Thursday, November 18, 2010

नेपाली काँग्रेस बर्दियाके कार्यकर्ता दलबहादुर गुरुङके हत्याके बिरोधमे काँग्रेस आइस अनिश्चितकालिन बर्दिया जिल्ला बन्दक आह्ावान केने अछि ।

काँग्रेस बर्दियाक क्षेत्र नं। ३ के कोषाध्यक्ष गुरुङके हत्याराके कडा कारबाही मृतकके शहिद घोषणा सुरक्षाके प्रत्याभुति सहितक माँग करैत काँग्रेस आइस अनिश्चितकालिन जिल्ला बन्दक आह्ावान केने अछि ।

बनदक कारण भिन्सरेस यातायात शिक्षण सँस्थान बजार आ कल कारखाना पुर्ण रुपमे ठप्प रहल अछि ।

गुरुङके बितल सोमक राति सानोश्रीमे दबिया प्रहार क हत्या कायल गेल छल । घटनाके अनुसन्धानक लेल ताराताल गाबिस १ के धिरज चौधरी आ बिजय बिक वाइसिएलक कार्यकर्ता मेवालाल गौतम आ गाबिसक कर्मचारी आनन्द सुनारके पुलिस नियन्त्रणमे लेने अछि ।

…………………………।

चितवनके कुमरोजमे बितल राति भेल ट्रयाक्टर दुर्घटनामे एक गोटे गँभीर घाइल भेल अछि ।

कुमरोज ७ सिसनी स्थित भितर सडकमे ना १ त ६४८१ नम्बरक ट्रयाक्टर उनटलास स्थानिय ध्रुव बिक गँभीर घाइल भेल अछि । माथमे चोट लागल बिकके इलाज चितवन मेडिकल कलेजमे भरहल अछि । बिक ट्रयाक्टरस पिचागेल छल ।

ट्रयक्टर आ चालक पुलिसक नियन्त्रणमे रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि ।

…………………………………………………………………

नेपाल बिद्यार्थी सँघ अनिश्चितकालिन तालाबन्दी केलाबाद पुर्वान्चल बिश्वबिद्यालयमे आइस शुरु होबयबला बिभिन्न सँकायके परिक्षासब स्थगित भेल अछि ।

छात्रबृति रकममे अनियमिततम भेल दाबासहित नेबिसँघ परिक्षा नियन्त्रण कार्यालय बाहेक डिनके कार्यालय परिक्षा ब्यब्स्थापन कार्यालयमे अनिश्चित कालिन तालाबन्दी केलक अछि । तालाबन्दीके कारण परिक्षा सँचालन करयके बाताबरण नै भेलास परिक्षासब स्थगित करय बाध्य भेल परिक्षा नियन्त्रण कार्यालय जनौलक अछि ।

चिकित्साशास्त्र सँकाय अन्तर्गत बिपिएन पहिल आ दोसर बर्ष बिपि एच पहिल दोसर आ तेसर बर्ष तथा बिएस्सी नसर्िङके पहिल दोसर आ तेसर बर्षक परिक्षा स्थगित भेल अछि ।

अहिना बिज्ञान तथा प्रबिधि सँकायके बिइ बायोमेडिकलके दोसर चारिम आ छठम सेमेस्टरके सब परिक्षासब सेहो स्थगित कायल गेल परिक्षा नियन्त्रण कार्यालय जानकारी देलक अछि । बिश्बबिद्यालय अगहन ४ आ ५ गते लेबयबला चिकित्साशास्त्रक सँकाय अन्तर्गतके प्रबेश परिक्षा सेहो स्थगित भेल अछि ।

………………………………।

मुख्य ३ दलबिच फेराफेरी सरकारक नेतृत्व करयके बिषयमे बहस तिब्र भेल अछि ।

किछदिन एम्हर होइत आएल गोप्य बैसारमे समग्र परिस्थितिके ३ चरणमे बिभाजन क एक एक चरणके सरकारक नेतृत्व करयके बिषयमे बहस होइत आएल अछि ।

शान्ति प्रकृया सँबिधान निर्माण आ शक्ति बाँटफाँटके बिषयमे प्याकेजमे सहमति जुटाबयके उद्येश्यस होइत आएल गोप्य बैसारमे एकिकृत नेकपा माओबादी आगु घुसकौने अध्यक्षात्मक प्रणालीके बिकलपमे नेकपा एमाले फेराफेरी सरकारक नेतृत्व करयके प्रस्ताब रखने अछि ।

श्रोतक अनुसार बैसारमे शान्ति प्रकृया आ सँबिधान निर्माण नै समाप्त होबय धरिके पहिल अबधि निर्वाचन तयारी करयके समयके दोसर अबधि आ नयाँ निर्वाचनके तेसर अबधि क ३ भागमे बाँटयके बात उठल अछि ।

……………………।



अपनासँगे बिना कोनो सल्लाह केने बजेट लाबय लागल कहैत नेकपा एमालेक सभासदसब आपत्ती जनौलक अछि ।

बजेटक बिषयमे परामर्श करय आइ भिन्सर सिँहदरबारमे बैसल एमाले सँसदिय दलक बैसारमे सभासदसब बजेट लाबय सँबिधान सँसोधनके निर्णय करय आगु अपनासबस परामर्श नै केलास आपत्ती जनौलनि अछि । सरकार काल्हि अन्तिरिम सँबिधानके नवम् बेर सँसोधन क ब्यबस्थापिका सँसदमे पेश करहल अछि । एमाले काल्हि सँसदमे अनिवार्य उपस्थिति होबय अपन सभासदसबके ह्वीप जारी सेहो केलक अछि ।

…………………………………॥



प्रधानमन्त्री आ अर्थमन्त्रालयके सचिव उपस्थित नै भेलाबाद ब्यबस्थापिका सँसद सार्वजनिक समितिके बैसार अनिश्चितकालके लेल स्थगित भेल अछि ।

आजुक बैसारमे प्रधानमन्त्री माधव कुमार नेपाल आ अर्थ सचिव रामेश्वर खनालके नेपाल वायु सेवा निगमके लेल नयाँ जहाज खरीद प्रकरणमे अनाबश्यक दबाब देने आ क्यासिनोस करौडो रुपैया राजश्व उठय नै सकयके कारणबारे पुछताछ करय बजाओल गेल छल । प्रधानमन्त्री आ अर्थसिचव काल्हि पेश होबयबला बजेटके तयारीके लेल ब्यस्त होबय परलास बैसारमे उपस्थित होबय नै सकल जानकारी बैसारमे पत्र पठाक जानकारी करौने छलथि ।

आजुक बैसारमे समितिक सदस्य एबम् बजेट खर्च आयोगक सँयोजक नारायण दाहाल प्रतिबेदन बुमुाैने छथि । प्रतिबेदनमे बैशाख १५ गते भितर सरकार बजेट लाबयके सहितक सुमुाब समेटल अछि । इ प्रतिबेदन सरकारके बुमुाओल जा चुकल अछि ।

………………………………………॥

कोहलपुर नेपालगँज सडकखण्ड अन्तर्गत बाँकेके गनापुर २ कोठारपुर लग बितलराति ट्रकक ठक्करस मोटरसाइकलमे सवार एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

नेपालगँजस कोहलपुरदिस जारहल ना २ ख ३३३२ नम्बरक ट्रक कोहलपुरस नेपालगँज आबिरहल अन टेस्ट मोटरसाइकलके ठक्कर देलाबाद बाँके शमशेरगँज ८ भिकरीपुर निबासी २४ बर्षक बिकास चन्द न्यौपानेके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय बाँके जनौलक अछि । ठक्कर देनिहार चालक आ ट्रकके पुलिस नियन्त्रणमे लेने अछि ।

अहिबिच बर्दियामे बितलराति मोटरसाइकल दुर्घटनामे परि एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । बर्दियाके धधवार स्थित पश्चिमस नेपालगँजदिस जारहल अन टेस्ट मोटरसाइकल अपनेस दुर्घटना भेलास टिटिहिरिया ८ के २२ बर्षक दिपक योगीके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

………………………






facebook Page Like

  • मनोरँजन