Thursday, March 17, 2011

अनुदान नै देलक त फेउर पेट्रोलियम पदार्थक मुल्य बृद्धिः निगम

काठमाडौं, ३ चैत्र । मासिक १ अर्ब ५५ करोड रुपैयाँ घाटा रहल कहैत नेपाल आयल निगम तत्काल राज्य अनुदान नइ देलक तऽ पुनः पेट्रोलियम पदार्थके मूल्य बृद्धि हाएत जनौलक अछि ।
आई राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे निगमक कार्यकारी निर्देशक दिगम्बर झा सरकार १ अर्ब ५० करोड रुपैया अनुदान नइ देलक तऽ मूल्य बृद्धि करए परत बतओलन्हि अछि। भारतीय आयल निगम उधार नई देलाकबाद ओ सरकार अनुदान या कर छुट नइ देलक तऽ मूल्य बृद्धि केनाईके विकल्प रहल बतओलन्हि अछि । सरकार पेट्रोलमे करिब ३१ रुपैयाँ, डिजेलमे साढे बाह्र रुपैयाँ, मट्टियातेलमे २ रुपैयाँ आ ग्याँसमे २ सय १० रुपैया कर लैत आबि रहल अछि ।
कार्यकारी निर्देशक झाक अनुसार पछिला मुल्य बृद्धि सेहो हवाई इन्धनमे किछ नाफा होइतो पेट्रोलमे अखनो प्रति लिटर ४ रुपैयाँ ३० पैसा, डिजेलमे २० रुपैयाँ आ खाना पकाबयबला एलपी ग्यासँमे प्रतिसिलिण्डरमे २ सय ५४ रुपैयाँ घाटा अछि ।

सडक दुर्घटनामे १७ गोटेके मृत्यु, २८ गोटे घाइल

एजेंसी, चैत ३ ।महाराष्ट«के बुलदाना जिल्लामे आइ तीर्थयात्रिसँ भरल एकटा बस दुर्घनाग्रस्त भेला सँ १७ गोटेके मृत्यू भेल अछि तऽ २८ गोटे घाइल भेल अछि ।
पुलिसक अनुसार मलकापुर कस्बेके निकट थंदूलवाडी गाउमें यी बस एकटा पुल सँ नीच्चा खसल अछि । ओ बस शिरडी आ शनिशिंगनापुर सँ घुरि रहल छल । बसमें सवार बेसी गोटे वर्धा जिल्ला निवासी छल । घटनाक जानकारी होइते वरिष्ठ अधिकारी ओत्तय पहुँचल छल । अधिकारिसभक अनुसार घटनाक छानबिन भऽ रहल अछि । इमहर, घाइलसभके स्थानिय अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

संयुक्त मानन्धरके सरकारमे पठाबय लागल

काठमाडौं, ३ चैत्र । नेकपा संयुक्त महासचिव सुनिल मानन्धरके सरकारमे पठाबय लागल अछि ।
संयुक्तके आइ बैसल केन्द्रीय कार्य समितिके बैसारस मानन्धरके सरकारमे पठाबयके निर्णय केलक अछि । मानन्धर वातावरण मन्त्रालयके जिम्मेवारी पाबय लागल लगभग निश्चित अछि । संयुत्तके अन्य मन्त्रालय भेटत या नै बिषयमे बिमर्श जारी अछि ।

सुनामीपीडित जापनीके सहयोगमे श्रेष्ठद्धारा साँढे दु लाख सहयोग


टोक्यो, चैत ३ । बितल मार्च ११ तारिखमे आएल भूकम्प आ सुनामीके कारण बिस्थापित होबय बाध्य जापानी जनताके नेपालीसब सेहो सहयोग करयके क्रम जारी अछि । अहिक्रममे बितल १२ बर्षस जापानमे रहिरहल गैरआबासीय नेपाली संघ जापानक उपाध्यक्ष रोबिन्दप्रसाद श्रेष्ठ( गोबिन्द) जापान सरकार सँचालन केने आपतकालीन राहत कोषमे २ लाख ५० हजार येनक सहयोग कएलनि अछि ।
आइची केनके ओकाजाकी वडा कार्यालय जा क स्वास्थ्य तथा परोपकार शाखाक अधिकृत फुजियो तोयोहिरोके नगद २५, ०००० येन सहयोग स्वरूप हस्तान्तरण कएलनि अछि ।

दुर्घटनामे तीन गोटेके मृत्यु

विराटनगर, चैत्र ३ । सुनसरी आ मोरङमे बितल राति भेल अलग-अलग दुर्घटनामे तीन गोटेके मृत्यु भेल अछि । एक गोटे गम्भीर घाइल भेल अछि । क्षेत्रीय ट्राफिक प्रहरी कार्यालयके अनुसार सुनसरी सदरमुकाम इनरुवास्थित सुनसरी खोलाके पुल लग भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
नम्बर नै खुजल मोटरसाईकल मे २ प २६८० नम्बरक मोटरसाईकलके ठक्कर देलास ओ मोटरसाईकलमे सबार झापा शान्तिनगरके २६ वर्षक बुद्ध थारु चौधरीके मृत्यु भेल अछि । वायह घट्नामे सुनसरी भोक्राहा ७ के ५० वर्षक बौकादेवी सदाके मृत्यु भेल अछि ।
ओम्हर, मोरङके टङ्की सिनवारीमे दु टा मोटरसाइकल एक आपसमे ठोकरेलास इटहरी ४ के सुनिल चौधरीके मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । वायह घटनामे इटहरी ४ के मनोज चौधरी गम्भीर घाइल भेल अछि ।

माओवादी फेउर जनसत्ता सञ्चालन करत

लमजुङ, ३ चैत्र । एकीकृत नेकपा माओवादी फेउर जनसत्ता सञ्चालन करय लागल अछि ।
माओवादी लमजुङके इन्चार्ज देवेन्द्र पराजुली जनताके राहत देबय फेउरस जनसत्ता सञ्चालन करय लागल जानकारी देलनि । ओ विकास निर्माण, न्यायनिसाफके सँगे अन्य जनसरोकारके विषयमे जनसत्तास काम काएल जाएत बतौलनि ।
जिल्ला संगठन समितिके बैसारस केन्द्रीय कमिटीके निर्देशन बमोजिम जनसत्ता आ जनअदालत गठनके सँगे जनस्वयम्सेवक दस्ता निर्माण समेत करयके निर्णय केने इन्चार्ज पराजुली जानकारी देलनि । वाइसिएल, युवा आ पार्टी कार्यकर्ता रहयबला ओ दल जनताके सुरक्षा, विकृति विसङ्गति विरुद्ध लडयके सँगहि विकास निर्माणमे सहयोग करत ओ बतौलनि ।

‘माओवादीके गृह देबय नै सकब त राजिनामा देब : प्रधानमन्त्री’


काठमाडौं, ३ चैत्र । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल गृह मन्त्रालय माओवादीके देबय नै सकब त पदस राजिनामा देब बतौलनि अछि ।
एमाले स्थायी कमिटीक आइ बैसल बैसारमे एमाले अध्यक्ष समेत रहल खनाल अपने माओवादीके गृहमन्त्रालय देबयके वचन द देने कहैत वचन पुरा करय नै सकब त पदमे बसि क ऽ रहय नै सकब बतौलनि ।
एमालेमे वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल आ स्थायी कमिटी सदस्य केपी शर्मा ओली पक्षधर माओवादीके गृह मन्त्रालय नै देबय खनालके दबाब दैत आएल अछि । गृह मन्त्रालय माओवादीके देब कि नै बिषयमे विवाद भेलाबाद बैसारस सरकारमे सहभागी होबयबला मन्त्री छनोट करय नै सकल अछि । एमालेक दिसस विष्णु पौडेल, भरतमोहन अधिकारी आ गंगालाल तुलाधर मात्रे मन्त्री छथि । सत्ता साझेदार माओवादीसँगके सहमति अनुसार एमालेके अखनो ५ गोटे मन्त्रीसबहक निर्णय करय बाँकी अछि ।
अहिबिच, पार्टी मुख्यालय बल्खुमे करिब ३ घण्टा चलल आजुक स्थायी समितिक बैसारस अन्य दलसबसँग वार्ता करय पूर्वप्रधानमन्त्री माधबकुमार नेपालक संयोजकत्वमे एक टोली गठन केलक अछि । टोलीमे महासचिव ईश्वर पोख्रेल, उपाध्यक्षद्वय वामदेव गौतम आ अशोक राई सदस्य छथि । वार्ता टोली नेपाली कांग्रेस सहितक सरकार बाहर रहल दलसबके सरकारमे लाबय पहल करत बताओलगेल अछि । बैसारस वर्तमान सरकारके राष्ट्रिय सहमतिके स्वरुप देबयके निर्णय सेहो केलक अछि ।

'अमरीका साइबर हमला रोकयमें असक्षम'


एजेन्सी, चैत ३ । अमरीकाके रक्षा मंत्रालयमें साइबर कमानके प्रमुख, अमरीकी सेना लग कंप्यूटर हमलास बचावयके लेल पर्याप्त संसाधन उपलब्ध नहि रहल जानकारी करौलक अछि ।
जनरल कीथ एलेक्जेंडर संसदके एक समितिके सामने कहलनि जे स्थितिमें सुधार भरहल अछि मुदा सैन्य आ नागरिक व्यवस्थामें घुसपैठ प हमलास मुश्किल खड़ा भ सकैत अछि ।
अधिकारीके कहब अछि जे सरकार आ निजी कंप्यूटर प नित दिन लाखों बेर हमला होइत अछि आ चरमपंथी तथा साइबर अपराधी एकर प्रयोग करय लागल अछि ।
अमरीकी संसद गृह मंत्रालयके नयाँ साइबर सुरक्षा प्रणालीके बजेटके ल आपत्ति जतौने छल । साइबर हमला प्रशासन आ सरकारके लेल बड़का चिंताके विषय बनैत जा रहल अछि ।

संवैधानिक अदालत गठनप्रति कांग्रेस असन्तुष्ट


काठमाडौ, चैत्र ३ । कांग्रेस संवैधानिक अदालत गठनप्रति असन्तुष्टि जनौलक अछि ।
राजधानीमे आइ आयोजीत पूर्व प्रधानमन्त्री स्वर्गीय कृष्णप्रसाद भट्टराईके शालिक शिलन्यासक बाद कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला संवैधानिक अदालतके गठनस न्यायायीक स्वतन्त्रतामे खलल पहुँचत उल्लेख कएलनि । कोनो दल विशेषके इच्छा पूरा करय स्वतन्त्र न्यायालयमे अंकुश लगाबयके नियतस लाओलगेल संवैधानिक अदालतके गठन प्रस्ताव अपनासबके मान्य नै हाएत कोइरालाक कहब छलनि ।
अहिना, कांग्रेस नेता शेरबहादुर देउवा संवैधानिक अदालत आ सर्वोच्चके निर्णय एक हाएत त जनता सर्वसुलभ न्याय पाबय नै सकत बतौलनि । जनता न्याय नै पाओत त लोकतन्त्र मजबुत होबय नै सकत कहैत ओ लोकतन्त्र कमजोर बनाबयके नियतस संवैधानिक अदालतके गठनके प्रस्ताव आएल देउवा जिकिर कएलनि ।
संविधानसभा संवैधानिक समिति अन्तर्गतके उपसमिति बितल शुक्रदिन प्रधानन्यायाधिसके अध्यक्षतामे अलगे संवैधानिक अदालत बनाबयके सहमति केने छल । न्यायायीक पुनरावलोकन संवैधानिक विवाद राजनैतिक अधिकार , मौलिक हक जेहन विषयमे अन्तिम सुनुवाईके लेल एहन अदालत गठन करयके सहमति उपसमितिमे भेल छल ।

खेल समाचार

चैत ३ - I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत एखन भ रहल ईगँलैण्ड आ वेस्ट ईन्डिज बिचक खेलमे ईगँलैण्ड टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत समाचार तयार करयधरि ,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत ,,,,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे ,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।

प्रधानमंत्री मनमोहन सिंहके राजीनामा देबय परत : भाजपा


भारत, चैत ३ । भाजपा भारतीय प्रधानमंत्री मनमोहन सिंहक राजीनामाके माँग केलक अछि । संसदमें विकीलीक्सके दस्तावेज़के ल भारी हंगामा भेल छल जाहिके कारण संसदके दुनु सदनके कार्यवाही स्थगित भेल अछि ।
लोक सभामें ई मामलाके उठबैत विपक्षी नेता सुषमा स्वराज कहलनि जे विकीलीक्सके दस्तावेज़स इ बात साफ़ भ गेल अछि जे कि वर्ष 2008 में मनमोहन सरकारके विश्वास प्रस्तावके समय खसयस बचाबयके लेल पैसाके लेनदेन भेल छल ।
सुषमा स्वराज कहलिह जे सरकार शासन करयके नैतिक अधिकार गुमा चुकल अछि ।
प्रधानमंत्री मनमोहन सिंहके क्षणिको भरि अपन पद प रहयके अधिकार नहि अछि कहैत सुषमा कहलिह जे प्रधानमंत्री सिंहके हुनका राजीनामा द देबाक चाही ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन