Friday, December 30, 2011

बारह बिग्हाके जमिन कम कऽ रहल प्रति तमलोपाक ध्यानाकर्षण


१५ पुष जनकपुरधाम । जनकपुरक बारह बिग्हा मैदानके मर्मत काजक क्रममे पुर्व दिससँ करिब डेढ बिग्हा अलग कऽ बाट बनावय लागल प्रति तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टी ध्यानाकर्षण भेल जनौलक अछि ।

तमलोपा धनुषा आइ एक बिज्ञप्ति जारी कऽ बारह बिग्हा मैदानके पुर्वदिससँ बाट बनावयके नाममे करिब डेढ बिग्हा जमिन अलग केलासँ बारह बिग्हा छोट हाएत जनौलक अछि । भारत सरकारक सहयोगमे बारह बिग्हाके सँरक्षण हेत निर्माण भऽ रहल कार्यसब स्वागत योग्य रहितो जमिन कम कऽ भौतिक सँरचनाके बिगाडयबला काज अशोभनिय रहल जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

अहि काजके अबिलम्ब बन्द करयके आग्रह करैत पार्टी नहि बन्द भेल तऽ बिरोधक कार्यक्रम करय बाध्य हाएब चेतावनी देलगेल अछि । पार्टी बिकासके बिरोधी नहि रहल मुदा बारह बिग्हाके सँरक्षण करबाक नाममे जमिन कम करबाक काज निक नहि रहल जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

नेपालक लेल डिजेल प्लान्ट उजरका हात्तीः आपूर्तिमन्त्री


१५ पुस, काठमाडौँ । सरकार लोडसेडिङ अन्त्यक लेल डिजलसँ सञ्चालन होवयबला थर्मल प्लान्ट लावयके तयारी कऽ रहल समय बाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री लेखराज भट्ट थर्मल प्लान्ट नेपालक लेल अनुपयुक्त रहल बतौलनि अछि ।

राजधानीमे आइ आयोजिक साक्षात्कारमे मन्त्री भट्ट थर्मल प्लान्ट नेपालक लेल ठिक नहि भेलासँ  उजरका हात्ती सावित हाएत टिप्पणी कएलनि । जाहि देशमे डिजेल नहि अछि, ओ देशमे डिजेल प्लान्ट उपयुक्त होबही नहि सकतमन्त्री भट्टक कहब छलनि । उर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी अपनासँ बेसी इमान्दार रहल कहैत भट्ट किछ तत्व कमिसन खाएके उद्देयसँ प्लान्ट खरिदके लेल मन्त्रीके सहमत करौने होवय सकबाक आरोप लगौलनि ।

मन्त्री भट्ट आवयबला एक सप्ताहमे पेट्रोलियम पदार्थके अभाव अन्त्य हाएत दाबी कएलनि । मन्त्री परिषद निर्णय करत तऽ नागरिक लगानी कोष आ सञ्चय कोषसँ ब्याजके प्रतिशतके विषयके लऽ क रकम देवय किछ अबेर केने  कारण आपूर्ति सहज बनावय नहि सकल मन्त्री भट्ट खुलासा कएलनि ।

'ठाणे' समुद्री तूफ़ानमें ६ गोटेके मृत्यु


१५ पुष भारत । बंगालके खाड़ीसँ चलल 'ठाणे' नामक  तुफानमे कड्डलोर आ पड़ोसी पुड्डुचेरी में ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि । इ तूफ़ान तमिलनाडुके तटीय क्षेत्रके पार कऽ चुकल अछि ।

अधिकारीके अनुसार देवाल खसलासँ आ करेन्ट लगलासँ कड्डलोर में पाँच गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ पुड्डुचेरीमें छत खसलासँ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मौसम विभागके अनुसार १४५ किलोमीटर प्रति घंटाके तेज गतिसँ  हवा आ बर्षा भऽ सकैत अछि । मुदा इ किछुए कालके लेल आएत मौसम बिभागक दाबी अछि 

