Tuesday, December 20, 2011

फोटो सँसार








जन शिकायतके तत्काल कार्यान्वयन करय प्रधानमन्त्रीक निर्देशन


काठमाडौ, पुस ५ । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई जनतासँग प्रत्यक्ष सरोकार राखयबला विभिन्न सरकारी संस्थानके महाप्रबन्धक तथा मन्त्रालयके सचिवसबके जनशिकायत तत्काल सम्बोधन करय निर्देशन देलनि अछि।

विभिन्न २२ टा विभागके प्रमुख तथा सम्बन्धित मन्त्रालयके सचिवसबके प्रधानमन्त्री जनशिकायत कार्यान्वयनके लेल निर्देशन देलनि अछि ।  सरकार सुरु केने हेलो सरकारमे आएल शिकायतसबके समिक्षा तथा कार्यप्रगतिके विषयमे प्रधानमन्त्री विभागीय प्रमुखसबसंग बिमर्श केने छलथि ।

बिमर्शमे भट्टराई वर्तमान सरकारप्रति नेपाली जनताके पैघ अपेक्षा रहलासँ वायह अनुरुप काम करय निर्देशन देलनि । ओ हेलो सरकारएकटा सुरुवात मात्रै भेल कहैत अहिके सब कियोके गम्भीर ढंगसँ लेवय परत बतौलनि । ओ हेलो सरकारकक्षमे आवयबला हरेक शिकायतके तत्काल सम्बोधन करयके निर्देशन दैत जनताके सेवाके अपन कर्तव्य आ धर्म सम्झय आग्रह केलनि ।

हेलो सरकारमे आएल शिकायतसबहक सम्बोधन जाहि ढंगसँ होवयके चाही ओ ओहि  तरिकासँ होवय नहि सकि रहल उपराग आएल कहैत प्रधानमन्त्री जनताके शिकायतसबके सम्बोधन करय तत्कालिन आ दीर्घकालिन योजना बनावय सचिव तथा महाप्रबन्धकसबके निर्देशन देलनि ।

सरकार थर्मल प्लान्टक तयारीमे खर्च करिब २० अरबके


५ पुस, काठमाण्डौ । आइसँ शुरु भेल दैनिक १० घण्टे लोडसेडिङसँगै सरकार ओइके कम करब कहैत महंग थर्मल प्लान्ट जडान करयके प्रकृया सुरु करय लागल अि । उर्जा संकट समाधानक लेल कहैत उर्जा मन्त्रालय थर्मल प्लान्ट जडानक प्रस्ताव प्रधानमन्त्रीसमक्ष पेश कएलाबाद प्रधानमन्त्री आबश्यक प्रकृया आगु बढाबय निर्देशन देलनि अछि

भारतसँ किन कऽ लाओलगेल डिजेलसँ उत्पादन होवयबला एहन बिजुलीक मूल्य प्रतियुनिट २२ रुपैयाँ परत बिज्ञसबहक अनुमान ि । लोडसेडिङक विकल्प उर्जा संकट समाधानक लेल कहैत उर्जा मन्त्रालय २ सय मेगावाटक थर्मल प्लान्ट बनावयके तयारी केने अि । स्थापना संचालन कऽ बर्षम करिव २० अर्ब रुपैयाँ खर्च होवयबला इ प्लान्ट रखलासँ लोडसेडिङ दैनिक ६ घण्टाम सीमित कएल जाऽ सकैय मन्त्रालयक तर्क ि

प्लान्ट स्थापनाक लेल विस्तृत कार्ययोजना बना कऽ तत्काल निजी क्षेत्रके आहृवान करय प्रधानमन्त्री कहलनि अछि

फोटो सँसार


आब सरकारक नेतृत्व करयके पालो कांग्रेसकेः गजुरेल


५ पुस, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल आब सरकारक नेतृत्व करयके पालो कांग्रेसके आएल बतौलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकार सहमतिके सरकार बनय नहि सकत कहैत ओ माओवादी आ एमाले दु-दु बेर सरकारक नेतृत्व कऽ चुकल अवस्थामे दोसर पैघ दल कांग्रेसके नेतृत्व भेटयके  स्वभाविक रहल  धारणा रखलनि । आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे गजुरेल सहमतिके सरकार निर्माण भऽ शान्ति आ संविधान जारी होवय नहि सकत कहैत ओ माओवादीके नेतृत्वमे सहमतिके सरकार बनयके अवस्थामे अपनासबहक विचार समूहके दिससँ महासचिव रामबहादुर थापा बादलके प्रधानमन्त्रीक लेल प्रस्ताव कएल जाएत बतौलनि ।

पार्टी अध्यक्ष प्रचण्ड आ उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई प्रधानमन्त्री भऽ चुकलासँ आ बरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य इच्छा नहि रखलासँ महासचिव बादलके दावी जायज रहल हुनक कहब छलनि ।

