Thursday, April 07, 2011

सडके सँ हाएत त संविधानः गजुरेल


विराटनगर, चैत २४ । माओवादी सचिव सीपी गजुरेल जेठ १४ गते संविधान नहि बनत त सडकेसँ हाएत त संविधान बनाइए कऽ छोडब चेतावनी देलनि अछि ।
 २१ हम् जनआन्दोलन दिवसक अवसरमे पार्टी आइ विराटनगरमे आयोजना केने कार्यक्रमके सम्बोधन करैत सचिव गजुरेल नेपाली जनता संघर्ष करय तयार रहत त माओवादी सडकसँ संविधान घोषणा करय तयार रहल बतौलनि ।
 कांग्रेस आ किछ तराईके क्षेत्रीय दलसभ संविधान नहि बनाबयके खेलमे लागल कहैत गजुरेल संविधान नहि बनाबयके षड्यन्त्रके विफल करय माओवादी केहनो मूल्य चुकाबय तयार रहल टिप्पणी कएलनि ।
 संविधान निर्माण नहि करयके षडयन्त्र भरहल आ तराईमे हिंसा, आतंक फैला कऽ जनताके आतंकित करयके काज भरहलासँ जनताके शान्ति सुरक्षाके अनुभूति देबय सेहो अपनेसभ गृह मन्त्रालयके दाबी केने गजुरेलक कहब छलनि ।
 एमालेक किछ नेतासभ अपनाके गृह मन्त्रालय नहि देबयके षड्यन्त्र करितो अपनेसभ गृह मन्त्रालय लयिए कऽ छोडब गजुरेल दाबी केलनि । २०४६ चैत २४ गते जनआन्दोलनके सम्झनास्वरुप माओवादी प्रत्येक वर्ष चैत २४ गतेके जनआन्दोलन दिवस मनबैत आबि रहल अछि ।

अन्तराष्ट्रिय सम्बन्ध आ विदेश नीति परिवर्तन जरुरीः प्रधानमन्त्री


काठमाडौ, चैत २४ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल राजतन्त्रसँ गणतन्त्रमे प्रवेश कएने अबस्थामे अन्तराष्ट्रिय सम्बन्ध आ विदेश नीति परिवर्तन जरुरी रहल बतौलनि अछि ।
व्यवस्थापिका संसदके अन्तराष्ट्रिय सम्बन्ध आ मानव अधिकार समितिमे प्रधानमन्त्री खनाल पँचशीलके सिद्धान्तके आधारमे परराष्ट्र नीति संचालन करयके सरकारक नीतिके आधारमे अन्तराष्ट्रिय सम्बन्धके व्यापक बनाबयके सोच रहल बतौलनि अछि । भू राजनीतिक अवस्थितिके कारण सेहो नेपाल तटस्थता आ असंलग्न परराष्ट्र नीतिके निरन्तरता दऽ कऽ आगु बढय चाहने ओ बतौलनि ।  
प्रधानमन्त्री खनाल खुल्ला सीमानाके केना कऽ व्यवस्थापन काएल जा सकैय से सम्बन्धमे राष्ट्रिय नीति बनाबय जरुरी रहल सेहो बतौलनि । खुला सीमानाके व्यवस्थित करय भारत सरकारक सहयोगके अपेक्षा कएलगेल आ अहिमे भारत सेहो सकारात्मक रहल उल्लेख कएलनि ।  
परराष्ट्र मन्त्रालयके समेत जिम्मेवारी सम्हारने प्रधानमन्त्री खनाल मेसिन रिडेवल पासपोर्ट एमआरपी वितरणके सहज बनाबय सरकार प्रतिबद्ध रहल प्रधानमन्त्री बतौलनि ।

साहना प्रधान सम्मानित


काठमाण्डौ, चैत २४ । अन्तरपार्टी महिला संजाल एमाले नेतृ साहना प्रधानके सम्मान केलक अछि ।
 संजालक संस्थापक समेत रहल नेतृ प्रधानके संजालके स्थापनाके दिन आइ राजधानीमे एक कार्यक्रम क सम्मान कएलगेल अछि । हुनका संजालक वर्तमान संयोजक निलम केसी सम्मान कएने छलिह । लम्बा समयसँ कम्युनिष्ट राजनीतिके सँगहि महिला आन्दोलनके अगुवाई कएने प्रधान पछिला समयमे स्वास्थ्यके कारण किछ निस्क्रिय बनैत आएल छलिह । अन्तरपार्टी महिला संजालमे संविधानसभामे रहल करिब डेढ दर्जन महिला संगठनसभ सम्मिलित अछि ।

अजिब छै यौ !

मन्त्रीसभहक नाम आइ फाइनल भेल ! आब सेमी फाइनल हाएत... ओकरबाद क्वाटर फाइनल... !

गच्छदार प्रधानमन्त्रीके राजीनामा मँगलनि


काठमाडौं, चैत २४ । मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालक राजीनामा माँगलनि अछि ।
कार्यकर्ता प्रशिक्षणमे सहभागी होबय जाएके क्रममे सीमरा विमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसभसँग बातचित करैत गच्छदार वर्तमान सरकार संविधान जारी करयके फुर्ति नहि देखौने आ गतिरोधके नौता देलासँ राजीनामा दऽ गतिरोध अन्त्यक बाट खुला करय आग्रह कएलनि अछि ।
ओ किछ दल मिल कऽ अपूर्ण संविधान जारी करयके षडयन्त्रमे लागि परल धारणा रखलनि । देशमे लोकतान्त्रिक संविधान जारी नहि होबयधरि अपनासभके कोनो हालतमे मान्य नहि हाएत गच्छदारक कहब अछि । समयमै संविधान जारी करबाबय लोकतान्त्रिक शक्तिसभबीच गठबन्धनके तयारी भऽरहल ओ जानकारी देलनि ।

१५ दिनमे संविधान बनि जाएतः सभापति कोइराला


लहान सिरहा, चैत २४ । नेपाली कांग्रेसक सभापति शुशिल कोईराला ४ वर्षसँ निरन्तर बहस भ रहलासँ संविधान लेखनके अधिकतम कार्य सम्पन्न भऽ गेल आ जेष्ठ १४ भितरे संविधान जारी काएल जा सकैय बतौलनि अछि । मुदा ओइके लेल नेपाली कांग्रेसक एक मात्र शर्त अछि माओवादीके शान्ति प्रकृयाके पुरा करय परत ।
ओ कहलनि  जे शान्ति प्रकृया निश्कर्षमे पहुँचलाबाद १५ दिनमे संविधान लेखन कार्य पुरा काएल जा सकैय । सिरहाके ग्र्रामीण क्षेत्र दुर्गापुर पहुँचल सभापति कोईराला रिपोटस्र क्लव सिरहा शाखाद्वारा आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे ओ संविधान समयमे नहि बनत बातके कल्पना करहिके नहि चाहि बतौलनि ।

एक दु गोटेके चाहितेमे पार्टी नहि फुटतः प्रचण्ड


काठमाडौं, चैत २४एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड अपन पार्टी नहि फुटत दावी कएलनि अछि ।
पार्टी भितर बिमर्श भेले अछि , बहस चलले अछिजनआन्दोलन दिवसक अबसरमे काठमाडौंके बसन्तपुरमे आयोजित कार्यक्रममे प्रचण्ड कहलनि जे-मुदा हमसभ कांग्रेस, एमाले जेहन नहि छी, दोसरे धातुसँ बनल छी, एक दु गोटैके चाहिँतेमे इ नहि फुटत, आरो एक भऽकऽ आगु बढत ।
माओवादी नेपालके मात्रे नहि भऽ दक्षिण एसिया आ विश्वकै पैघ शक्ति होबय लगलाबाद  विश्वके पैघ-पैघ शक्ति केन्द्र माओवादीके फुटाबय लागिपरल हुनक कहब छलनि ।
माओवादीके चिल आ अन्य दलके मुर्गाके संज्ञा दैँत प्रचण्ड कखनो कखनो चिल निचा आबि कऽ मुर्गा जका बैसला पर हरबराए नहि चाहि बतौलनि ।
माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड जनता राजतन्त्रके अन्त्य करितो किछ गोटै श्रीपेच लगाबय चाहने  आरोप लगौलनि ।
 शान्ति आ संविधान निर्माणविरुद्ध षड्यन्त्र भऽरहल कहैत प्रचण्ड षयन्त्र जारी रहत त मजदुर दिवससँगे आन्दोलन शुरु करयके चेतावनी देलनि । मई दिवस धरि सेहो शान्ति आ संविधानविरुद्ध षड्यन्त्र हाएत त जनता चुप लागि कऽ नहि बैसतओ कहलनि जे-तीन करोड जनता हुनकासभके छाउर बना देत ।

पाकिस्तानमें आत्मघाती विस्फोट, 1 के मृत्यु


इस्लामाबाद, चैत २४ । दक्षिण-पश्चिम पाकिस्तानके क्वेटा शहरमें आइ भिन्सर भेल आत्मघाती विस्फोटमें एक गोटेके मृत्यु भेल अछि त ९ गोटै घायल भ गेल अछि ।
समाचार एजेंसी सिन्हुआ पुलिसके अनुसार बलूचिस्तान प्रांतके राजधानी क्वेटामें आत्मघाती विस्फोट भेल अछि ।
प्रारंभिक जानकारीके अनुसार विस्फोटक सँ भरल एकटा गाडी स्थानीय पुलिस अधिकारी वजीर खान नासिरके घरके देवाल सँ  टकराएल छल । विस्फोटमें खान घायल भ गेल अछि त हुनक घर  क्षतिग्रस्त भ गेल अछि ।

कांग्रेस संघीयता विरोधी नहि अछिः महामन्त्री


ललितपुर, चैत २४ । नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री प्रकाशमान सिंह कांग्रेस संघीयता विरोधी पार्टी नहि रहल बतौलनि अछि ।
 कांग्रेस ललितपुरके अगुवा कार्यकर्ता प्रशिक्षणके आइ उद्घाटन करैत सिंह संघीयतामे गेलासँ कएटा प्रदेश कुन आधारमे बनाएब बारेमे वैज्ञानिक तवरसँ निर्णय आ समझदारी होबयपरत बतौलनि ।
राज्य पुनःसंरचना सम्वन्धी समिति आगु रखने १४ प्रदेश अवैज्ञानिक रहल कहैत ओ भौगोलिक, जातीय आ आर्थिक दृष्टिसँ प्रदेशके निर्णय करय विशेषज्ञ सम्मिलित आयोग बनाबयके कांग्रेसक धारणा अखनो कायम रहल बतौलनि । महामन्त्री सिंह विशेष समिति मार्फत माओवादी लडाकू समायोजन आ व्यवस्थापन भऽ शान्तिप्रक्रिया निष्कर्षमे नहि पहुँचयधरि नयाँ संविधान जारी करय  नहि मिलत बतौलनि ।

नेपालके विजयी सुरुवात


काठमाडौं, चैत २४ । नेपाल ए एफ सी च्यालेन्ज कप फुटबल अन्तरगत समुह डी के छनोट खेलमे विजयी सुरुवात केलक अछि ।
आइ दशरथ रंगशालामे भेल पहिल खेलमे नेपाल अफगानिस्तानके १-० गोल अन्तरसँ पराजित करैत महत्वपूर्ण तीन अंक अपन नाम करय सफल भेल अछि । नेपालक लेल खेलेके २६ हम् मिनेटमे भरत खबास गोल केलनि अछि । नेपाल शनिदिन अपन दोसर खेलम उत्तर कोरियाके समना करत ।

तेज़ी स पिघैल रहल अछि चिलीके ग्लेशियर - विज्ञान


चिली अर्जनटीनाक सीमा पर ऐंडीज़ पर्वतमालामें फैल पर्वतके ग्लेशियर आब तेज़ीस पिघल रहल अछि जे बितल 350 सालमे सेहो ओतेक नहि पिघलल छल ।
एबरिस्टविथ, ऐक्ज़ेटर स्टॉकहोम विश्वविद्यालयके शोधकर्तासभ अहि अध्ययनके लेल लम्ब समयसँ अहि पर नज़र रखने छलथि ।
ओसभ बितल लघु हिमयुगलऽकऽखनधरि चिली अर्जनटीनाके 270 ग्लेशियरमें भेल परिवर्तनक नक्सा तयार केलनि अछि ।
अहि अध्ययनस पता चलल अछि जे बितल 30 सालमें अहि ग्लेशियरक 10लऽकऽ 100 गुना परिमाण कम भऽ गेल अछि ।
नया शोध नेचर जियोसाइंसनामक पत्रिकामें प्रकाशित अछि ।
शोधके परिणाम देखबैत अछि जे इ ग्लेशियर औसतस बेसी पिघल रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन