Thursday, September 15, 2011

व्यवस्थापनमे सुधार लाबय वीर अस्पतालके निर्देशन


२९ भादव, काठमाडौं । स्वास्थ्यमन्त्री राजेन्द्र महतो तत्काल वीर अस्पतालके व्यवस्थापनमे सुधार लाबय निर्देशन देलनि अछि ।

आइ अस्पतालके निरीक्षण करैत मन्त्री महतोसेवाग्राहीके चाहना अनुरुप अपन सेवाके चुस्त बनाबय आवश्यक रहल बतौलनि ।

अस्पतालमे आबयबला रोगीसब अस्पतालक चिकित्सकसँ ढिलासुस्ती कएल गेल कहि उपराग अएलासँ ओइके तत्काल सच्याबय ओ आग्रह कएलनि । आकस्मिक निरीक्षण करयके कहि सञ्चारकर्मीके मन्त्रालयसँ जानकारी दैतो वीर अस्पतालक प्रमुख सहितक कार्यरत चिकित्सकके स्वास्थ्यमन्त्री आबयके कहि कऽ पहिनेही जानकारी कराओल गेल बताओल गेल अछि ।

मन्त्री महतो अस्पतालक सब विभागसबके निरीक्षण करैत भर्ना भेल रोगीसब सँग सेवाके बारेमे जानकारी लने छलथि । रोगीसब चिकित्सक सेवामे अबेरसुस्ती भेल, पानिके अभाव भेल, फोहर भेल जेहन शिकायत केने छल ।

अस्पतालक निर्देशक डा बुलन्द थापा अस्पतालक बारेमे सङ्क्षिप्त जानकारी करौने छलथि । निरीक्षणमे मन्त्रालयक सचिवद्वय डा सुधा शर्मा आ डा प्रविण मिश्र सेहो सहभागी छलथि।

'हम शान्ति आ संविधान विरोधी नहि छीः वैद्य


काठमाडौं, भादव  २९ । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य अपने शान्ति आ संविधान विरोधी नहि रहल बतौलनि अछि ।

देशभक्त गणतान्त्रिक एकता अभियानद्वारा आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रममे उपाध्यक्ष वैद्य शान्तिके नाममे मुर्दा शान्ति स्वीकार्य नहि हाएत  दाबी कएलनि । 'हम शान्ति आ शान्ति विरोधी नहि छी कियो किछ कहत तयियो मरल शान्तिके पक्षमे हम कहियो ठार नहि हाएब ओ कहलनि ।

पार्टीभितर अन्तरसंघर्ष जारी रहल बतबैत नेता वैद्य ओ फुटके लेल नहि भऽ नयाँ आधारमे नयाँ एकताके लेल भेल दाबी कएलनि । वहस निरन्तर जारी रहत कहैत ओ जनआन्दोलन, जनयुद्धके घाइल आ वेपत्तासबहक चिन्ताके लेल पार्टीभितर अन्तर संघर्ष चलल बतौलनि ।

प्रधानमन्त्रीक विचार आ काम कराइप्रति छक्क परल छी : गजुरेल


सुनसरी, भादव २९ ।  कन्टेनरके चाबी बुझाबयके निर्णयके बाद फरक मत रखैत आएल माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य समूहक नेता सीपी गजुरेल बाबुराम  भट्टराईके प्रधानमन्त्री भेलाबाद विचार परिवर्तन होइत गेल  आरोप लगौलनि अछि ।

'धोवीघाट सहितक बैसारसबमे जेना अपनासब बीच सहमति आ सहकार्य करयके बात भेल छल ताहिके ठीक विपरीत प्रधानमन्त्रीके रवैया देखल गेल गजुरेल बतौलनि ।

बैद्य समूहद्धारा पूर्वके विभिन्न जिल्लामे आयोजित सभासबके सम्बोधन करय पहुँचल गजुरेल सुनसरीके तरहरामे आइ सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत कहलनि जे,'भट्टराईके विचार आ काम करयके तरिका देख कऽ हमसब आश्चर्यमे परल छी हुनकर  विचारमे परिवर्तन भऽ रहल छन्हि ।
पार्टीक सचिवसमेत रहल गजुरेल अपने कार्यकर्तासँ कारी झण्डा देखाबयके, प्रदर्शन आ अवरोध करयके काज भेलमे दुःख व्यक्त कएलनि ।'

संस्थापन पक्ष गद्यारी करत तऽ माओवादीमे विभाजन आबय सकत ओ जानकारी देलनि ।

टिकट कालाबजारी रोकय प्रधानमन्त्रीद्वारा सचिवके निर्देशन


काठमाडौ, भादव २९ । दशैं लक्चियाइत जा रहल समय काठमाडौंसँ बाहरके जिल्लामे जाएबला यातायातके साधनके टिकटमे कालाबजारी भऽ रहल आ सर्वसाधारण जनता तोकल मूल्यमे टिकट नहि पौअने कहैत प्रधानमन्त्री  बाबुराम भट्टराई कालाबजारी तत्काले रोकि कऽ सर्वसाधारणके टिकट मिलाबयके वातावरण बनाबय श्रम तथा यातायात मन्त्रालयके सचिवके निर्देशन देलनि अछि ।

श्रम सचिव रामहरि अर्यालके अपन कार्यकक्षमे बजा कऽ आइ प्रधानमन्त्री नयाँ बसपार्क, पुरान बसपार्क, कलंकी सहितक काठमाडौंके सब बस स्टेशनसबमे भऽ रहल कालाबजारी आ ठगीके तत्काले रोकयके निर्देशन देलनि अछि । सरकारक दिससँ प्रभावकारी अनुगमन कऽ कालाबजारी करयके आ टिकट समाप्त भेल बहाना बनाबयबलाके तुरुन्त कारबाही करय प्रधानमन्त्री निर्देशन देलनि अछि ।

बिद्यार्थीसबके पुरस्कार बितरण


जनकपुर, भादव २९ । राष्ट्रिय बाल दिवसक अबसरमे आइ श्री याज्ञवल्क्य सँस्कृत माध्यमिक बिद्यालय जनकपुर बिभिन्न का्र्यक्रमक आयोजना कऽ बिद्यार्थीसबके पुरस्कार बितरण केलक अछि ।

जाहिमे नेपाली किताब वाचन का्र्यक्रमक बिजेतामे कक्षा १ के अन्जली कुमारी भण्डारी प्रथम आ बिना कुमारी साह दोसर भेलीह अछि । अहिना कक्षा २ स पहिल अक्षय कुमार आ दोसर रोहित कुमार राउत कक्षा ३ सँ बिभा कुमारी पहिल आ मुरारी कुमार झा दोसर बिजेता भेल अछि ।
तहिना अँग्रेजी किताव वाचनमे कक्षा ४ आ ५ सँ पहिल बालकेश्वर प्रसाद साह आ दोसर राधा कुमारी झा बिजेता भेल अछि ।
अहिना सुत्र वाचनमे शम्भु ढुँगाना आ जिवन सुबेदी बिजेता भेल अछि । तहिना कबिता वाचन चित्रकला क्रिकेट प्रतियोगिता सहितक कार्यक्रमसब काएल गेल अछि ।
बिजेतासबके बरिष्ठ शिक्षक मोहन प्रसाद सिँह पुरस्कार बितरण केने छलथि ।

मन्त्रिपरिषद् आइ विस्तार भऽ रहल


काठमाडौ, भादव २९ ।  प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आइ मन्त्रिपिरषद् विस्तार कऽ रहल छथि । माओवादी, मधेशी मोर्चा आ अन्य दल सँ समेट कऽ मन्त्रिपरिषद् विस्तार होबय लागल अछि ।

प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार रामरिझन यादवक अनुसार बेरियाक ५ बजे सपथके समय तोकल गेल अछि । माआवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षधर सरकारमे सहभागी नहि होबयबला भेलाबाद तत्कालके लेल हुनका  भागमे राखल मन्त्रालयसबमे सेहो सपथ कराबय लागल अछि ।

