Thursday, November 24, 2011

नपलपरासीमे बसमे तोडफोड, एक मोटरसाईकलमे आगजनी


नवीन पौडेल

८ अगहन नपलपरासी ।  पुर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत नवलपरासीके तिलकपुरमे आइ भिन्सर एक यात्रुबाहक   बसमे अज्ञात समुह तोडफोड केलक अछि 

काठमाडूसँ भैरहवादिस जाऽ रहल लु १ ख ४५८४ नम्बरक बसके अज्ञात  समुह तोडफोड कऽ फरार भेल पुलिस  जनौलक अछि   । तोडफोडमे  संम्लग्न ककरो पुलिस गिरफ्तार करय नहि सकल अछि ।

अहिबीच वायह स्थानमे बितलराति अपरिचित समूह लु ४ प ६६९९ नम्बरक  मोटरसाईकलमे सेहो आगि लगौने छल ।

स्याङ्जा आ सल्यानमे अगिलगि लाखौके क्षति


८ अगहन स्याङजा । स्याङजाके वालिङमे रहल मनकामना ईलेक्ट्रिक दोकानमे आगि लगलासँ  १५ लाख वरावरको क्षति भेल अछि ।

आइ भिन्सर ४ बजे दिस लागल आगिसँ दोकानमे रहल सम्पूर्ण विजुलीके समान जरि कऽ नष्ट भेल अछि । विद्युत सर्ट भऽ  अगिलगि भेल वडा प्रहरी कार्यालय वालिङ जनौलक अछि ।

अहिबिच सल्यानके शिवरथ १ लौरावाङ्गके तीन टा घरमे अगिलगि भेलासँ करिब आठ लाख बराबरके धनमाल जरि कऽ नष्ट भेल अछि । काल्हि साँझ कर्णबहादुर केसी, प्रेमबहादुर केसी आ दलबहादुर केसीके घरमे आगि लगलाबाद घरमे रहल मकै, धान, चाउर, गहुंम, लत्ता कपडा, सोलार पाता कऽ आठ लाख बराबरके सामानसब जरि कऽ नष्ट भेल पुलिस जनौलक अछि ।

तेसर डिभिजनमे स्वेच्छिक अवकास सँ बेसी समायोजनामे जाए चाहयबला


ध्रुवराज खनाल

८ अगहन चितवन । चितवनके तेसर डिभिजनमे वर्गिकरण कएलगेल मेसँ स्वेच्छिक अवकाससँ बेसी समायोजनमे जाएबलासबहक लडाकुके संख्या करिब दोव्बर भेटल अछि ।

काल्हिए ५ सय २९ गोटे लडाकुके वर्गिकरणके काम सम्पन्न भेल सचिवलय जनौलक अछि । अखनधरि तेसर डिभिजनमे १ हजार ७ सय २४ लडाकुके वर्गिकरण सम्पन्न भेल अछि । जाहि मेसँ १ हजार १ सय १३ गोटे समायोजन तथा ६ सय ११ स्वेच्छिक अवकासमे जाएके पक्षमे अछि । अन्य शिविरमे जेना तेसर डिभिजनमे सेहो पुर्नस्थापनामे जाएबलासबहक लेल फारम नहि भरने सचिवालयक संयोजक वालानन्द शर्मा जानकारी देलनि । देशभरि रहल सात शिविर मेसँ तेसर डिभिजनमे काम तीव्र रुपमे भऽ रहल अछि ।

जाहिमे आरो टोलीसँ सदस्य संख्या किछ बेसीए अछि तऽ तेसर डिभिजनमे लडाकुसबहक संख्या सेहो बेसी रहल अछि । 

आइ बाला चतुर्दशी तिथि, पशुपति क्षेत्रमे शतबीज छिटयबलासबहक भीड


८ अगहन काठमाण्डौ । आइ अगहन कृष्ण चतुर्दशी अर्थात बालाचतुर्दशी तिथि । काठमाडौंके पशुपति क्षेत्रके कैलाश आ श्लेषमान्तक क्षेत्रमे शतबीज छिटयबलासबहक भीड लागल अछि ।

आजुक दिन माए बाबु दिबङ्गत भेलसबक बेटाबेटी मृतक बाबु माएके नाममे धान, गहुँम, जौं, मसुरी, मुँग, कागुनु आ सामा मिलाओलगेल शतबीच छिटयके काज कऽ रहल अछि । बालाचतुर्दशीके अवसरमे पशुपति क्षेत्रमे  मेला सेहो लागल अछि । काल्हिएसँ पशुपति क्षेत्रमे पहुँचल लोकसब रातभरि महादीप बारि कऽ भजनकिर्तन करैत जाग्राम बैसल छल । रातभरि जाग्राम बैसल भक्तजनसब आइ भिन्सरेसँ बागमति नदीमे नहा कऽ शतबीच छीट रहल अछि ।

नेपाल सरकार मन्त्रिपरिषद्क बैठक बैसत


८ अगहन काठमाण्डौ । नेपाल सरकार मन्त्रिपरिषद्क बैसार आइ बैसय जाऽ रहल अछि ।

आजुक बैसारमे संविधानसभाक म्याद थपय बारे सरकार शुरु केने प्रक्रियाके बारेमे बिमर्श हाएत एक मन्त्री जानकारी देलक अछि । अहिना सरकारक नियमित कामकारबाही बारेके बिमरशे आ मन्त्रालय तथा अन्य निकायमे सरुवा बढुवाके बारेमे समेत निर्णय होबय सकबाक ओ मन्त्रीक कहब अछि । प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय सिहदरवारमे बेरियाक ४ बजे मन्त्रीपरिषदक बैसार बजाओलगेल अछि ।

राप्रपा नेपाल करौलक विरोधके सूचना दर्ता


८ अगहन काठमाण्डौ । संविधान संशोधन विधेयकप्रति राप्रपा नेपाल विरोधके सूचना दर्ता करौलक अछि ।

बेर बेर संविधानसभाक म्याद थप केनाइ जनमत विपरित भेल दावी सहित राप्रपा नेपाल विरोधक सूचना दर्ता करौलक अछि । संसदीय दलक नेता चन्द्रबहादुर गुरुङ दर्ता करौने विरोधके सूचनामे देशके निकाश दऽ स्थायित्व प्रदान करय ताजा जनादेशमे जाएके प्रस्ताव कएलगेल अछि ।

राज्यपुर्नसंरचनाके लेल विज्ञ समूह गठन करय लौने विधेयक फिर्ता कऽ संविधानसभाके कार्यकाल थप करय सरकार अगहन २ गते राति संविधान संशोधन विधेयक दर्ता करौने छल ।

क़साब पर ख़र्च भेल १६ करोड़


८ अगहन भारत । भारतके  २००८ के मुंबई आक्रमणमें दोषी पाओलगेल मोहम्मद अजमल आमिर क़साब पऽ बितल तीन वर्षमें १६ करोड रुपैया  ख़र्च कएल गेल भारत सरकार जनौलक अछि ।

क़साब अखन मुंबईके आर्थर रोड जेलमें बंद अछि आ ओ रहयबला जेलके विशेष कोठरी पर करिब सवा पाँच करोड़ रुपए ख़र्चा कएल गेल अछि । अहिके अलावा मार्च २००९ स सितंबर २०१० के बीच क़साबके सुरक्षा पर १० करोड़ ८७ लाख रुपैया ख़र्च भेल अछि । अहिमे आरो रकमके हिसाब नहि अछि ।

क़साबके बितल साल मई में फाँसीके सजाय सुनाओलगेल छल आ ओकरबाद ओ फैसलाक  विरुद्धमे सुप्रीम कोर्ट में अपील कएने अछि ।

मुंबई आक्रमणमे १६५ गोटेके मृत्यु भेल छल तऽ ९ गोट आतँकबादी सेहो मारल गेल छल ।

समाचार एजेंसी पीटीआई महाराष्ट्रके गृह सचिव मेधा गाडगिल के अनुसार आर्थर रोड जेलमें बनाओलगेल विशेष कोठलीके अलावा ओकर इलाजमे २६ हजार ९५३ रुपैया ख़र्च भेल अछि ।"

गाडगिल क़साबके जेलमें 'बिरयानी खुवाओल जाऽ रहल बात स साफ इन्कार करैत कहलनि जे क़साबके खानाके लेल प्रत्येक दिन सिर्फ़ २७ रुपैया ख़र्च होइत अछि ।


facebook Page Like

  • मनोरँजन