वोच्चके सह प्रवत्ता हेमन्त रावल दौरा सुरुवालके राष्ट्रिय पोसाक बनाबयके सरकारक निर्णय २०६७ भादव ७ गते राजपत्रमे प्रकाशित भेल जानकारी देलनि ।

दौरा सुरुवालके राष्ट्रिय पोसाक सर्वोच्च तोक्ने कहि प्रचार कएलगेलमे अपन ध्यानाकर्षण भेल कहैत सर्वोच्च फैसलाके पूर्ण बिबरण आबयधरि रुकय आग्रह कएलनि ।

हुनका अनुसार फैसलाके पूर्ण पाठ आबय आरो किछदिन लागत । दौरा सुरुवालके राष्ट्रिय पोसाक बनाबयके सरकारक निर्णय खारेजके माँग करैत अधिवत्ता रन्जनकुमार सिंह दायर केने रिट सर्वोच्च खारेज केने छल ।

न्यायाधीश प्रकाश शर्मा, बद्रीबहादुर कार्की आ गिरिसचन्द्र लालके संयुक्र इजलाससँ बहुमतके आधारमे रिट खारेज केने छल । न्यायाधीश लाल रिट खारेज करय नहि चाही मत रख्ने छलथि ।

संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चामे आवद्ध मधेसवादी दलसब दौरा सुरुवालके राष्ट्रिय पोसाक बनौने विरोधमे आइ देशभरि सर्वोच्चके फैसलाको प्रतिलिपि जरौलक अछि ।

ओसब फैसला पुनर्विचार करय प्रधानन्यायाधीश खिलराज रेग्मीके ज्ञापन पत्र बुझबैत ध्यानाकर्षण समेत करा चुकल अछि।

मधेशी मोर्चाद्वारा सर्वोच्चके फैसला बिरुद्ध प्रदर्शन


जनकपुरधाम, भादव ९ । दौरा सुरुवालके राष्र्टिय पोशाकके रुपमे राखयके केने सर्वोच्चके निर्णयके बिरोध करैत आई सँयुक्त लोकतान्त्रिक मोर्चा काठमाण्डौमे सहित मधेशक बिभिन्न जिल्लामे निर्णयके प्रतिलिपी जरौलक अछि ।

पूर्व निर्धारित कार्यक्रम अनुसार काठमाण्डौके बबरमहलस निकलल मोर्चाक र्र्याली माइतिघर मण्डलादिस जाएके क्रममे पुलिस अबरोध पहुँचौलाबाद बबरमहल आ माइतिघर मण्डलाके बिचेमे निर्णयके प्रतिलिपि जराओल गेल तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल जानकारी देलनि अछि ।

मोर्चाक र्र्यालीमे तमलोपाक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर, उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल, हृदेश त्रिपाठी, मधेशी जनाधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष बिजय कुमार गच्छेदार, फोरम गन्तान्त्रिकके अध्यक्ष जेपी गुप्ता, सदभावनाक राजेन्द्र महतो सहितक आदिबासी, जनजाति आ थारुसबहक सेहो सहभागिता छल ।

एम्हर, स्थानिय जनकपुरक जानकी मन्दिरसँ निकलल मोर्चाक ‍र्र्याली राम मन्दिर होइत जिल्ला अदालत धनुषा आगु पहुँच सर्वोच्चक निर्णयके प्रतिलिपि जरौलक अछि ।

तमलोपाक केन्द्रिय सदस्य डा बिजय कुमार सिँह , फोरम लोकतान्त्रिकके धनुषाध्यक्ष उमाशँकर अरगरिया, सदभावनाक कार्यबाहक अध्यक्ष सँजय सिँह, फोरम जनतान्त्रिकके सुरेन्द्र मँडल सहितक ब्यक्तिसब जिल्ला अदालत पहुँच सर्वोच्चके निर्णयके प्रतिलिपि जरबैत बिरोध जनौलक अछि ।

सर्वोच्च अदालत सरकारी सभा तथा समारोहमे कर्मचारीके लेल दौरा सुरुवाल अनिवार्य केलाबाद मोर्चा एकर बिरोध करैत आएल अछि ।

दौरासुरुवाल एकटा जाति आ क्षेत्रके मात्रे प्रतिनिधित्व केलासँ   राष्ट्रिय पोशाक होबय नहि सकयके मोर्चाक कहब अछि ।

जापानी प्रधानमंत्रीके राजिनामा


जापान , भादव ९ । जापानके प्रधानमंत्री नाओतो कान आलोचना पऽ पूर्ण विराम लगबैत पार्टी नेताके पदसँ राजिनामा देलनि अछि ।

कानके राजिनमाके बाद सत्ताधारी डेमोक्रेटिक पार्टी आब अगिला  सोमदिन पार्टीके नयाँ नेताके लेल  चुनाव करत । ताज़ा घटनाक्रमके बाद बितल पाँच सालमें पार्टीके छठम नेता चुनल जाएत ।

भूकंप पीड़ित आ ओइसँ भेल नोक्सानमे राहत कार्यके समय सही क़दम नहीं उठौने कहैत नाओतो कानके लगातार अइ बातके लऽ आलोचना होइत आएल छल ।

जापानमें अहि साल 11 मार्चके भूकंपके बाद आएल सुनामीसँ बहुत नोक्सान पहुँचल छल ।

जूनके महीनामें कान  शपथ लेने छलथि जे जँ  संसद तीन मुख्य क़ानूनी बुँदाके पारित करैत अछि तऽ ओ राजिनामा देताह ।

मैक्सिकोमें हमला, ५०गोटेके मृत्यु


मैक्सिको , भादव ९ । मैक्सिकोके उत्तरी शहर मोंटेरेमें एकटा जुआ घरमें भेल हमलामें कम सँ कम ५० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

शहरके मेयरके अनुसार मृतकके सँख्या आओर बढि सकैत अछि ।

मैक्सिकोके औद्योगिक राजधानीसँ चर्चित मोंटेरेमे बितल किछ वर्षमें ओतय हिंसामें बहुत बृद्धि भेल अछि । अइके लेल स्थानीय ड्रग गैंग ज़िम्मेदार रहल बताओल जारहल अछि ।

 ५ गोटेके समुहमे रहल हथियारधारी समुह भवनमे पैस पेट्रोल छिट कऽ पुरा भवनमे आगि लगौने छल ।

मृत्यु होबयबलामे बेसी जुआ घरके कर्मचारी आ ग्राहक रहल अछि ।

स्थानीय मीडियाके अनुसार हमलाके समय सब द्धार बन्द रहलासँ बेसी गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

एतेक सँख्यामे  आम नागरिकके मृत्यु भेल इ घटना मैक्सिके  इतिहासमें बहुत बडका अछि ।

राष्ट्रपति फ़ेलिपे काल्डेरोन अहि घटना प्रति भर्तसना केलनि अछि ।

लोकपाल पर चर्चाके लऽ असमंजस


नयाँ दिल्ली, भादव ९ । लोकसभाके कार्यसूचीमें लोकपाल पऽ चर्चाके शामिल नहि केलापर लोकपाल विधेयक पर असमंजसके स्थिति अखनो बनले अछि ।

संसदीय कार्यमंत्री पवन बंसल सँसदके कार्यवाही शुरु होबयसँ पहिनेहि कहलनि जे संसदके कार्यसूचीमें अइके चर्च नहि अछि ।

किछुए काल पहिने लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार कहलिह जे लोकपालके विभिन्न बिषय पर चर्चा करय लेल आठ सदस्यके दिससँ जानकारी आएल अछि ।

ओ बतौलिह जे कांग्रेसके ४ सदस्य, जगदंबिका पाल, संदीप दीक्षित, विजय बहुगुणा आ भक्त चरण दास  धारा 193 के अनुसार चर्चाके लेल नोटिस देलनि अछि ।

लोकसभा अध्यक्ष अहि बिषयमे अपना फ़ैसला जल्दिए देब बतौलिह । धारा 193 के अनुसार भेल बहसके  मतविभाजन नहि भऽ सकैत अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन