Wednesday, January 04, 2012

अमेरिकामे भेल जनगणना अनुसार नेपालसँ आएल नेपालीके संख्या ५९ हजार ४ सय ९०


सन् २०१० मे अमेरिकामे भेल जनगणना अनुसार नेपालसँ आएल नेपालीके संख्या ५९ हजार ४ सय ९० अछि । ओतयके जनसंख्या विभाग हालेमे ओ तथ्यांक जारी केलक अछि ।

बितल डिसेम्बरधरि अमेरिकामे पुनर्स्थापित भूटानी शरणार्थीके संख्या ४९ हजार १२ पहुँचल अछि । अहि हिसाबसँ जनगणना २०१० के नेपाली ५९ हजार ४ सय ९० आ हालधरि अमेरिकामे पुनर्स्थापित भुटानी शरणार्थीके संख्या मिलौलासँ नेपाली-भाषीसब १ लाख ८ हजार ५ सय २ गोटे पहुँचल अछि ।

अमेरिकामे जनगणना सन् २०१० अप्रिलमे भेल छल । ओ जनगणना अनुसार अमेरिकाके जनसंख्या ३० करोड ८७ लाख ४५ हजार ५ सय ३८ पहुँचल अछि ।

माओवादीके अनुपस्थितिसँ स्वेच्छिक अवकाशके खाका बनय नहि सकल


२० पुस, काठमाडौँ । सेना समायोजन विशेष समितिके सचिवालयमे प्रतिनिधित्व कएनिहार माओवादी दिसके सदस्य बैसारमे उपस्थित नहि भेलासँ माओवादी लडाकूके स्वेच्छिक अवकाश सम्बन्धी खाका तयार होवय अबेर भेल अछि ।

माओवादीके जारी केन्द्रीय समितिक बैसारमे कारण सचिवालयमे प्रतिनिधित्व कएनिहार माओवादी केन्द्रीय सदस्य चन्द्रप्रकाश खनाल, कुलप्रसाद केसी आ लडाकू कमाण्डर तेजप्रकाश ओली बैसारमे उपस्थित नहि भेलाक  कारण अवकाशके सम्बन्धमे प्रशासनिक गृहकार्य करय नहि सकल सचिवालय स्रोत जनौलक अछि । सचिवालयके बैसारमे ओसब उपस्थित नहि भेलासँ अन्तिम निर्णय करय अबेर भऽ रहल अछि ।

विद्यार्थी सहुलियतके लेल अध्ययन समिति गठन


२० पुस, काठमाडौँ । सरकार ग्याँस, मट्टियातेल आ खाद्यान्न जेहन दैनिक उपभोग्य वस्तुमे विद्यार्थीके सहुलियत उपलब्ध करावयके विषयमे अध्ययन करय एक कार्यदल गठन केलक अछि ।

प्रधानमन्त्री सहितक किछ मन्त्री आ आन्दोलनरत अखिल क्रान्तिकारी बीच आइ भिन्सर सिंहदरबारमे भेल वार्तामे सहमति अनुसार सरकार कार्यदल गठन केलक अछि । क्रान्तिकारीके अध्यक्ष हिमाल शर्मा सहुलियत उपलब्ध करावयके सम्बन्धमे अध्ययन करय प्रधानमन्त्रीक प्रमुख राजनीतिक सल्लाहकार देवेन्द्र पौडेलक संयोजकत्वमे १० सदस्यीय कार्यदल गठन केने जानकारी देलनि । शर्माके अनुसार कार्यदलके एक महिनामे प्रतिवेदन तयार करयके जिम्मेवारी देलगेल अछि ।

विद्यार्थीके ग्याँस, मट्टियातेल आ खाद्यान्नमे ५० प्रतिशत सहुलियतके माँग राखि कऽ क्रान्तिकारी किछ दिन आगु आन्दोलन शुरु केने छल । वार्तामे सरकारक दिससँ प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई, अर्थमन्त्री वर्षमान पुन, शिक्षामन्त्री दीनानाथ शर्मा आ आपूर्तिमन्त्री लेखराज भट्ट तथा क्रान्तिकारीसँ अध्यक्ष शर्मा सहित पदाधिकारीके टोली सहभागी छल ।

सरकार ग्याँस सहितक दैनिक उपभोग्य वस्तुमे सहुलियत देवय पूर्व प्रतिबद्धता कार्यान्वयन नहि केने कहैत क्रान्तिकारी किछ दिन एम्हर चरणबद्ध आन्दोलनके कार्यक्रम करैत आएल अछि । अहिसँ आगु काल्हि भेल वार्तामे प्रधानमन्त्री भट्टराई माँग पूरा करयके प्रतिबद्धता जनौलाबाद क्रान्तिकारी पूर्वघोषित केने आन्दोलनके सम्पूर्ण कार्यक्रम फिर्ता लेने घोषणा केने छल ।

नन्दिनीके नखरा

जिनका देखिते मन बेकाबु होइत अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन