Wednesday, August 24, 2011

पुलिसद्वारा लाठीचार्ज आ ६ सेल अश्रुग्यास प्रहार

नेपालगन्ज, भादव ७ । दुघर्टनामे मृत्यु भेल स्थानीय महिलाके परिवारके क्षतिपूर्तिके माँग करैत आइ भिन्सरेसँ बाँकेके खजुरामे भेल चक्काजाम खुलाबय गेल पुलिस आ स्थानीय बासीबिच झडप भेल अछि । पाथर फेकाफेकमे ६ गोटे स्थानीय बासी आ किछ पुलिस घाइल भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि ।

स्थानीय बासी काल्हि नेपालगन्जके गणेशमान चोकमे ट्रकसँ पिचाकऽ मृत्यु भेल स्थानीय सीता गुरुङके परिवारके उचित क्षतिपूर्ति आ दोषीउपर कारबाहीके माँग करैत भिन्सरेसँ नेपालगन्ज-गुलरिया सडक खण्ड अबरुद्ध केने अछि । दुतर्फी झडपके स्थिति उत्पन्न भेलाबाद ६ सेल अश्रुग्यास आ लाठी चार्ज करय परल प्रहरी नायव उपरीक्षक उदय तामाङ बतौलनि । झडपमे घाईल भेल तीन सर्वसाधारणके नेपालगन्जस्थित शिक्षण अस्पताल पठाओलगेल पुलिस जनौलक अछि ।

काल्हि भारतके झारखण्डसँ कोईला आनि रहल भारतीय ट्रक गुरुङके पिच्ने छल । सख्त घाईल भेलाबाद इलाजक लेल ल जातिकाल मृत्यु भेल छल । ट्रक जिल्ला प्रहरी कार्यालयके नियन्त्रणमे अछि ।

पाँच बजेबाद देउवा प्रधानमन्त्रीक उम्मेदवार नहि रहताह


काठमाडौ, भादव ७ । पूर्व सहमति अनुसारे काँग्रेस नेता शेरबहादुर देउवा आइ पाँच बजेबाद प्रधानमन्त्रीक दावी छोडयबला छथि । सहमति जुट्यके संभावना नहि रहलाबाद ओ बहुतीय सरकारक नेतृत्वमे दावी नहि करताह ।

राष्ट्रपति रामवरण यादव थप केने राष्ट्रिय सहमतिके सरकार निर्माण करयके तीन दिना समयावधि आब किछुए घण्टामे समाप्त भऽरहल अछि । आइ साँझ ५ बजेधरिमे सहमति निर्माण नहि हाएत तऽ नेता देउवा अपने प्रधानमन्त्री उम्मेदवारके दौडसँ हटल घोषणा करयके हुनका निकट एक केन्द्रीय सदस्य बतौलनि अछि ।

देउवा पक्षीय केन्द्रीय सदस्य प्रकाशशरण महत सेहो सहमतिके लेल अन्तिम प्रयास भऽरहल कहैत ५ बजेधरि राष्ट्रिय सहमतिके बाट नहि खुजत तऽ देउवा बहुमतीयके लेल उम्मेदवार नहि रहयके संकेत देलनि ।

अमरीकामें ५.८ के तीव्रताके भूकंप


अमेरिका, भादव ७ । अमरीकाके पूर्वी क्षेत्र वर्जीनियामें ५.८ तीव्रताके भूकंप आएल अछि ।

भूकंप के केंद्र वर्जीनिया होइतो अहिके झटका वॉशिंगटनमें सेहो महसूस कएलगेल छल । जतय अमरीकी रक्षा विभागके पेंटागन कार्यालयके ख़ाली करओलगेल छल । भूकंपके झटका न्यूयॉर्कमें सेहो महसूस कएलगेल छल ।

केंद्रीय अधिकारीके अनुसार भूकंपके केंद्रके नज़दीक़ रहल २ टा परमाणु रिएक्टरके बंद कएल गेल छल मुदा कोनो प्रकारक क्षति नहि भेल अछि ।

अमरीकी भूगर्भ सर्वेक्षणके अनुसार भूकंप वॉशिंगटनस १३५ किलोमीटर दक्षिण पश्चिममें ज़मीनस ६ किलोमीटर निचा आएल छल ।

जमिन बाँझ राखयबलाके तीन वर्ष कैद

७ भादव, काठमाडौँ । सरकार खेतीयोग्य जमिन लगातार तीन वर्षधरि बाँझ राखयबलाके तीन वर्षधरि कैद आ उच्चतम कर लगाबयके तयारी केलक अछि ।

भूमिसुधार मन्त्रालय तयार केने राष्ट्रिय भूउपयोग्य नीतिके मस्यौदामे खेतीयोग्य जमिन बाँझ नहि राखयके व्यवस्था अछि । दीर्घकालीन रुपमे भूमि व्यवस्थापन करय तयार कएलगेल नीतिके मस्यौदाके आसिन मसान्तधरिमे पारित कऽ कार्यान्वयनमे लाबयके तयारी मन्त्रालय कऽरहल अछि ।

पछिला समयमे कृषियोग्य जमिन आवास तथा औद्योगिक प्रयोजनमे उपयोग करयके क्रम बढलाबाद नीति तयार कएलगेल राष्ट्रिय भूउपयोग नीति तर्जुमे कार्यसमितिके सदस्य सचिव कलाधिनि पौडेल बतौलनि ।

मस्यौदामे बिमर्श कऽ निर्णय करय राष्ट्रिय योजना आयोगक उपाध्यक्ष डा.दिनेशचन्द्र देवकोटाके संयोजकत्वमे राष्ट्रिय भूउपयोग परिषद् सेहो गठन कएलगेल अछि । मस्यौदाके अधिकांश व्यवस्थामे सहमति भऽ चुकल अछि ।

सेक्सी डिम्पल मोडेल










सेक्सी डिम्पल -मोडेल




गुणस्तरीय नोट उपलब्ध कराबऽ लेखाके निर्देशन

काठमाण्डौ, भादव ७ । व्यबस्थापिका संसदके सार्बजानिक लेखा समिति प्लाष्टिकके नोट छपाइके क्रममे भेल अनियमितताके विबरण एक महिना भितर पेश करय अर्थ मन्त्रालय आ नेपाल राष्ट्र बैंकके निर्देशन देलक अछि ।

समितिके आजुक बैसारमे अर्थमन्त्रालय आ राष्ट बैकके अधिकारीसंग भेल बिमर्शक बाद छपाइ सम्बन्धी विबरण उपलव्ध कराबय निर्देशन देने समिति सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि । नोट छपाइके क्रममे अनियमिता भेल सम्बन्धमे समिति चाँखि रखैत आगामी दिनमे गुणस्तरिय नोट छपाबय तथा आपूर्ती सहज करय कहलक अछि ।

समिति बैसारमे राष्टबैकके गर्भनर डा युवराज खतिवडा कागजी नोटसँ प्लाष्टिक नोटके आयु ४ गुना बेसी भेलासँ प्रयोग स्वरुप दश रुपैयाके नोट छपाओल गेल बतौलनि । साफ नोट अभियान संचालन करयके राष्टबैकके नीति अनुसार प्लाष्टिकके नोट छापयके निर्णय कएलगेलासँ ओइके नियत गलत नहि रहल दावी कएलनि । बैसारमे सभासदसब सर्बसाधारणके पहुँचमे रहयबला कम दरके नोटमे प्लाष्टिक प्रयोग केनाइके औचित्य पुष्टि करयके माँग केने छलथि । साथे ओसब नोट छपाइके क्रममे एजेण्टके देलगेल दु प्रतिसत कमिसन बहुत बेसी भेल बतौने छलथि ।

सत्ता या शहादतः लिवियाली शासक गद्धाफी


लिबिया, भादव ७ । गृहयुद्धसँ ग्रसित लिबियाके शासक कर्णेल मुअम्मर गद्धाफी सरकारी लडाकुसबके नेटो सैन्य विरुद्धके लडाईमे जीत या शहादत मेसँ कोनो एकटा हासिल हाएत बतौलनि अछि ।

एक स्थानीय रेडियो स्टेशनमे देने भाषणमे कर्णेल गद्धाफी अपन निवास स्थानसँ रणनीतिक तरिकासँ बाहर आएल बतौने अल उरुवा नामक गद्धाफी समर्थक टेलिभिजन च्यानल जनौलक अछि । टेलिभिजन च्यानल सरकारक प्रवक्ता मूसा इब्रमहिमसँग लेने टेलिफोन अन्तर्वार्तामे प्रवक्ता मूसा लिबिया विद्रोहीसबबीच ज्वालामुखी भऽ बिष्फोट होबयके चेतावनी देलनि अछि ।

अहिबीच सत्ता परिवर्तनके लेल संघर्षरत लिवियाके विद्रोही सैनिकसब राजधानी त्रिपोलीमे रहल कर्णेल गद्धाफीके निवास स्थान बाब–अल अजीजिया परिसरमे प्रवेश करय सफल भेल अछि । विद्रोही सैनिकसब बाब–अल अजीजिया परिसरमे रहल कर्णेल गद्धाफीके एकटा मुर्ति तोडफोड कऽ पैरसँ पिच रहल दृश्यसब टेलिभिजनमे देखाओलगेल बिबिसी जनौलक अछि । विद्रोही परिसरमे रहल स्वर्ण रंगके मुठ्ठीमे अमेरीकी लडाकू जहाजके पकडने संरचनाके सेहो तोडफोड केलक अछि ।

विद्रोही सैनिकसब सरकारी सेनाके भवन, कर्णेल गद्धाफीके मुख्य निवास आ विभिन्न सरकारी कार्यालय रहल बाब–अल अजीजिया परिसरके कब्जामे लेने बिबिसी जनौलक अछि । गद्धाफी शासनके लगभग अन्त्य भऽ गेलाक बादो विद्रोहीसब कर्णेल गद्धाफी आ हुनकर परिवारक सदस्यके गिरफ्तार नहि करयधरि जीतके खुशीयाली नहि मनाएब बतौलक अछि ।

दाङके तुल्सीपुरमे पुरुषक मृत शरिर भेटल

दाङ, भादव ७ । दाङको तुल्सीपुरमे आइ एकटा पुरुषके शव भेटल अछि ।

तुल्सीपुर नगरपालिका ५ प्रगतिशिल टोलके शशिराम खड्का मृत अवस्थामे भेटल पुलिस जनौलक अछि । ओ तुल्सीपुरके सल्यान वस काउन्टरके भवन लग मृत अवस्थामे भेटल ईलाका प्रहरी कार्यालय तुल्सिपुरके प्रहरी निरीक्षक जिवन वुढाथोकी जानकारी देलनि अछि ।

साँपके कटाइसँ बालकके मृत्यु

रौतहट, भादव ७ । रौतहटमे साँपके कटलासँ बितलराति एक वालकके मृत्यु भेल अछि ।

स्थानिय वसबिटी जिगडिया ९ रहनियार नागेन्द्र साहके १२ वर्षक बेटा दिलिप साहके घरमे खेलरहल समयके विषधर साँप कटने छल । साँपके कटाइसँ बेमार भेल दिलिपके इलाजक लेल गौर अस्पतालमे लजाएके क्रममे मृत्यु भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा जनौलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन