Saturday, October 01, 2011

दशमीक आइ चारिम दिन , मन्दिरसबमे भिड


१४ आसिन, जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीके आइ चारिम दिन जनकपुर सहितक नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे माता कुशमाण्डाके पुजापाठ कएल जा रहल अछि ।
पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ , उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा माता कुशमाण्डाके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल गेल अछि । 
अहिना आइए चौथी आ पञ्चमी तिथि परलासँ बेरियाक बाद माता पार्वतीक दोसर रुप स्कन्धा देवीके पुजा कएल जाएत । पुजा पाठ करय लेल भिन्सरेसँ जनकपुरक राजदेवी मन्दिर, बौद्धी माताक मन्दिर, जिरौमाइल , मुरली चौक , रामानन्द चौक सहितक स्थानमे भक्तजनसबहक भिड लागल अछि ।

अपने बाध्यताबश सरकार बनौने प्रचण्डक कहब


१४ आसिन, काठमाण्डौ । एकीकृत माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड अपने बाध्यताके कारण डा. बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वमे सरकार बनौने बतौलनि अछि ।
आइ राजधानीमे माओवादी निकट बुद्धिजीवीसब केने शुभकामना तथा चायपान कार्यक्रममे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड भट्टराईके नेतृत्वमे सरकार नहि बनौलासँ हुनकर दोष सब अपना माथा पर औलास वाध्यताबस सरकार बनौने बतौलनि । सरकार नहि बनलासँ सब दोष अपना माथा पर आबय सकलासँ केहनो भ क अपने सरकार बनौने प्रष्ट कएलनि ।
माओवादीक अवस्था अखन विचित्र रहल कहैत अध्यक्ष प्रचण्ड अपने समेत बुझय नहि सकल टिप्प्णी कएलनि । माओवादी सरकारोमे अछि, सडको पर अछि, अहिके नयाँ प्रयोगके रुपमे लेबय परतप्रचण्ड ब्यगँ करैत कहलनि । अध्यक्ष प्रचण्ड राजतन्त्रके अन्त्य, शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्ष आ संविधान निर्माण होइतेमे क्रान्ति सम्पन्न भेल मानल नहि जा सकैय बतौलनि ।
ओ नयाँ क्रान्तिके वातावरण निर्माणमे अपनेसब लागि परलासँ समस्या समाधान होबयमे आशावादी रहल बतौलनि । शान्ति प्रक्रियाके पुरा करय माओवादी हदैधरिके लचकता अपनौने कहैत अध्यक्ष प्रचण्ड सब पाटीके त्याग करय परतमे जोड देलनि । पार्टीभितर पहिनेके तुलनामे किछ फरक ढंगसँ विवाद रहितो माओवादी नहि फुटत हुनक दाबी छलनि 

facebook Page Like

  • मनोरँजन