सिट खाली नहि भऽ के बैसत से बिषयमे बात होवय नहि सकत कहैत गजुरेल प्रधानमन्त्रीके राजिनामा देवय परत संकेत कएलनि । बैद्य पक्षमे रहल सचिव गजुरेल सरकार निर्माणके आधार ४ बुँदे सहमतिप्रति  असहमति भेलासँ बर्तमान सरकारमे अपन समूह सहभागी नहि हाएत  स्पष्ट कएलनि ।

वर्तमान सरकार इतिहासेके भ्रष्टः यादव


वीरगन्ज, पुस ५ । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव वर्तमान सरकार इतिहासेमे सबसँ बेसी भ्रष्ट भेल आरोप लगौलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लब पर्साद्वारा आइ आयोजित कार्यक्रममे ओ लडाकुके पैसा खेनाइ, रकम निकासा करयके समयमे मन्त्रीके पैसा मँगनाइ, भ्रष्टसब मन्त्रिमण्डलमे हावी होनाइ आ पैघ मन्त्रिमण्डल बनौनाइ जेहन कारणसँ डा. बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक वर्तमान सरकार राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रिय क्षेत्रमे बदनाम भऽ चुकल दाबी कएलनि ।

अध्यक्ष यादव शान्ति प्रक्रियाके पुरा करयके, सङ्घीय लोकतान्त्रिक संविधान निर्माण करयके तथा आदिवासी, मधेसी जनजाति सहितक विभेदमे परल समुदायके राज्यके मूलधारमे आनि कऽ ओकरासबके समानता प्रदान करय जेहन चुनौतीसब अपनासब लग रहल उल्लेख करैत इ चुनौतीसब पूरा करय वर्तमान सरकारसँ सम्भव नहि भेलासँ राष्ट्रिय सरकार गठन करय परत बतौलनि ।

वर्तमान सरकार शान्ति प्रक्रियाके नाममे माओवादी छापामारके सेनामे नोकरी लगावयसँ बेसी  आरो काज केने नहि देखयमे आएल कहैत ओ राष्ट्रिय सुरक्षा नीति निर्माण कऽ क नेपाली सेनाके समावेशी राष्ट्रिय सेनाके स्वरुप प्रदान करय परत बतौलनि ।


सुनसरी मोरङ औद्योगिक क्षेत्रके उद्योग कलकारखाना बन्द


विराटनगर, पुस ५ । डिजेलमे मोल बढल विरोधमे संघर्षमे उतरल सुनसरी मोरङ औद्योगिक क्षेत्रके उद्योगी व्यवसायीसब आइ उद्योग कलकारखाना बन्द केलक अछि ।

मोरङ व्यापार संघ आ उद्योग संगठन मोरङके आव्हानमे करीडोर क्षेत्रके उद्योग बन्द भेल अछि । सरकार डिजेलमे दोहोरा मुल्य कायम केने कहैत उद्योगीसब सडक आन्दोलनमे उतरल अछि । आइ करीडोरके ८० प्रतिशतसँ बेसी उद्योग कलकारखाना बन्द भेल अछि । एक दिन उद्योग बन्द भेलासँ १५ करोडसँ बेसीके नोक्सानी होइत अछि ।

काल्हि सेहो नेपाली कांग्रेस आव्हान केने नेपाल बन्दक कारण उद्योग बन्द भेल छल । औद्योगीक क्षेत्रके करीव ५ सय उद्योग बन्द भेल अछि । अहिसँ आगु बढल मुल्यमे डिजेल खरीद नहि करयके निर्णय केने उद्योगीसब रबिदिन  विराटनगर स्थित नेपाल आयल निगमके क्षेत्रीय कार्याल आ काल्हि जिल्ला प्रशासन कार्यालय मोरङके मुल गेट आगु २ घण्टा धर्ना देने छल । उद्योगसब बढल मुल्यमे डिजेल किनय नहि सकलाबाद ओहिठामक अधिकांस उद्योगसब लोडसेडीङके समयमे बन्द होबय लागल अछि ।

श्रीलेखाके एहन रुप

मुग्धा गोडसे



सिरियामे कम सँ कम ७० गोटेके मृत्यु


५ पुष सिरिया । सीरियामे सुरक्षाकर्मी सेनासँ अलग भऽ विपक्ष में सहभागी भेल एक समुह पर  गोली चलौलक अछि जाहिमे  कम सँ  कम ७० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

ओसब राष्ट्रपति बशर अल-असदके बिरुद्धमे विद्रोहमें सहभागी होवयके कोशिश कएलाबाद गोली चलौने बताओलगेल अछि ।

लंदन स्थित सीरियाके मानवाधिकार पर नज़र राखयबला संस्था प्रत्यक्षदर्शिके उद्धैत करैत कहलक जे सीरियाके उत्तर पश्चिमी इदलिब प्रांतमें सेनाके विद्रोही समुहके कम सँ कम ७० गोटेके गोली मारि देलक अछि । मानवाधिकार कार्यकर्ताके कहब अछि जे करिब ५० गोटे अन्य विरोध प्रदर्शनके समय मारल गेल अछि ।

पूर्व मिस वेनेज़ुएला इवा इकवॉलके मृत्यु


५ पुष एजेन्सी । स्तन कैंसर सँ पीड़ित पूर्व मिस वेनेज़ुएला इवा इकवॉलके मृत्यु भेल अछि ।

२८ बर्षक इकवॉलके अमरीकामें ह्यूस्टनके एक अस्पतालमें शनिदिन मृत्यु भेल हुनक परिवारजन जनौलक अछि ।

वर्ष २००० में इवा इकवॉलके मिस वेनेज़ुएला चुनल गेल छल । वायह वर्ष ओ मिस यूनिवर्स प्रतियोगितामें फ़ाइनलधरि पहुँचील छलथि । इवा  मॉडल, अभिनेत्री आ टीवी एंकरके रूपमें सेहो काम केने छलिह ।

बाढि आ तुफानसँ मरयबलाके सँख्या एक हजारसँ उपर


५ पुष फ़िलिपींस । फ़िलिपींसमें एकाएक आएल भीषण बाढ़ि आ तूफान सँ मृत्यु भेलसबहक सँख्या  एक हजारसँ बेसी भेल सरकारी तथ्याँक देखौलक अछि ।

सहायता एजेंसी मिंडनाओ टापु पर आस्रय लेने करिब सवा लाख बाढ़ि पीडितके लेल पानि, खाना आ दवाइके ब्यब्स्था करयके कोशिश कऽ रहल अछि । राहत आ बचाव कार्य अखनो जारी अछि मुदा सड़के टूटि गेलासँ बाढ़ि प्रभावित भीतरी गांवधरि पहुँचयमे दिक्कत भऽ रहल अछि । गली सबमे थाले थाल अछि तऽ घर टुटि कऽ तहस नहस भऽ गेल अछि ।

सरकार आपदा विभागके कहब अछि जे समुद्र सँ मृतकसबके शव भेट रहल अछि आ अहिके सँग सैकडो  लापता सेहो अछि । आपदा प्रबंधनके प्रमुख बेनितो रोमोस कहलनि जे हमसब लापता लोगके गिनती केनाइ  छोड़ि देने छी ।

इलिगन शहरके अधिकारीके कहब अछि जे जाहि शव सबके पहिचान होवय नहि सकल अछि ओ सबसबके  सामूहिक अंतिम संस्कार कएलगेल अछि । बाढिमे परि कतेकौ के पुरा परिवारके मृत्यु भऽ गेलासँ ओ शव सब सड़य लगलासँ अन्तिम सँस्कार करय परल अछि ।

राष्ट्रीय आपदा काउंसिलके अनुसार करीब ४० हज़ार लोग रविदिन मात्रे बचाव केंद्रमें शरण लेने अछि ।

अजिब छै यौ


हलो पर्धानमन्त्रीज्यू ! हुनकर ट्याक्सी, हुनकर बाइक, हमर तीन टा टायर... सबके शहीद घोषणा कऽ देवय परलै । नै तऽ......

जनयुद्धके बदला सशस्त्र संघर्ष राखय दलसब सहमत


काठमाडौ, पुस ५ । नयाँ संविधानक प्रस्तावना आ संविधान संशोधनके व्यवस्थाके विषयमे रहल विवादमे दलसब सहमति नजदिक पहुँचल अछि । विवाद समाधान उपसमितिके आजुक बैसल बैसारसँ विवादित तीन टा विषयमे बिमर्श कऽ क सहमति जुटौलक अछि ।

संविधानके प्रस्तावना आ संविधान संशोधनके प्रावधानके विषयमे दलसबबीच सहमति भऽ गेला बादो ओकर औपचारिक घोषणा बाँकी अछि ।  माओवादी जनयुद्ध सहितक सब आन्दोलनके नाम आ व्याख्या संविधानके प्रस्तावनामे उल्लेख करयके या संविधानक व्याख्यात्मक टिप्पणीमे सम्बन्धमे दलसबबीच मतभेद छल ।

बिमर्शके बाद माओवादी जनयुद्ध सहितक सब आन्दोलनके नाम मात्र प्रस्तावनामे उल्लेख करयके आ आन्दोलनके विवरण व्याख्यात्मक टिप्पणीमे राखयके सहमति जुटल एमाले नेता सुरेन्द्र पाण्डे बतौलनि ।

दलसब भावी संविधानके प्रस्थावनामे जनयुद्धके बदला सशस्त्र संघर्ष राखय दलसब सहमत भेल अछि ।

अहिना संविधान संशोधनके प्रावधान संविधानमे राखयके  कि नहि राखयके विषयमे दलसबबीच मतभेद रहलासँ संशोधनके प्रस्ताव राखयके विषयमे सहमति भेल अछि ।

उपसमिति संयोजक तथा माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल संविधानके संशोधनीय बनावयबे विषयमा बिमर्श भेल बतौलनि । परसु भिन्सर ७ बजे उपसमितिक बैसार बजाओलगेल अछि । दाहाल पुस १५ गते भितर विवादित सब विषयमे सहमति जुटयके विश्वास व्यक्त कएने छथि । आब ११ टा विवादित विषयमे बिमर्श होवय बाँकी रहल अछि ।


facebook Page Like

  • मनोरँजन