Friday, December 09, 2011

पाक राष्ट्रपति ज़रदारी के ब्रेन हैमरेज, चेहरा पर लकवा


२३ अगहन पाकिस्तान । पाकिस्तानी राष्ट्रपति आसिफ अली जरदारीके हल्का ब्रेन हैमरेजके कारण मस्तिष्कमें रक्तस्राव भेलनि आ चेहरा पर लकवा भऽ गेल छन्हि ।

आइ जारी एक चिकित्सा रिपोर्टमें इ जानकारी देलगेल अछि । श्रोतक अनुसार राष्ट्रपतिके हालत अखन ठिक अछि आ ओ खतरासँ बाहर छथि । जरदारीके चिकित्सकके अनुसार जरदारीके अखन आओर इलाजक आबश्यक्ता अछि ।जरदारीके आगुके इलाजक लेल विमानसँ लंदन पठाओल जाएत ।

श्रोतक अनुसार जरदारी मंगलदिन मस्तिष्क घातके कारण राष्ट्रपति भवनमें खसल रहथि ।

रिपोर्टके अनुसार जरदारी उच्च रक्तचाप के रोगी छथि आ ओ खूनके पातर करयबला दवाइ लऽ रहल छथि ।

एकटा डान्स एहनो


सेमिफाइनलमे नेपाल पराजित


काठमाडौ, अगहन २३ ।  नेपालके हरबैत एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटके सेमिफाइनलमे अफगानिस्तान जितय सफल भेल अछि । नेपाल ९ विकेटसँ हारल अछि ।

खराव मौसमके कारण खेल १६ ओभरके मात्र कएल गेल छल । टस जित कऽ पहिने ब्याटिंङ केने नेपाल ९ विकेटक क्षतिमे ६८ रनमात्र बनौने छल । जवाफमे अफगानिस्तान ९ ओभर २ बलमे ७० रन बनौने छल । ओहिके लेल करिम सादिक तथा सविर नुरी एक विकेट लेलनि  । नेपालक लेल एकमात्र विकेट बसन्त रेग्मी लेलनि ।

अहिसँ आगु नेपालक लेल कप्तान पारस खड्का ३० रनक योगदान देने छलथि । अफगानिस्तान अहिसँ आगु लगातार दु बेर उपाधि जित चुकल अछि । प्रतियोगितामे हार भेलाबाद बहरएला बादो नेपाल सन् २०१२ के मार्चमे हवबयबला विश्वकप छनोटके लेल चुना गेल अछि ।

ट्वान्टी ट्वान्टी क्रिकेटमे अफगानिस्तानसँग नेपालक इ दोसर हार अछि । अहिसँ आगु सन् २००७ मे भेल पहिल संस्करणमे सेहो नेपाल पराजित भेल छल ।

यूएइमे सन् २०१२ के मार्च १३ सँ २४ धरि हवबयबला प्रतियोगितामे १६ टिम प्रतिस्पर्धा करत । अफगानिस्तान, क्यानाडा, आयरल्यान्ड, केन्या, नेदरल्यान्ड्स, स्कटल्यान्ड सहित एसियाके ३, यूरोप, अफ्रिकी आ अमेरिकी क्षेत्रसँ २ - २ तथा पूर्व एसियाके एक टिमके सहभागिता रहत । छनोटके फाइनलमे पहुँचय सफल २ टिम सन् २०१२ के सेप्टेम्बरमे श्रीलंकामे होबयबला  ट्वान्टी-ट्वान्टी विश्वकपमे सहभागिता जनाओत । विश्वकपमे १० टा टिम खेलत ।

भारत उत्पादनमे लगबैत आएल अतिरिक्त शुल्क हटौलक


काठमाडौ, अगहन २३ । भारत नेपाली उत्पादनमे लगैत आएल अतिरिक्त शुल्क हटौलक अछि । बितल मंगलदिन नयाँदिल्लीमे सम्पन्न वाणिज्य सचिव स्तरीय अन्तर सरकारी बैसारसँ ओ निर्णय केने भारतीय दूतावास जनौलक अछि ।

 'भारत १ सय ६२ टा सामानमे मात्र नहि भऽ सब नेपाली सामानमे  लगैत आएल अतिरिक्त शुल्क हटौलक अछि,' दूतावासद्वारा जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि । बैसार होइते वार्तामे सहभागी वाणिज्य सचिव पुरुषोत्तम ओझा १ सय ६२ उत्पादनमे लगैत आएल अतिरिक्त शुल्क हटौने प्रतिक्रिया देने छलथि ।

 करिब दु सप्ताह आगु दोहरा कर नहि लागयके सम्झौतामे हस्ताक्षर करय नेपाल आएल भारतीय अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी एहन सब टा अतिरिक्त शुल्क हटाबयके प्रतिबद्धता जनौने छलथि ।  दु देश बीचक वाणिज्य सन्धि अनुसार कोनो सामानमे कोनो प्रकारक शुल्क नहि लागयके व्यवस्था अछि ।


सरकार परिवर्तन नहि हाएतः ठाकुर


इनरुवा, अगहन २३ । तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर वर्तमान सरकारके अखनो ६ महिना धरि परिवर्तन हवबयबे कोनो  सम्भावना नहि रहल बतौलनि अछि ।

ओ सहमतिके सरकार बनाबयके सहमति होइतो सरकारे परिवर्तन करयके सहमति ककरोसंग नहि भेलासँ वर्तमान सरकार आबके ६ महिनाधरि परिवर्तन होबयके सम्भावना नहि रहल दावी कएलनि । सुनसरी सदरमुकाम इनरुवामे बात करैत ठाकुर याह सरकारमे अन्य दलके समाबेश कऽ क सहमतिके सरकार वनाओल जाएत बतौलनि ।

सरकार गठनक समय एकीकृत माओवादी आ संयुक्त मधेशी मोर्चाबीच भेल ४ बुंदे सम्झौता अनुरुप मधेशी समुदायके सेनामे सामुहिक भर्ना करावयके कार्य १५ दिन भितरे सुरु होबय लागल ठाकुर जानकारी देलनि । ओ रक्षा मन्त्रालय १५ दिन भितरे मधेशी समुदायके सामुहिक भर्ना प्रक्रिया सुरु करय लागल जानकारी रक्षामन्त्री देने ओ जनौलनि ।

कोलकाताके AMRI अस्पतालमें अगिलगि , ४० गोटेके मृत्यु


कलकता अगहन २३ । कोलकाताके AMRI अस्पतालमें आइ भिन्सर भेल अगिलगिमे परि करिब ४० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ओ आगिमे अखनो बहुतो गोटे फँसल होबय सकबाक अनुमान कएल जाऽ रहल अछि ।

कोलकाताके धकुरिया क्षेत्र स्थित AMRI अस्पतालमें आइ भिन्सर करिब साढे ३ बजे आगि लागल छल । मुदा आगि कोना लागल से कारण खुजय नहि सकल अछि ।

सक्कत रास्ता भेलाक कारण बचाव कार्यमें दिक्कत भऽ रहल अछि तऽ मृतकके सँख्या आओर बढय सकयके अनुमान कएल गेल अछि ।

आगि नियन्त्रणके लेल २५ टा बारुण यन्त्रक गाडी जुटल अछि मुदा आगि अखनो नियन्त्रणसँ बाहर अछि ।

'सभ्यता आ सदभाव नहि बिगडय जकाँ राज्य पुनर्संरचना होबय परत'


पोखरा, अगहन २३ । राष्ट्रपति रामवरण यादव नेपाली सभ्यता आ सदभाव नहि बिगडय जका राज्यपुनर्संरचना करय परत बतौलनि अछि ।

सब पक्षके जातियता, क्षेत्रियता आ बर्गियतासँ उपर उठि कऽ आगु बढय परत कहैत राष्ट्रपति यादव राज्यके संरचना राष्ट्रिय एकता कायम राखयके हिसावसँ करयमे जोड देलनि । 'भुगोल भाषा, संस्कृति, स्रोत तथा आर्थिक संभावनाके ध्यानमे रखैत संघियतामे जाए परत', काजीपोखरीस्थित कालिका बहुमुखी क्याम्पस उदघाटन करबाक क्रममे ओ आइ इ बात बतौलनि अछि ।

नेपाल दु पैघ देश बिचमे पुरान सभ्यता, हिमाल, पहाड आ तराई तथा सभ्य आ सम्य हिसावसँ मिल कऽ बनल समाज रहल यादव बतौलनि ।

६० बर्षक ईतिहासमे बेर बेर राजनैतिक परिवर्तन होइतो राजनैतिक स्थिरता होबय नहि सकलासँ देश बिकास करय नहि सकल हुनक कहब छलनि ।

देउवाके चुनौति- 'सकैत छी तऽ निर्णय बदैल कऽ देखाउ'


गुल्मी, अगहन २३ । नेपाली कांग्रेसक बरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा सहमतीय सरकारक प्रधानमन्त्रीक लेल कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बहुमतसँ अपन पक्षमे निर्णय भऽ चुकल बतबैत ओइके बदैल कऽ देखाबय पार्टी सभापतिके चुनौति देलनि अछि ।

नेपाल प्रेस युनियन गुल्मी आइ तम्घासमे आयोजना केने पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे बजैत नेता देउवा पार्टी सभापति सुशील कोइरालाक पक्षमे अखन बहुमत सदस्य होइतो ओइके उल्टाबय नहि सकब कहैत अपने प्रधानमन्त्री बनयके दावी सेहो कएलनि । नेता देउवा कहलनि 'सकैत छथि तऽ पार्टी सभापति निर्णय उल्टा कऽ देखौबथ ।'

देउवा अपने पहलमे पार्टी एकीकरण भेल बतबैत ओहिके आरो एकजुट बनाबय दौडधुप कऽ रहल बतौलनि । मुदा सभापति सहमति नहि कऽ चलय चाहताह तऽ अपने हात पैर पकरि कऽ रोकय नहि सकब बतबैत ओ सभापतिके व्यवहार देख कऽ मात्रे अपने आगु बढब बतौलनि । नेता देउवा अल्टिमेटममे कोनो विश्वास नहि करब कहैत अगहन मसान्त भितर भातृ संगठनके नाम मँगने बिषयमे कोनो जानकारी नहि रहल बतौलनि ।

एकटा दोसर प्रसंगमे नेता देउवा माओवादीक लडाकु रहयबला शिवर खाली, हतियार फिर्ता आ घर जमिन फिर्ता नहि होबयधरि शान्ति प्रकृया पुरा नहि हाएत कहैत ओहिके सम्पुर्ण जिम्मेवारी माओवादीमे रहल बतौलनि । नेपाली कांग्रेस गुल्मीके ३ नं. क्षेत्रीय सम्मेलन उद्घाटनके लेल नेता देउवा सहित केन्द्रीय सदस्यसब बालकृष्ण खाँड, चन्द्र भण्डारी, गगन थापा, प्रदिप गिरी सहितक नेता गुल्मी पहुँचल छथि ।

उह ला ला गर्ल - बिद्या वालन

बिद्या वालन

facebook Page Like

  • मनोरँजन