मोर्चाक घटक मे सँ मधेशी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक अपन तर्फ सँ मन्त्रीमे पठाबयबलाके नाम प्रधानमन्त्रीके बुझौने अछि । लोकतान्त्रिकके नेता रामजनम चौधरीक अनुसार शरदसिंह भण्डारी रक्षा आ हेमराज तातेडके वातावरण मन्त्रीके लेल नाम पठाओल गेल अछि । अहिना राज्यमन्त्रीसबमे गृहमे भिमराज राजवंशी, रक्षामे रामबच्चन यादव, वनमे लक्ष्मण मेहता आ वातावरणमे दुर्गादेवी महतोके नाम सिफारिस काएल गेल अछि ।

मोर्चाक अन्य घटक तमालोपा आ तमलोपा नेपाल मन्त्रीक नामावली प्रधानमन्त्रीके बुझादेने स्रोत जनौलक अछि । मुदा सपथ आगु हुनकासबहक नाम सार्वजनिक करय नहि चाहने अछि । 

अहिबीच,प्रधानमन्त्री भट्टराई आ माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल सरकारमे सहभागिताके विषयमे मधेशी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवसंग बिमर्श केलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई  यादव सँ भेट कऽ सरकारमे सहभागी होबय आग्रह कएने छलथि ।

मन्त्री उपस्थित नहि भेला सँ संसद स्थगित


काठमाडौ, भादव २९ । व्यवस्थापिका संसदके बैसारमे आइ कोनो मन्त्री उपस्थित नहि भेलाबाद स्थागित भेल अछि ।

बैसार शुरु होइते नेपाली काँग्रेसक प्रमुख सचेतक लक्ष्मणप्रसाद घिमिरे मन्त्रीसबहक अनुपस्थितिके कारण बैसारमे उठल प्रश्नक जवाफ के देत बिषयमे सभामुखके रुलिङक माँग केने छलथि ।

ओकरबाद सभामुख सुवास नेम्बाङ संसदमे विनियोजित बजेट उपर होबयबला बिमर्शमे उठल प्रश्नक जवाफके लेल मन्त्रीसबहक अनिवार्य उपस्थिति होबयके रहितो कोनो  मन्त्रीके उपस्थिति नहि होनाइ दुःखद रहल कहैत ओइदिस सरकारक ध्यान आकृष्ट केने छलथि ।

ओकरबाद सभामुख नेम्बाङ बैसार आधा घन्टाके लेल स्थगित भेल जानकारी देलनि ।

ठनका सँ युवतीके मृत्यु


रौतहट, भादव २९ । चन्द्रनिगाहपुर गाविस-४ गैंडाटार गाँममे आइ भिन्सर खसल ठनका सँ एक युवतीके मृत्यु भेल अछि । ठनका सँ घरमे क्षती पहुँचल अछि तऽ बरद समेत घाइल भेल अछि ।

गैंडाटार-४  के अठार बर्षक शर्मिला ढुङ्गानाके घरमे ठनका खसि कऽ मृत्यु भेल प्रहरी निरीक्षक गौतम मिश्र जानकारी देलनि अछि । घरमे भिन्सर खाना पकारहल समय ठनका खसलाक बाद एकाएक घट्नास्थलमे मृत्यु भेल अछि ।


मापदण्डअनुसार नहि भेलासँ कारबाही


जनकपुर, भादव २९ । विराटनगरके हात्तीमुढास्थित मनकामना भेजिटेवल एण्ड आयल उद्योगसँ उत्पादित खायबलातेल मापदण्डअनुसार नहि भेलासँ कारबाही काएल गेल अछि ।

जिल्ला अनुगमन समिति, मोरङ विराटनगरसँ खटल टोली अनुगमनके क्रममे उद्योग मापदण्डअनुसार तेल उत्पादन नहि केने पौअलाबाद कारबाहीके लेल जिल्ला प्रशासन कार्यालय, मोरङमे उपस्थित होबय लेल बजौलक अछि ।

उद्योगके तत्काल तेल बिक्री वितरण नहि करय अनुगमन समिति रोक समेत लगौलक अछि ।

अहिना बिक्रीक लेल तयार दूधके प्याकेटमे उत्पादन मिति आ मूल्य नहि पौअलाबाद जिल्ला अनुगमन समिति भक्तपुर वागेश्वरीके कालिका आ सैंजु डेरीमे सिल केलक अछि ।

अहिना स्वस्तिक बेभरेज प्रालिके नाममे सञ्चालित 'इभा' ब्रान्डके पानि घरके छतमे रहल टँकीसँ सीधे बोतल आ जारमे पाइप सँ भरिरहल अवस्थामे  भेटल छल मुदा ओ उद्योगके कारबाही नहि काएल गेल अछि । 

जीआर डि्रङस प्रालिके 'आक्वा फ्रेस' आ जय शम्भो बेभरेजके 'आक्वा ब्राइट' दुनु कम्पनी सेहो पूर्णरूपमे शुद्ध पानि बितरण नहि केने कहैत सुधार लाबय कहैत सचेत कराओल गेल अछि ।


तीन महिनामे ठोस प्रगति हाएतः प्रधानमन्त्री


२९ भादव, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आगामी तीन महिना भितरमे जारी शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे दलसबबीच ठोस प्रगति होबयके विश्वास व्यक्त कएलनि अछि ।

टेलिभिजन पत्रकारसबसँग आइ प्रधानमन्त्रीक सरकारी निवासमे भेल भेटमे भट्टराई अपन न्यूयोर्क भ्रमण आगुए माओवादी सेनाक लडाकुसबके समायोजन मोडालिटी, संख्या, दर्जा मिलान आ राहत प्याकेजके विषयमे सहमति करयके प्रयास भऽ रहल बतौलनि । शान्ति आ संविधान लेखनमे प्रगति नहि हाएत त अपने एको मिनेट  पदमे नहि बैसब प्रधानमन्त्री दोहरौलनि ।

राजनीतिक बाहेक आपराधिक प्रकृतिके मुद्धा सरकार फिर्ता नहि लेत हुनक कहब छलनि ।

टेलिकमद्वारा ६ सयमे स्काई फोन


काठमाडौ, भादव २९ । नेपाल टेलिकम दशमी शुकरातीके अवसरमे सिडिएमए स्काई फोन आब मात्र ६ सय रुपैयामे उपलब्ध हाएत जनौलक अछि ।

अहिसँ आगु १ हजार १ सय ३५ रुपैयाँमे भेटैत आबि रहल स्काइ फोन आब मात्र ६ सय रुपैयामे उपलब्ध हाएत । जाहिके ५ सयके बात कएल जा सकयके ब्यबस्था रहल  प्रवक्ता सुरेन्द्रप्रसाद थिक जानकारी देलनि ।

अहिना कम्पनी आधारभूत टेलिफोनसँ दोसर अञ्चलमे अपने नेटवर्क भितरके मोबाइलमे फोन केला पर लगैत आएल  प्रतिमिनेट २ रुपैयासँ घटा कऽ  १ रुपैयाँ कायम केलक अछि । 'इ व्यवस्थाक बाद पि एस टि एन आधाभूत फोन, सिडिएमए फोन आ भिस्याट सँ कम्पनीके नेटवर्कमे फोन केला पर देशभरि एकेटा महसुल कायम भेल  थिक बतौलनि ।

तहिना आधारभूत टेलिफोन सेवासँ दोसर अञ्चलमे रहल कम्पनीके पिएसटिएन, सिडिएमए, आधारभूत लाइन आ भिस्याट सेवामे फोन करैत काल लागयबला शुल्कसमेत घटाबय लागल अछि । 'रैबदिन सँ शुक्रदिनधरि भिन्सर ८ बजे सँ साँझ ६ बजेधरि प्रतिमिनेट १ रुपैयाँ ५० पैसा कायम करय लागल ,' थिक बतौलनि । अखन इ  सेवाके प्रतिमिनेट २ रुपैयाँ शुल्क लगैत आबि रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन