Saturday, April 02, 2011

नेपाल आबयके राष्ट्रसंघ महासचिवक इच्छा


काठमाडौं , चैत १९ । संयुक्त राष्ट्र संघक महासचिव वान की मुन  अपने जल्दिए नेपाल भ्रमणमे आबयके इच्छा व्यक्त केलनि अछि ।
आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालके टेलिफोन क महासचिव मुन नेपाल आबयके इच्छा रखने प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि ।
 महासचिव मुन अपने जल्दिए नेपाल भ्रमणमे आबयके इच्छा रखैत नेपालक शान्ति प्रक्रियाके सफल बनाबय राष्ट्र संघ हरप्रकारके सहयोग उपलब्ध कराबय तयार रहल बतौलनि । टेलिफोन संवादमे महासचिव मुन नेपालक शान्ति आ संविधान निर्माणक प्रक्रियामे भ रहल प्रगतिके बारे  जिज्ञासा रखलनि ।'
 प्रधानमन्त्री खनाल देशमे शान्ति आ संविधान निर्माण करय सरकार दृढ प्रतिज्ञाके सँग आगु बढिरहल बतबैत ओइमे सकारात्मक प्रगति हासिल भ रहल महासचिव मुनके जानकारी करौने छलथि ।

शान्त ठाममे माओवादीक बैसार / पार्टी नहि फुटतः प्रवक्ता


सिन्धुपाल्चोक, चैत १९ । आन्तरिक विवाद उग्ररुप लेलाबाद शान्त ठाम तकैत सिन्धुपाल्चोकमे सुरु भेल माओवादी स्थायी समितिक आजुक  बैसार सम्पन्न भेल अछि । बैसार काल्हि सेहो जारी रहत ।
आइके बैसारमे स्थायी समितिक १६ गोटे सदस्यसभ अपन धारणा रखने प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा जानकारी देलनि । ओ पार्टी एकबद्ध रहल बतौलनि । 'माओवादी जुट्य जनने अछि , फुट्य नहि ,' बैसारक बाद सञ्चारकर्मीसभसँग शर्मा कहलनि जे, 'माओवादी जनवादी केन्द्रीयतामे अडि कऽ अछि ।'
 स्थायी समिति बैसार सिन्धुपाल्चोकके सुकुटे स्थित एक रिर्सोटमे सुरु भेल अछि । एकान्तमे जा कऽ महत्वपूर्ण निर्णय करयके पुरान परिपाटीके निरन्तरता दैंत माओवादीके स्थायी समिति बैसार सिन्धुपाल्चोकमे सुरु भेल छल । काल्हिधरि चलयबला बैसारमे पार्टीके आन्तरिक विवाद,  नेपाली सेना प्रस्ताव केने सेना समायोजन सम्बन्धि खाका आ सरकारमे पठाबयके नामसभहक नामावली तयार करत ।
 बैसार सुरु होबयसँ आगु शान्ति मन्त्री एवं स्थायी समिति सदस्य वर्षमान पुन नेपाली सेना प्रस्तुत केने समायोजन सम्बन्धि खाका सकरात्मक भेल कहैत ओइ उपर थप बिमर्श हाएत बतौने छलथि ।

भारत हार के दिस बढिरहल


एजेन्सी, चैत १९ । आइ सि सी क्रिकेट वल्रर्ड कप अन्तर्गत अखन भरहल भारत आ श्रीलँका बिचक फाइनल खेलमे श्रीलँका भारत समक्ष जितयके लेल  २७५   रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
मुम्बइके वानखेडे स्टेडियममे भरहल आजुक खेलमे श्रीलँका टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ करैत       बिकेटक क्षतिमे  २७४      रन बनौलक अछि ।
श्रीलँकाके सँगाकारा  ४८, दिलसान ३३, समरविरा २१ रन बनौलनि त महेला जयबर्द्धने सर्वधिक नट आउट      १०३ रनक योगदान देलनि अछि । अहिना, परेरा ९ बलक मदतसँ २२ रन बनौलनि अछि ।  
एम्हर, भारतक जाहिर खान  आ युवराज सिँह २-२ बिकेट लेलनि ।
प्रतिउतरमे उतरल भारत २४    ओभर खेलैत  ३    बिकेटक क्षतिमे  १२२      रन बनाकऽ खेल रहल अछि ।
भारतक सचिन १८ आ बिराट कोहली ३५  रन बनाक आउट भेलथि त सहभाग बिना खाता खोल्नेहि आउट भेलथि ।
एम्हर, श्रीलँकाक मलिङा २ बिकेट लेलनि अछि ।

जेठ १४ मे कोनो हालतमे संविधान नहि बनतः मातृका यादव


नेपालगँज, चैत १९ । नेकपा माओवादीक अध्यक्ष मातृका यादव जेठ १४ गते भितर कोनो  हालतमे संविधान बनय नहि सकत ठोकुवा कएलनि अछि ।
  आइ नेपालगँजमे पत्रकार सम्मेलन क यादव इ ठोकुवा कएलनि अछि । जेठ १४ मे संविधान बनय नहि देबय लेल विदेशी  दलालसभ लागि परल हुनक आरोप छलनि । जनताके तोकले समयमे संविधान पाबयके आश सेहो  मारिगेल यादव बतौलनि । यादव आब जेठ १४ बाद राज्य सत्ता जनताके हातमे लेबाक तैयारी भ रहल बतौलनि ।

तोकले मितिमे संविधान बनतः संविधानसभा अध्यक्ष-नेम्वाङ


काठमाण्डौ, चैत १९ । संविधानसभाक अध्यक्ष सुभाषचन्द्र नेम्वाङ दलसभ मिल कऽ आगु बढत त तोकले मितिमे संविधान वनत बतौलनि अछि ।
 लायन्स क्लव अफ नेपाल डिष्ट्रिक्ट ३२५ बी नेपालक १४ हम् राष्ट्रिय अधिवेशनके आइ नेपालगँजमे उद्घाटन करैत सभामुख नेम्वाङ दलसभ मिलयके विकल्प नहि रहल वतौलनि । ओ शान्ति आ संविधान निर्माण प्रकि्रयाके निश्कर्षमे पहुँचाबय दलसभ गम्भीर भ सहमति करय परत कहैत संविधानक अअिधंकाश विवादसभ टुङ्ग्याबय दलसभ सक्षम होइतो पर्याप्त समय नै देलासँ आ बिमर्श नहि कएलासँ एहन समस्या आएल बतौलनि ।   
पछिला अवस्थामे दलसभ विचक विवादसँ संविधान निर्माण प्रकि्रया आओर जटिलतामे गेल प्रति चिन्ता व्यक्त करैत सभामुख नेम्वाङ सहमति आ सहकार्यके बाटके आबय आग्रह कएलनि ।

तीन गोट मूर्तिचोर गिरफ्तार


काठमाडौं, चैत १९ । काठमाडौंके नयाँ बसपार्कके विभिन्न स्थानसँ पुरान मूर्ति चोरी करयबलासभके आइ पुलिस  मूर्ति सहित गिरफ्तार केलक अछि । गिरफतार होबयबलामे बुद्धि लामा, रामबहादुर तामाङ आ मानबहादुर लामा रहल पुलिस जनौलक अछि ।
पुलिस भिन्सरमे नयाँ बसपार्कमे विभिन्न देवी देवताके मूर्तिके मोलजोल क रहल अवस्थामे ओकरासभके गिरफ्तार केलक अछि । महानगरीय प्रहरी वृत्तके प्रमुख दीपक थापाक अनुसार बेसी पैसा पाबयके लोभसँ ओसभ मूर्ति चोरी केने बयान देलक अछि ।

कांग्रेस आ मधेसवादी विना संविधान जारी करबाक नहि चाहीः राष्ट्रपति



काठमाडौं, चैत १९ । राष्ट्रपति डा रामबरण यादव नेपाली कांग्रेस आ मधेसवादी दलसभके साथ नहि ल दु तिहाई बहुमतसँ संविधान जारी कराबयके योजना उपयूक्त नहि भेल बतौलनि अछि ।
सर्वसम्मत नहि हाएत त दु तिहाई सँ संविधान जारी करयके संबैधानिक ब्यवस्था अछिअपने निवासमे आइ सञ्चारकर्मीसभ बात करैत यादवले कहलनि जे- शक्तिबीचके सहमतिमे जारी होबयबला संविधानसँ मात्रे अटुट शान्ति स्थापना करत । ताहिलेल दु तिहाईसँ सेहो सर्वस्विकार्य संविधान जारी करय परत । एहन संविधान अटुट हाएत ।
लोकतान्त्रिक गणतन्त्रके सपथ खा कऽ अपने राष्ट्रपति बनल उल्लेख करैत ओ अपने सर्वस्विकार्य संविधानक पक्षमे रहल समेत स्पष्ट कएलनि ।
आन्दोलनसँ प्राप्त उपलब्धि संस्थागत करय जारी शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्यके निश्कर्समे पहुँचाबयमे जोड दैत राष्ट्रपति ओइके लेल देशके प्रमुख ४ राजनीतिक शक्तिसभबीच सहमति आ सहकार्य होबय परत बतौलनि ।
सेना समायोजन विशेष समितिमे सहमतिक लेल सघन बिमर्श करय परत कहैत ओ विशेष समितिमे सहमति बनैत गेल त संविधान निर्माण सेहो सहज हाएत  धारणा रखलनि ।
निर्धारित समयमे संविधान निर्माण होबय नहि सकल अवस्थामे संविधानसभाके म्याद बढाबयदिस संकेत करैत राष्ट्रपति अहि विषयमे जेठ १४ गतेके मध्यरातिसँ पहिनेहि काल्हि कि करब से विषयके निर्णय करय परत बतौलनि ।

नारीक पिडा


श्रीलँका भारत समक्ष २७५ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक


एजेन्सी, चैत १९ । आइ सि सी क्रिकेट वल्रर्ड कप अन्तर्गत अखन भरहल भारत आ श्रीलँका बिचक फाइनल खेलमे श्रीलँका भारत समक्ष जितयके लेल  २७५   रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
मुम्बइके वानखेडे स्टेडियममे भरहल आजुक खेलमे श्रीलँका टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ करैत       बिकेटक क्षतिमे  २७४      रन बनौलक अछि ।
श्रीलँकाके सँगाकारा  ४८, दिलसान ३३, समरविरा २१ रन बनौलनि त महेला जयबर्द्धने सर्वधिक नट आउट      १०३ रनक योगदान देलनि अछि । अहिना, परेरा ९ बलक मदतसँ २२ रन बनौलनि अछि ।  
एम्हर, भारतक जाहिर खान  आ युवराज सिँह २-२ बिकेट लेलनि ।

थारु संघके सम्मेलनमे चलल बस दुर्घटना / ३० गोटे घाइल


टीकापुर, चैत १९ । नेपाल लोकतान्त्रिक थारु संघक प्रथम राष्ट्रिय सम्मेलनमे सहभागी होबय धनगढी जा रहल बस आइ महेन्द्रराज राजमार्ग अन्तर्गत कैलालीके बलिया सडक खण्डमे दुर्घटना भेलासँ करिब ३० गोटे घाइल भेल अछि ।
 नेपालगञ्ज सँ धनगढीदिस जारहल भे १ ख ९३५ नम्बरक बस आ धनगढीसँ पुर्वदिस आबिरहल ना ३ ख ३७०१ नम्बरक ट्रक एक आपसमे ठोकराएलासँ दुर्घटना भेल अछि । बसमे सवार घाइल भेलसभहक कैलालीके लम्कीस्थित स्थानीय लालरत्न अस्पतालमे इलाज  भरहल अछि ।
 दुर्घटनमे परि गम्भीर घाइल भेल १६ गोटेके इलाजक लेल नेपालगञ्ज पठालगेल अछि । गम्भीर घाइल भेल सबमेसँ नेपालगञ्ज पठाओलगेल सभमे घनश्याम विष्ट, रामबहादुर वली, आशाराम चौधरी, रुपक चौधरी, यमन विसी आ तेजबहादुर घर्ती रहल लालरत्न अस्पताल लम्की जनौलक अछि ।
 नेपाल लोकतान्त्रिक थारु संघक प्रथम राष्ट्रिय सम्मेलनके उद्घाटन, पुर्व प्रघानमन्त्री माधव नेपाल कएलनि अछि । सम्मेलन २१ गतेधरि चलत जनाओलगेल अछि ।  

संविधान नहि बनत त माओवादी दोषीः पौडेल


तनहुँ, चैत्र १९ । कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल समयमे संविधान नहि बनत त ओकर दोष माओवादीके लेबय परत बतौलनि अछि । आइ तनहुँ स्थित सहिद बुद्ध सिंह मार्गके सडक उद्घाटन करैत नेता पौडेल इ बात बतौलनि अछि ।
 पौडेल एमाले आ माओवादीके कारण देश थप जटिल मोडमे पहुँचल बतौलनि । माओवादी आ एमाले देशके बन्धक बनाबय चाहने हुनक आरोप छलनि  । सोझ जनताके भ्रम, धाकधम्कि देबयके माओवादीके रवैया अखनो नहि हटल बतबैत पौडेल कहलनि जे, ‘माओवादी देशमे अस्थिरताके फाईदा उठाबय चाहने अछि ।एमालेके माओवादी अपन स्वार्थपूर्तीके लेल प्रयोग केने नेता पौडेलक कहब अछि । ओ माओवादी आ एमाले सात वुँदे सम्झौता कऽक देशके धोका देबय चाहलासँ कांग्रेसके ओइके विरोध करय परल  बतौलनि ।
ओ सभ देशके बन्धक बनाबय चाहने अछि ।माओवादी हतियार नहि राखय धरि  बनाओलगेल नयाँ संविधान सुरक्षित होबय नहि सकत बतबैत पौडेल कहलनि जे, ‘माओवादी नयाँ संविधान बनाबय नहि चाहने अछि । देशमे नयायुगके शुरुवात सँ अपनासभहक रवैया हटय सकलास माओवादी नयाँ संविधान बनाबय नहि चाहने पौडेलक ठहर अछि । 

राजतन्त्रबारे निर्णय करय जनताके देबय परतः ज्ञानेन्द्र


काठमाडौं, चैत १९ । पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र शाह जनता चाहत त राजतन्त्रबारे निर्णय जनतेके करय देबय परत बतौलनि अछि ।
काठमाडौंके सोल्टी होटलमे अपन ब्यवसायिक साझेदार प्रभाकर शमशेर राणाके नातीके पास्नीमे सहभागी पूर्वराजा शाह उपस्थित किछ सञ्चारकर्मीसभसँग अनौपचारिक बातचितमे ओ इ बात बतौलनि अछि ।
अखनो राजाके रुपमे फिर्ता होबयके सम्भावना देखैत छी सञ्चारकर्मीसभहक प्रश्नमे पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र राजतन्त्रके बारेमे जनता निर्णय करत कहैत ‌ओहन विषयमे अपने बजनाइ काल्पनिक रहल बतौलनि ।
अपने सदिखन राष्ट्रके हितके सर्वोपरी रखैत जनताके निर्णयके सम्मान केने कहैत ओ भविश्यमे सेहो ओइके  विपरित नहि जाएत बतौलनि । ओ अपने सेहो इ देशक नागरिक भेला सँ अपन  विचार, चिन्ता आ उत्सुक्ता सेहो एकटा आम नेपाली नागरिकसँ अलग  नहि रहल  बतौलनि । पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र नागरिकके रुपमे अपने देशके अवस्थाप्रति चिन्तित रहल वतौलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन