Tuesday, December 27, 2011

सर्वोच्चद्वारा संविधान सभाके म्याद बढावय सम्बन्धी पुनरावलोकन निवदेन अस्वीकार


काठमाडौ, पुस १२ । एक बेरके लेल ६ महिनाके लेल मात्रे संविधान सभाक म्याद बढावय पावी कहि सर्वोच्च अदालतके फैसलामे पुनरावलोकनके सरकार आ संसद देने निवेदन अस्वीकार केलक अछि ।

 प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आ सभामुख सुवास नेम्वाङ संविधानसभाके म्याद ६ महिनासँ बेसी बढावय नहि पावयके सर्वोच्च अदालतके अहिसँ आगुके फैसला उपर न्यायिक पुनरावलोकनके माँग करैत काल्हि निवेदन देने छल ।

सर्वोच्च अदालतके प्रवक्ता हेमन्त रावल पुनरावलोकनके निवदेन दर्ता करयके कारण नहि देखौलासँ निवेदन दर्ता नहि कएलगेल बतौलनि । सर्वोच्चके दर्ता करयके कोनो आधार नहि रहलासँ निवेदन दरपिठ केलक अछि ।

बितल अगहन ९ गते सर्वोच्च आगामी जेठ १४ गते संविधान जारी नहि हाएत तऽ संविधान सभा स्वतः विघटन होवयके फैसला केने छल ।

अनुष्का


ब्रा के डिजाइनसब

MMRDA मैदान पर अन्ना के अनशन शुरू


१२ पुष मुम्बइ । मजबूत लोकपाल पेश करयके माँग करैत अन्ना हजारे  तीन दिनक लेल आइ सँ मुम्बइके MMRDA मैदानमे अनशन  शुरू केलनि अछि ।

अनशन सँ पहिने अन्ना हजारे जुहू बीच गेलनि आ महात्मा गांधीके प्रतिमा पर माल्यार्पण केलनि । ओकरबाद ओइ प्रतिमाके सामने बैस कऽ ध्यानमे बैस गेलथि ।

ओ अखन अनशन स्थल MMRDA मैदान पर अनशनके लेल पहुंचल छथि । ओ आइ बेरियासँ MMRDA  मैदानमे पहुंचलाबाद अनशन पर बैसल छथि । ओ आइ  भिन्सरेसँ किछ नहि खेने पिने छथि ।

अन्नाके तबीयत बहुत दिनसँ खराब रहलाक बादो ओ आइसँ अनशन पर बैसल छथि ।

राजनीतिक कारणसँ पेट्रोलियम पदार्थक अभाव


काठमाडौ, पुस १२ । वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री लेखराज भट्ट राजनीतिक कारणसँ पेट्रोलियम पदार्थके अभाव भेल बतौलनि अछि ।

ग्यास विक्रेता महासंघक नवनिर्वाचित पदाधिकारीके पदस्थापन कार्यक्रममे ओ इ बात बतौलनि अछि । 'विभिन्न राजनीतिक दलसँगक बिमर्शमे पेट्रोलियम पदार्थके सहज आपूर्तिके लेल अन्तर्राष्ट्रिय बजार अनुसार मूल्य वृद्धि करयके विकल्प नहि अछि निष्कर्ष निकलैत अछि ' ओ कहलनि, 'मुदा ओकर केनिक काल बाद  ओसब अपन पार्टीके पेट्रोलियम पदार्थक भाउ बढावयके नीति नहि अछि, बढत तऽ विरोध करब कहैत छथि।'

ओ पेट्रोलियम पदार्थक आपूर्ति असहज होवयके कारण राजनीतिक रहल बतबैत ओइ सम्बन्धमे आयल निगम समस्यामे परल बतौलनि ।

ओ सहज आपूर्तिके लेल मन्त्रिपरिषदमे पहुँचाओलगेल प्रस्ताव अस्वीकार भेल बतौलनि । मुदा आयल निगमके होवयबला किछ घाटा मूल्य समायोजन कऽ पूर्ति करयके, किछ घाटा सरकारके कर छुट दऽ क करयके आ किसान तथा गरिब वर्गके राहत देवयके प्रावधान राखि कऽ  लऽ गेल प्रस्ताव बिमर्शक क्रममे रहल बतौलनि ।

वैद्यके फरक प्रस्ताव प्रस्तुत, बैसार काल्हिधरिके लेल स्थगित


काठमाडौ, पुस १२ । माओवादी केन्द्रीय समितिक जारी बैसार काल्हिधरिके लेल स्थगित भेल अछि ।

माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य बैसारमे प्रस्तुत केने फरक राजनीतिक प्रस्ताव अध्ययनके लेल बैसार स्थगित कएलगेल अछि ।

उपाध्यक्ष वैद्य आजुक बैसारमे अपन अलग राजनीतिक प्रस्ताव प्रस्तुत केलनि अछि । ओ प्रस्ताव अध्ययनके लेल सदस्यसब समय मँगलाबाद बैसार स्थगित कएलगेल अछि ।

वैद्य शान्ति आ संविधान निर्माणक प्रक्रिया सम्पन्न होवयके सम्भावना क्षिण होइत गेल निष्कर्ष सहितक अलग प्रस्ताव पेस केलनि अछि । जारी शान्ति प्रक्रिया आ संविधान मार्फत पार्टी लेने क्रान्ति पूरा नहि हाएत, पार्टीके प्रधानसत्रु भारत रहल आ वर्तमान सरकारक औचित्य समाप्त भऽ चुकल सहितक विषय वैद्यके प्रस्तावमे रहल प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा बतौलनि ।  अहिसँ आगु अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रस्तुत केने प्रस्तावमे वैद्य फरक प्रस्ताव पेश केलनि अछि ।

हत्या कएलगेल सुनार परिवारके १० लाख


काठमाडौ, पुस १२ । सरकार चुल्हा छुने अभियोगमे हत्या भेल कालिकोटके दलित मानवीर सुनारके परिवारके राहत स्वरुप १० लाख देवयके निर्णय केलक अछि ।

मन्त्रिपरिषद्क आजुक बैसल बैसारसँ ओ निर्णय केलक अछि । हत्याराके कारवाही आ पीडित परिवारके राहतके माँग करैत दलित संघ संस्थासब आन्दोलन करैत आएल छल । अगहन २४ गते कालिकोट जुविथा-४ के सुनारके चुल्हा छुने कहैत स्थानीय मानबहादुर शाही आ दिपक शाहीके पिटाइसँ मृत्यु भेल छल । छुवाछुत जेहन जघन्य अपराध करयबला  उपर अभियानके रुपमे कारवाही करयके आ ओइके अनुगमनके लेल प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहत संयन्त्र गठन कएल जाएत सरकार निर्णय लेलक अछि ।

बैसारसँ नेपाल पत्रकार महासंघके केन्द्रीय कार्यालय निर्माणक लेल एक करोड रुपैयाँ देवयके निर्णय केलक अछि । अहिसँ आगु झलनाथ खनाल प्रधानमन्त्री भेल पालामे ओ रकम देवयके घोषणा करितो बजेटमे नहि छुट्याओलगेल छल ।

अहिना स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके सचिव सुधा शर्मा देने राजिनामा सरकार स्विकृत केलक अछि । वरिष्ठ सचिव रहल शर्माके मन्त्री जनसंख्या दिस लऽ गेलाबाद ओ असन्तुष्ट भऽ क राजीनामा देने छलिह । तहिना परराष्ट्र मामिला अध्ययन प्रतिष्ठानक कार्यकारी निर्देशक उषाजंग थापाके राजिनामा सेहो स्विकृत कएलगेल अछि ।

कारागारसबहक आधुनिक व्यवस्थापनके लेल माओवादी सभासद देवी खड्काके अध्यक्षतामे समिति गठन कएलगेल अछि । सरकारक प्रवक्ता उपप्रधान एंव परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठक अनुसार आयल निगमके पेट्रोलियम पदार्थक आपूर्ति सहज बनावय तत्काल डेढ अर्ब रुपैयाँ ऋण देवयके निर्णय समेत भेल अछि । अहिना, शितलहरके कारण मृत्यु भेल परिवारके राहत स्वरुप २५ हजार रुपैयाँ प्रदान करयके मन्त्रिपरिषद निर्णय केलक अछि ।

तहिना,कर्मचारी संचय कोषके प्रशासक रमेश कुमार भट्टराई आ नेपाल रेल्वे कम्पनीके कार्यकारी निर्देशक सुरेशकुमार यादवके अवकाश देलक अछि ।

अहिना मन्त्रिपरिषद विश्व विद्यालय अनुदान आयोगमे ६ गोट सदस्यके नियुक्ति केलक अछि । ओ आयोगमे त्रिभुवन आ पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयके उपकुलपतिसबमे क्रमशः हिराबहादुर महर्जन आ महेश्वर मान श्रेष्ठके नियुक्ति कएलगेल अछि । तहिना उच्च शिक्षा क्षेत्रमे विशिष्ठ योगदान पहुँचौनेसबसँ डा.शिवशरण महर्जन, डा. विद्यानाथ कोइराला, डा महेन्द्र सिंह आ च्रीशोभा ताम्राकारङ्के आयोगमे नियुक्ति कएलगेल अछि ।

सरकारद्वारा कानुन आ कारागार व्यवस्थापन आयोग गठन


१२ पुष काठमाण्डौ । नेपाल सरकार कानुन आयोग आ कारागार व्यवस्थापन आयोग गठन केलक अछि ।

आइ भिन्सर सिहदरवारमे बैसल मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ उमेशचन्द्र झाक अध्यक्षतामे कानुन आयोग गठन केने अछि । आयोगके उपाध्यक्षमे प्रचण्डराज प्रधानके नियुक्त करयके सरकार निर्णय केलक अछि । अहिना पूर्व भौतिक योजना तथा निर्माण राज्यमन्त्री देवी खड्काक संयोजकत्वमे कारागार व्यवस्थापन आयोग गठन भेल प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार रामरिझन यादव जानकारी देलनि ।

खड्काके संयोजकत्वमे गठन भेल ५ सदस्यीय कारागार व्यवस्थापन आयोग देशभरिके कारागारसबहक अध्ययन करयके आ सरकारके सुझाव सहितक प्रतिवेदन पेस करत । आजुक मन्त्रिपरिषदक बैसारमे सरकार सञ्चालन, शीतलहर आ अहिसँ परल असरके बिषयमे सेहो बिमर्श भेल मुदा आरो कोनो निर्णय नहि भेल प्रेस सल्लाहकार यादव बतौलनि ।

लडाकु व्यवस्थापन करय माओवादीके दबाब


काठमाडौ, पुस १२ । प्रमुख विपक्षी कांग्रेस, एमाले वर्गीकरण कएलगेल लडाकुके व्यवस्थापन प्रक्रिया तत्काल शुरु कऽ जल्दिसँ जल्दि शिविर खाली करावय माओवादीके दबाब देलक अछि ।

ओसब स्वैच्छिक अवकाशमे जाएबलाके तत्काल बिदाइ प्रक्रिया करय, समायोजन चुननेसबके नेपाली सेनाके आ पुनःस्थापना चुननेसबके शान्ति मन्त्रालयके जिम्मा लगावय सरकार आ माओवादीके दबाब देलक अछि ।

शान्ति मन्त्रालयमे काल्हि बैसल प्रमुख तीन दलक शीर्ष बैसारमे विपक्षी दलक नेतासब वर्गीकरणके बाद शान्ति प्रक्रियाके काम ठप्प भेलमे आपत्ति जनबैत तत्काल विशेष समितिक बैसार राखि कऽ प्रक्रिया सुरु करय प्रधानमन्त्रीसँग आग्रह केलक अछि । ओसब शान्ति प्रक्रिया सेहो आगु नहि बढयके आ संविधान निर्माण प्रक्रियामे सेहो अवरोध अएलासँ राजनीतिक दुर्घटना होवय सकत कहैत माओवादीके गम्भीर होवय ध्यानाकर्षण करौलक अछि ।

टेलिभिजन प्रस्तोता मार्टिनके मस्ती

एकटा एहनो केक ?









बज्राचार्य हत्यामे संलग्न थप दु गिरफ्तार


१२ पुस, काठमाडौँ । ललितपुरके पुल्चोकस्थित गुणः ज्यासः दोकानमे कार्यरत जुजुकाजी बज्राचार्यके हत्यामे संलग्न थप दु गोटेके गिरफ्तार कएलगेल अछि ।

गिरफ्तार होवयबलामे राजन साह आ जितेन्द्र श्रेष्ठ रहल पुलिस जनौलक अछि । साह कैलालीके धनगढी आ श्रेष्ठ काभ्रेके साँगासँ गिरफ्तार भेल अछि । ओकरा दुनुके काठमाडौँ पुलिस कार्यालयमे राखलगेल अछि ।

 पुलिस अहिसँ आगु हत्यामे संलग्न भारत मोतिहारीके राजेश साहके किछ दिन आगु गिरफ्तार केने छल । बज्राचार्यके बितल कात्तिक २६ गते दोकानेमे रहल समय हात पैर बान्हि कऽ हत्या कएलगेल छल । हत्यामे संलग्न दु गोटे अखनो  फरार अछि ।

डाँकुके प्रतिकारमे मृत्यु भेलके शव परिवार बुझलक


१२ पुस, सिरहा । पुलिसक दबाबम सिरहाक बेल्हा गाविस-३ म हतियारधारी लुटेरा समूहक प्रतिकारक क्रमम मृत्यु भेल १६ वर्ष सुरेश साहक शव परिवारजन बुझलक अछि

ओकर शव सिरहा जिल्ला अस्पतालसँ लऽ जा क इए दाह संस्कार कएल गेल पारिवारजन जनौलक अि । पीडितक परिवारजन मृतकक बाबु रघुनाथ साहके पुलिस काल्हिए साँझ दबाब दऽ क शव बुझने कहैत पत्रम हस्ताक्षर करौने आरोप लगौलक अछि

अहिसँ आगु घटना छानविनके लेल न्यायिक आयोग गठनक माग राखि क परिवार शव बुझय नहि मानने छल । हतियारसहित १५/२० गोटेके संख्याम आए हतियारधारी डाँक समूहक प्रतिकार करयके क्रमम डाँक समुहक गोली लागि कऽ साहक बि पुस ६ गते राति मृत्यु भेल छल

facebook Page Like

  • मनोरँजन