Wednesday, April 06, 2011

संसद अवरुद्ध करयके छोट दलक चेतावनी


काठमाडौं, चैत २३ । एक स्वतन्त्र सहित दु छोट दलक सभासद नयाँ संविधानसभा अल्पसंख्यक मुस्लिम दलित आ जनजातिके अधिकार सुनिश्चित नहि हाएत त व्यवस्थापिका संसद अवरुद्ध करबाक चेतावनी देलक अछि ।
 नयाँ संविधानमे अपनासभके अधिकार सुनिश्चित नहि भेल कहैत संवैधानिक समितिके बैसार अवरुद्ध करैत आएल दलित जनजाति पार्टीक विश्वेन्द्र पासवान, संघीय लोकतान्त्रिक मंचके रुकमणि चौधरी आ स्वतन्त्र सभासद सदरुल मियाँहक आब प्रमुख तीन दलक नेतासभसँग भेट क माँग संवोधन करयके लिखित प्रतिबद्धता माँग केलनि अछि । संवैधानिक समिति सभापति निलाम्बर आचार्यके पहलमे तीन दलक नेतासभसहित भेल बिमर्शमे सभाससभ माँग संवोधन नहि हाएत त संसद अवरुद्धधरिके आन्दोलनमे जाएब बतौलनि । 
अहिस आगु अपनासभहक माँग संवोधन नहि कएलगेल कहैत सभासद पासवान आ मियाँ अपने बैसल कुर्सि फेकने छलथि ।

शिक्षा नियमावली विपरित सहमती देलगेल


जलेश्वर, चैत २३ गते । शिक्षा कार्यालय महोत्तरी शिक्षा नियमावली विपरित एक विद्यालयके शिक्षक भर्नाके लेल अनुमति देलक अछि ।  
शिक्षा कार्यालय महोत्तरी शिक्षा नियमावली तोकने नियमके बिना कोनो परवाह केने महोत्तरीके उच्च माध्यमिक विद्यालय बसविट्टी वसन्तपुरके शिक्षक भर्नाके लेल अनुमति देलक अछि ।  
उच्च मावि बसविट्टी वसन्तपुरमे जिल्ला शिक्षा समितिसँ स्वीकृत मावि दरबन्दी ६ आ विशेष शिक्षा परिषदसँ १ समेत क ७ दरबन्दी मे स अखन सामाजिक विषयके दरबन्दी रिक्त रहल अछि  । विद्यालयमे रहल बिभिन्न रिक्त दरबन्दीमे स विद्यालय रिक्त दरबन्दीमे अंग्रेजी शिक्षक विषय राखयके सल्लाह भेलासँ आवश्यक निर्देशन आ आवश्यक व्यवस्था मिला देबय जिल्ला शिक्षा कार्यालय महोत्तरीमे माँग केने छल ।
एम्हर, जिल्ला शिक्षा कार्यालय महोत्तरीके निमित्त जिल्ला शिक्षा अधिकारी सुरेश प्रसाद सिंह शिक्षा नियमावलीके बिना कोनो परवाह केने अनुमति देने विद्यालय श्रोत जनौलक अछि । स्रोतक अनुसार शिक्षा नियमावली रिक्त पदमे मात्रै पदपूति करयके उल्लेख रहितो सिंह दु दु टा शिक्षक रहल अंग्रेजी विषयमै पदपूर्ति करयके अनुमति देलक अछि ।
स्रोतक अनुसार किछ अभिभावक तथा शिक्षकसभ जिल्ला प्रशासन कार्यालय महोत्तरीमे उजुरी करितो ओ निकायसभ  किछ नहि केने जानकारी देलनि अछि । 

भुमिसुधार मन्त्रालय भेटत त सरकारमे जाएबः महासचिव मैनाली


सिन्धुली, चैत २३ । नेकपा मालेक महासचिव सिपि मैनाली एकिकृत माओवादी आ नेकपा एमाले विच भेल सातवुँदे सहमती अपन पार्टिके कोनो हालतमे मान्य नहि हाएत वतौलनि अछि ।
 आइ सिन्धुलीमाढीमे कार्यकर्ता भेटघाट कार्यक्रममे सभाषद समेत रहल माले महासचिव मैनाली इ वतौलनि अछि । सँगहि आव भुमिसुधार मन्त्रालय भेटत तखने मात्र झलनाथ खनाल नेतृत्वक सरकारमे जाएब नहि त नेकपा माले कोनो हालतमे सरकारमे नहि जाएत वतौलनि । महासचिव मैनाली माले कार्यकर्ता बिच करिव २ घण्टा बिमर्श कऽक उदयपुर गेल छथि ।

सकारात्मक सामाजिक अभियान शुरु करु: खनाल


काठमाडौं, चैत २३ । अर्थमन्त्रालयके सचिव जेहन प्रतिष्ठित आ आर्थिक आम्दानीके दृष्टिसँ लाभदायी पदसँ एकाएक राजीनामा देलाबाद चर्चामे आएल रामेश्वर खनाल नयाँ सकारात्मक सामाजिक अभियानक लेल एकतावद्व होबय आहृवान केलनि अछि ।
अपन कार्यकालमे देश आ जनतासँ बेसी पैसा आ शक्तिके लेल मरिमेट्यबला भ्रष्ट ब्यक्तिसभ भेटल बतौने खनाल भ्रष्टचार विरुद्व शान्तिपूर्ण अभियान शुरु करय आमनागरिकसँ अपिल कएलनि अछि । भ्रष्टचार समाजक क्यान्सर अछि,’ खनाल बहुचर्चित सोसल नेटवर्क साइट फेसबुकमे लिखने छथि-बढैत भ्रष्टचारसँ देशमे आर्थिक विखण्डन लाएल अछि त आर्थिक बृद्विके सम्भावनासभहक उपयोग होबय नहि सकल अछि ।

 नेपालीसभ नेपाल बन्द क कार्यालय, उद्योग तथा ब्यापार-ब्यवसाय ठप्प करय कुशल रहल कहैत खनाल आब नयाँ उदेश्य आ लक्ष्यके सँग सबके समृद्वि आ सफलताके लेल पृथक ढँगसँ सामाजिक अभियानमे लागय परत बतौलनि अछि ।
भ्रष्टचारकै कारण अन्तराष्ट्रिय समुदायमे नेपालके नाम कलंकित भेल आ निष्पक्ष बतावरणमे काम करय चाहयबलासभ अनावश्यक दुःख, झमेला सहय परल ओ  बतौने छथि । अहिके लेल आम नागरिक अपन काम किछ दिन अबेरसँ होइतो ७५ जिल्लामे कार्यरत कोनो सरकारी कर्मचारीके घुस नहि देबय सेहो आग्रह केने छथि ।

परिक्षा प्रणालीमे भेदभाव केने स्वतन्त्र बिद्धार्थी युनियनक दाबा


जनकपुरधाम, चैत २३ । रा रा ब क्याम्पस जनकपुर बितल २ बर्षसँ प्रत्येक सँकायके बिद्धार्थीसभ उपर परिक्षा प्रणालीमे भेदभाव केने स्वतन्त्र बिद्धार्थी युनियन दाबा कएलक अछि ।
हाल निकलल प्रबिणता प्रमाण पत्र तहमे प्रत्येक सँकाय तर्फ परिक्षार्थी उपर एक्सपेल्ड आ अनुपस्थित देखाओलगेल कहैत एहन ज्यादाती रोकय युनियन चेतावनी सेहो देलक अछि ।
एहन काज नहि रुकल त सम्पुर्ण बिद्धार्थीसभ आन्दोलनमे उतरत युनियनद्धारा जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।
सँगहि , सिरहाके क्याम्पसके एम एडके सम्पुर्ण बिद्धार्थीके त्रिबि एक्सपेल्ड केने प्रति युनियन घोर भर्तसना सेहो केलक अछि ।

समस्यासभहक जल्दी सँ जल्दी समाधान करबः नगरपालिका प्रमुख साह


जनकपुरधाम, चैत २३ । नागरिक समाज जनकपुर , जनकपुर नगरपालिकाके प्रमुख राजकिशोर साहके समक्ष एक डेलिगेशन प्रस्तुत करैत नगरक समस्याक बिषयमे बृहत बिमर्श केलक अछि ।
जनकपुर नगर भितर रहल सर सफाइ,  मच्छरक नियन्त्रण, नाला सफाइ, सडकके ब्यबस्था, बिजुली बत्तीके ब्यबस्था सहितक बिभिन्न बिषयमे नागरिक समाज आ प्रमुख शाह बिच बिमर्श भेल अछि ।
बैसारक बाद प्रमुख शाह समस्यासभहक जल्दी सँ जल्दी समाधान करबाक आश्वाशन देने समाजक सदस्य सचिव राम बाबु साहद्धारा जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

माओवादीक अन्त्य निश्चितेः काँग्रेसक सभापति कोइराला


जनकपुर , चैत २३ । नेपाली काँग्रेसक सभापति शुसिल कोइराला माओबादी देशमे तानाशाह लाबय चाहत त माओवादीक अन्त्य निश्चिते हाएत चेतावनी देलनि अछि ।
नेपाल शिक्षक सँघक १५ हम् राष्ट्रिय प्रतिनिधि सभाके उदघाटन कार्यक्रममे बजैत सभापति कोइराला कहलनि जे माओवादी देशमे तानाशाही लाबय चाहि रहल अछि जे माओवादीक पैघ भुल अछि ।
ओ कहलनि जे माओवादीक वाइसिएल आ अन्य दस्तासभ जनताके त्रसित करय लेल मात्रे भेलासँ एहन धाक धम्कीस काँग्रेस नहि डेराएत ।
शान्ति प्रकृयाके निश्कर्षमे पहुँचाबय एकता, सहकार्य आ मेलमिलापक आबश्यक्ता रहल उपर ओ जोड देलनि ।
अहिना कार्यक्रममे काँग्रेसक केन्द्रिय कोषाध्यक्ष चित्रलेखा यादब देश बिकासक लेल नयाँ तरिकासँ निति तथा कार्यक्रमके तर्जुमे केनाइ आबश्यक रहल बतबैत आबके लगानी शिक्षामे होबय परत बतौलनि ।
शिक्षक सँघक केन्द्रिय अध्यक्ष मोहन ज्ञवालीक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रम चैत २६ गतेधरि चलत ।
अहिबिच, प्रेस युनियन धनुषा सभापति कोइराला आ प्रेस युनियनके जनकपुरसँ नव निर्वाचित केन्द्रिय सदस्य श्री नारायण साहके सम्मान सेहो कएलक अछि ।

नायिका शोभिता

संविधान नहि बनयके खतरा बढल कहैत सभासदद्वारा चिन्ता व्यक्त


काठमाण्डौ, चैत २३ । सभासदसभ संविधान जारी करयके समय लक्चियाइतो संविधान बनयके आ नै बनयके अन्यौल बढल कहैत चिन्ता व्यक्त केलनि अछि ।

 एक दोसरके आरोप प्रत्यारोप करयके बदला संविधानसभाके बाँकी समयके भरतूर सदुपयोग क तोकले समयमै संविधान जारी करयके बाताबरण सृजना करय माँग केलनि अछि । व्यवस्थापिका संसदके आइ बैसल बैसारके विशेष समयमे एकीकृत माओवादीके लोकेन्द्र विष्ट मगर संविधान जारी करयके समयके भरपूर सदुपयोग कऽकऽ आगामी जेठ १४ मे संविधान जारी करय परत  बतौलनि ।

संविधान जारी करयके  समय एक महिना २२ दिन मात्रे बाँकी रहितो  संविधान बनयके नहि बनयके अन्यौलता बढल स्मरण करबैत दलसभ आरोप प्रत्यारोपमे नहि लागि कऽ संविधान निर्माणमे केन्द्रीत होबय  आग्रह कएलनि ।

मतदाता परिचयपत्र अभियानप्रति मधेशवादी दलसभहक विरोध


काठमाण्डौ, चैत २३ । मधेशवादी दल निर्वाचन आयोग शुरु केने मतदाता परिचयपत्र अभियानप्रति विरोध जनौलक अछि ।

व्यबस्थापकिा संसदके आइ बैसल बैसारके सुरुमे सभामुखसंग समय लऽ कऽ मधेशवासी दलक नेतासभ नागरिकता परिचयपत्रके आधारमे मात्रे मतदाता परिचयपत्र देबयके अभियान सँ लाखौ मधेशी मतदान अधिकार सँ बँचित हाएत बतौलनि अछि । तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक ह्दयश त्रिपाठी नागरिकताके आधारमे मतदाता परिचयपत्र बनाबय निर्वाचन आयोग सुरु केने  अभियान त्रुटिपूर्ण रहल आरोप लगौलनि । तराइके हजारौं जनता नागरिकता विहिन भेल अवस्थामे सुरु कएलगेल अभियान सँ लाखौ मधेशीके मतदान अधिकार सँ बँचित बनाओत कहैत  त्रिपाठी मधेशीके लेल मान्य नहि हाएत बतौलनि ।

सदभावना पार्टीक लक्ष्मणलाल कर्ण नागरिकताके समस्या बाँकी रहल समयमे सुरु भेल मतदाता परिचयपत्र वितरण अभियानसँ सात प्रतिसत नागरिक मतदानके अधिकार सँ बँचित होबयके अबस्था आओत दावी कएलनि । कर्ण मधेशमे शान्ति सुरक्षा कायम करयके आ आतंकवादीके गिरफ्तार करयके बहानामे मधेशी जनताके दुःख देबयके आ आतंकित बनाबयके काम भेल टिप्पणी कएलनि । संसद बैसारमे विधायन समितिके सभापति यशोदा गुरुङ्ग सुवेदी मेलमिलाप कार्यविधिके सम्बन्धमे व्यबस्था करय बनल विधेयक सम्बन्धी समितिके प्रतिवेदन पेश कएलनि अछि ।

माओवादी जनविद्रोहके अध्यक्ष सहित पाँच गिरफ्तार


काठमाडौं,  चैत २३नेकपा माओवादी जनविद्रोहक अध्यक्ष ललित लिम्बु सहित पाँच गोटेके  पुलिस गिरफ्तार केलक अछि
महानगरीय प्रहरी अपराध महाशाखा काठमाडौंक विशेष टोली भक्तपुरक जगाति सँ लिम्बु सहित पार्टीक उपाध्यक्ष, सचिव, सैन्य कमाण्डर सहितक लेल गिरफ्तार केलक अछि । जगातिस्थित एक घरम बैसारैसल समय छापा मारि कऽ हुनकासभके गिरफ्तार कएलगेल पुलिस जनौलक अछि । वैशाख एक गतेसँ सशस्त्र विद्रोहक योजना बनाबय बैसार बैस रहल सूचनाक आधारम पुलिस  छापा मारने छल
हुनकासभहक सँगस २ थान पेस्तोल, किछ राउण्ड गोली, प्रेसर कुकर बम, चन्दा रसिद, लेटरप्याड सहितक दस्तावेजसभ बरामद केलक अछि

समयमे नयाँ संविधान बनयके सँभावना नहि अछिः बैद्य


काठमाडौं, चैत २३ एकीकृत नेकपा माओवादीक वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण तोक समयम नयाँ संविधान बनयके संभावना नहि रह बतौलनि अछि
नयाँ संविधान बनयके स्थिति नहि देखरहल अछिपत्रकार सुशील गौतमक निवन्ध संग्रह इतिहाँसक मझधारम उभिएर आइ विमोचन करैत बैद्यले कहलनि जे-यथास्थितिवादी, पश्चिगामी परिर्वतन नहि चाहयबला शक्तिसभ संविधान निर्माणम अवरोध क रहल अछि
संविधान निर्माणक क्रममखन नयाँ पूरान शक्तिबीच संघर्ष चलिरहल कहैत नयाँ शक्ति विजय करत तखने नयाँ संविधान बन दावी कएलनि
माओवादी संविधान बनाबयहि चाहने कहि कऽ गलत प्रचार कएलगेल दावी कएलनि । उपाध्यक्ष बैद्य माओवादी मूर्दा शान्तिक पक्षमहि रह कहैत सम्मानजनक रुपम लडाकुक समायोजन नहि होबय धरि मान्य नहि हाएत बतौलनि

facebook Page Like

  • मनोरँजन