Saturday, March 12, 2011

गोलीकाण्डबारे प्रधानमन्त्री जवाफ देताह


२८ फागुन, काठमाडौं । केन्द्रीय कारागार सुन्धारामे वृहस्पतिदिन भेल गोलीकाण्डबारे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल काल्हि सदनमे जवाफ देबय लागल छथि । मन्त्रिपरिषदक आइ बैसल अनौपचारिक बैसारस घटना गम्भीर भेल निष्कर्ष निकालैत काल्हि सदनमे गृहमन्त्रालयके समेत जिम्मेवारी सम्हारने प्रधानमन्त्री खनाल जवाफ देबयके निर्णय केने छथि ।
पर्यटनमन्त्री खड्कबहादुर विश्वकर्माके अनुसार घटनाके छानविनक लेल आयोग गठन करयबारे बिमर्श भरहल अछि । ‘केन्द्रीय कारागारमे भेल गोलिकाण्डके सरकार गम्भीर रुपमे लेने अछि ओ कहलनि -’छटनाके छानविनक लेल आयोग गठन करयबारे बिमर्श भरहल अछि । काल्हिधरिमे किछ निष्कर्ष आओत ।’ बैसारमे प्रधानमन्त्री खनाल सुरक्षा समितिके काल्हि बैसल बैसारमे भेल बिमर्शबारे जानकारी करौने छलथि ।
त्रिपुरेश्वरस्थित केन्द्रीय कारागारमे बृहस्पतिदिन जसजीत सिंह नामक भारतीय भाडाके सुटर मुद्रा अपचलनके आरोपमे थुनामे रहल नेशनल टेलिभिजनके संञ्चालक युनुस अन्सारी उपर गोली प्रहार केने छल ।

पत्रकार कर्ण सम्पर्क विहीन


२८ फागुन, काठमाडौं । कार्यालय चलल नेपाल वन टेलिभिजनके समाचार प्रमुख धर्मेन्द्रकुमार कर्ण काल्हिएस सम्पर्क विहीन भेल छथि ।
अपन निवास बलकुमारीस काल्हि भिन्सर १० बजे नेपाल वानके कार्यालय तीनकुनेके लेल चलल समाचार प्रमुख कर्ण अखनधरि बेपत्ता छथि । ओ कार्यालयके लेल निकलल आ कार्यालय नै पहुँचल अछि । अखनधरि परिवार, कार्यालय आ साथीसबसँग सम्पर्कमे नै रहल नेपाल वान जनौलक अछि । पत्रकार कर्ण सम्पर्क विहीन भेल पुलिसके खबर कएलगेल परिवारजन जनौलक अछि ।

मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ पर्बता पहुँचल

जनकपुर, फागुन २८ । फागुन २० गतेसँ शुरू भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ पर्बता पहुँचल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक अमाबस्या तिथिसँ प्रारम्भ भेल ई माध्यमिक परिक्रमा जनकपुरक हनुमान गढीमे एकत्रित भेल बिभिन्न मठ मन्दिर तथा कुटीसँ निकलल राम जानकीक डोलासभ भारतक कल्णा, फुलहर, मटिहानी, जलेश्वर, मडैई, ध्रुबकुण्ड, कंचनबन होइत आइ पर्बता पहुँचल अछि ।
आइ रातिमे ओइठाम बिश्राम केलाबाद परिक्रमा फेउर काँल्हि धनुषाधामक लेल प्रस्थान करत । तहिना ३० गते सतोषरमे डोलाके परिक्रमा करबैत बिश्राम कराओल जाएत । अहिना, चैत १ गते औरही, २ गते करूणा, ३ गते फेउर कल्णा होइत बिसौलमे बिश्राम करत । ओकरबाद ४ गते जनकपुर पहुचलाक बाद ५ गते भिन्सरमे जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा कऽ परिक्रमाके समापन कएल जाएत।
अहि परिक्रमामे नेपाल भारतक दुर दुरसँ आएल साधु सन्त तथा श्रद्बालु भक्तजनसभहक पैंग सँख्यामे सहभागीता रहैत अछि तऽ ठाम ठाममे बिभिन्न क्लब सभ निशुल्क भोजन तथा आबासके ब्यबस्था सेहो कएने अछि । बिश्राम स्थल प मेला सेहो लगैत अछि जतय दुर दुरस गामक लोकसब मेला देखय अबैत अछि ।

जापानक भुकम्पक तस्बीरसब

प्रिंटरस निकलत मृगौला जेहन कोनो अंग – बिज्ञान


प्रयोगशालामें अंग विकसित करयके दिशामें एक क्रांतिकारी प्रयोगके रुपमें एकटा प्रिंटरके द्धारा मृगौला जेहन महत्वपूर्ण अंग प्रिंट कएलगेल अछि ।
पुनरुत्पादक दवाइ प अनुंसधानस जुड़ल 'वेक फॉर्स्ट इंस्टिट्यूट' के डॉक्टर एंथोनी जे अटालाके कहब छन्हि जे अइ दिशा में आओर कामयाबी भेटला प अंगदानके समस्या समाधान भ जाएत ।
डॉक्टर अटाला आ हुनक दलके सदस्य कैलिफोर्नियामें एकटा कॉंन्फ्रेंसके समय थ्री-डी प्रिंटरस ई देखाबयके कोशिश केलनि जे केना क मृगौला जेहन कतेकौ अंग प्रयोगशालामें बनाओल जा सकैय ।
कॉंन्फ्रेंसमें प्रयोगके लेल डॉक्टर अटाला जे मृगौला तयार केलनि ओ ओकर प्रिंट तयार होबयमे करीब सात घंटाके समय लागल आ इ एकटा गुलाबी झिल्ली जका देखयमे आबिरहल कहलनि ।
ओ बतौलनि जे इ मशीन आ एकर प्रबिधि ठीक ओहिना काज करैत अछि जेना एकटा साधारण प्रिंटर काम करैत अछि ।
फर्क इ अछि जे अइ प्रिंटरमें कार्ट्रिज यानि स्याहीके जगह जीवित कोशिकाके प्रयोग कएलगेल अछि ।
डॉक्टर अटाला कहलनि जे प्रिंटरमें प्रयोग कएल जा रहल कोशिकाके नमूनाके लेल मानव शरीरस लेल गेल अछि। जाहिस मानव शरीरके लेल अपने आप कोशिकाके साँच प आधारित अंगके स्वीकार केनइ आसान होइत अछि ।
डॉक्टर अटालाके कहब छलनि जे इ प्रयोगके अखन शुरुआती अछि आ एना क तयार कएलगेल मैगौलाके अखन रोगीमे प्रत्यारोपित नहि कएल जा सकैय ।
हालांकि इ दल प्रयोगशालामें मूत्राशय बना चुकल अछि आ इ अंग करिब दस सालधरि रोगीके शरीरमें निक स काज करैत अछि ।

संविधान आगु सेना समायोजन : प्रकाश


२८ फागुन, घोराही । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ ‘प्रकाश’ संविधान जारी करय आगुए सेना समायोजनके काम सम्पन्न हाएत बतौलनि अछि । ओइके लेल नयाँ संविधान निर्धारित समयमे जारी होबयके सुनिश्चितता होबय परत हुनक कहब छलनि ।
क्रान्तिकारी पत्रकार संघ दाङ आइ भिन्सर घोराहीमे आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे उपाध्यक्ष प्रकाश दलसबबीचक सहमति अनुसार सेना समायोजनके मोडालिटीके खाका ५ दिन भितरे आओत जानकारी सेहो देलनि ।
माओवादी आ एमालेबीच भेल ७ सुत्रिय सहमतिए राष्ट्रिय सहमतिके प्रस्थानबिन्दु भेलास ओइप्रति नकारात्मक टिप्पणी त्याग परत कहैत ओ आवश्यक हाएत त परिमार्जन करय सेहो तयार रहल बतौलनि ।
ओ नेपाली काङ्ग्रेस सेहो सरकारमे सहभागि भ याह सरकारके राष्ट्रिय सहमतिके सरकारके स्वरुप देबयके धारणा रखलनि ।
शान्ति आ संविधानक लेल माओवादी अधिकतम प्रयास करत आ ओइविरुद्ध षडयन्त्र हाएत त जनता अपने विद्रोहमे उतरत हुनक कहब छलनि । ‘शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचय नै देबय अखन सेहो प्रतिगामी षडयन्त्र भ रहल अछि ’ उपाध्यक्ष प्रकाश कहलनि ।

अन्तराष्ट्रिय मैत्रीपूर्ण फुटबलके तयारी तिव्र


२८ फागुन, पोखरा । पोखरामे आगामी चैतके पहिल सप्ताहमे होबयबला नेपाल आ भुटान बीचक अन्तराष्ट्रिय मैत्रीपूर्ण फुटबलके लेल कास्की जिल्ला फुटबल संघ तयारीमे जुटल अछि ।
संघ अखिल नेपाल फुटबल संघ एन्फा कास्कीके अध्यक्ष खेमबहादुर गुरुङके संयोजकत्वमे १ सय १ मुल आयोजक समिति गठन कएलगेल अछि त विभिन्न उपसमितिसब सेहो कएलगेल अछि ।
एफसी च्यालेन्ज कपके छनोट चरणके तयारीमे रहल भुटानी राष्ट्रिय फुटबलके टोली एघार वर्षके बाद नेपाल आबिरहल अछि । भुटानी टोली चैत ३ आ ५ गते पोखरा रंगशालामे नेपालके राष्ट्रिय टोलीसँग मैत्रीपूर्ण खेल खेलत । चैत ९ आ ११ मे भुटान आ अफगानिस्तान बिच प्लेअफ खेल हाएत । चैत्र २४, २६ आ २९ गते एफसी च्यालेन्ज कप भरहल अछि । समूह ‘डी’ मे उत्तरकोरीया, श्रीलंका आ नेपाल सिधे प्रबेश पौअने अछि ।

ए एन ए के २९ हम् सम्मेलन डि.सी.मे हाएत


वाशिङटन डीसी , फागुन २८ । सन् २०११ के ए एन ए के २९ हम् सम्मेलन वाशिङटन डीसीमे होबय लागल अछि ।
बितल बर्ष बोष्टनमे सम्पन्न २८ हम् सम्मेलनमे भेल आर्थिक अनियमितताके कारण संस्था विवादित आ विभाजित भेल छल । बिबादके बाद क्लोराडोके लेल तय कएलगेल सन् २०११ बाषिर्क सम्मेलन डीसीमे घुसकाओलगेल अछि । क्लोराडाके स्थानीय आयोजक रकी माउन्टेन क्लब सम्मेलन करय नै सकब जनौलाक बाद सम्मेलन डीसीमे घुसकाओलगेल अछि

गृह माओवादीएके भेटत : भट्टराई


२८ फागुन, विराटनगर । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई अबेर सबेर गृहमन्त्रालय माओवादीएके भेटत दाबी कएलनि अछि ।
आइ विराटनगर विमानस्थलमे पत्रकारसबसँग बातचित करैत उपाध्यक्ष डा भट्टराई सात सुत्रिय सहमति अन्तर्गते सरकार निर्माण भेल आ गृहमन्त्रालय अपने पार्टीके भेटत बतौलनि । गृहमन्त्रालय नै भेटत त एकिकृत माओवादी पार्टी कि करत ? प्रश्नमे उपाध्यक्ष डा. भट्टराई अपनेसब निराशावादी बातमे नै रहल बतौलनि ।
ओ शान्ति आ संविधानक लेल राष्ट्रिय सरकारक आवश्यकता होबय अनुरुप वर्तमाने सरकारके राष्ट्रिय सरकारके रुपमे ल जाएके मिलत कहैत सब बात सात सुत्रिय सहमति अनुसार होइत जाएत बतौलनि । उपाध्यक्ष डा भट्टराई सरकारमे सहभागी होबय चाहबला दलसब अपन अपन दाबी प्रस्तुत करय सकत कहैत अपनेसब मौका खुल्ला रखने बतौलनि ।
पार्टीके मजदुर सङ्गठनमे देखलगेल विवादके बारे उपाध्यक्ष डा. भट्टराई अपनेसब कोनो संगठन नै खोलि क एकताके लेल भेला मात्रे केने जानकारी करौलनि ।

छात्राके लेल १२ कक्षाधरि निःशुल्कः अर्थमन्त्री

२८ फागुन, काठमाडौं । उपप्रधानमन्त्री तथा अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारी आब आबयबला नयाँ बजेटमे छात्रासबहक लेल १२ कक्षाधरि निःशुल्क शिक्षाके व्यवस्था कएल जाएत बतौलनि अछि ।
अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवसक अवसरमे जैन श्वेताम्बर तेरापन्थ महिला मण्डल आइ आयोजना केने महिला सम्मेलन तथा सम्मान कार्यक्रममे अधिकारी नेपाली महिला शिक्षास बञ्चित रहैत अएलास ओकरासबके शैक्षिकरुपमे सशक्त बनाबय एहन व्यवस्था कएल जाएत बतौलनि । सहरी क्षेत्रस ग्रामीण क्षेत्रके महिलामे आर्थिक, सामाजिक, शैक्षिक, स्वास्थ्य सहितक बेसी समस्या रहलास ओ निचा स्तरके महिलासबहक लेल काम करय आग्रह कएलनि ।
कार्यक्रममे उपप्रधानमन्त्री अधिकारी धार्मिक क्षेत्रमे योगदान देनेबापत समाजसेवी पुखराजदेवी सेठियाके नारी सम्मान-२०११ स सम्मानित कएलनि ।

बचावकार्य जारी, अखनधरि 1000 के मृत्यु


एजेन्सी , फागुन २८ । जापानमें आएल भूकंप आ सुनामीस मरयबलाके संख्या एक हज़ारस ऊपर पहुँचल अछि । आइ सेहो जापानमें भूकंपके झटका महसूस कएल जारहल अछि ।
देशके २ टा परमाणु ऊर्जा केंद्र क्षतिग्रस्त भेल अछि आ अहिके कारण हज़ारों गोटेके सुरक्षित स्थान प पठाओलगेल अछि । जापान मे भेल अहि भुकम्पक क्षतिके अनुमान केनाई बहुत मुश्किल अछि । करिब १०० गोटे चढल एकटा जहाज़ सेहो सुनामीमे दहागेल अछि जकर अखनधरि पता लागय नै सकल अछि । अहिना ४ टा रेल सेहो हेरागेल अछि । सब स बेसी तबाही सेंदाईमें भेल अछि जतय अखनधरि 300 गोटे डूबिगेल अछि आ सैंकड़ो बेपता अछि ।
फ़ुकुशीमा दायची परमाणु प्लांटके किछ तकनीकी ख़राबीके कारण बंद काएलगेल अछि आ ओतय रहय वला करिब २ हज़ार गोटेके ओहिठामस हटयके लेल कहलगेल अछि त मियागीके परमाणु प्लांटमे भयानक आगि लागल अछि । जापान सरकार एकटा परमाणु प्लांट लग आपातकाल घोषित केलक अछि कियाक त ओहिके ठंडा राखयबला यंत्र काज केनाइ छोरि देने अछि । ओहिके आसपास रहयबला हज़ारों गोटेके घर खाली करवाओल गेल अछि ।
जापान सरकार जापानी सीमा लग रहल अमरीकी सेना स राहत कार्यमे सहयोग करय आग्रह केलक अछि । अखनधरि १ हजार गोटेके मृत्यु भ चुकल अछि त बचाब कार्य जारी अछि । वैज्ञानिकके कहब अछि जे इ जापानके इतिहासमें सबस बड़का भूकंप छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन