Tuesday, August 02, 2011

२८ गतेभितर शान्तिप्रक्रिया होबय नहि सकत ।। बैद्य


१७ साउन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण प्रधानमन्त्रीके कहल जँका साउन २८ गते भितर शान्ति प्रक्रियाके मुलभुत काज सम्पन्न होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे बैद्य कहलनि जे-माओवादीके आगु अनेक सर्त राखयके आ माओवादीके झुकाउन चाहब त ओ मान्य नहि हाएत ।

माओवादीके बेवास्ता क क चलय चाहत त कोनो विषयमे सहमति बनय नहि सकत कहैत ओ लडाकूके काज आगु बढाबयसँ पहिने मोडालिटी, नम्र्स, नेतृत्व, जिम्मेवारीके विषयमे सहमति होबय परत बतौलनि । अपन पार्टीके समर्थनमे झलनाथ खनाल प्रधानमन्त्री बनितो राजीनामा देत त माओवादीके कोनो आपत्ति नहि हाएत  स्पष्ट केलनि ।

शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण कार्य सँगसँगै आगु बढाबय परत कहैत ओ एकटाके बेवास्ता क दोसर प्रक्रिया आगु बढय नहि सकत बतौलनि । प्रधानमन्त्रीसँग भेल सहमतिके आधारमे पहिल चरणमे क्याविनेट मन्त्रीके मात्रे सपथ करौने कहैत दोसर चरणमे बाँकी राज्यमन्त्रीसबके समेत सपथ ग्रहण कराबयके सहमति भेल दावी कएलनि ।

आगामी सरकारक नेतृत्व माओवादीके भेटय चाही दावी करैत उपाध्यक्ष बैद्य ओहन सरकारक नेतृत्व उपाध्यक्ष डा बाबुराम भट्टराई करत स्पष्ट केलनि ।

मन्त्रीमण्डल पुर्नगठनप्रति मधेसवादी दलसबहक आपत्ति


काठमाडौ, श्रावण १७ । पाँचबुँदे सहमति अनुसार राजीनामा नहि द प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल मन्त्रीमण्डल पुर्नगठन केलासँ मधेसवादी दलसब आपत्ति जनौलक अछि । ओसब प्रधानमन्त्रीके पछिला कदम राजनीतिक धर्म आ आचारण विपरित रहल आरोप लगौलक अछि ।

 मधेसी जनअधिकार फोरम गणतान्त्रिकके  सहअध्यक्ष राजकिशोर यादव काम चलाउ हैसियतमे पहुँचल सरकार पुर्नगठन क क प्रधानमन्त्री दलसबबीचक अविश्वासके खध्दा बनाबयके काज केने आरोप लगौलनि ।

 राष्ट्रिय सहमतिके लेल मार्ग प्रशस्त करयके प्रतिबद्धता समेट क पाँचबुँदे सहमतिके प्रधानमन्त्री वेवस्ता केने स्पष्ट भेल हुनक कहब छलनि । ओ कहलनि जे, प्रचण्डजीके व्याक्तिगत सहयोगमे प्रधानमन्त्री बनल खनाल हुनकर ऋण चुक्ता करय बाहेक आरो किछ करय नहि चाहि रहल छथि ।

 सदभावनाके सहअध्यक्ष लक्ष्मणलाल कर्ण पाँचबुँदे सहमति कार्यान्यवनमे गंम्भीर नहि भ माओवादीके आन्तिरिक कलहके समाधान करय मात्रे कएलगेल मन्त्रीमण्डल पुर्नगठनसँ समस्या सोझराएके बदला आरो ओझराएत बतौलनि । शान्ति, संविधान आ मधेसक मुद्दामे सेहो सरकार उदासिन भेल हुनक आरोप छलनि ।  

समायोजन विशेष समितिक बैसार आइयो


१७ साउन, काठमाडौँ । माओवादी सेनाके लडाकूसबहक रेखदेख, समायोजन, तथा पुर्नस्थापनासम्बन्धी विशेष समितिके बैसार आइ सेहो बैसय जा रहल अछि ।

बैसार बेरियाके ५ बजे नयाँबानेश्वरस्थित समितिके सचिवालयमे बजाओलगेल अछि । बैसारमे आइ सेहो सेना समायोजनके मोडालिटी, संख्या, तह मिलान तथा स्वेच्छिक अवकाशमे जाएबला लडाकूके देल जाएबला राहत प्याकेजके विषयमे बिमर्श करयके कार्यसूची अछि । दलसब बीचमे समायोजन मोडालिटीमे सहमति नहि भेलासँ अहिसँ आगु सेना समायोजनके कार्यतालिका बेर बेर प्रभावित होइत आबि रहल अछि ।

कांग्रेस-एमाले सहितक दलसब शिक्षा, उमेर, तालिम आदि सुरक्षा निकायके स्थापित मापदण्ड पूरा करयके लडाकूके मात्रे व्यक्तिगत रुपमे समायोजन करय  सकयके अडान रखैत आएल अछि । एम्हर, माओवादी व्यक्तिगत ढंगसँ कएल जाएबला समायोजनसँ जनसेना पछिला गणतन्त्र सहितक पछिला राजनीतिक परिवर्तनमे रहल भूमिकाके अवमुल्यन होयबाक अडानमे अछि ।

लेखा समितिद्वारा टेलिकमके निर्देशन


काठमाडौ, श्रावण १७ । संसदके सार्वजनिक लेखा समिति नेपाल टेलिकमके सब टा खरिद प्रक्रिया सार्वजनिक खरिद ऐन अन्तर्गत लाबय निर्देशन देलक अछि ।

समितिके आइ बैसल बैसारसँ टेलिकम बिना  टेन्डर खरिद करय लागल ब्रेजिङ प्रोजेक्टमे आर्थीक अनियमितता आ अख्तियारके दुरुपयोग भेल कहैत प्रक्रिया आगु नहि बढाबय निर्देशन देलक अछि ।

टेलिकम माँग बमोजिम पुरा करय नहि सकब कहैत ब्रेजिङ प्रोजेक्ट मार्फत ११ लाख ५२ हजार जिएसएम मोबाइल क्षमता आ ४ लाख सिडिएम मोबाइलके पूर्वाधार निर्माण करयके योजना बनौने छल । समिति बिना टेन्डर खरिद करय लागल १५ लाख ५० हजार लाइन रद्द करय निर्देशन दैत ततकाल टेन्डर आव्ह्रान करय सेहो कहने अछि । 

समितिके बितल माघ १९ गतेके बैसारसँ खरिद ऐन  अनुसारे टेन्डर प्रक्रिया पूरा कक मात्रे खरिद करय निर्देशन दैतो टेलिकम समयक अभाव भेल कहैत ११ लाख ५२ हजार जिएसएम आ ४ लाख सिडिएम मोबाइल विस्तारक योजना आगु लौने छल ।

विवाद समाधान उपसमितिक बैसार स्थगित


१७ साउन, काठमाडौँ । भावी संविधान निर्माणक क्रममे देखलगेल विवाद कम करय गठित संवैधानिक उपसमितिक बैसार स्थगित भेल अछि ।

सिंहदरवारस्थित संवैधानिक समिति कार्यालयमे किछुएकाल बैसल बैसारमे कांग्रेसक दिससँ सदस्य रहल उपसभापति रामचन्द्र पौडेल नहि औलाबाद स्थगित कएलगेल उपसमिति सहयोगी एमाले सभासद अग्नि खरेल  जानकारी देलनि । बैसारमे राज्य पुर्नसंरचना समितिके प्रतिवेदनमे रहल विवादित विषमे सहमति जुटाबयके प्रयासमे बिमर्श करयके कार्यसूची छल ।

बैसार आगु राज्य पुर्नसंरचनाबारे माओवादी आ एमाले अपनासँग परामर्श नहि केने कहैत कांग्रेस अनुपश्थित भेल छल । संविधानसभाके पछिला बेर थपलगेल समय समाप्त होबय १ महिनासँ कम समय बाँकी रहितो दलसबबीच भावी संविधानक राज्य पुर्नसंरचना, शासकीय स्वरुप आ निर्वाचन प्रणाली सहितक २७ विषयमे अखनो विवाद अछि । आहिसँ आगु काल्हि बैसल संवैधानिक समितिक बैसारसँ विवादित विषयमे जल्दिए सहमति जुटाबय उपसमितिके निर्देशन देने छल ।

अहिबिच, उपसमिति आइए बेरियामे विवाद समाधानक प्रयासमे कांग्रेस आ मधेशवादी दलसबसँग संयुक्त बिमर्श करय लागल खरेल बतौलनि ।

गौतम पार्टी फोरयके धम्की देलाबाद शपथः ओली


१७ साउन, भक्तपुर । एमाले स्थायी समिति सदस्य खड्ग ओली, उपाध्यक्ष बामदेव गौतम पार्टी फोरयके धम्की देलासँ पार्टी निर्णय विपरित माओवादी मन्त्रीसबहक शपथग्रहण कएलगेल दाबी केलनि अछि ।

एमाले स्थायी समिति सदस्य खड्ग ओली, उपाध्यक्ष बामदेव गौतम पार्टी फोरयके धम्की देलासँ पार्टी निर्णय विपरित माओवादी मन्त्रीसबहक शपथग्रहण कएलगेल दाबी केलनि अछि । भक्तपुरके बालकोटस्थित अपने निवासमे आइ पत्रकार सम्मेलन क ओली पार्टी अध्यक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालक इच्छा नहि रहितो गौमतके दबाबमे शपथ करौने टिप्पणी कएलनि अछि ।

काल्हि बैसल स्थायी समितिक बैसारमे माओवादी मन्त्रीके शपथग्रहण नहि हाएत त पार्टी फुटय सकयके धम्की देने ओलीक दाबी छलनि । ओ आगामी २१ गते साउनमे केन्द्रीय समिति बैसारसँ सपथ विवादके उचित निश्कर्ष लगाओल जाएत  बतौलनि ।

खनालके पार्टी सदस्यसँ हटाओल जा सकैय ।। नेपाल


१७ साउन, सुनसरी । एमाले नेता प्रदीप नेपाल अपन अध्यक्ष एवम् प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल बेर बेर निर्णय केलासँ हुनका पार्टीके सङ्गठित सदस्यसँ समेत हटाबय सकयके  चेतावनी देलनि अछि ।

प्रेस चौतारी सुनसरी आइ सुनसरीमे आयोजना केने पत्रकार भेटघाटमे बजैत नेता नेपाल खनालसँ पार्टी विधान आ निर्णयके बेर बेर उलङ्घन भेलासँ केन्द्रीय समिति हुनकर सङ्गठित सदस्यता छिनय सकयके आधार तय भेल  दाबी कएलनि । प्रधानमन्त्री खनाल अपन किछ आदमीके बलके आधारमे मात्रे पार्टीमे टिक  क रहय सम्भव भेल नेपालक कहब छलनि  

खनाल अपने मजबुत होबय पार्टी अनुशासन आयोगके समेत दुरुपयोग केने ओ बतौलनि । प्रधानमन्त्री खनाल माओवादी निर्णयके आधारमे चलैत एलासँ ओ माओवादीके प्रधानमन्त्री भेल आरोप नेपाल लगौलनि ।

नेपालक झण्डा

मजदुरके पिटने विरोधमे यातायात बन्द


१७ साउन, वीरगञ्ज । यातायात मजदुरउपर भेल पिटपाटक विरोधमे व्यवसायी आ यातायात मजदुर वीरगञ्ज-कलैया सडक खण्डमे आइसँ अनिश्चितकालीन यातायात हड्तालक आहवान केलक अछि ।

बितल साउन १४ गते ना ३ ख १८८९ नम्बक बसके कनडक्टर उमेश पटेलके पर्साके भलुहि भरबरियाके स्थानीय  भाडाके विषयमे विवाद भेलाबाद पिटपाट क घाइल बनौने विरोधमे व्यवसायी यातायात ठप्प केने अछि । व्यवसायी आ मजदुरसब पिटपाटमे संलग्नके कानुनी कारबाही आ घाईल पटेलके इलाज खर्च उपलब्ध नहि कराबएधरि बन्द यातायात नहि खोलयके चेतावनी देने अछि ।

पटेलके चितवनक भरतपुर अस्पतालमे इलाज भ रहल अछि । व्यवसायी पिटपाटमे संलग्न व्यक्तिसबके गिरफ्तार करितो पुलिस बिना कारबाही छोडि देने कहैत रोष प्रकट केने अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन