Sunday, October 16, 2011

मन्त्रीक राजीनामा मँगैत विपक्षीद्धारा संसदक बैसार अवरुद्ध


२९ आसिन, काठमाडौं । बिवादास्पद रक्षा आ भूमिसुधारमन्त्रीके राजीनामा माँग करैत विपक्षी नेपाली कांग्रेस आ एमाले आइ सेहो व्यवस्थापिका संसदक बैसार अवरुद्ध केलक अछि ।

बैसारक सुरुमे समय लऽ क एमाले सभासद भीम रावल दु गोट विवादास्पद मन्त्रीसब उपर कारवाही करय आ अपनेसब उठौने विषयमे जवाफ देबय प्रधानमन्त्रीसँग माँग कएलनि ।

ओ इस्लामीक संघक महासचिवके कारबाही नहि करयके कहाँ सँ दबाव आएल प्रधानमन्त्रीके सदनके जानकारी कराबय परत माँग कएलनि । सरकार शान्ति प्रक्रियामे एकलौटी रुपमे निर्णय केने कहैत आपति जनौलनि । ओ कहलनि-लडाकूके भत्ता बढाबयके काज मात्र भेल । शान्ति प्रक्रिया सहमतिमे करयके कहब आ एकलौटी रुपमे मनमानी ढँगसँ निर्णय करब इ कतेक उचित अछि ?’ ओ रक्षा आ भूमिसुधारमन्त्रीके कारवाही कऽ अपनासब उठौने माँगमे प्रधानमन्त्रीके जवाफ नहि देबयधरि सदन चलय नहि देब बतौलनि ।

कांग्रेस आ एमाले सभासदसब अपन अपन ठाममे ठार भऽ क विरोध जनौलाबाद सदनके नियमित कामकारवाही होबय नहि सकलासँ सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ बैसार ३० गतेधरिके लेल स्थगित कएलनि ।

कंकाल भेटल, हत्याक श्रृखला बढल


जलेश्वर, आसिन २९ । महोत्तरीके हात्तिलेटमे आइ एकटा मानव कंकाल भेटल अछि ।

हात्तिलेट गाउँ विकास समितिके वाडनं. ५ के कुशियार खेतमे ओ मानव कंकाल भेटल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी उपरिक्षक विनोद शर्मा घिमिरे जानकारी देलनि ।

कंकाल लग एकटा धोती सेहो भेटलासँ ओ शव पुरुषके होबय सकयके पुलिस अनुमान केलक अछि । ओ कंकाल मात्रे रहलासँ पहिचान करय दिक्कत भेल प्रहरी उपरिक्षक शर्मा बतौलनि ।

प्रारम्भिक अनुसन्धानक बाद ओ शवके सनाखतके लेल डिएनए परिक्षण कराबयके आवश्यकता रहल घिमिरेके कहब छल । कहि कतौक मारि कऽ फेकने होबय सकयके ओ शव बेसी दिन भेलासँ कंकालमे परिणत भेल  बतबैत प्रहरी उपरिक्षक शर्मा अखनधरि केउ हेराएल सुचना या निवेदन जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे नहि देने सेहो बतौलनि ।

महोत्तरीमे किछ समय एम्हरसँ हत्याके श्रृखला तथा हत्या कएलगेल शव भेटयके श्रृखँलामे वृद्धि भेल अछि ।

काल्हि साँझ मात्रे महदैया तपनपुरमे एक महिलाके एसिडसँ जराओल गेल अवस्थामे एक लाबारिश शव भेटल छल । ओ महिलाके सनाखत होबय नहि सकल अछि तऽ ३ दिन आगु मात्रै गर्दन काटल अबस्थामे परिकौली स्थित आगे पुलके निचा फेकल भारतक बेनिपट्टी स्थित दुर्गास्थानके प्रदीप साहके शवके काल्हि  पहिचान भेल अछि ।

ओइसँ २  दिन आगु इटहर्वाकटटीके जिवछी देवी मण्डलके अज्ञात समुह घरगर हतियार प्रयोग कऽ हत्या केने छल तऽ काल्हि बनौटामे एकटा नवजात शिशुके हत्या कएल गेल शव भेटल छल ।

कोनो हालतमे राजिनामा नहि देब


२९ आसिन जनकपुरधाम । रक्षामन्त्री शरतसिँह भण्डारी अपन बक्त्यबके घुमा कऽ बिपक्षी नेतासब प्रस्तुत केने आरोप लगबैत  अपने कोनो हालतमे राजिनामा नहि देब बतौलनि अछि ।

मधेशी आन्दोलनके क्रममे सक्रिय भुमिका निर्वाह केने कृष्ण चन्द्र मिश्रक अन्तिम सँस्कारमे सहभागी होबय जनकपुर आएल मन्त्री भण्डारी अपने मात्रे सरकारमे नहि गेल बल्कि सँयुक्त मधेशी मोर्चा सेहो गेलासँ मोर्चाक जे निर्णय हाएत ओ अपने मानय तयार रहल बतौलनि अछि ।

ओ एकिकृत माओवादी आ मोर्चाबिच भेल ४ बुन्दे सहमतिके ध्यानमे रखैत मधेशीके सेनामे समाबेशी करयके अभिप्रायसँ ओ अभिब्यक्ति देने स्पष्ट केलनि । सेनामे मधेशीके प्रवेश कराबयके बिषयमे नेपाली सेना सेहो सकारात्मक रहल ओ उल्लेख कएलनि ।

सत्ता पाबय नहि सकलसब छटपटा कऽ  अभिब्यक्तिके घुमा कऽ राजिनामाके माँग कऽ रहल सेहो ओ आरोप लगौलनि ।

कृष्ण चन्द्र मिश्रके अखन अन्तिम सँस्कार भऽ रहल


२९ आसिन जनकपुरधाम । मधेश आन्दोलनमे सक्रिय भुमिका निर्बाह कएने  कृष्ण चन्द्र मिश्रके अखन अन्तिम सँस्कार भऽ रहल अछि ।

स्वर्गीय मिश्रके हुनक ज्येष्ठ पुत्र मनोज मिश्र मुखाअग्नि देलनि अछि । जनकपुरसँ सटल दुधमती नदी कातमे भऽ रहल अन्तिम सँस्कारमे रक्षामन्त्री शरतसिँह भण्डारी सभासद कलावती पासवान तमलोपाक केन्द्रिय उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल सहित धनुषा महोतरी सर्लाही सहितक जिल्लाके मधेशी नेतासब सहभागी छथि ।

मिश्रके बितल राति हृदय घातक कारणे निधन भेल रहन्हि ।

जनकपुर रामानन्द चौक -८ स्थित अपने घरमे हृदय घात भेलाक बाद जनकपुर अंचल अस्पतालमे ईलाजक क्रममे बितल राति साढे ९ बजे  ६० बर्षक मिश्रके निधन भेल रहन्हि ।

एहिबिच तमलोपाक केन्द्रिय उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल मिश्रक निधनसँ मधेश आन्दोलनक अपुर्णिय क्षति भेल बतओलनि अछि । 

भट्टराई सरकारक आयु अगहनधरि १५ धरि मात्रे : एमाले नेता गुरुङ


लमजुङ, आश्विन २९ । एमालेके पोलिटब्युरो सदस्य तथा सभासद् पृथ्वीसुब्बा गुरुङ संविधानसभाके निर्वाचनबाद माओवादी आ एमाले दुदु बेर सरकारक नेतृत्व कऽ चुकलासँ आबके नेतृत्व नेपाली काँग्रेसके देबयपरत आ ओकरे नेतृत्वमे संविधान जारी करय परत बतौलनि अछि ।

ओ माओवादी नेता बाबुराम भट्टाराई सरकारक आयु अगहन १५ गतेधरि मात्रे रहल उल्लेख कएलनि । 

एमाले जिल्ला कमिटी लमजुङ दसैँ, दियाबाती आ छठि पावनिके अवसरमे आइ बेसिसहरमे आयोजना केने शुभकामना आदनप्रदान तथा चायपान कार्यक्रममे बजैत नेता गुरुङ ओ बात बतौलनि अछि ।

एखुनक अवस्थामे प्रमुख तीन दलबीच केउ ककरो निषेध करय सकयके स्थिति नहि रहल उल्लेख करैत ओ पैघ ३ दल आ मधेसी मोर्चा नहि मिलत तऽ शान्ति आ संविधान नहि बनत ठोकुवा कएलनि ।

भट्टराई सरकारक आयु अगहनधरि १५ धरि मात्रे : एमाले नेता गुरुङ


लमजुङ, आश्विन २९ । एमालेके पोलिटब्युरो सदस्य तथा सभासद् पृथ्वीसुब्बा गुरुङ संविधानसभाके निर्वाचनबाद माओवादी आ एमाले दुदु बेर सरकारक नेतृत्व कऽ चुकलासँ आबके नेतृत्व नेपाली काँग्रेसके देबयपरत आ ओकरे नेतृत्वमे संविधान जारी करय परत बतौलनि अछि ।

ओ माओवादी नेता बाबुराम भट्टाराई सरकारक आयु अगहन १५ गतेधरि मात्रे रहल उल्लेख कएलनि । 

एमाले जिल्ला कमिटी लमजुङ दसैँ, दियाबाती आ छठि पावनिके अवसरमे आइ बेसिसहरमे आयोजना केने शुभकामना आदनप्रदान तथा चायपान कार्यक्रममे बजैत नेता गुरुङ ओ बात बतौलनि अछि ।

एखुनक अवस्थामे प्रमुख तीन दलबीच केउ ककरो निषेध करय सकयके स्थिति नहि रहल उल्लेख करैत ओ पैघ ३ दल आ मधेसी मोर्चा नहि मिलत तऽ शान्ति आ संविधान नहि बनत ठोकुवा कएलनि ।

बीपी राजमार्गके सडकमे सवारी आवागमनमे रोक


सिन्धुली, आश्विन २९ । बीपी राजमार्गके खुर्कोट- नेपालथोक तेसर खण्डके ट्रयाक सडकमे  आइ सँ सवारी साधन चलाबय रोक लगाओल गेल अछि । बढैत दुर्घटनाके कम करय लेल भेल सर्वपक्षीय बैसारसँ स्थानीय प्रशासन सवारी आवागमन बन्द केने अछि ।

बीपी राजमार्ग प्रयोग कऽ राजधानीदिस जाए लागल निजी तथा सरकारी सवारी साधनसबके आवागमन बन्दके सूचना दऽ  पुलिस सिन्धुलीसँ घुरा रहल अछि ।

खुर्कोट-नेपालथोक ट्रयाक सडकके स्तरिय आ चौडा नहि बनाबयधरिके लेल बस, छोट गाडी तथा अन्य भाडाके सवारी साधन संचालनमे रोक लगाओलगेल  प्रमुख जिल्ला अधिकारी बेणीमाधब ज्ञवाली जानकारी देलनि ।

बेसी दुर्घटना होबयबला स्थान पुरानो झाँगाझोलीके रिठ्ठेसँ ट्रयाक सडक चौडा बनाबयके काज शुरु कएल जाएत जनाओल गेल अछि ।

बर्दिवास, सिन्धुली, बनेपा सडकके कुल १६० किलामीटर लम्बाइ मे सँ १२३ किमीके निर्माण सम्पन्न भऽ जापानीज कम्पनी नेपाल सरकारके हस्तातरण कऽ चुकल अछि । तेसर खण्डके निर्माणाधिन ३७ किलोमिटर मे सँ १४ किमी सडक याह वर्षक चैतधरिमे निर्माण पूरा करयके लक्ष्य राखलगेल अछि ।

सिन्धुलीमाढीसँ खुर्कोट आ धुलीखेलसँ नेपालथोकधरि यातायात सुचारु अछि ।    बीपी राजमार्गके तेसर खण्ड अन्र्तर्गतके ट्रयाक सडकमे आसिन २६ गते भेल बस दुर्घटनामे ४१ आ बैशाख २० गते भेल दुर्घटनामे १२ कऽ ५३ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

फैजानके हत्यामे सरकारक हात: उपेन्द्र यादव


इनरुवा, आश्विन २९ । मधेशी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादब इस्लामी संघ नेपालक महासचिव फैजान अहमदके हत्यामे सरकारेके हात रहल दाबी कलनि अछि ।

 'दिनदहाडै राजधानीके अति सुरक्षित मानलगेल स्थानमे गोली मारि कऽ अपराधी पैदले भागि जेनाइ आ गिरफ्तार होबय नहि सकनाइ सँ हत्यामे सरकारक संलग्नताके पुष्टी होइत अछि ओ बतौलनि ।

सरकार फैजानके हत्या बाद गठित छानविन समिति भंग कऽ क जाँचबुझके लेल उच्चस्तरिय आयोग गठन केलक अछि ।

किछ दिन एम्हर गृह जिल्ला सुनसरीके ग्रामिण क्षेत्रमे कार्यकर्ता भेटघाटके समयमे रहल अध्यक्ष यादब प्रधानमन्त्री बाबुराम भटराई तत्काल रक्षामन्त्री शरदसिंह भण्डारी आ भुमिसुधार मन्त्री प्रभु साहके राजिनामा दियाबऽ परत बतौलनि ।

देशके रक्षाके जिम्मा लेबयबला ब्यक्ति देशके अलग करयके अभिब्यक्ती देनाइ कोनो हालतमे देश आ मधेशक जनताके स्वीकार्य नहि हाएत यादवक चेतावनी छल । ओ माओवादी नेतृत्वके सरकारके पुलिसके दोषी पता लगा कऽ  मन्त्री साहके सेहो राजिनामा करा कऽ  प्रधानमन्त्रीके अनुसन्धानमे सहयोग करयके सुझाब देलनि ।


भूमिसुधारमन्त्री साहके हटाओल जाएत


२९ आसिन, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी हिन्दु युवासंघ पर्साक अध्यक्ष काशीनाथ तिवारीक हत्याम संलग्न रह आरोप लाग पार्टी केन्द्रीय सदस्य समेत रह भूमिसुधार तथा व्यवस्थामन्त्री प्रभु साहके पदमुक्त करयके निर्णय कएल गेल अछि

अध्यक्ष प्रचण्ड उपाध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईबीच आइ भिन्सर ेल बिमर्शमे ओहन निर्णय भेल अछि । प्रचण्ड निवास नयाँ बजारमे भेल भेटम हत्या आरोपम विवादम परल साहके विपक्षीसबहक मागअनुसार पदसँ हटाबयके निर्णय भेल अछि बिमर्शमे मन्त्री साह सेहो सहभागी छलथि । बिमर्शसँ हत्याम साहक संलग्नता नहि रह निष्कर्ष निकाललक अछि  

अहिना मधेसक २२ जिल्लाक जनता नेपालसँ अलग होबयके निर्णय करत तऽ देशके कुन ऐन कानुन रोकय सकत कहि विवादास्पद अभिक्तव्यक्ति देने रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारीके पदसँ हटाबयके विषयम निर्णय लेबय सम्बन्धित पार्टी मधेसी मोर्चाके जिम्मा देबयके निर्णय समेत भेल अछि

माओवादी भण्डारीके टाबय आग्रह केलाबाद मधेसी मोर्चा साहके सेहो हटाबयके सर्त रखने छल । स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री भट्टराई साहके इए मन्त्रीपदसँ भण्डारीके राजीनामा दिया कऽ अबरुद्ध संसद् सुचारु करय कांग्रेस एमालेसँ आग्रह करय लागल छथि । विपक्षी कांग्रेस एमाले अहिसँ आगु विवादित मन्त्रीद्वय साह भण्डारीके हि हटाबयधरि संसद् अबरुद्ध करैत रहयके चेतावनी देने छल । माओवादी स्थायी समिति बैसारसँ किछ दिन आगु साह उपर राजनीतिक पूर्वाग्रहक आधारम हत्या आरोप लगाओलगेल ठहर करैत आरोप लैगतेमे राजीनामा देबयके निर्णय केने छल

२७ वर्षक नन्दिता - मोडेल


जेनिफर निकोल ली - मोडेल


आब हमहुँ जवान भऽ गेली

आई बिश्व खाद्य दिबस


२९ आसिन जनकपुरधाम । आइ बिश्व खाद्य दिबस,  बिभिन्न कार्यक्रमके साथ बिश्व भरि मनाओल जाऽ रहल अछि ।

नेपालमे सेहो आई सरकारी तथा गैरसरकारी क्षेत्रसँ बिभिन्न कार्यक्रम कऽ ई दिबस मनाओल जाऽ रहल अछि। सन १९७९ मे संयुक्त राष्ट्रसंघक बिश्व खाद्य तथा कृषि संगठनक २० म् सम्मेलन प्रत्येक अक्टुबर १६ तारेखके दिन खाद्य दिबस मनाबक निर्णय कएने छल। बिश्वमे खाद्य संकट नई होबए देबकलेल कृषि क्षेत्रके बिकास करक उपड जोड दैत ई दिबस मनाओल जाईत अछि।

बिश्वमे १ करोडसँ बेसी आदमिसभ भुखमरिके चपेटमे परल संयुक्त राष्ट्रसंघ जनओने अछि। नेपालमे २० गोटे भुखले रहैत अछि बिभिन्न संघ संस्थाक तथ्याङक अछि। नेपालमे ८० प्रतिशतसँ बेसी आदमी कृषिमे निर्भर रहलाक बादो कृषि पेशामे संलग्न ५० प्रतिशत आदमि भुखले रहैत अछि।

facebook Page Like

  • मनोरँजन