पुड्डुचेरी, कड्डलोर आ नागापट्टनममें हाई अलर्ट जारी कएल गेल अछि । ओतय तेज़ हवाके साथ साथ भारी बर्षा सेहो भऽ रहल अछि । बंगालके खाड़ीसँ शुरु भेल 'ठाणे' नामक तुफान  तमिलनाडुके कतेकौ इलाकामें पहुंच चुकल अछि ।

प्रशासन समंदरके आसपासक रहयबलासबके पहिनही  सुरक्षित स्थान पर पहुंचा देने अछि आ अहिके लेल  कड्डलोर आ नागापट्टनममें ४९ टा राहत शिविर लगाओलगेल अछि । साथमे तमिलनाडु सरकार  नागापट्टनम सँ लऽ क वेल्लोर धरि आठ टा राहत आ बचाव टिमेक पठौने अछि । अहिके अलावा नेशनल डिज़ासटर मैनेजमेंट फ़ोर्सके १५ हज़ार सँ बेसी जवानके परिचालन कएल गेल अछि ।

सीरियामे सेनाके चलाओल गेल गोलीसँ ४० गोटेके मृत्यु


१५ पुष सीरिया ।  सीरियामें सरकार विरोधी कार्यकर्ताके अनुसार सुरक्षाकर्मी  करिब ४० गोटेके गोली मारि कऽ हत्या केलक अछि ।

दमिश्क़के एक उपनगर समेत अरब लीगके पर्यवेक्षक समुह  जाऽ रहल स्थानसबमे इ हत्या कएलगेल अछि । अहि बीच कार्यकर्तासब आइ पैघ संख्यामें सड़क पर विरोध प्रर्दशनके आह्वान केने अछि ।

सीरियाके लेल बनाओल गेल शांति योजना पर अमल भऽ रहल अछि या नहि । याह देखय लेल पर्यवेक्षक राजधानी दमिश्क़ आ अन्य शहरमे जाऽ रहल छल । शांति योजनामें सीरियामें हिंसाके पुर्ण रुपसँ रोकय लेल, सभ सशस्त्र पुलिसके घुरयके आ सभ बन्दीके छोड़यके बात कहल गेल छल ।
सयुंक्त राष्ट्रके कहब अछि जे सीरियामें बितल दस महीनासँ चलि रहल सरकार-विरोधी प्रर्दशनमें पांच हज़ारसँ बेसी नागरिकके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

मुदा अरब लीग पर्यवेक्षक समुहके ओकर नेतृत्वके लेल आलोचना भऽ रहल अछि । एमनेस्टी इंटरनेशनलके अनुसार अल-दाबी सूडानमें १९९० के दशकमें 'यातना देवयके ' 'बेपत्ता होवयके मामलाके लेल अल-दाबी ज़िम्मेबार अछि ।


बसके ठक्करसँ तीन गोटेके मृत्यु


१५ पुस, दमौली । तनहुँक जामुने गाविस-३ निर्मलस्तीमे बितलराति बसक ठक्करसँ तीन गोट पैदल यात्रीक मृत्यु ेल  ि

पोखरासँ वीरगञ्जदिस आबि रहल ना ख ६११७ नम्बरक बस ठक्करसँ स्थानीय ४५ वर्ष राजन रानाभाट, ४२ वर्ष रेशम रानाभाट २३ वर्ष अनिल रानाभाटक मृत्यु भेल अछि अहिना बसक ठक्करसँ १६ वर्ष सुनिल रानाभाट गम्भीर घाइल भेल अछि । उच्च गतिक कारण अनियन्त्रित भ बस ठक्कर देने पुलिस जनौलक अछि

ठक्कर देवयबला बसक चालक फरार ि तऽ बस पुलिसक नियन्त्रणमे रहल अि । घटनाक विषयके लऽ क स्थानीयबासीसब रातिभरि पथ्वीराजमार्ग अवरुद्ध केने छल

facebook Page Like

  • मनोरँजन