Thursday, August 07, 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे फेउरसँ दोसर पहाड खसयके सम्भावना, सुनकोशीके रुकावट खोलयके प्रयास जारी


साउन २२ गते, सिन्धुपाल्चोक, ब्रम्हानन्द ठाकुर । सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनाके एक सप्ताह नहि बितैत फेउरसँ दोसर पहाड ढहयके खतरा बनल अछि ।
ई दोसर पहाड पहिने खसल ठामक माँखा गाविसके ५ नम्बर वडामे खसके सम्भावना रहल विज्ञसभ जनौलक अछि । ई पहाड ढहलाक बाद माँखा गाविसके वाड नम्बर ४ के १८ टा घर पुर्णरुपसँ डुबिजेबाक खतरा बनल स्थानिय प्रमुख जिल्ला अधिकारी गोपाल प्रसाद पराजुली जानकारी देलन्हि अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे बेपत्ता रहल कुल १२३ गोटेके मृत मानिकऽ स्थानिय प्रशासन राहत प्रक्रिया आगु बढाचुकल अछि ।
घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ घर दहागेलसभके प्रति घर ५ हजार आ घाईलसभके ईलाजक पुर्जीके हिसाबसँ राहत वितरण कएल जा रहल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सिन्धुपाल्चोक सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जानकारी देलन्हि अछि । एम्हर उद्धोग बाणिज्य सँघ सिन्धुपाल्चोक राहत वितरणके लेल कुल ४८ लाख रुपैया स्थानिय बासी ब्यापारी आ कार्यालयसभसँ सँकलन कएने अछि तऽ सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारीके अध्यक्षतामे गठन भेल राहत वितरण टोली कुल ९१ लाख नगद सँकलन कएने अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउके पानिऽ बान्हके उपरसँ बहितो पुरा पानिकऽ निकास अखनोधरि होबऽ नहि सकल अछि । पुर्ण रुपसँ पहिने जका होबयमे अखनो एक हप्ता लागत उद्धारमे सँलग्न सेनाके कहब अछि । ओना बिच बिचमे सेना बम बिष्फोट क निकास देबाक प्रयासमे लागल बताओल गेल अछि । आइयो नेपाली सेनासभ ओईठाम बिष्फोट कऽ नदी खुलाबऽके प्रयासके निरन्तरता देत जानकारीमे आएल अछि । पहाड ढहिकऽ नदीमे बडका चटान खसलास बिष्फोटमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेनाक कहब अछि । बान्ह करिब ५०० मिटर उँच रहलाक कारण ओईठाम तलाउ जेहन अवस्था रहल अछि आ नदी खुलाबऽमे समय लागिरहल जनाओलगेल अछि । स्थानिय प्रशासन १२३ गोटेके बेपत्ता रहल सुचिमे राखि तत्काल राहत बितरण कऽ रहल अछि । अखनधरि ओईठाम ३४ गोटेके शव भेटचुकल अछि । अखन एक्साभेटर आ डोजरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके आ मृतकसभके खोजबाक काज कएल जारहल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि ।
तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ अरनिको राजमार्गके करिब डेढ किलोमिटर सडक दहागेलासँ कोदारी नाका बन्द भेल अछि । जाहि कारण नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक प्रयास भऽ रहल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

सुनकोशी नदी घेराएलाबाद ७ टा जलबिद्धुत आयोजनासँ होइत आएल ६७ मेगावाट बिद्धुत उत्पादन सेहो ठप्प भेल नेपाल विद्युत प्राधिकरण जनौलक अछि । जाहि कारणसँ थप डेढ घण्टा लोडसेडिङ बढ सकबाक प्राधिकरण जनौलक अछि । जिल्लाके ५५ गाविसमे विद्युत् आ टेलिफोन लाइन बन्द भेल अछि तऽ काठमाडौँसँ खासाधरि ओछयाओल अप्टिकल फाइभरके लाइन सेहो खराब भेल बताओलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन