Wednesday, November 23, 2011

दबाइके गलत प्रचार अभियोगमे अमेरीकी दबाइ कम्पनी जरीवाना देबय तयार


७ अगहन अमेरिका । दर्द कम करयबला दबाइ वायोक्सके गलत प्रचार केने अभियागमे अमेरीकामे दबाइ बनाबयबला कम्पनी मर्कके करीब एक अरब डलर जरीवाना देबय परल अछि ।

कम्पनी फुड ड्रग एण्ड कास्मेटिक एक्ट उल्लंघनके दोष सेहो स्विकार केने अछि । दबाइ सन् २००४ मे बजारसँ  हटाओलगेल छल । दर्द कम करत कहलगेल होइतो ओ दबाइसँ धड्कन जल्दि जल्दि बढाबयके सँगे स्ट्रोकके खतरा रहल  जनाओल गेल अछि । आधिकारिक रुपमे अनुमतिसँ पहिनेही इ वायोक्सके  गोटीके इलाजक लेल प्रचार कएल गेल छल ।

गैँडाकोटमे सवारी दुर्घटना, १ बालकके मृत्यु


प्रेम क्षेत्री
७ अगहन नवलपरासी । नवलपरासीके गैडाँकोट स्थित काँग्रेसचोकमे भेल सवारी दुर्घटनामे परि एक  बालकके मृत्यु भेल अछि ।

नारायणगढसँ कावासोतीदिस जाऽ रहल ना २ ख ६६७० नम्बरक बस रास्ता पार कऽ रहल लमजुङ चिटि गाविस८ के १३ वर्षक बालक बुद्ध लौडारी ठक्कर देलाबाद ओकर मृत्यु भेल अछि ।  एकटा वियाहमे बरियाती भऽ क गैडाँकोट आएल बालकके बस रास्ता पार कऽ रहल समय  ठक्कर देने छल ।

बाँकेके कोहलपुरके एक कस्मेटीक दोकानमे अगिलगि


रमेश बम

७ अगहन बाँके । बाँकेके कोहलपुरमे बितलराति एकटा कस्मेटीक दोकानमे आगि लागल अछि ।

कोहलपुरके साँझाचोकमे रहल परी व्यूटी पार्लरमे विधुत सर्ट भऽ अगिलगि भेल पुलिस जनौलक अछि । अगिलगिसँ करिब ३ लाख बराबरके क्षति भेल अनुमान कएलगेल अछि । अगिलगिसँ दोकानमे रहल सम्पुर्ण सामानसब जरि कऽ नष्ट भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय कोहलपुर जनौलक अछि ।

अहिबिच सिन्धुलीके माहादेवस्थान गाविस वाड नम्बर  ३ फिटिङ खोला निवासी रामबहादुर वाइवाके घरमे सेहो बितलराति आगि लागल अछि ।

अगिलगिमे परि अन्न, लत्ताकपडा, नगद पैसा, सोलार जरि कऽ करिब १ लाख १५ हजारसँ बेसीके क्षति भेल पुलिसक अनुमान रहल अछि । मुदा अगिलगिस मानविय क्षति  नहि भेल पुलिस जनौलक अछि ।

दाङसहित तराईके जिल्लामे बन्दक प्रभाव


दशरथ घिमिरे

७ अगहन दाङ  संविधानसभा विघटनके माँग करैत थरुहट तराई पार्टी नेपाल सहित विभिन्न ९ छोट राजनीतिक संगठनसब आइसँ अनिश्चितकालिन नेपाल बन्दक आह्वान केलक अछि ।

बन्दक कारण दाङसहित तराईके जिल्लासबमे एकर  प्रभाव देखल जाऽ रहल अछि । बन्दक कारण पूर्व पश्चिम लोकमार्गमे सवारीसाधन चलय नहस सकल अछि तऽ बजारसब सेहो सामान्य रुपमे बन्द रहल अछि ।  संविधानसभाक म्याद थप करितो संविधान बनय नहि सकलासँ संविधानसभाक विधटनके माँग करैत बन्दक आह्वान कएल गेल संगठन जनौलक अछि ।

संविधानसभाक म्याद थपयके अधिकार ककरो नहि रहल कहैत संविधानसभा विघटन कऽ नयाँ जनादेशके साथ निर्वाचनके माँग करैत छोट ९ राजनैतिक सङ्गठनके घटक संयुक्त राष्ट्रिय जनआन्दोलन २०६८ नामाकरण कऽ संघर्षमे उतरल अछि । मुदा एम्वुलेन्स, कुटनितिक नियोगके सवारी साधन आ विवाह उत्सवके सवारी साधन चलय देने थरुहट तराई पार्टिक केन्द्रिय महासचिव नन्दकुमार चौधरी जानकारी देलनि ।

अहिबिच अनिश्चितकालीन नेपाल बन्दक प्रभाव नवलपरासीके कावासोतीमे पूर्णरूपमे परल ईलाका प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि । मुदा भित्री सडकमे किछ सवारी साधन सञ्चालनमे रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय गैँडाकोट जनौलक अछि । 

मुदा  बन्दक प्रभाव धनुषा महोतरीमे नहि परल अछि ।

कपिलवस्तुमे भेल सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु


यादव भुसाल

७ अगहन कपिलवस्तु । कपिलवस्तुमे बितल राति भेल सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे शिवपुर गाविस वाड नं ७ के ३१ वर्षक तुल्सीराम थारु रहल पुलिस जनौलक अछि । शिवपुर गाविसके वाड नं ६ करैयामे चन्द्रौटासँ शिवपुर दिस जाऽ रहल  लु १ ख ४१४२ नम्बरक टिप्परके ठक्करसँ विपरीत दिशसँ आबि रहल लु ८ प ३१४७ नम्बरक मोटरसाईकलके ठक्कर देलासँ गम्भिर घाइल भेल थारुके इलाजक क्रममे स्थानीय अस्पतालमे मृत्यु भेल अछि ।

ठक्कर देनिहार टिपरके पुलिस नियन्त्रणमे लैतो चालक फरार रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय कपिलवस्तु जनौलक अछि ।

काङ्ग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार आइ बैसत


७ अगहन काठमाण्डौ । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली काङ्ग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिक बैसार आइ बैसय जाऽ रहल अछि ।

आन्तरिक विवाद आ समसामयिक राजनीतिक परिस्थितिके विषयमे पार्टीके धारणा तय करय बैसार बैसय लागल अछि । काङ्ग्रेसक बैसारमे दलसबसँग भेल पछिला सहमति, संविधान निर्माण, शान्ति प्रक्रियाक विषयमे सेहो बिमर्श हाएत बताओलगेल अछि । बेरियाक १ बजेबाद केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे बैसय लागल बैसारमे संविधानसभाक म्याद थप, सात बुँदे सहमतिके विषयमे बिमर्श हाएत ।

अहिबीच असन्तुष्ट वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्ष आजुक केन्द्रीय समितिक बैसार बहिष्कार करत जनौलक अछि । भ्रातृ सङ्गठनसबके पार्टी सभापति विना कारण विघटन केलासँ देउवा पक्ष आपत्ति जनबैत आएल अछि । देउवा पक्ष काल्हि साँझ सभापतिके भेट कऽ आन्तरिक विवाद मिला कऽ  मात्रे केन्द्रीय समितिक बैसार बजाबय आग्रह कएने छल । सभापति सहमतिएमे विवाद मिलाएब कहैत बैसारमे सहभागी होबय देउवा पक्षक केन्द्रीय सदस्यसबसँ आग्रह कएलनि अछि ।

केन्द्रीय समितिक बैसार आगु आइ देउवा पक्षक नेतासब अलगे बिमर्श करत केन्द्रीय सदस्य गोपालमान श्रेष्ठ जानकारी देलनि । बिमर्शमे काल्हि सभापतिसँग भेल बातचितक बारे सदस्यसबके जानकारी कराओल जाएत सेहो ओ बतौलनि ।


दिदीके अध्यक्ष बनाबय हिसिलाके दबाब


७ अगहन, काठमाण्डौ । माओवादी नेतृ एवं प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके पत्नी हिसिला यमी अपन दिदी तिमिला यमीके काठमाण्डौं खानेपानी लिमिटेडके अध्यक्ष बनाबय दबाब देलिह अछि ।

२०६४ सालमे अपने भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्री रहल समय हिसिला दिदी तिमिलाके संचालक समिति सदस्य मनोनयन केने छलिह । ओकर बादसँ ओ लागतार संचालक समितिमे अछि । किछ समयसँ अध्यक्ष पद रिक्त रहल ओ खानेपानीमे तिमिलाके संचालक समितिक अध्यक्ष बनाबय दबाब आबि रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन