Wednesday, October 05, 2011

नेपालक नक्सामे जिल्लासब


शुकरातीक बाद राष्ट्रिय सहमतिक सरकारः उपेन्द्र


१८ आसिन काठमाडौँ  मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव वर्तमान सरकार शुकरातीक बाद राष्ट्रिय सहमतिक सरकार गठन हाएत दाबी कएलनि अछि ।

विराटनगर-१८ स्थित अपने निवासमे आइ संचारकर्मीसबसँग बात करैत अध्यक्ष यादव स्वच्छ छवि भेल प्रधानमन्त्रीके आसपास राष्ट्रिय भ्रष्टसब रहलासँ सरकारप्रतिके जनविश्वास घटैत गेल बतौलनि । अदालत जन्मकैदके फैसला केने अपराधीके आममाफी तयारी कएल गेल कहैत ओ आपत्ति प्रकट कएलनि ।

देशके सुरक्षा करयके जिम्मेवारी पौअने रक्षामन्त्री स्वँय देश विखण्डन करयके अभिव्यक्ति दऽ कऽ सरकार प्रतिके जनविश्वास घटौने हुनक कहब छलनि । माओवादी शान्ति या उग्रवामपन्थी सैन्यवादी मेसँ कुन बाट चुनत से निर्णय करय नहि सकलासँ शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणकार्य गति लेबय नहि सकल स्पष्ट केलनि ।

ग्रीस में २४ घंटे हड़ताल


ग्रीस १८ आसिन । ग्रीसके सब सँ बड़का ट्रेड यूनियन एयर ट्रैफ़िक कंट्रोलर्स बिलत महिना सरकारके दिस सँ घोषणा भेल कटौतीके विरुद्ध २४ घंटे आम हड़ताल शुरू केलक अछि ।

एयर ट्रैफ़िक कंट्रोलर्सके हड़तालके कारण ग्रीससँ जाए बला आ आबयबला सब उड़ान रद्द कएल गेल अछि ।

सरकारी आ निजी दुनु क्षेत्रके कर्मचारी अहि हड़तालमें सहभागी भऽ रहल बताओल जाऽ रहल अछि । सार्वजनिक यातायात सेहो बन्द रहयके  आशंका कएल जाऽ रहल अछि तऽ  स्कूल बंद अछि आ अस्पतालमे  सिर्फ़ इमरजेंसी सेवा मात्रे सँचालनमे अछि ।

सोमालियामें मरयबलाके सँख्या बढल


सोमालिया १८ आसिन । सोमालियाके राजधानी मोगादिशू में भेल एक आत्मघाती बम हमलामें मृत्यु होबयबलाके संख्या बढि कऽ ७६ पहुँचगेल अछि तऽ घाइल भेल १५२ गोटे अखनो अस्पतालमे इलाज करा रहल अछि ।

अफ़्रीकी संघके शांति रक्षक किछ घाइलके सैनिक अस्पतालमें रेफर कऽ देने अछि । राष्ट्रपति शेख़ शरीफ़ शेख़ अहमद घटनास्थल पऽ पहुँच कऽ अवलोकन केलनि अछि ।

चरमपँथीक एक गोटे काल्हि एकटा सरकारी भवनमे बिष्फोटक पदार्थसँ भरल ट्रक लऽ जा कऽ ठोकरौला बाद एतेक सँख्यामे मृत्यु भेल अछि ।

थाईलैंडमें बाढ़ि सँ २०० गोटेके मृत्यु


थाईलैंड १८ आसिन । थाईलैंडमें जुलाईके मध्य सँ आएल बाढ़िमें अखनधरि २०० सँ बेसी गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
नदीमें पानिके स्तर बढि गेल अछि आ कृषि योग्य जमिनसब डूबि गेल अछि । अहि साल खेती पुर्ण रुपमे बर्बाद भऽ गेल अछि ।

दक्षिण पूर्व एशियामें रहल बीबीसी संवाददाताके अनुसार थाईलैंडके नयाँ प्रशासन जाहि किसिमसँ संकटके सामना केने अछि ओइके बहुत आलोचना भऽ रहल अछि ।

इटालियन पेस्तोल आ एघार राउन्ड गोलीसहित गिरफ्तार


ललितपुर आसिन १८ । ट्याक्सी लुटपाटके प्रयास कएनिहार एक युवकके इटालियन पेस्तोल आ गोलीसहित गिरफ्तार कएलगेल अछि । काठमाण्डौके बीएन्ड बी अस्पताल आगु रोकि कऽ राखल ट्याक्सी लुट्यके प्रयास केने गणेश कार्की पेस्तोल सहित गिरफ्तार भेल अछि ।

दार्चुला स्थायी घर रहल २३ वर्षक कार्की कोटेश्वरमे रहैत आएल छल । बितल राति साँढे १० वजे ओ ट्याक्सी लुटयके प्रयास केने छल ।

महानगरीय प्रहरी प्रभाग सात दोबाटोके पुलिस ओकरा नियन्त्रणमे लऽ ओकरासँग रहल पेस्तोल १ टा , ११ राउन्ड गोली आ म्यागजीन बरामद केने महानगरिय प्रहरी परिसर ललितपुर जानकारी देलक अछि।

युवतीके गर्दन रेत कऽ हत्या


सिराहा, आसिन १८ । सिरहाक गोविन्द्रपुर लग गर्दन रेत कऽ हत्या केने अवस्थामे एकटा शव भेटल अछि ।

ओ शव गोविन्दपुर-२ के बद्री रायके १३ वर्षक बेटी राधाकुमारी रायके रहल पुलिस जनौलक अछि । काल्हि बेरियामे घाँस काटय सर्रे नदी दिस गेल राधा साँझधरि घर नहि घुरलाबाद ओकर खोजतलास कएल गेल छल । खोजतलासके क्रममे ओकर शव स्थानीय नदी लग रहल धान खेतमे गर्दन रेत कऽ हत्या कएल गेल अवस्थामे भेटल छल ।

घटनाक कारण बारे पुलिस अनुसन्धान कऽ रहल जनौलक अछि ।

।। दुर्गा चालीसा ।।


नमो नमो दुर्गे सुख करनी। नमो नमो अंबे दुःख हरनी॥
निरंकार है ज्योति तुम्हारी। तिहूं लोक फैली उजियारी॥
शशि ललाट मुख महाविशाला। नेत्र लाल भृकुटि विकराला॥
रूप मातु को अधिक सुहावे। दरश करत जन अति सुख पावे॥

तुम संसार शक्ति लै कीना। पालन हेतु अन्न धन दीना॥
अन्नपूर्णा हुई जग पाला। तुम ही आदि सुन्दरी बाला॥
प्रलयकाल सब नाशन हारी। तुम गौरी शिवशंकर प्यारी॥
शिव योगी तुम्हरे गुण गावें। ब्रह्मा विष्णु तुम्हें नित ध्यावें॥

रूप सरस्वती को तुम धारा। दे सुबुद्धि ऋषि मुनिन उबारा॥
धरयो रूप नरसिंह को अम्बा। परगट भई फाड़कर खम्बा॥
रक्षा करि प्रह्लाद बचायो। हिरण्याक्ष को स्वर्ग पठायो॥
लक्ष्मी रूप धरो जग माहीं। श्री नारायण अंग समाहीं॥

क्षीरसिन्धु में करत विलासा। दयासिन्धु दीजै मन आसा॥
हिंगलाज में तुम्हीं भवानी। महिमा अमित न जात बखानी॥
मातंगी अरु धूमावति माता। भुवनेश्वरी बगला सुख दाता॥
श्री भैरव तारा जग तारिणी। छिन्न भाल भव दुःख निवारिणी॥

केहरि वाहन सोह भवानी। लांगुर वीर चलत अगवानी॥
कर में खप्पर खड्ग विराजै। जाको देख काल डर भाजै॥
सोहै अस्त्र और त्रिशूला। जाते उठत शत्रु हिय शूला॥
नगरकोट में तुम्हीं विराजत। तिहुँलोक में डंका बाजत॥

शुम्भ निशुम्भ दानव तुम मारे। रक्तन बीज शंखन संहारे॥
महिषासुर नृप अति अभिमानी। जेहि अघ भार मही अकुलानी॥
रूप कराल कालिका धारा। सेन सहित तुम तिहि संहारा॥
परी गाढ़ सन्तन पर जब जब। भई सहाय मातु तुम तब तब॥

आभा पुरी अरु बासव लोका। तब महिमा सब रहें अशोका॥
ज्वाला में है ज्योति तुम्हारी। तुम्हें सदा पूजें नर-नारी॥
प्रेम भक्ति से जो यश गावें। दुःख दारिद्र निकट नहिं आवें॥
ध्यावे तुम्हें जो नर मन लाई। जन्म-मरण ताकौ छुटि जाई॥

जोगी सुर मुनि कहत पुकारी। योग न हो बिन शक्ति तुम्हारी॥
शंकर आचारज तप कीनो। काम क्रोध जीति सब लीनो॥
निशिदिन ध्यान धरो शंकर को। काहु काल नहिं सुमिरो तुमको॥
शक्ति रूप का मरम न पायो। शक्ति गई तब मन पछितायो॥

शरणागत हुई कीर्ति बखानी। जय जय जय जगदम्ब भवानी॥
भई प्रसन्न आदि जगदम्बा। दई शक्ति नहिं कीन विलम्बा॥
मोको मातु कष्ट अति घेरो। तुम बिन कौन हरै दुःख मेरो॥
आशा तृष्णा निपट सतावें। रिपु मुरख मोही डरपावे॥

शत्रु नाश कीजै महारानी। सुमिरौं इकचित तुम्हें भवानी॥
करो कृपा हे मातु दयाला। ऋद्धि-सिद्धि दै करहु निहाला।
जब लगि जियऊं दया फल पाऊं। तुम्हरो यश मैं सदा सुनाऊं॥
श्री दुर्गा चालीसा जो कोई गावै। सब सुख भोग परमपद पावै॥

देवीदास शरण निज जानी। करहु कृपा जगदम्ब भवानी॥

मां दुर्गा के 108 नाम


सती, साध्वी, भवप्रीता, भवानी, भवमोचनी, आर्या, दुर्गा, जया, आद्या, त्रिनेत्रा, शूलधारिणी, पिनाकधारिणी, चित्रा,
चंद्रघंटा, महातपा, बुद्धि, अहंकारा, चित्तरूपा, चिता, चिति, सर्वमंत्रमयी, सत्ता, सत्यानंदस्वरुपिणी, अनंता, भाविनी,
भव्या, अभव्या, सदागति, शाम्भवी, देवमाता, चिंता, रत्नप्रिया, सर्वविद्या, दक्षकन्या, दक्षयज्ञविनाशिनी, अपर्णा,
अनेकवर्णा, पाटला, पाटलावती, पट्टाम्बरपरिधाना, कलमंजरीरंजिनी, अमेयविक्रमा, क्रूरा, सुन्दरी, सुरसुन्दरी,
वनदुर्गा, मातंगी, मतंगमुनिपूजिता, ब्राह्मी, माहेश्वरी, एंद्री, कौमारी, वैष्णवी, चामुंडा, वाराही, लक्ष्मी, पुरुषाकृति,
विमला, उत्कर्षिनी, ज्ञाना, क्रिया, नित्या, बुद्धिदा, बहुला, बहुलप्रिया, सर्ववाहनवाहना, निशुंभशुंभहननी, महिषासुरमर्दिनी, मधुकैटभहंत्री, चंडमुंडविनाशिनी, सर्वसुरविनाशा, सर्वदानवघातिनी, सर्वशास्त्रमयी, सत्या,
सर्वास्त्रधारिनी, अनेकशस्त्रहस्ता, अनेकास्त्रधारिनी, कुमारी, एककन्या, कैशोरी, युवती, यत‍ि, अप्रौढ़ा, प्रौढ़ा, वृद्धमाता,
बलप्रदा, महोदरी, मुक्तकेशी, घोररूपा, महाबला, अग्निज्वाला, रौद्रमुखी, कालरात्रि, तपस्विनी, नारायणी, भद्रकाली,
विष्णुमाया, जलोदरी, शिवदुती, कराली, अनंता, परमेश्वरी, कात्यायनी, सावित्री, प्रत्यक्षा, ब्रह्मावादिनी।

काल्हि राष्ट्रपति सर्वसाधारणके टीका लगौताह


काठमाडौ, आश्विन १८ । राष्ट्रपति डा रामवरण यादव विजया दशमीक दिन सर्वसाधारण नेपालीके टीका लगौताह ।

राष्ट्रपति डा यादवके हातसँ विजया दशमीक दिन टीका ग्रहण करय इच्छुक ब्यक्तिसबके लेल शितल निवास बजाओल गेल अछि । काल्हि बेरियाक साढे १२ बजेसँ साँझ ५ बजेधरि शीतल निवासक द्धार खुजल रहत राष्ट्रपतिक कार्यालय जनौलक अछि ।

दशमीक आइ नवमी दिन


आसिन, जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आइ नवमी दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ माता सिद्धिदात्रिके पुजा रहल अछि ।
पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा माता सिद्धिदात्रिके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता सिद्धिदात्रिके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।
आजुक दिन कलस्थापना दिन अपन अपन घरमे विधिपूर्वक रखने जयन्तीके विभिन्न शक्तिपीठमे चढाओल जाति अछि ।  काल्हि जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे १२ हजार ५ सय ६१ खसीक बली देल गेल अछि । अहिना आइ सेहो बिभिन्न ठाममे बली देल जाऽ रहल अछि ।
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 
राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन