Monday, April 18, 2011

संविधानसभाक म्याद कोनो हालतमे थपय नहि देबः मधेस क्रान्ति फोरम


काठमाण्डौ, बैशाख ५ । मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकसँ विद्रोह कऽ सभासद सन्जय साह गठन केने मधेस क्रान्ति फोरम नेपाल संविधानसभाके म्याद फेउर कोनो  हालतमे थपय नहि देब स्पष्ट केलनि अछि ।
ओ पार्टी आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँ भेट कऽ ज्ञापन पत्र बुझबैत इ स्पष्ट केलनि अछि । ज्ञापन पत्रमार्फत ओ पार्टी जवरजस्ती संविधासभाक म्याद थपलगेल त ओकर कडा प्रतिरोध करबाक चेतावनी सेहो देलक अछि । ज्ञापनपत्रमार्फत ओ पार्टी समग्र मधेस एक प्रदेश होबयके, कार्यकारी प्रमुखके निर्वाचन जनताद्धारा प्रत्यक्ष रुपमे कराबयके, जनसंख्याके आधारमे निर्वाचन क्षेत्र कायम करयके, नेपाली सेनामे मधेसीके समूहगत प्रवेश कराबयके,  भ्रष्टाचारी आ हत्याराके मृत्यू दण्डक ब्यवस्था करयके,  पूर्ण समानुपातिक निर्वाचन प्रणाली कायम करयके, प्रमुख जिल्ला अधिकारके चयन यूवासबहक प्रत्यक्ष प्रतिष्पर्घा मार्फत कराबयके सर्त रखैत सहज ढँगस नागरिकता देबय परत स्पष्ट केने अछि । ओ अपन माँगके बेवास्ता कएलगेल त कडा आन्दोनल करबाक चेतावनी सेहो देने अछि ।

युद्धमे घुरबाक मनसाय नहि अछिः भट्टराई


काठमाडौं, वैशाख ५ । माओवादी उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई शान्ति प्रक्रिया छोडिकऽ युद्धमे घुरबाक मनसाय नहि रहल बतौलनि अछि ।
'शान्ति प्रक्रियामे आबिगेलाक बाद अहिके पूर्णता देबय परत,' पत्रकार जगत नेपालद्वारा लिखित स्व. गिरिजाप्रसाद कोइरालाके 'आफ्नै कुरा' नामक पुस्तकबारे आइ राजधानीमे टिप्पणी करैत भट्टराई कहलनि जे, 'आब इ प्रक्रियाके छाडिकऽ फेउर युद्धदिस जाएके हमरसबहक  कोनो मनसाय नहि अछि ।'
सैद्धान्तिकरुपमे जनविद्रोहके नीतिमे रहितो व्यवहारिकरुपमे ओ सम्भव नहि रहल भट्टराईक कहब छलनि । ओ जनविद्रोहके पार्टी नीतिप्रति आशंका नहि करय आग्रह करैत कहलनि जे, ' हमर  व्यक्तिगत विचारमात्रे नहि अछि , पार्टीके आधिकारिक धारणा अछि ।'
संविधान निर्माण आ शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबय राष्ट्रिय सरकारक आवश्यकता रहल बतबैत ओ सहमतीय सरकार हाएत त संविधानसभाके म्याद थप काएल जा सकैय बतौलनि । एमाले प्रचार विभाग प्रमुख प्रदीप ज्ञवाली जेठ १४ आगुए संविधानक प्रारम्भिक मस्यौदा लाबय परत बतौलनि ।
तहिना,  कांग्रेस केन्द्रीय सदस्य शेखर कोइराला कोनो शक्तिके अलग कऽ शान्ति प्रक्रिया पूरा होबय नहि सकत बतौलनि ।

पत्रकार महासंघक चुनाव रोकय सर्वोच्चमे रिट


५ वैशाख, काठमाडौं । नेपाल पत्रकार महासंघक चुनाव रोकयके माँग करैत सर्वोच्चमा रिट दायर कएलगेल अछि ।
महासंघ काठमाडौँ शाखामे चुनाव भेलासँ गैरकानुनी तरिकासँ भेल जनबैत ओ विवाद नहि समाधान होबयधरि महासंघक चुनाव रोकयके माँग करैत पत्रकार राकेश आ पूर्ण कार्की रिट दायर कएने छथि । रिटमे नेपाल सरकार गृहमन्त्रालय, जिल्ला प्रशासन कार्यालय काठमाडौं, पत्रकार महासंघ काठमाडौँ शाखा, पत्रकार महासंघ केन्द्रीय कार्यालयके विपक्षी बनाओलगेल अछि ।
रिटमे पत्रकार महासंघ काठमाडौं शाखाके चुनाव भेल समय नेपालेमे नहि रहल पत्रकारसबहक मनोनयन पत्रमे प्रस्तावक आ सर्मथक बनाकऽ मनोनयनपत्र दाखिल कएलगेल आ वायह अनुरुप चुनाव भेल, एकएक गोटे प्रस्तावक सर्मथक होबय चाहीमे नियम विपरित तीनतीन गोटे प्रस्तावक सर्मथक राखलगेल कहैत ओ चुनाव पत्रकार महासङ्घक विधान विपरित भेल आरोप लगाओलगेल अछि । रिटमे काठमाडौं शाखाके चुनाव विषयमे ध्यानाकर्षण कराबय गेला पर महासंघ बेवास्ता केने आ गैरकानुनी तरिकासँ सम्पन्न भेल काठमाडौं शाखाके चुनावसँ सेहो मान्यता पौअलासँ काठमाडौँ शाखाके चुनाव बदर करय आ पत्रकार महासंघक चुनाव समेत रोकयके माँग कएलगेल अछि ।

सूद आरो ६ महिना नेपालमे रहताह


५ वैशाख, काठमाडौं ।ाह महिना अर्थात अप्रिल २०११ म म्याद समाप्त होइतो नेपालक लेल भारतीय राजदूत राकेश सूद कम स कम ६  महिना आरो नेपाल रहताह जनाओलगेल अछि
नेपालक लेल नयाँ राजदूतम नियुक्ति करब कहलगेल जयन्त प्रकाश जल्दिए अवकास पाबय लगलासँ नयाँ राजदूत नियुक्ति नहि होबयधरि सूद रहबाक लगभग पक्का रहल भारतीय दूतावास निकट स्रोत जनौलक अछि
राजदूत नियुक्ति प्रक्रियामे करिव २ महिना लगलासँ सेहो करिव महिनाक लेल जयन्त प्रकाशके नियुक्त करयके सम्भावना नहि रहल स्रोतक दावी अछि । जयन्त प्रकाश उमेर हदक कारण आबके करिव ८ महिनाम अबकास पाबिरहल छथि
भारतक संस्थापन पक्ष माओवादीके साइजम लाबय नेपालम भारतीय हित प्रवर्द्धन करय सूद बहुत पैघ भूमिका खेल्ने निष्कर्ष निकाल्ने स्रोतक दावी ि
एम्हर सुदके कारण  नेपालम भारतविरोधी भावना बढय सकयके सेहो भारतके चिन्ता लागल अछि ।

नवनिर्मित परिक्षा भवनक उदघाटन

जलेश्वर, वैशाख ५ गते । लोकसेवा आयोग जनकपुर अंचल कार्यालय जलेश्वरके प्राङ्गण भितर निर्माण कएलगेल नवनिर्मित परिक्षा भवनके उदघाटन आइ एक समारोहके बीच आयोगक कार्यवाहक अध्यक्ष डा यो देवी यमी कएलिह अछि ।
कार्यालयके प्राङ्गण भितर एक कोठली परिक्षाभवन निर्माण कएलगेल अछि । १० लाख ४७ हजार ६३ रुपैयाके लागतमे ओ भवनक निर्माण भेल आयोगक जनकपुर अंचल कार्यालयके निमित्त प्रमुख दिनेशचन्द्र साह जानकारी देलनि ।
उदघाटन कार्यक्रममे प्रमुख अतिथीक आसनसँ बजैत कार्यवाहक अध्यक्ष यमी नेतासभ प्रति व्यंग्य करैत नेता बनय सेहो लोकसेवा परिक्षा लित तऽ निक होइत धारणा रखलिह । ओ अप्रत्यक्ष रुपमे देशके स्थिती नेतासभ विगारने बतबैत कहली जे आब नेता बनय लोकसेवा पास करय परत ।


वायह कार्यक्रममे आयोगक सदस्य राजेन्द्र प्रसाद शाह कर्मचारीसभहक प्रवृति निके ठाममे जाएके, निके मन्त्रालय चुनयके रहलासँ लोकसेवा आयोगमे जेनाइ कर्मचारीसबहक लेल सजाय जेहन भेल धारणा रखलनि । ओ अइ कार्यालयमे काम करय बाहेक कहि कतौकसँ तरका कमाइ नहि भेलासँ कर्मचारीसभ अइ कार्यालयमे आबय सजाय जेहन मानिरहल दावी कएलनि ।
जनकपुर अंचल कार्यालय जलेश्वरक निमित्त प्रमुख दिनेश प्रसाद साहक अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे लोकसेवा आयोगक प्रशासन शाखा प्रमुख उपसचिव टिकाराम ज्ञवाली, प्रमुख जिल्ला अधिकारी तेजप्रसाद पौडेल सहितक वक्तासभ अपन अपन मन्तव्य रखने छलथि ।

१० लाख फिरौती माँग, तीन गोटे अपहरणकारी गिरफ्तार

जलेश्वर, वैशाख ५ गते । महोत्तरीके बलवासँ अपहरणमे परल एक व्यवसायीके परिवारजनसँ अपहरणकारीसभ १० लाख फिरौतीके माँग केलक अछि ।
४ दिनस अपहरणमे परल महोत्तरी बलबा -५ के रामगुलाव साहके सुरक्षानिकाय अपहरण मुक्तिके लेल प्रयास कऽरहल समयमे अपहरणकारी अपहरणमुक्तिके लेल अपहरितके घरमे फोन सम्पर्क कऽ १० लाख फिरौतीके माँग केलक अछि ।
वैशाख २ गते राति घरेस अपहरणमे परल साहके परिवारजन संग अपहरणकारी अपनाके जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा ज्वाला समुहक महोत्तरी धनुषा ईन्चार्ज वतबैत ९८ ४४१ २७ २६४ नम्वरक मोवाईलसँ फोन करैत फिरौतीके माँग केने परिवारजन बतौलनि अछि । अपहरित साहके भाई उपेन्द्र साहके फोन करैत अपहरणकारी १० लाख रुपैयाक माँग केने अछि । एम्हर अपहरणकारी फिरौती नहि भेटल त भैयाके जानसँ मारयके धम्की समेत देने अपहिरतके भाइ जानकारी देलनि अछि ।
अपहरित साहक बेटीके जनकपुरमे वियाहक बात चलिरहल अवस्थामे अपहरण केने आ तत्कालके लेल वियाहक बात समेत रुकल भाई उपेन्द्र बतौलनि अछि ।
अहिबीच, पुलिस अपहरणमे संलग्न रहल आशँकामे ३ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे बलवा -५ के रामबहादुर यादव, रामएकवाल यादव आ वलवा ४ के रामश्रेष्ठ यादव रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।
अपहरित साह बलवा बजारमे धान चाउर आ माछक ब्यवसाय करैत आएल छलथि । साह सर्वसाधारण जन्ता सं कडा ब्याज लऽ ऋण दऽ गरिव असहाय जनताके ठकने आरोप लगबैत जनतान्त्रिक तराई मुक्ती मोर्चा ज्वाला समूह शुक्रके राति हुनकर अपहरण केने जिम्मा लेने छल ।
मोर्चाके हनुमान विद्रोहीके नेतृत्वमे गेल एक समुह साहके अपने घरमे सुतल अबस्थामे घरसँ वाहर बजाकऽ अपहरण कऽ लगेल छल । हुनकर अवस्था अखनो अज्ञात रहल अछि । मोर्चाक महोत्तरी धनुषा ईन्चार्ज जीवन त्यागी साचारकर्मीके टेलिफोन कऽ घटनाके जिम्मा समेत लेने छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन