Saturday, December 17, 2011

फोटो सँसार

वन्दक कारण राष्ट्रपति हेलिकप्टरसँ शितलनिवास घुरलाह बन्द भेल फिर्ता

२ पुष काठमाण्डौ । ललितपुरके गोदावरीस्थित सेन्टजेभियर्स स्कुलके वाषिर्कोत्सब कार्यक्रममे भाग लेवय गेल राष्ट्रपति डा रामबरण यादव वन्दक कारण हेलिकप्टरसँ शितल निवास घुरलनि अछि ।


नेपाली कांग्रेसक भातृ संस्था तरुण दल चितवनके अध्यक्षके निधनके बाद कांग्रेसक भातृ संगठन आकस्मीक वन्दक आहृवान कएलाबाद राष्ट्रपति यादब हेलिकप्टरसँ शितल निवास घुरलनि अछि ।



एम्हर पिटपाटसँ घाइल तरुण दल चितवनके अध्यक्ष शिवप्रसाद पौडेलके इलाजक क्रममे मृत्यु भेलाबाद नेपाली काङ्ग्रेस आह्वान केने नेपाल बन्दक असर सर्लाही, तनहुँ पोखरा आ गुल्मीमे सेहो परल छल ।



सर्लाहीके लालबन्दीमे आइ नेपाली काङ्ग्रेस समर्थित विभिन्न युवा सङ्गठनके युवासब टायर बारि कऽ राजमार्गमे चक्काजाम केलक अछि । नेवि सङ्घ सर्लाहीके उपसभापति विश्वामित्र रिजालके अगुवाइमे भिन्सर ११ बजेसँ १२ बजेधरि चक्काजाम कएलगेल छल । अहिना नुवाकोट आ पडोसी जिल्लाके जनजीवन सेहो ठप्प भेल छल ।



तहिना पोखरामे सेहो बन्दक पूर्ण प्रभाव परल अछि । बन्दक क्रममे पोखराके सभागृहचोकमे वन्दकर्तासब २ टा सवारीसाधन तोडफोड केलक अछि । ग १ ञ ३५३ नंवरक टुरिष्ट वस आ ग १ ज ४५५७ नंवरक माइक्रो वस के तोडफोड केलक अछि । पोखराके चिप्लेढुंगासँ २ गोटे वन्दकर्ताके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।



अहिबिच नेबिसँघद्धारा कएलगेल आजुक बन्दक आह्यवान ४ बजेसँ फिर्ता लेल गेल अछि ।

थाईल्याण्डके अपदस्थ प्रधानमन्त्री सिनावात्रा लुम्बिनीके भ्रमणमे

सम्झना शर्मा






२ पुष लुम्बिनि । थाईल्याण्डके अपदस्थ प्रधानमन्त्री थाक्सिन सिनावात्रा आइ बुद्धके जन्मस्थल लुम्बिनीके अवलोकन भ्रमण कएलनि अछि ।



ओ लुम्बिनीमे थाईल्याण्ड निर्माण केने थाई राजकीय बिहार आ मायादेवी मन्दिरमे पूजा पाठ सेहो कएलनि अछि । सिनावात्रा करीब दु घण्टा लुम्बिनीके अवलोकन भ्रमण आ पुजा पाठमे बितौने छलथि ।



सिनावात्राके आइए साँझ काठमाण्डु घुरवाक कार्यक्रम छन्हि ।


रौतहटमे ठण्डीसँ मृत्यु होवयबलाके सङ्ख्या ४

२ पुष, रौतहट । रौतहटमे ठण्डीसँ कठुवा कऽ मरयबलाके सँख्या ४ पहुँचल अछि ।




रौतहटके सन्तपुर मटिऔन गाविस–३ के ८० वर्षक वृद्धा निमुनिया देवी, पथराबुधराम गाविस–२ के ननकु कुम्हाल, गम्हरिया गाविस–६ लक्ष्मीपुर टोलके ४५ वर्षक श्याम ठाकुर आ धरमपुर गाविस–३ धनगढी टोलके ५५ वर्षक उपेन्द्र झाके ठण्डीसँ कठुवा कऽ मृत्यु भेल अछि ।



अहिना, आगि तापय लेल बारने घुरके आगि पसरि कऽ रौतहटके कटहरिया गाविस–८ के चुल्हाइ साहके मालजालक फुसके घर जरि कऽ नष्ट भेल अछि । जाड बढलाबाद रौतहट जिल्लाके सामुदायिक विद्यालयसब एक सप्ताहके लेल बन्द कएलगेल अछि ।



एम्हर बढैत ठण्डीके ध्यानमे रखैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी, जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी आ सशस्त्र सिमा सुरक्षा बल महोत्तरीके सहयोगमे जलेश्वरके नगरपालिका चौक, महादेव मन्दिर आगु, महेन्द्र चौक, मटियानी चौक सहितक चौकमे आगि तापय लेल ढेँगसबहक ब्यबस्था कएलगेल अछि ।

सुपर सिक्स क्रिकेट आइसँ जनकपुरमे शुरु

२ पुष जनकपुरधाम । “अपन विकेट लागु औषध विरुद्ध” नारा सहित जनकपुरमे आइसँ खुल्ला सुपर सिक्स क्रिकेट टुर्नामेन्ट सुरु भेल अछि ।




SM युथ स्पोर्टस क्लब जनकपुरक आयोजनामे जनकपुर चुरोट कारखानाके खेल मैदानमे पुस १० गतेधरि प्रतियोगिता हाएत आयोजक जनौलक अछि । ४३ टिमके सहभागिता रहल सुपर सिक्स एक सप्ताह चलत आ प्रत्येक दिन सात टा खेल हाएत जनाओलगेल अछि ।



आइ उदघाटन खेल सहित ६ टा खेल भेल अछि । विजेता टिमके नगद ७ हजार तथा ट्रफी आ उपविजेताके ४ हजार नगद तथा ट्रफी प्रदान कएल जाएत आयोजक जनौलक अछि । सुपर सिक्सके म्यान अफ द सिरीजके १० हजार मुल्य बराबरके ब्याट देल जाएत ।

फोटो सँसार

कम स कम १२० गोटेके मृत्यु

२ पुष फ़िलीपीन्स । फ़िलीपीन्समें एकाएक आएल भयंकर बाढ़ि के कारण कम स कम १२० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।


वाशी नामक समुद्री तुफ़ानके कारणसँ भेल भारी बर्षाके बाद इ बाढि आएल बताओलगेल अछि ।

स्थानीय सँचारमाध्यमके अनुसार फ़िलीपीन्सके दक्षिणमें स्थित मिंडानाओं टापु पर बेसी गोटेके मृत्यु भेल अछि । अहि टापु पर भारी बर्षातके बाद आधा रातिमे एकाएक बाढ़ि आबिगेल छल आ लोकसबके सुरक्षित स्थानदिस भागयके मौका तक नहि मिलय सकल छल ।

ओहिठामक सुरक्षाकर्मीक अनुसार ओ बाढिके कारण कतेकौ गोटे लापता अछि आ हज़ारों गोटे टापुके ऊंच स्थानदिस चलिगेल अछि । फ़िलीपीन्सके राष्ट्रीय आपदा प्रमुख बेनिटो रामोस कहलनि जे मिंडानाओमें मरयबलाके संख्या आओर बढ़ि सकैत अछि ।

कांग्रेसद्वारा परसु नेपाल बन्दक घोषणा

काठमाडौ, पुस २ । तरुण तल चितवन जिल्लाक अध्यक्ष शिव पौडेलके निधन होइते कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिक बैसल बैसारसँ हत्यामे सरकारी पक्षके संल्लनता रहल आरोप लगबैत ओइके विरोधमे परसु पुस ४ गते नेपाल बन्दक आव्हान समेत केलक अछि ।


सभापति सुशील कोइराला निवास महाराजगंजमे बैसल बैसारसँ घटनाके छानविन करय महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौलके संयोजकोत्वमे पाँच सदस्यीय छानविन समिति गठन सेहो कएलगेल अछि । समितिक सदस्यसबमे केन्द्रीय सदस्यसब कृष्णचन्द्र नेपाली, बालकृष्ण खाँड, चन्द्र भण्डारी, शंकर भण्डारी रहल अछि । अहिना,दोषी उपर कडा कारवाहीके लेल सरकारसंग माँग केलक अछि । पौडेलके शव यात्रा काल्हि चितवनमे कएल जाएत जनाओलगेल अछि ।

माओवादीसंगके वार्ताक बाद गठबन्धन मजबुत बनावय मोर्चा सहमत

काठमाडौ, पुस २ । सत्तारुढ माओवादी आ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा सरकारके आरो मजबुत बना कऽ आगु बढय सहमत भेल अछि । सरकार निर्माणक समय भेल ४ बुँदे सहमतिके कार्यान्वयन करैत सरकारके मजबुत बनावयके पक्षमे दुनु सहमत भेल अछि ।


प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे आइ भेल बैसारमे माओवादी ४ बुँदे कार्यान्वयनके प्रतिवद्धता जनौलाबाद सरकारप्रति असन्तुष्ट देखलगेल मोर्चा सकारात्मक भेल अछि । नेपाली सेनामे अलगे ईकाई बना कऽ मधेशी युवासबके भर्ना लेबयके, समावेशी विधेयक जल्दिए लावयके, नागरिकता समस्याके सम्बोधन करय सहितक विषयमे सत्तारुढ दु घटकबीच सहमति भेल अछि ।

४ बुँदे सहमति कार्यान्वयके लेल दुनु पक्षबीच भेल वार्ता सकारात्मक भेल मधेशी जनअधिकार फोरम(गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष जयप्रकाश गुप्ता जनौलनि अछि । अहिसँ आगु गुप्ता प्रधानमन्त्रीके काम कारवाही प्रति आपत्ति जनबैत मोर्चा गठबन्धनमे रहय नहि रहय बारेमे पुर्नविचार करय सकयके बतौने छल ।

बैसारमे प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई, माओवादी अध्यक्ष दाहाल तथा मधेशी जनअधिकार फोरम(लोकतान्त्रिक)के अध्यक्ष एंव उपप्रधानमन्त्री विजय गच्छदार, फोरम(गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष गुप्ता, तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर, तमलोपा-नेपालक अध्यक्ष महेन्द्र राय आ सदभावनाक अध्यक्ष राजेन्द्र महतो सहभागी छलथि ।

सेक्सी आइदा

कांग्रेस भातृ संस्थासँ नेपाल बन्दक घोषणा राजधानीमे विभिन्न ठाममे प्रदर्शन

२ पुस, काठमाडौँ । नेपाली काँग्रेसक भातृ संगठनसब विघटित तरुण दलक चितवन जिल्ला अध्यक्ष शिव पौडेलके हत्याक विरोधमे नेपाल बन्दक घोषणा केलक अछि ।




कांग्रेस निकट तरुण दल आ नेविसंघ पौडेल हत्याक विरोधमे नेपाल बन्दक आहृवान कएलगेल विघटित नेविसंघक अध्यक्ष प्रदीप पौडेल जानकारी देलनि । पौडेल राजधानी सहितक देशभरि प्रदर्शन करय कार्यकर्तासबके निर्देशन देने बतौलनि । बन्द घोषणासँगै ओकर प्रभाव सब ठाम देखल जाऽ रहल अछि । राजधानीके सडकसबमे यातायातक साधनसब ठप्प अछि तऽ दोकानसब सेहो बन्द भेल अछि ।

अहिबीच नेविसंघ सहितक भातृसंस्थासबहक अगुवाईमे राजधानीके विभिन्न स्थानमे प्रदर्शन सुरु भेल अछि । महाराजगञ्ज चोक आ काठमाडौँके विभिन्न कयाम्पस आगु एकेसाथ नेविसंघक कार्यकर्ता टायर बारि कऽ प्रदर्शन कऽ रहल अछि । प्रदर्शनकारी प्रधानमन्त्रीके राजीनामा आ पौडेलके सहिद घोषणा करयके माँग करैत नारावाजी केलक अछि ।

व्यक्ति हत्याके अभियोगमे पुर्पक्षके लेल थुनामे रहल पौडेल उपर बितल अगहन २० गते कैदीसबहक एक समूह आक्रमण कऽ गम्भीर घाइल बनौने छल । हुनक राजधानीके बाँसबारीस्थित न्यूरो अस्पतालमे इलाजक क्रममे आइ भिन्सर निधन भेल अछि ।

पाकिस्तानी अभिनेत्री विना मलिक बेपत्ता

२ पुष एजेन्सी । विभिन्न विवादके कारण सदिखन चर्चामे रहैत आएल पाकिस्तानी अभिनेत्री विना मलिक बेपत्ता भेल अछि । पछिला समयमे एक पत्रिकामे छापल नग्न तस्वीरके कारण विवादमे रहल विना काल्हिएसँ बेपत्ता भेल अछि ।


विना मलिकके बिजनेस म्यानेजर प्रतिक मेहता आ चलचित्र निर्माता हेमन्त मधुकर काल्हि भिन्सरेसँ विना मलिक सम्पर्क बाहर रहल जानकारी देलनि अछि ।

एक फिल्मके सुटिङके क्रममे गुडगाउँ गेल किछ समयके बादे विना बेपत्ता भेल बताओलगेल अछि ।

फिल्म ‘मुम्बइ १२५ किलोमिटर’के सुटिङके लेल गुडगाउँ गेल विना भिन्सर ५ बजे एक सट देने आ ओकरबाद सँ सर्म्पर्कवीहिन भेल निर्माता हेमन्त बतौलनि अछि ।

विना अपनाके SMS समेत नहि केने आ बिनाके मोबाइल स्विच अफ रहल हेमन्तके कहब अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन